1
मत्ती 19:26
केवट नया कारार
येशू ओकरासिके देखिके कहैल्कै, “यी आदमीसिके लिए ते यी असम्भव छै, मगर परमेश्वरके लिए नै, कहिनेकी परमेश्वरके लिए सभे कुछु सम्भव छै।”
Compare
Explore मत्ती 19:26
2
मत्ती 19:6
ऊसब आबसे दी झनके जुगुर नै, मगर ऊसब एक झनके जुगुर छै।’ सेल्याके जकरा परमेश्वर एक साथ जोडल्कै छे, ओकरा कोनो भी आदमी अलग नैकरक।”
Explore मत्ती 19:6
3
मत्ती 19:4-5
मगर येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “कि तुहेंसब धरमशास्त्रमे नैपढ्लहैं छे, ‘सृष्टिकर्ता आदमीसिके सृष्टिके शुरुहैमे नर आर नारी करिके बनैल्कै।’ आर परमेश्वर कहैल्कै, ‘सेल्याके आदमी आपन मयाँ-बाबुके छोडिके आपन पतनीके संगे मिलिके रहैछै, आर ऊ दोनोटा एक हैछै।
Explore मत्ती 19:4-5
4
मत्ती 19:14
मगर येशू कहैल्कै, “छोटका बच्चासिके हमरलगत आबैले दहैं, एकरासिके नैरोक, कहिनेकी उहे आदमीसब जे यी बच्चासिके जुगुर भरोसाके लायक छै परमेश्वरके राज्यमे रहतै।”
Explore मत्ती 19:14
5
मत्ती 19:30
मगर बहुते आदमीसब जे एखनी महान छै ओकरासिके तखनी विनम्र बनैल जैतै, आर बहुते आदमी जे एखनी विनम्र छै, ऊसब उटा समयमे महान बनी जैतै।”
Explore मत्ती 19:30
6
मत्ती 19:29
जे भी आदमी आपन घरके त्याग करिदेल्कै या भ्या-बहिनके या मयाँ-बाबुके या बेटाबेटीके या जगह जमिनके त्यागल्कै छे, जे चीज ऊ त्यागल्कै छे उटा सभे चीज वापस पैतै, आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पैतै।
Explore मत्ती 19:29
7
मत्ती 19:21
येशू ओकरा कहैल्कै, “एकटा काम छै जे तोरा आब करैके जरुरत छौ; जो, आर तोरलगत जे जतनें छौ बेचिके पैसा गरिबसिके दहैं, अगर तुहें एरं करैछैं ते, तोरलगत स्वर्गमे सम्पति हैतौ। तोर एरं कैलके बाद, या आर हमर चेला बनी जो।”
Explore मत्ती 19:21
8
मत्ती 19:17
येशू ओकरा जबाब देल्कै, “बढियाँ कामके विषयमे तुहें हमरा कथिले पुछैछैं? बढियाँ ते खाली एकझन छै। तुहें कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबैले चाहैछैं ते, परमेश्वरके देल विधि-विधान पालन कर।”
Explore मत्ती 19:17
9
मत्ती 19:24
फेर हमे तोरासिके कहैछियौ, “एकटा ऊँटके लिए सियाके छेद द्याके ढुकना मुश्किल छै, मगर एकटा मातबर आदमीके लिए परमेश्वरके राज्यमे जाना बहुते मुश्किल छै।”
Explore मत्ती 19:24
10
मत्ती 19:9
हमे तोरासिके कहैछियौ, जे आदमी व्यबिचारके कारणके सिवाय आपन पतनीके छुटापत्र द्याके दोसर जनानीसे बिहा करैछै, ऊ आदमी व्यबिचार करैछै।”
Explore मत्ती 19:9
11
मत्ती 19:23
तब येशू आपन चेलासिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, मातबर आदमीसिके परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करना बहुते कठिन छै।”
Explore मत्ती 19:23
Home
Bible
Plans
Videos