तब ऊ ओकरा यरूशलेम सहरके परमेश्वरके मन्दिरके उच्च जगहमे लज्याके खडा करैल्कै, आर ओकरा कहैल्कै “तुहें परमेश्वरके बेटा छह ते एत्तेसे निच्चा फानिके साबित कर, कि तोरा चोट नैलाघौं, कहिनेकी धरमशास्त्रमे यी लिख्ल छै:
‘परमेश्वर तोरा बचाबैके लिए आपन स्वर्गदूतसिके आज्ञा देथौं,
आर तोर पैरीमे पत्थल ल्याके चोट नैलागै कहिके ऊसब तोरा लोकी लेथौं।’ ”
येशू ओकरा जबाब देल्कै, “धरमशास्त्रमे एरं लिख्ल छै,
‘तोरा आपन परमेश्वरसे यी साबित करवाबैके कोशिश नैकरना चाही कि ऊ आपन वादा पुरा कर्तै।’ ”