लुका 2
2
येसुके जलम
(मती १:१८-२५)
1ओइ बखत रोमी महराज अगस्टस हुकुम करैत कहल्कै राज भैरके सबलोकके नाम लिखाके दरता करैले परतौ। #२:१ सबकोइके रोमी सासकके कर तिरे परतै तैके लेल यि सब भेल छेलै 2नाम दरता करे परतै से हुकुम पहिन्का बेर छेलै। ओइ बखत कुरेनियस सिरिया इलाकाके बडा-हाकिम रहै। 3नाम दरता कराबैले सब लोकसब आपन-आपन पितापुरखाके गाम आ सहरमे गेलै।
4योसेफ ओहो गालिलके नासरतसे यहुदियाके बेथलेहेम सहरमे गेलै, कथिलेत उ रजा दाउदके कुल-खन्दानके सदस छेलै। 5नाम लिखाबैले उ आपनसङे मङनी भेल्हा मरियमके सङे लके गेलै। ओइ बखत मरियमके देहभारी छेलै। 6उसब बेथलेहेममे छेलै तहै बखत मरियमके बच्चा जल्मैबला बखत आइबगेल छेलै। 7उ आपन जेठका बेटाके जलम देल्कै तब ओकरा गुदरीमे लपेटके गोहालिके नाइदमे सुतेल्कै कथिलेत ओकरासबके धरमसलामे ठहरैले कतौ ठाम नै मिल्लै।
चरबाहसब आ स्वरगदुतसब
8रातमे आपन जेरके रखबारी करैबला चरबाहसब देखभाल करैत बेथलेहेमके ओहै ठामदिसन रहै। 9परभुके स्वरगदुत ओहै ठाम देखा परलै, तब परभुके इजोत चारुओर चरबाहासबके उपर चम्कलै आ उसब एकदमसे डेरागेलै। 10तब स्वरगदुतसब ओकरासबके कहल्कै, “नै डेरा, देख, हम तोरासबके बहुत खुसीके सुसमाचार सुनाइबौ, जे सब लोकसबके लेल हेतौ। 11आइ दाउदके सहरमे मुक्तीदाताके जलम भेल छै, जे खिरिस्ट परभु चियै। 12तोरासबके लेल ओकरा चिनहैबाला चेन्हा यि हेतौ, एकटा बालक गुदरीसे लपेटल आ नाइदमे सुतल भेटतौ।” 13तब ओहै बखत औरो बहुतेकरा स्वरगदुतसब ओइठाम देखा परलै तब परमेस्वरके परसन्सा करैत कहल्कै,
14“स्वरगमे परमेस्वरके महिमा
आ पिरथिबीमे जै लोकसबसे परमेस्वर खुसीछै,
ओकरासबके सान्ती।”
15जब स्वरगदुतसब चरबाहासबके छोइरके स्वरग दिसन गेलै तब चरबाहसब आपनेमे बतियाइत कहल्कै, “चल अपनासब बेथलेहेम तक आ परमपरभुके कहलाहा बातसब ज्याके देखेपरतै।” 16उसब हबर-दबर गेलै, ओते मरियम, योसेफ दुनुगोरेके सङे देखल्कै आ ओइ बालकके नाइदमे सुतल देखल्कै। 17चरबाहासब बालकके देखल्कै तब स्वरगदुत कहने रहै से बात सबकोइके ओकर बारेमे सुनेल्कै। 18महज यि बात सुनैबला सब लोकसब आस्चरजमे परलै। 19महज मरियम सब बात बिचार कैरके मनेमे राखल्कै। 20चरबाहासबके स्वरगदुतसब जे बात कहने रहै ओहिनङे सब बात सुनल्कै आ देखल्कै तब परमेस्वरके महिमा आ परसन्सा करैत घुइमके गेलै।
परमेस्वरके मन्दिरमे बालक येसुके अरपन
21आठमा दिनमे बालकके खतना भेलै तब ओकर नाम येसु राखल्कै, जे नाम मरियमके देहभारी हैसे पहिने स्वरगदुत देनेरहै।
22मोसाके बेबस्था अनुसार ओकर सुधहैबाला समय पुरा भेलाके बाद ओकरा परमपरभुके अगामे अरपन#२:२२अरपन- परमेस्वरसङे नजदिक करैबाला धारमिक बिधी करैले यरुसलेम आनल्कै, 23जैहना परमपरभुके नियममे लिखल छै, “पहिन्का जलम लैबला सब जेठका बेटा परमपरभुके लेल पबितर कहाइतै।”#परस्थान १३:२, १२ 24तब “एक जोर पौरकी आ एक जोर पेरबाके बच्चा”#लेबी १२:६-८ परमेस्वरके बेबस्था अनुसार चरहाइले आनल्कै।
25यरुसलेममे सिमियोन नामके एकटा लोक छेलै। उ इजराएलके बचाबैबला लोकके आसमे रहै आ उ धरम-करम करैबला लोक रहै, पबितर आत्मा ओकरसङे छेलै। 26“परमपरभु खिरिस्टके जाबेतक नै देखबिही ताबेतक तोहे नै मरबिही” यि बात पहिने पबितर आत्मासे थाह भेल छेलै। 27पबितर आत्मासे अगुवाइ पाइबके सिमियोन परमेस्वरके मन्दिरमे गेलै। तखुन्ते नियम पुरा करैले मरियम आ योसेफ ओहो बालक येसुके ल्याके मन्दिरमे एलै। 28तब सिमियोन बालकके आपन कोरामे लेल्कै आ परमेस्वरके धन्यबाद दैत कहल्कै,
29“हे परमपरभु, अहाँ आपन
बचन अनुसार आब आपन सेबकके सान्तीसाथ सन्सारसे छुट्टी दियौ।
30कथिलेत हम आपन आँखसे अहाँके उदार देख्ने चियै,
31जे अहाँ सब लोकसबके सामने तयार करनेचियै,
32औरो जात जातीसबके रस्ता देखाइले
इजोत देने चियै आ अहाँ इजराएलके
सब लोकसबके लेल महिमाके इजोत चियै।”
33तब मरियम आ योसेफ बालक येसुके बारेमे सिमियोनके कहलाहा बातसे आस्चरजमे परलै। 34सिमियोन ओकरासबके आसिरबाद देल्कै आ ओकर माँ मरियमके कहल्कै, “देख, यि बालक इजराएलमे बहुतोके पतन आ उत्थानके लेल आ बहुत के बिरोधमे बोलैके एकटा चेन्हाके लेल नियुक्त करनेचियै। 35अहैसे बहुतो हिरदयके बिचारसब निकल्तौ। तब तरबारसे तोहर आपनो हिरदयमे आरपार हेतौ।”
36आसेरके खन्दानमे फनुएलके बेटी हन्ना नामके एकटा बुढिया अगमबादिनी छेलै, जे बियाह कैरके साते बरिसमे बिधुवा भेलरहै। 37तब बिधुवे रैहके चौरासी बरिस बिताइने रहै। उ परमेस्वरके मन्दिरेमे उपास आ परथना कैरके रातदिन भक्तीसाथ परमेस्वरके सेबा करैतरहै। 38तहै बखत ओहो मरियम आ योसेफके लग आइबके परमेस्वरके बढाइ करल्कै आ बालक येसुके बारेमे यरुसलेमके छुटकाराके लेल रस्ता देखैबला सबके सुनेल्कै।
39जब योसेफ आ मरियम परमपरभुके नियम अनुसार सबकाम कैरके ओराइल्कै तकरबाद उसब गालिलके आपन सहर नासरतमे गेलै। 40बालक येसु बैढते बल, बुइधसे भैरते गेलै आ परमेस्वरके आसिरबाद ओकरमे रहै।
परमेस्वरके मन्दिरमे बालक येसु
41हरेक बरिस मरियम आ योसेफ निस्तार पाबैनमे यरुसलेम जाइ छेलै। 42जब येसु बारह बरिसके भेलै, तब उसब पाबैनके रितिरिवाज अनुसार यरुसलेममे गेलै। 43पाबैनके दिन जब ओरागेलै तब उसब घर घुमै बखत येसु ओतै रैहगेलै से बात मरियम आ योसेफके थाह नै भेलै। 44येसु औरो सङिसबसङे छै, बिचार कैरके उसब दिनभैरके रस्ता पैदल चइलके गेलै। साँझ परलाके बाद सङी-साथी आ कर-कुटुमके बिचमे ओकरा खोजे लाग्लै। 45महज जब उ नै भेटलै तब फेनो उसब खोज्ते यरुसलेम घुइमके चइल गेलै। 46खोज्ते-खोज्ते तिन दिनके बाद उसब येसुके परमेस्वरके मन्दिरमे देखल्कै। ओते उ धरमगुरुसब सङे बैठके बात सुनै आ परस्न करैछेलै। 47ओकर बिचार आ उतर दैत सुइनके ओइ ठामके सब लोकसब आस्चरजमे परलै। 48येसुके देखके मरियम आ योसेफ आस्चरज मानल्कै, तब मरियम कहल्कै, “बेटा, तु हमरासबके कथी करलिही? देख त, तोहर बाप आ हम तोरा ताकैत-ताकैत थकित एलचियौ।” 49येसु जबाफ देल्कै, “तुसब हमरा कथिले खोजैचिही? हम आपन पिताके घरमे रहे परतै से बात तोरासबके थाह नै छेलौ?” 50महज यि बात उसब नै बुझल्कै। 51तकरबाद येसु, मरियम आ योसेफसङे नासरतमे गेलै आ उसबके आग्याकारी भ्याके रहलै। ओकर माँ मरियम यि सबबातसब बिचार कैरके मनमे राखैत गेलै। 52तब येसु ग्यान-बुइधमे, कदमे, परमेस्वर आ मानबके अनुगरहमे बैढ्ते-बैढ्ते गेलै।
Currently Selected:
लुका 2: MTH
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.

: