YouVersion Logo
Search Icon

लुका 16

16
चलाक मुन्‍सी
1येसु आपन चेलासबके कहल्‍कै, “कोनो धनिक लोकके एकटा मुन्‍सी छेलै। ‘उ आपन मालिकके धन-समपैत उरा रहलछै कैहके’ ओकर उपर आरोप लागल छेलै। 2तब मालिक ओइ मुन्‍सीके बोल्‍याके कहल्‍कै, ‘तोहर बारेमे हम यि कथी सुनैचियौ? तोहर सब कामके हिसाब हमरा बुझ्‍हा। आइके बाद तु हमर मुन्‍सी नै रहबिही।’ 3तब उ मुन्‍सी आपन मनेमन बिचार करल्‍कै, ‘आब हम कथी करबै, कथिलेत हमर मालिक हमरा मुन्‍सीके कामसे निकाले लागल छै। हर जोतैले हमरा तागत नै छै, भिख माङैले हमरा लाज हैये। 4मुन्‍सीके नोकरी छुइट गेलाके बादो लोकसब कनङके हमरा उसबके घरमे बोलाइतै आ स्‍वागत करतै से बात हम सोइचलेने चियै।’ 5तब उ मालिकसे करजा लैबला सब लोकसबके एक-एक कैरके बोलाइल्‍कै आ पहिने आबैबला लोकके कहल्‍कै, ‘तोहर उपर हमर मालिकके कतहेक करजा छौ?’ 6उ कहल्‍कै, ‘तिन हजार लिटर जैतुनके तेल।’ तब उ मुन्‍सी ओकरा कहल्‍कै, ‘तोहर तमसुक ला आ झमसिना बैठके पन्‍दरह सय लिटर लिख।’ 7तकरबाद उ दोसरके पुछल्‍कै, ‘तोहर करजा कतहेक छौ?’ उ कहल्‍कै, ‘एकसय बोरा गहुम।’ तब फेनो ओकरा कहल्‍कै, ‘तोहर तमसुक ला आ असी बोरा लिख।’
8 “यि बात थाह पाइबके ओकर मालिक ओइ बैमान मुन्‍सीके चाबसी देल्‍कै कथिलेत उ चलाकिसे काम करने रहै। कथिलेकी दुनियाके लोक आपनसङे औरो लोकसबसे बेबहार करैतखिना इजोतके धियापुतासे बेसी चलाक छै। 9हम तोरासबके कहैचियौ, आपन खातिर दुनियाके धनसे सङीसाथी बना, जब उ धन ओराइतौ, तब उसब तोरासबके स्‍वरगमे स्‍वागत करतौ।”
10 तब येसु कहल्‍कै, “अगर जे छोट बातमे इमान्‍दार छै त, उ बरका बातमे इमान्‍दार हेतै आ जे छोट बातमे बैमान छै त, उ बरको बातमे बैमान हेतै। 11तै खातिर तुसब दुनियाके धनमे इमान्‍दार नै हेब्‍ही त, साँचोके धनके जिम्‍मा तोरासबके के देतौ? 12अगर तुसब दोसरके धनमे इमान्‍दार नै हेब्‍ही त, तोरासबके पाबैबला धनके देतौ?
13 “कोनो नोकर दुइटा मालिकके सेबा-टहल नै करे सकैछै, कथिलेत उ एकटाके घिरना करैछै त, दोसरके परेम करैछै, या त उ एकटाके आदर करैछै त दोसरके तुच्‍छ ठानैछै। तुसब परमेस्‍वर आ धन दुनुके सेबा करैले नै सकबिही।”
येसुके कुछ औरो कहावतसब
14यि बात सुइनके धनके लोभी फरिसीसब येसुके मजाक उराइल्‍कै। 15तब येसु ओइसबके कहल्‍कै, “लोकसबके अगामे आपनके धरमी देखाइबला तुहिसब चिही, महज परमेस्‍वर तोरासबके हिरदयके बातसब जानैछौ, कथिलेत लोकसबके बिचमे जे बरका कहाइछै, परमेस्‍वरके नजरमे उ सबसे तुच्‍छ हैछै।
16 “बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍नाके बखत तक मोसाके बेबस्‍था आ अगमबक्‍तासबके बातसबके परचार करल्‍कै। तहै बखतसे परमेस्‍वरके राजके सुसमाचार परचार भ्‍यारहलछै, तब सबलोक परमेस्‍वरके राज भितर बलपुरबक परबेस करैछै। 17अकास आ पिरथिबी हरेनाइसे बेसी परमेस्‍वरके बेबस्‍थामे लिखल एकोटा अक्‍छर हराइले कठिनछै। 18जे आपन घरबालीके छोइरके दोसरसे बियाह करैबला लोक बेबिचार करैछै आ घरबलासे छोरपतर करल जनिसबसे बियाह करैबला ओहो लोक बेबिचार करैछै।”
धनिक लोक आ लाजरस
19 “एक समयमे एकटा धनिक लोक रहै, जे सबदिन महङ-महङ बस्‍तर लगाइछेलै आ ऐस-अरामके जिन्‍गी बिताइछेलै। 20ओकर देहरीमे लाजरस नामके एकटा गरिब लोक रहैछेलै, जकर भोइर देह घाँहे-घाँह छेलै। 21उ ओइ धनिक लोकके खाइबला टेबुलसे झरल एंठ-कुंठ ख्‍याके आपन पेट भरैले इक्‍छा करै। कुतोसब आइबके ओकर देहके घाँहसब चाइट दैइ।
22 “एक दिन उ गरिब लोक मरगेलै आ ओकरा स्‍वरगदुतसब लज्‍याके अबराहमके लगमे राखल्‍कै, तब ओहो धनिक लोक मरलै आ गारलगेलै। 23जब उ धनिक लोक नरकमे बहुत दुख काटैछेलै तब उ उपर दिसन नजर पसाइरके ताकल्‍कै त दुर अबराहमसङे लाजरसके बैठल देखल्‍कै। 24तब उ चिच्‍याके कहल्‍कै, ‘हे पिता अबराहम, हमर उपर दया कैरके लाजरसके पठादिय आ उ आपन औङरीके टुप्‍पी पानीमे डुबाके हमर जिहके जुर कैरदेतै, कथिलेत हम अते आइगके धिधरामे बहुत दुख भोइगरहलचियै।’ 25महज अबराहम ओकरा कहल्‍कै, ‘बेटा याद कर त, तु आपन जिन्‍गीमे सबचिज असले-असलसे भोग बिलास करलिही महज लाजरस दुखे-दुख काटल्‍कै। आब उ अते सुखमे छै आ तु दुखमे चिही। 26अतबे नै, अतेसे तोहर लग जायले खोज्‍तै त अतेसे जायले नै सकैक आ आबैले चाहतै त ओतेसे आबे नै सकैक कैहके तोरा आ हमरासबके बिचमे बहुत बरका गैहर खाइध छै।’ 27तब फेनो उ कहल्‍कै, ‘अहै खातिर हम अहाँके गोर लागैची, हे पिता, लाजरसके हमर बाबुके घरमे पठादिय। 28कथिलेत हम पाँच भैयारी चियै, उ ज्‍याके ओइसबके चेताबे नै त ओहोसब हमरे जखा एहिनङ दुखे दुख भेल जगहमे चैलएतै।’ 29महज अबराहम कहल्‍कै, ‘ओकरौरके सङे मोसा आ अगमबक्‍तासबके लिखल पबितर धरमसास्‍तरसब छौ त, ओकरे मानतौ त नै हेतौ!’ 30महज फेनो उ धनिक लोक कहल्‍कै, ‘नै पिता अबराहम, मरलहा लोकमेसे एक गोरे जिके ओइसबलग जेतै तब न बिस्‍बास करतै आ पापसे पस्‍चाताव करतै।’ 31अबराहम कहल्‍कै, ‘मोसा आ अगमबक्‍ताके पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल बातके नै मान्‍तौ आ नै सुन्‍तौ त कोइ मरियो के जि जेतौ त उसब बिस्‍बास नै करतौ।’”

Currently Selected:

लुका 16: MTH

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in