यूहन्ना 19
19
यीशु केँ मृत्युदण्ड
(मत्ती 27:27-31; मरकुस 15:15-20)
1तखन पिलातुस यीशु केँ लऽ जा कऽ हुनका कोड़ा लगबौलनि। 2सैनिक सभ काँटक मुकुट बना कऽ यीशुक माथ पर रखलकनि, और हुनका बैगनी रंगक राजसी वस्त्र पहिरा कऽ 3ई कहैत हुनका लग अबैत रहल जे, “यहूदी सभक राजा, प्रणाम!” और हुनका चमेटा मारैत छलनि।
4पिलातुस फेर बाहर आबि कऽ यहूदी सभ केँ कहलथिन, “देखू! हम एकरा अहाँ सभ लग बाहर आनि रहल छिऐक जाहि सँ अहाँ सभ जानि लेब जे हम एकरा मे दोष लगयबाक कोनो आधार नहि पबैत छी!” 5तखन यीशु ओ बैगनी वस्त्र और काँटक मुकुट पहिरने बाहर अयलाह। पिलातुस ओकरा सभ केँ कहलथिन, “देखू, यैह मनुष्य अछि!”
6मुदा हुनका देखितहि मुख्यपुरोहित सभ और हुनकर सभक सिपाही सभ जोर-जोर सँ हल्ला कयलक, “क्रूस पर चढ़ाउ! क्रूस पर चढ़ाउ!”
पिलातुस ओकरा सभ केँ कहलथिन, “अहीं सभ एकरा लऽ जाउ और क्रूस पर चढ़ाउ! कारण हम एकरा मे दोष लगयबाक कोनो आधार नहि पबैत छी।”
7यहूदी सभ हुनका उत्तर देलकनि, “हमरा सभक एक नियम अछि, और ओहि अनुसार ओकरा मृत्युदण्ड भेटबाक चाही, कारण ओ अपना केँ परमेश्वरक पुत्र कहने अछि।”
8पिलातुस जखन ई शब्द सुनलनि तखन आओर डेरा गेलाह। 9ओ राजभवन मे फेर जा कऽ यीशु सँ पुछलथिन, “अहाँ कोन ठाम सँ आयल छी?” मुदा यीशु कोनो उत्तर नहि देलथिन। 10तँ पिलातुस कहलथिन, “की अहाँ हमरा सँ नहि बाजब? की अहाँ नहि जनैत छी जे अहाँ केँ छोड़ि देबाक और क्रूस पर चढ़यबाक सेहो हमर अधिकार अछि?”
11यीशु बजलाह, “अहाँ केँ हमरा पर कोनो अधिकार नहि रहैत जँ अहाँ केँ ऊपर सँ नहि देल गेल रहैत। एहि कारणेँ, जे अहाँक हाथ मे हमरा सौंपि देलक, से आओर दोषी अछि।”
12ई सुनला पर, पिलातुस हुनका छोड़ि देबाक कोशिश कयलनि, मुदा यहूदी सभ हल्ला करैत छल जे, “जँ ओकरा छोड़ब तँ अहाँ सम्राट-कैसरक मित्र नहि भेलहुँ! जे केओ अपना केँ राजा कहैत अछि से कैसरक विरोधी अछि!”
13पिलातुस ई बात सुनि कऽ, यीशु केँ बाहर अनबौलथिन और ओहि स्थान पर, जे “पाथरक चबुतरा” आ इब्रानी भाषा मे “गबथा” कहबैत अछि, न्याय-आसन पर बैसि गेलाह। 14ई फसह-पाबनिक तैयारीक दिन छल, और दुपहरियाक समय भऽ रहल छल। पिलातुस यहूदी सभ केँ कहलथिन, “लिअ! देखू, अहाँ सभक राजा!”
15मुदा ओ सभ जोर-जोर सँ हल्ला कयलक, “ओकरा लऽ जाउ! लऽ जाउ! ओकरा क्रूस पर चढ़ाउ!” पिलातुस ओकरा सभ केँ कहलथिन, “की हम अहाँ सभक राजा केँ क्रूस पर चढ़ाउ?”
मुख्यपुरोहित सभ उत्तर देलथिन, “कैसर केँ छोड़ि हमरा सभक आओर केओ राजा नहि अछि!”
16तेँ अन्त मे पिलातुस हुनका क्रूस पर चढ़यबाक लेल सैनिक सभक जिम्मा लगा देलथिन।
क्रूस
(मत्ती 27:32-44; मरकुस 15:21-32; लूका 23:26-43)
17तँ ओ सभ यीशु केँ लऽ गेलनि। क्रूस केँ अपने सँ ढो कऽ यीशु बाहर ओहि जगह पर गेलाह जे “खप्पड़ वला स्थान” (और इब्रानी भाषा मे “गुलगुता”) कहबैत अछि। 18ओहिठाम ओ सभ हुनका हाथ-पयर मे काँटी ठोकि कऽ क्रूस पर टाँगि देलकनि आ हुनका संगे दूटा आरो केँ सेहो, एकटा केँ एहि कातक क्रूस पर आ दोसर केँ ओहि कातक क्रूस पर, आ बीचला पर यीशु केँ।
19पिलातुस एक दोष-पत्र क्रूस पर लगबा देलनि, जाहि पर लिखल छलैक, “नासरत-निवासी यीशु, यहूदी सभक राजा”। 20एहि सूचना केँ बहुत यहूदी पढ़लक, किएक तँ जाहि स्थान पर यीशु क्रूस पर चढ़ाओल गेलाह से शहरक नजदीक छल, और सूचना इब्रानी, लतीनी, और यूनानी भाषा मे लिखल छल। 21तखन यहूदी सभक मुख्यपुरोहित सभ पिलातुस केँ कहलथिन, “ ‘यहूदी सभक राजा’ नहि लिखू! ई लिखू जे, ‘एकर कथन छल जे हम यहूदी सभक राजा छी’।” 22पिलातुस उत्तर देलथिन, “हम जे लिखि देलहुँ से लिखि देलहुँ।”
23सैनिक सभ यीशु केँ क्रूस पर चढ़ौलाक बाद हुनकर कपड़ा लऽ चारि भाग मे बाँटि लेलक, प्रत्येक सैनिकक लेल एक भाग। हुनकर कुर्तो लेलक, लेकिन कुर्ता बिना सिअनक ऊपर सँ नीचाँ तक बुनल छल। 24तेँ ओ सभ एक-दोसर केँ कहलक, “एहि केँ नहि फाड़ी। पुरजा खसा कऽ देखी जे ई ककर होयतैक।” ई एहि लेल भेल जे धर्मशास्त्रक लेख पूरा होअय जे,
“ओ सभ हमर कपड़ा अपना मे बाँटि लेलक
और हमर वस्त्रक लेल पुरजा खसौलक।”#19:24 भजन 22:18
और एहिना सैनिक सभ करबो कयलक।
25यीशुक क्रूस लग हुनकर माय, मौसी, क्लोपासक स्त्री मरियम, और मरियम मग्दलीनी ठाढ़ छलीह। 26यीशु जखन अपना माय केँ और ओहि शिष्य केँ, जिनका सँ ओ प्रेम करैत छलाह, लग मे ठाढ़ देखलथिन तखन अपना माय केँ कहलथिन, “ई अहाँक पुत्र अछि,” 27और शिष्य केँ कहलथिन, “ई अहाँक माय छथि।” ओही समय सँ ओ शिष्य हुनका अपना घर लऽ गेलाह।
यीशुक मृत्यु
(मत्ती 27:45-56; मरकुस 15:33-41; लूका 23:44-49)
28बाद मे यीशु ई जानि जे आब सभ किछु पूर्ण भऽ गेल, धर्मशास्त्रक लेख पूरा करैत कहलनि, “हमरा पियास लागल अछि।” 29ओहिठाम तिताह दारू सँ भरल एक बर्तन राखल छल, तेँ ओ सभ रूइ जकाँ एकटा एहन चीज जे पानि सोखैत अछि से ओहि मे डुबा कऽ जूफाक ठाढ़ि मे अटका कऽ हुनका मुँह लग देलकनि। 30यीशु ओ लऽ लेलनि आ कहलनि, “पूरा भेल,” और मूड़ी झुका कऽ प्राण त्यागि देलनि।
31ई फसह-पाबनिक तैयारीक दिन छल, आ दोसरे दिन महा विश्राम-दिन होमऽ वला छल, और तेँ, जाहि सँ विश्राम-दिन मे लास क्रूस पर टाँगल नहि रहय, यहूदी सभ पिलातुस सँ विनती कयलनि जे अपराधी सभ केँ टाँग तोड़ि कऽ मारि देल जाय, आ लास क्रूस पर सँ उतारि लेल जाय। 32तेँ सैनिक सभ आबि कऽ यीशुक संग क्रूस पर चढ़ाओल पहिल आदमीक टाँग तोड़ि देलकैक, तखन दोसरो केँ। 33मुदा जखन यीशु लग आबि कऽ देखलक जे ओ मरिए गेल छथि, तँ हुनकर टाँग नहि तोड़लकनि। 34मुदा एक सैनिक हुनका पाँजर मे भाला भोंकलकनि, और तुरत खून आ पानि बहऽ लागल। 35जे ई घटना देखलनि, से एकर गवाही देने छथि, और हुनकर गवाही पकिया अछि। ओ जनैत छथि जे ओ सत्य बाजि रहल छथि, और ओ गवाही दैत छथि जाहि सँ अहूँ सभ विश्वास करब। 36कारण ई सभ बात एहि लेल भेल जाहि सँ धर्मशास्त्रक लेख पूरा होअय जे, “हुनकर एकोटा हड्डी नहि तोड़ल जयतनि,”#19:36 प्रस्थान 12:46; गनती 9:12; भजन 34:20 37और जेना धर्मशास्त्रक दोसर कथन अछि, “ओ सभ तिनका दिस तकतनि, जिनका भोंकने अछि।”#19:37 जक 12:10
कबर मे यीशुक लास
(मत्ती 27:57-61; मरकुस 15:42-47; लूका 23:50-56)
38एहि सभक बाद, अरिमतिया नगरक यूसुफ पिलातुस सँ यीशुक लास मँगलनि। यूसुफ यीशुक एक शिष्य छलाह, मुदा गुप्त रूप सँ, कारण ओ यहूदी सभ सँ डेराइत छलाह। ओ पिलातुस सँ आज्ञा माँगि, आबि कऽ यीशुक लास उतारि कऽ लऽ गेलाह। 39संग मे निकोदेमुस सेहो, जे शुरू मे रातुक समय यीशु लग आयल छलाह, लगभग पैंतीस सेर गन्धरस और मुसब्बरक मिश्रण लऽ कऽ अयलाह। 40ओ सभ यीशुक लास लऽ जा कऽ, यहूदी सभक गाड़बाक प्रथाक अनुसार, ओहि सुगन्धित द्रव्य सहित मलमलक पट्टी सँ लपेटलनि। 41जाहिठाम यीशु केँ क्रूस पर चढ़ाओल गेल छलनि, ताहिठाम लग मे एक बगीचा छल। ओहि मे एक नव कबर बनाओल छल जाहि मे कहियो कोनो लास नहि राखल गेल छल। 42तँ यहूदी सभक तैयारीक दिन होयबाक कारणेँ, और कबर लग मे रहबाक कारणेँ, ओ सभ यीशु केँ ओहि मे राखि देलथिन।
Currently Selected:
यूहन्ना 19: mai
Highlight
Share
Copy
![None](/_next/image?url=https%3A%2F%2Fimageproxy.youversionapistaging.com%2F58%2Fhttps%3A%2F%2Fweb-assets.youversion.com%2Fapp-icons%2Fen.png&w=128&q=75)
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
©2010 The Bible Society of India and © Wycliffe Bible Translators, Inc.

: