YouVersion Logo
Search Icon

मरकुस 14

14
येसुके मारैके योजना
(मती २६:१-१६, लुका २२:१-६)
1निस्‍तार पाबैन आ अखमिरी रोटीके पाबैन हैले दुइ दिन बाकी छेलै। मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसब ओकरा कनङ छलसे पकरबै आ मारबै तै दाउमे रहै। 2महज उसब कहने रहै, “पाबैनके समयमे नै, नै त ओतेका लोकसबमे उपदर मैचजेतौ।”
एकटा जनी येसुके मुरीमे अतर लगेल्‍कै
(मती २६:६-१३, युहन्‍ना १२:१-८)
3येसु बेथानिया गाममे सिमोन कोढि-कुस्‍टी लागल लोकके घरमे खाइछेलै तखुन्‍ते एकटा जनी अतर संगमरमरके सिसीमे जटामसी नामके बहौत महग तेल ल्‍याके एलै आ उ सिसी खोइलके गमकौवा अतर ओकर मुरीमे ढाइर देल्‍कै। 4महज कोइ-कोइ खिस्‍याके एक दोसरके कहेलाग्‍लै, “यि गमकौवा अतर कथिले अनङ नोक्‍सान करैछै? 5कथिलेत यि अतर तिन सय चानीके टकासे बेसिमे बेचके गरिबसबके यि पैसा दैले सक्‍तियै।” तब उसब ओइ जनिके झपारल्‍कै।
6महज येसु कहल्‍कै, “अकरा छोरदहै! कथिले तुसब अकरा हैरान करैचिही? यि त हमर खातिर बहौत असल काम करने छै। 7कथिलेत गरिबसब त तोरेसबसङे सबदिन रहतौ आ जब तोरासबके इक्‍छा लाग्‍तौ त कोनो बखत तुसब भलाइ कैर सकबिही। महज हम त तोरासबके सङे सबदिन नै रहबौ। 8यि जनी जे कुछ करे सक्‍तियै ओह्‍या करल्‍कै। यि हमर देह गारैसे पैहनैये गमकौवा अतर लग्‍याके तैयार कैने छै।#१४:८ ओइ समयमे यहुदीसब गमकौवा तेल मरलेके देहमे लगादैछेलै जेसै गारैके तैयारिमे बन्‍हिया गमक दैछेलै। 9हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, दुनिया भैरमे जते-जते हमर सुसमाचार परचार करलजेतै, तते-तते यि जनी जे करने छै तकर करल कामके चरचा करलजेतै।”
येसुके पकराइले यहुदा तैयार
(मती २६:१४-१६, लुका २२:३-६)
10तब बारह चेलासबमेसे यहुदा इस्‍करियोती येसुके मुख पुजारीसबके हाथमे पकराबैके खातिर ओकरेसब लग गेलै। 11यहुदाके बात सुइनके मुलपुजारीसब बहौत खुसी भेलै आ पैसा दैले कबुल करल्‍कै। तखनिएसे येसुके पकराइले मौका ताके लाग्‍लै।
चेलासबसङे येसुके अन्‍तिम भोज
(मती २६:१७-२५, लुका २२:७-१४, २१-२३, युहन्‍ना १३:२१-३०)
12अखमिरी रोटी पाबैनके पहिन्‍का दिनमे जब उसब निस्‍तार पाबैनमे भेंराके बैलभोग चरहाइछेलै, तब चेलासब ओकरा पुछल्‍कै, “अहाँके इक्‍छा कथी छै? हमसब कते ज्‍याके अहाँके खातिर निस्‍तार पाबैनके भोज तैयार करबै?”
13तब उ आपन चेलासबमेसे दुइ गोरेके यि कैहके पठाइल्‍कै, “सहरमे जो। ओते घैलामे पानी ल्‍याके जाइत एकटा लोक भेटतौ। ओकर पछा-पछा जो। 14उ लोक जै घरमे ढुक्‍तौ ओइ घरके मालिकके कह ‘हमरासबके गुरु जी कहैये, हम आपन चेलासब सङे निस्‍तार पाबैनके भोज खैबै से मेजमान-घर कते छै?’ 15तब उ तोरासबके सजिसजाउ कैरके तैयार करल दोमहलाके उपरका बरका कोठली देखाइतौ आ ओतै तुसब हमरासबके खातिर भोज तैयार कर।” 16तकरबाद उ दुनु चेलासब सहरमे गेलै, तब ओइसबके येसु जैहनङ कहने रहै तैहनङ भेटलै आ उसब निस्‍तार पाबैनके भोज तयार करल्‍कै। 17ओहै दिन साँझमे येसु बारहो चेलासब सङे एलै। 18उसबके खाइत खिना येसु कहल्‍कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, आपनेसब मेसे सङे खाइबला एक गोरा हमरा धोखा देतै।” 19यि बात सुइनके चेलासब दुखीत भेलै, तब उसब एक-एक कैरके येसुके पुछे लाग्‍लै “कि उ हम चियै?”
20येसु ओइसबके कहल्‍कै, “उ तोरेसबमेसे एक गोरा छै, जे हमरसङे थारीमे रोटी बोइर रहल छै। 21कथिलेत मानबके बेटाके बारेमे धरमसास्‍तरमे लिखल जखा हेतौ, महज धिक्‍कार ओइ लोकके जकरसे मानबके बेटाके धोखा हेतै! उ लोक जलम नै लेने रहतियै त निक हेतियै।” 22जब उसब भोज खाइत रहै तहै बखत येसु रोटी ल्‍याके परमेस्‍वरके धन्‍यबाद दैत तोइरके ओइसबके देल्‍कै आ कहल्‍कै, “ले, यि हमर देह चियौ।” 23तब बाटी हाथमे लेल्‍कै आ परमेस्‍वरके धन्‍यबाद द्‍याके ओइसबके देल्‍कै, उ सब गोरे ओहैसे पियल्‍कै। 24उ ओइसबके कहल्‍कै, “यि परमेस्‍वर आ लोकके बिचके समबन्‍ध अस्‍थापित करैबला हमर लबका करारके लहु चियौ, जे बहुत लोकके लेल बहाएल जेतै। 25साच्‍चे हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक परमेस्‍वरके राजमे हम नै एबै ताबे तक लबका अङगुरके मध नै पिबौ।” 26तब उसब एकटा भजन गाइबके सबकोइ निकैलके जैतुन पहाड़ दिसन चैलगेलै। #१४:२६ यहुदीसब भोजके खाना खैलाके बाद, उसब भजनसङगरहमे लिखल ११५ से ११८ तक के गित गाबल्‍कै।
बिनासके बारेमे भबिसबानी
(मती २६:३१-३५, लुका २२:३१-३४, युहन्‍ना १३:३६-३८)
27येसु ओइसबके कहल्‍कै,
“तोरौरके सबकोइ बिस्‍बासमे डगमगेबिही,
कथिलेत धरमसास्‍तरमे एहेन लिखल छै, ‘हम चरबाहाके हमला करबौ आ भेंरासब छिरया जेतौ।’ # जकरिया १३:७ 28महज हम मुरदासे जिके उठलाके बाद हम तोरासबसे पैहनैये गालिलमे जेबौ।”
29तब पतरुस येसुके कहल्‍कै, “सबकोइ अहाँके बिस्‍बासमे डगमगाएत महज हम नै डगमगाब।”
30तब येसु पतरुसके कहल्‍कै, “साँचोके, हम तोरा कहैचियौ, आइ रात मुरगा दुइबेर डाँक दैसे पैहने तु हमरा तिन बेर नै चिन्‍हैचियै कैहके इन्‍कार करबिही।” 31महज पतरुस औरो जोरसे कहल्‍कै, “यदी हमरा अहाँसङे मरहु परतै त हम अहाँके इन्‍कार नै करब।” तब औरो चेलासब एह्‍या बात कहल्‍कै।
गेतसमनीमे येसुके परथना
(मती २६:३६-४६, लुका २२:३९-४६)
32तकरबाद उसब गेतसमनी नामके ठाममे गेलै आ उ आपन चेलासबके कहल्‍कै, “जाबेतक हम परथना करबौ ताबे तक तुसब अतै रह।” 33तब पतरुस, याकुब आ युहन्‍नाके येसु आपनसङे ल्‍याके गेलै, ओकर मन एकदम चिन्‍तासे बिचलित हेबे लाग्‍लै। 34येसु ओइसबके कहल्‍कै, “हमर मन मरैके चिन्‍तासे बिचलित भेल छै। तुसब अतै बैठ आ जागल रह।” 35तब कन्‍हिक दुर ज्‍याके येसु भुइयामे ठेङहुनिया देल्‍कै आ भ्‍यासकैछै त यि दुखके समय हमरसे दुर हेबे कैहके परथना करे लाग्‍लै। 36तब उ कहल्‍कै, “हे, पिता अहाँके लेल सब चिज सम्‍भब छै। यि दुखके बाटी हमरसे हटा दिय। महज हमर इक्‍छा करल जखा नै, अहाँके इक्‍छा करल जखा हेबे।”
37जब उ घुइमके एलै तब आपन चेलासबके सुतल देखल्‍कै। उ पतरुसके कहल्‍कै, “सिमोन, कि तु सुतल चिही? कि तु एको घन्‍टा जागल रहे नै सकलिही? 38जागल रह आ जाँचमे नै परे खातिर तुसब परथना कर। आत्‍मा त साँचोके तैयार छै महज देह दुरबल छै।”
39येसु फेनोसे ज्‍याके ओतै परथना करल्‍कै। 40जब येसु घुइमके एलै त फेनो ओइसबके सुतले देखल्‍कै, कथिलेत ओइसबके आँख निनसे भारी भेलरहै आ ओकरा कथी जबाब देबै से थाह नै भेलै।
41जब उ तेसर बेर एलै आ ओइसबके कहल्‍कै, “कि तुसब अखुनतक सुतलेचिही आ अराम कैररहलचिही? आब भेलौ, समय चैलएलौ। देख, मानबके बेटा पापीसबके हाथमे पकरल ज्‍यारहल छौ। 42उठ, आब चल! देख, हमरा बिस्‍बासघात करैबला लगेमे छौ।”
येसु पकरल गेलै
(मती २६:४७-५६, लुका २२:४७-५३, युहन्‍ना १८:३-१२)
43येसु बोल्‍ते रहैत खिना बारह चेलासबमेसे एक गोरे यहुदा अचानक ओते देखा परलै। ओकरसाथमे बहुत लोकसब तलबार आ लाठी ल्‍याके एलछेलै। उसबके मुल पुजारीसब, धरमगुरुसब आ अगुवासब पठेने छेलै। 44धोखा दैबला यहुदा येसुके पकराबैके लेल एकटा चेन्‍हा देने रहै, “जकरा हम चुमा लेबौ ओहे लोकके तुसब पकैरके पहरेदारके रोहबरमे लजैहे।” 45तब यहुदा येसु लग ज्‍याके कहल्‍कै, “हे गुरु जी!” आ ओकरा चुमा लेल्‍कै। 46तब उसब तखुन्‍ते येसुके पकरल्‍कै। 47महज ओते ठार भेलसबमेसे एक गोरे चेला चक्‍कु निकालके परधान पुजारीके नोकरके कान काइटदेल्‍कै।
48तकरबाद येसु उसबके कहल्‍कै, “कि हम डाकु चियै से? तुसब हमरा पकरैले तलबार आ लाठी ल्‍याके एलचिही? 49दिनदिने त हम मन्‍दिरमे सिक्‍छा दैत तोरेसबसङे छेलियौ महज हमरा पकरैके साहस नै करलिही। महज पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल बात पुरा हेबैएपरतै।” 50तखैन सब चेलासब येसुके छोइरके भाइग गेलै।
51महज एक गोरे जबान लोक सुतिके गम्‍छा पिन्‍हने छेलै से मातरे येसुके पछा लाग्‍लै। उसब ओकरो पकैर लेल्‍कै, 52महज उ आपन गम्‍छा छोइरके नङटे भाग्‍लै।
येसु महासभाके अगामे
(मती २६:५७-६८, लुका २२:६३-७१, युहन्‍ना १८:१३-१४, १९-२४)
53तब उसब येसुके परधान पुजारी लग आनल्‍कै। ओते मुल पुजारीसब, धरमगुरुसब आ औरो अगुवासब जम्‍मा भेल छेलै। 54महज पतरुस दुरेसे येसुके पछा लागैत मुल पुजारीके अङनामे गेलै, तब ओते सिपाहीसब सङे बैठके उ आइग तापे लाग्‍लै।
55घर भितर जम्‍मा भेल मुल पुजारीसब आ महासभामे जम्‍मा भेल सब सदस येसुके मारैले परमान खोजैछेलै। महज उसबके येसुके बिरोधमे कोनो गबाही नै मिल्‍लै। 56बहुतो लोकसब ओकर बिरोधमे झुठा गबाहीसब देल्‍कै। महज उसबके देल कोनो गबाही नै मिल्‍लै। 57तब कुछ लोकसब उइठके ओकर बिरोधमे झुठा गबाही दैत कहल्‍कै, 58“हमसब सुनलियै कि, ‘लोकके हाथसे बन्‍याल यि मन्‍दिरके तोइर देबौ आ तिन दिनमे लोकके हाथसे नै बनल दोसर मन्‍दिर निरमान करबौ।’” 59महज उसबके बात एक-दोसरसे नै मिल्‍लै।
60तकरबाद परधान पुजारी बिचमे ठार भ्‍याके येसुके सबाल करल्‍कै, “यि सबालके जबाफ तोहरसङे नै छौ? यि लोकसब तोहर बिरोधमे गबाही देने से कथी चियौ?” 61येसु चुपचापे रहलै आ कोनो सबालके जबाफ नै देल्‍कै। तब फेनो परधान पुजारी सबाल करल्‍कै, “तब कि तु परमेस्‍वरके बेटा खिरिस्‍ट चिही त?” 62तब येसु कहल्‍कै, “हँ, हम चियै। एक दिन अहाँ मानबके बेटाके महान परमेस्‍वरके देहना हाथ कातमे बैठल आ अकाससे बादलके सङे आइबरहल देखबिही!” 63यि बात सुइनके परधान पुजारी आपन बस्‍तर फाइरके #१४:६३ आपन बस्‍तर फाइरके- महासभाके सदससब येसु खिरिस्‍ट अथबा परमेस्‍वरके बेटा छै कैहके बिस्‍बास नै करैक। येसु कथिले एहेन बातसब दाबी करैछै कैहके पित देखाइले परधान पुजारी आपन बस्‍तर फारल्‍कै।कहल्‍कै, “आब कथिले अकर बिरोधमे हमरासबके कोनो परमान चाही? 64तुसब त इस्‍वर निन्‍दा सुन्‍बे करलिही। आब तोरासबके बिचार कि छौ?” तब उसब येसुके मिरतुदन्‍डके योग्‍य ठानल्‍कै। 65ओइसबमेसे कोइ-कोइ ओकरा थुक दैले लाग्‍लै। आँखमे पट्‍टी बाइन्‍हके थपराइत कहल्‍कै, “ले तु अन्‍तरयामी चिही त, कह त तोरा के पिटल्‍कौ?” तब सिपाहीयोसब ओकरा थापर मारल्‍कै।
पतरुस येसुके इन्‍कार करल्‍कै
(मती २६:६९-७५, लुका २२:५६-६२, युहन्‍ना १८:१५-१८,२५-२७)
66जब पतरुस अङनामे बैठल छेलै तब मुल पुजारीके एकटा नोकरनी ओते एलै, 67आ पतरुसके भियाइरके ताकैत कहल्‍कै, “तुहु त नासरतके येसुसङे छेल्‍ही?”
68महज पतरुस एहेन कैहके इन्‍कार करल्‍कै, “नै गे, तु कथी कहैचिही हम त कुछो नै जानैचियै नै बुझैचियौ।” जब उ अङनासे बाहर जाइबला केबार दिसन गेलै आ तखुन्‍ते मुरगा डाँक देल्‍कै।
69तब उ नोकरनी पतरुसके फेनो देखके आसपासमे भेल लोकसबके कहल्‍कै, “यि लोक त येसुके चेलासबमेसे एक गोरा चियै।”
70महज पतरुस फेनो इन्‍कार करल्‍कै। कुछ देरके बाद ओते ठारभेल लोकसब पतरुसके कहल्‍कै, “साँचोके तुहु ओइसबमेसे एक गोरे चिही, कथिलेत तु गालिल परदेसके लोक चिही।”
71महज पतरुस किरिया खाइत कहल्‍कै, “जे लोकके बारेमे अहाँसब हमरा कहैचियै, उ लोकके हम नै चिन्‍हैचियै!”
72तहै बखत मुरगा दोसर बेर डाँक देल्‍कै। तब येसुके कहल बचन मनमे याद एलै, “दुइ बेर मुरगा डाँक दैसे पैहने तु हमरा तिन बेर इन्‍कार करबिही।” तब पतरुस हेकैच-हेकैचके काने लाग्‍लै।

Currently Selected:

मरकुस 14: MTH

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in