YouVersion Logo
Search Icon

मती 24

24
अन्‍तके दिनके चेन्‍हासब
(मरकुस १३:१-१३, लुका २१:५-१६)
1येसु जब मन्‍दिरसे निकैलके जाइलाग्‍लै तब ओकर चेलासब मन्‍दिके मकानसब देखाइले लगमे एलै। 2तब येसु ओइसबके कहल्‍कै, “तुसब देखरहलचिही कि नै? साँचे हम तोरासबके कहैचियौ, एक पथल दोसर पथल उपर नै रहतौ, यि सब भहैरके गिरतौ।”
3येसु जैतुन पहारमे बैठलबखत ओकर चेलासब आइबके चुपेसिना पुछल्‍कै, “गुरु जी, हमरासबके कहु यि बातसब कहिया हेतै? अपने दोसर बेर एबै से आ यि युगके अन्‍त हैबला चेन्‍हा कथी रहतै।”
4येसु ओइसबके जबाफ देल्‍कै, “होसियार रह कि तोरासबके कोइ नै भरमाबे। 5बहुतो लोकसब हमर नाममे एतौ आ कहतौ कि, ‘हम्‍ही खिरिस्‍ट चियै’ आ बहुतोके बहकेतौ। 6तुसब लराइ आ लराइके हल्‍लासब सुनबिही। महज उ समयमे तुसब नै घबराइहे, कथिलेत पहिने यि सब हेनाइ आबस्‍यक छै, महज अन्‍त तुरन्‍ते नै हेतौ।” 7कथिलेत जातीके बिरोधमे जाती आ राजके बिरोधमे राज उठतै आ बहुतो ठामसबमे अकाल आ भुमकौन एतै। 8यीसब त कस्‍टके सुरुवात मातरे चियै।
9 “तब लोकसब तोरासबके पकैरके दुख दैकेलेल लजेतौ, तोरासबके मारतौ। तुसब हमरा बिस्‍बास करैके कारन सब जातीसब तोरासबके दुस्‍तौ। # मती १०:२२
10 “ओइ बखत बहुतो लोक आपन बिस्‍बास गुमाइतै। उ सब एक दोसरके धोखा देतै आ एक दोसरके घिरना करतै। 11बहुतो झुठा अगमबक्‍तासब एतै, उ बहुतो लोकके बहकेतै।
12 “जते-तते पाप बढलाके कारन लोकसबके एक दोसरके परेममे फिका पैरजेतै। 13महज अन्‍ततक असथिर रहैबला बच्‍याल जेतै।#मती १०:२२ 14परमेस्‍वरके राजके यि सुसमाचार परचार सन्‍सार भैर करलजेतै, ताकि सब जातीके लोकसब सुनैके मौका पाबे, तकरबादे यि सन्‍सारके अन्‍त हेतै।
संकटके दिनसब
(मरकुस १३:१४-२३, लुका २१:२०-२४)
15 “जब तुसब बिनास करैबला घिरनित चिज पबितर ठाममे ठारभेल देखबिही, जकर बारेमे परमेस्‍वरके अगमबक्‍ता दानिएल कहनेछै (परहैबलासब बुझे), # दानिएल ९:२७, ११:३१, १२:११ 16तब यहुदियामे रहैबला लोकसब पहार दिसन भागे। 17जे घरके उपरका महलामे छै, से कोइ निचा उतैरके समानसब लैले घरभितर नै आबे।#लुका १७:३१ 18खेतमे काम करैबलासब घर घुइमके आपन बस्‍तर लैले नै आबे। 19महज तै दिनमे जे जनिसबके देहभारी रहतै आ कोरामे दुधपिया बच्‍चा रहतै ओइसबके लेल बहुत मुसकिल हेतै! 20यि सब जार महिना आ पबितर बिसराम दिनमे नै हेबे कैहके परथना कर। 21कथिलेत परमेस्‍वर पिरथिबी सिरिस्‍टी करल्‍कै तै दिनसे अखुनतक एहेन महा सङकट नै भेल छै आ नै कहियो हेतै।#दानिएल १२:१, परकास ७:१४ 22यदी परमेस्‍वर उ बिपतके दिन कम नै करतै त लोकसब कोइ नै जिबित रहतै, महज परमेस्‍वर आपन छानल लोकसबके खातिर यि दिन कम कैरदेतै।
23 “ओइ बखत जब कोनो लोक तोरासबके कहतौ, ‘देख, खिरिस्‍ट एते छौ’ या ‘ओते छौ!’ उ बातमे बिस्‍बास नै कर। 24कथिलेत झुठा खिरिस्‍ट आ झुठा अगमबक्‍तासब देखा परतौ। सम्‍भब त अचमके कामसब आ चेन्‍हासब देख्‍याके परमेस्‍वरके छानल लोकसबके बहकेतौ।
25 “देख, यि बात हम तोरासबके पहिनेसे कैहदेने चियौ। 26यदी लोकसब तोरासबके ‘देख, उ सुनसान जगहमे छौ’ कैहके कहतौ त ओते नै जाइहे आ ‘देख, उ घर भितर छौ’ कैहके कहतौ त बिस्‍बास नै करिहे।#लुका १७:२३-२४ 27कथिलेत जनङ बिजली अकासके कोनो एक कात चम्‍कैछै त दोसरकातके अन्‍ततक इजोत देखा परैछै, अहिनङे मानबके बेटा आबैके दिनमे सबकोइ देखतै। 28जते मरी रहैछै, गिधसब ओतै जमा हेतौ।#लुका १७:३७
मानबके बेटा परगट हैबला दिन
(मरकुस १३:२४-२७, लुका २१:२५-२८)
29 “जब बरका महासङकटके दिनसब बित्‍तै सुरुज अन्‍हार हेतै आ चान आपन चमक दैले छोरतै, अकासके तरासब खस्‍तै आ अकासके सक्‍तीसब थर-थर काप्‍तै। # यसैया १३:१०, योएल २:१०,३१, ३:१५, परकास ६:१२, यसैया १३:१०, इजकिएल ३२:७, योएल २:१०,३१, ३:१५, यसैया ३४:४, परकास ६:१३
30 “तकरबाद मानबके बेटा आबैके चेन्‍हा अकासमे देखा परतै। पिरथिबीके सब जातीसब कना रोहैट करतै आ मानबके बेटाके बादलमे सक्‍ती आ बरका महिमाके सङे आबैत देखतै। # दानिएल ७:१३, जकरिया १२:१०-१४, परकास १:७ 31तुरहीके अबाजसङे उ आपन स्‍वरगदुतसबके पठेतै आ अकास आ पिरथिबीके चारु दिसरसे उ आपन छानल लोकसबके जमा करतै।
अन्‍जिरके गाछके खिसा
(मरकुस १३:२८-३१, लुका २१:२९-३३)
32 “अन्‍जिरके गाछसे यि पाठ सिख, जब ओइमे नरम ठार आ लबगोजा पता एल देखके तोरासबके थाह हैछौ कि गरमिके समय नजदिक एलछै।
33 “तहिनङे जब तुसब हमर यि कहल बातसब हैत देखबिही तब उ आबैबला समय चैल एलछै से बात तुसब जानिहे। 34साच्‍चे हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक यि सब बातसब पुरा नै हेतै ताबेतक यि पुस्‍ताके अन्‍त नै हेतै। 35स्‍वरग आ पिरथिबी बित जेतै, महज हमर बचन रहबे करतै।
साबधान रह
(मरकुस १३:३२-३७, लुका १७:२६-३०)
36 “महज उ संकटके दिन आ घरी कहिया एतै से ककरो नै थाहछै, नै स्‍वरगदुतसबके नै परमेस्‍वरके बेटाके, परमेस्‍वर पिता मातरे जानैछै। 37नोआके दिनमे जेहेन भेल छेलै, हम मानबके बेटा आबैके दिनमे ओहिनङ हेतौ।#उतपती ६:५-८ 38जल परलय से पहिने नोआ जहाज भितर नै ढुकैतक लोकसब खाइछेलै, पियैछेलै, बियाहबारी करैछेलै। 39जब जल परलय आइबके ओकरासबके नै दहाबे लाग्‍लै तबतक ओइसबके थाहे नै भेलै। मानबके बेटा आबैके दिनमे ओहिनङे हेतै।#उतपती ७:६-२४ 40खेतमे काम करैले गेल दुइ गोरामेसे एकटाके लजेतै आ दोसर छोरलजेतै। 41तैहनङे दुइ गोरा जनिसब सङे-सङे जाँत पिसैत रहतौ, महज एकटाके लजेतै त दोसरके छोरलजेतै।
42 “अहैलेल तुसब जागल रह, कथिलेकी तुसब नै जानैचिही कि तोरासबके परभु कोन दिन आइबजेतौ। 43महज यि जानैत रह, कि चोर कोन बखत एतै कैहके मालिकके थाह हेतियै त उ जागले रहतियै आ चोरके सिन कोरके घर ढुकैले नै देतियै।#लुका १२:३९-४० 44तै खातिर तुहुसब तैयार रह, कथिलेत तुसब नै सोचलहा बखत मानबके बेटा एतौ।
45 “के एहेन बिस्‍बास जोग्‍य आ बुधिमान नोकर चियै जेकर मालिक आपन घरके औरो नोकरसबके मुखिया बनेतै जे उ ठिकसे रेखदेख कैरके ओइसबके समयमे खान-पिनके बेबस्‍था करतै? 46उ नोकर धैनके हेतै, जब मालिक एतै त ओकरा ठिकसे काम करैत देख्‍तै। 47साँचे हम तोरासबके कहैचियौ, मालिक सारा सम्‍पतिके जिमा ओइ नोकरके देतै। 48महज यदी दुस्‍ट नोकर हेतै त उ अपने आपके कहतै, ‘हमर मालिक आबैमे देरी कैररहलछै’ कैहके, 49उ आपन जरे काम करैबला नोकरसबके मारपिट करे लाग्‍तै आ अपने पियकर सङे खाइ-पिये लाग्‍तै त, 50ओइ नोकरके मालिक नै सोचल्‍हा दिन आ घरिमे चैलएतै। 51तब मालिक ओकरा कठोर दन्‍ड देतै आ ओकरा कपटीसबके बिचमे फेक देतै, जते लोकसब कानैत रहैछै आ दात किटकिटाइत रहैछै।”

Currently Selected:

मती 24: MTH

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in