मरकुस 9
9
1तब येसु चेलासबके एहो कहल्कै, “साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, अइ ठाम ठार भेल्हामेसे कोनो-कोनो लोकसब परमेस्वरके राजके सक्ती सङे आबैत नै देखतै ताबे तक नै मरतै।”
येसुके रुप परिबरतन
(मती १७:१-८, लुका ९:२-८)
2छठम दिन बाद येसु आपनसङे पतरुस, याकुब आ युहन्नाके साथमे ल्याके एकटा उच्का पहारमे गेलै आ ओते औरो कोइ नै छेलै। तब ओकरेसबके सामनेमे देख्ते-देख्ते ओकर रुप बदैल गेलै। 3ओकर पिन्हल बस्तर एकदमसे उजर आ चमकदार भेलै, पिरथिबीमे एहेन उजर धोइयोके नै हैछै तेहन उजर भेलै।
4तब ओते एलिया आ मोसा देखा परलै। उसब येसुसङे बातचित कैर रहल छेलै। 5यि देखके पतरुस कहल्कै, “गुरु जी, अपनासबके एते रहनाइ असले भेलै। आब अते हमसब तिनटा पाल बनाएब, एकटा अहाँके लेल, एकटा एलियाके लेल आ एकटा मोसाके लेल।” 6पतरुस आपने कथी बोल्लै से नै जानल्कै, कथिलेत उसब एकदम डराएल छेलै। 7तखुन्ते बादल एलै आ ओइके छाहसे उसबके झाइपदेल्कै आ बादलसे एकटा एहेन अबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, अकर बचन तुसब सुन!” 8अचानक, उसब चारुकात ताकल्कै महज येसु बाहेक औरो ककरो नै देखल्कै।
9तकरबाद उसब पहारसे निचा सैर जगहमे आबे बखत येसु ओकरासबके आग्या करल्कै, “मानबके बेटा जाबेतक मरलसे जिके नै उठतौ ताबेतक यि देखल बात ककरो नै कहिहे।”
10उसब यि बात मनेमे राखल्कै आ जिके उठनाइके मतलब कथी चियै से आपनेमे बतियाइले लाग्लै। 11तब चेलासब येसुके पुछल्कै, “धरमगुरुसब कथिले पहिने एलिया एतै कहैछै?”
12येसु जबाफ देल्कै, “साँच्चो के, पहिने एलिया एतौ आ सब चिजके पहिनेके नहाइत बनाइतै। महज मानब बेटाके बहुत दुख कटनाइ आ दोसरसे बहिस्कार हेबेपरतै से कथिले पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै? 13महज हम तोरासबके कहैचियौ, एलिया आइबगेल छै आ ओकर बारेमे धरमसास्तरमे लिखल बमोजिम लोकसबके जे मन लाग्लै उसब सेह्या करल्कै।”
भुत लागल बालकके निक करल्कै
(मती १७:१४-२१, लुका ९:३७-४३)
14जब उसब औरो चेलासब भेल ठाममे घुइमके एलै तब ओते उसबके एकटा बरका भिर चारुकातसे घेरने छेलै आ धरमगुरुसब चेलासब सङे बहस कैररहल छेलै। 15भिरके लोकसब येसुके देखते मातर छक परलै आ ओकरलग दौरके ज्याके गोरलगी करल्कै। 16येसु आपन चेलासबके पुछल्कै, “कथिके बारेमे तुसब ओकरासबसङे बहस करैचिही?” 17एक गोरे भिरसे येसुके कहल्कै, “गुरु जी, हम आपन बेटाके अहाँ लग आन्ने चियै, अकरा बौक बनाइबला भुत आत्मा लागल छै। 18जब भुत आत्मा अकरा लागैछै तब ओकरा जमिनमे खस्या दैछै, मुहसे लेरपोंटा चुवाबैछै आ दात किटकिटाइछै आ देह ठिठैङ जाइछै। ओइ भुत आत्माके निकाइल दिय कैहके हम अहाँके चेलासबके बिन्ती करलियै महज उसब नै सकलक।” 19तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “ए थेथर पुस्ता, कहियातक हम तोरासबके बिचमे रहबौ? कहियातक बिस्बासमे कमजोरे रहबिही? तोहर बेटाके हमरलग आन।” 20उसब ओकरा येसु लग आनल्कै। भुत आत्माके देख्ते मातर थरथराके भुइयामे खैसपरलै आ मुहसे लेरपोंटा चुबाइत छरपटाइले लाग्लै। 21तब येसु ओकर बाबुके पुछल्कै, “कहियासे एहेन भ्या रहलछौ?” उ जबाफ देल्कै, “छोटेसे।” 22भुत आत्मा अकरा नास करैले बेर-बेर आइग आ पानीमे फेकने रहै। महज अहाँ कुछो करैले सक्बै त दया कैरके निक कैरदियौ। 23तब येसु ओकरा कहल्कै, “कथिले सक्बै कहैचिही? बिस्बास करैबलाके लेल सबकुछ सम्भब हैछै।” 24यि सुनते मातर ओइ छौराके बाबु जोरसे कहल्कै, “हे परभु, हम बिस्बास करैचियै, हमर बिस्बासमे औरो बौकार हैले हमरा सहायता करु।”
25जब भिरके येसु आपन दिसन आबैत देखल्कै तब ओइ भुत आत्माके कहल्कै, “ए बौक आ बैहर करैबला आत्मा, हम तोरा आग्या करैचियौ ओकरसे निकैलके चैल जो आ फेनो ओकरमे कहियो नै ढुक।” 26तब भुत आत्मा ओकरा थरथराबैत ओकर देसके हिलाइत ओकरासे निकैलके गेलै आ उ मरल लहास जखा भ्यागेलै, यि देखके बहुत लोक उ मर गेलै कि कथी कैहके कहेलाग्लै। 27महज येसु ओकर हाथ पकैरके उठेल्कै तब उ खुरखुर्याके उठलै।
28जब येसु घर भितर गेलै तब ओकर चेलासब असगरेमे ओकरा पुछल्कै, “कथिले हमसब ओइ भुत आत्माके निकालैले नै सकलियै?” 29येसु जबाफ देल्कै, “एहेन परकारके भुत आत्मा परथनासे मातरे निकाइल सकैचियै।”
आपन मिरतुके बारेमे येसुके दोसर भबिसबानी
(मती १७:२२-२३, लुका ९:४३-४५)
30तब येसु आपन चेलासबसङे ओइठामसे निकैलके गालिल परदेस हैतगेलै। उसब कते छै, से कोइ नै थाह पाबे ओकर इक्छा छेलै। 31कथिलेत येसु आपन चेलासबके सिक्छा दैत कहल्कै, “मानबके बेटा लोकसबके हाथमे पकरल जेतौ, उसब ओकरा मारतौ आ तेसर दिनमे उ फेनो जिके उठतौ।” 32महज चेलासब यि बातके अरथ नै बुझल्कै आ ओकरसे पुछैयोले डराइछेलै।
सबसे बरका के चियै
(मती १८:१-५, लुका ९:४६-४८)
33जब उसब कफरनहुममे पुग्लै तब घरभितर ज्याके येसु चेलासबके पुछल्कै, “रस्तामे तुसब कथी के बारेमे बातचित करैछेल्ही?” 34महज उसब चुपचाप रहलै, कथिलेत उसब “अपनासबमेसे बरका के चियै” ओकर बारेमे बातचित करैछेलै। 35तब येसु बैठलै आ आपन बारहो चेलासबके बोल्याके कहल्कै, “जे बरका हैले इक्छा करैछै त, ओकरा सबसे छोट बने परतै आ सबके सेबक हेबेपरतै।” 36तब उ एकटा छोट बच्चा ल्याके उसबके बिचमे राखल्कै आ ओकरा कन्हामे ल्याके कहल्कै, 37“जे कोइ एहेन यि छोट बच्चाके हमर नाममे सुइकार करतै, उ हमरा सुइकार करतै आ जे कोइ हमरा सुइकार करतै, उ हमरा मातरे नै महज हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै।”
38तब युहन्ना येसुके कहल्कै, “गुरु जी, एकटा लोक अहाँके नाममे भुत निकालैत देखलियै। हमसब ओकरा रोकैके कोसिसो करलियै, महज उ हमरासबसङे अहाँके कहल नै मानैछै।” 39तब येसु कहल्कै, “ओकरा नै रोक, कथिलेत जे हमर नाममे अचमके काम करैछै उ हमर बिरोधमे जल्दी खराब नै बोल्तै। 40कथिलेत जे अपना बिरोधमे नै छौ उ आपन पक्छमे हेतौ। 41साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, हमर नाममे जे कोइ तोरासबके खिरिस्टके लोक चियै से कैहके एक लोटा पानी पियैले देतौ, उ अबस्ले इनाम पाबतै।”
पापके बिरोधमे चेताबनी
(मती १८:६-९, लुका १७:१-२)
42 जे कोइ हमरमे बिस्बास करैबलाके छोटसे छोट पाप करैले लगाबैछै, ओकरा घेंचमे जाँत बाइन्हके समुन्दरमे फेक देनाइ उचित हेतै। 43यदी तोहर हाथ पाप करैले लगाइछौ त ओकरा काइटके फेकदहै। दुनु हाथ ल्याके नरकके नै बुताइबला आइगमे जाइसे त बरु लुल्हा भ्याके स्वरगमे परबेस करनाइ उचित छै। 44[नरकमे नै त किरा मरैछै नै त आइगे बुताइछै।]#९:४४ (नरकमे नै त किरा मरैछै नै त आइगे बुताइछै।) यि खन्ड सरोत धरमसास्तरमे उल्लेख नै छै 45यदी तोहर टाङ पाप करैले लगाइछौ त ओकरा काइटके फेकदहै। दुनु टाङ ल्याके नरकमे जाइसे त बरु नेङरा भ्याके अनन्त जिबनमे परबेस करनाइ उचित छै। 46[नरकमे नै त किरा मरैछै नै त आइग बुताइछै।] 47तहिनङे यदी तोहर आँख पाप करैले लगाइछौ त ओकरा निकालके फेकदहै। दुनु आँख ल्याके नरकमे जाइसे त बरु आन्हर भ्याके स्वरगमे परबेस करनाइ उचित छै। 48जते नै त किरा मरैछै नै त आइग बुताइछै।
49 “नोनसे बलिदानके सुध करल जखा सबलोक आइगसे खारल जेतै। 50नोन असल चियै, महज ओकर सबाद उइरजेतै त ओकरा फेनो कनङके नोनगर बनाइतै? तु आपनमे नोनके सबाद जखा हो आ एक-दोसरसङे मिलापमे रह।”
Currently Selected:
मरकुस 9: MTH
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.

: