मती 7

7
दोसरके दोस नै लगा
(लुका ६:३७-३८,४१-४२)
1 येसु कहल्‍कै, “ककरो दोस नै लगा तोरोसबके परमेस्‍वर दोस नै लगाइतौ। 2कथिलेत जहिनङ तुसब दोसरके दोसी ठहरेब्‍ही तहिना तुहुसब दोसी ठहर्‌याल जेब्‍ही। जै नापजोखसे तुसब दोसरके देबही ओहै नापजोखसे तुहुसब पाबबिही।#मरकुस ४:२४ 3आपन भाइके आँखके कुरकुट देखैचिही, महज तु आपन आँखके ढेङो नै देखैचिही? 4या आपने आँखके ढेङ नै देखैचिही त आपन भाइके कनङके कहे सकबिही, ‘ला त, हम तोहर आँखके कुरकुट निकाइल दैचियौ।’ 5ऐ कपटीसब! पहिने आपन आँखके ढेङ निकाल तब तु आपन भाइके आँखके कुरकुट निकालैले निकसे देखे सकबिही।
6 “पबितर चिज कुतासबके नै दहै, नै त घुइमके तोरे धरतौ आ आपन हिरा-मोती सुगरसबके अगा नै फेक, नै त उसब आपन तरबासे ओइसबके मिसैर देतौ।
माङ, खोज आ ढकढका
(लुका ११:९-१३)
7 “माङ त तोरासबके देतौ, खोज त तोरासबके भेटतौ, ढकढका त तोरासबके लेल केबार खुलतौ। 8कथिलेत जे माङैछै, उ पाबैछै, जे खोजैछै, ओकरा भेटैछै आ जे ढकढकाइछै, तकरा लेल केबार खुलैछै। 9तोरासबमेसे के एहेन लोक हेतै, जेकर बेटा रोटी माङतै त पथल देतै? 10या माछ माङतै त साँप देतै? 11अहिनङके तुसब दुस्‍ट रइहतो परभी आपन धियापुतासबके असल चिज दैले जानैचिही त, स्‍वरगमे रहैबला तोरासबके पिता, ओकरासे माङैबलासबके औरो कतेक बेसीसे असल चिज देतै।
सकेत केबार
(लुका ६:३१, १३:२४)
12 “लोकसब तोरासबसे जेहन बेबहार करे कैहके चाहैचिही त, तुहुसब ओइसबसे तहिना बेबहार कर, कथिलेत मोसाके बेबस्‍था आ अगमबक्‍तासबके सिक्‍छाके मुल बात एह्‍या चियै। # लुका ६:३१
13 “सकेत केबारसे भितर ढुक, कथिलेत बिनासमे पुगाइबला केबार नमहर आ रस्‍ता चौरा हैछै आ ओइमे ढुकैबला बहुत हैछै। 14जिबनमे पुगाइबला केबार सकेत हैछै आ रस्‍ता कठिन हैछै आ उ रस्‍ता पाबैबला थोरबेक हैछै।
गाछ आ ओकर फर
(लुका ६:४३-४६, १३:२५-२७)
15 “झुठा अगमबक्‍तासबसे होसियार रह, जे तोरासबके बिचमे भेंराके भेसमे आबैछौ, महज भितरसे उसब भुख्‍याल नरहिया जखा हैछै। 16उसबके फरल फरसे तुसब ओइसबके चिन्‍हबिही। कि काँटके झारसे अङगुर या काँटबला लोहजनके गाछसे अन्‍जिर तोरैछै? 17तहिनङे कोनोभी असल गाछमे असले फल फरैछै आ खराब गाछमे खराबे फल फरैछै। 18असल गाछ खराब फल नै फराबे सकैछै, नै त खराब गाछ असल फल फराबे सकैछै। 19असल फल नै फराइबला सब गाछ काइटके आइगमे फेकल जेतै।#मती ३:१०, लुका ३:९ 20अहिनङे उ अगमबक्‍तासबके ओइसबके फरसबसे चिन्‍हबिही।#मती १२:३३
21 “हमरा ‘हे परभु, हे परभु’ कहैबला कोइ नै स्‍वरगके राजमे ढुकैले सक्‍तै। महज जे स्‍वरगमे रहैबला पिताके इक्‍छा पालन करतै उ लोक मातरे स्‍वरगके राजमे ढुकैले पाबतै। 22नियाइके दिनमे बहुतो लोकसब हमरा कहतै, ‘परभु, परभु, कि हमसब अहाँके नाममे अगमबानी नै बोललियै? कि हमसब अहाँके नाममे भुतसब नै निकाललियै? आ कि हमसब अहाँके नाममे बहुतो अचमके कामसब नै करलियै?’ 23तखैन हम तोरासबके कहबौ, ‘हम तोरासबके चिन्‍हबो नै करैचियौ। ए दुस्‍ट काम करैबलासब, हमरसे दुर चैलजो।’#भजनसङगरह ६:८
दुइ किसिमके जग
(लुका ६:४७-४९)
24 “तै खातिर जे हमर बचन सुनैछै आ पालन करैछै, उ एकटा बुधिमान लोक जखा हैछै जे आपन घर चटानमे बनेल्‍कै। 25तब बरसा भेलै, बाइरह एलै, बिहाइर एलै आ घरसे टकराइलै, तैयो उ घर नै खस्‍लै कथिलेत उ घर चटानमे बनाइने छेलै। 26महज जे हमर बचन सुनियोके पालन नै करैछै, उ एकटा मुरुख लोक जखा हैछै जे आपन घर बौलमे बनेल्‍कै। 27बरसा भेलै, बाइरह एलै, बिहाइर एलै आ घरसे टकराइलै तब ओकर घर खैसके बहुत बरका छति भेलै।”
28जब येसु चेलासबके यि बात कैहसक्‍लै तब भिरके सबलोक ओकर सिक्‍छा सुइनके छक परलै। 29कथिलेत उ धरमगुरुसब जखा नै महज अधिकारसे भरल लोक जखा सिखाइछेलै।#मरकुस १:२२, लुका ४:३२

Valgt i Øjeblikket:

मती 7: MTH

Markering

Del

Kopiér

None

Vil du have dine markeringer gemt på tværs af alle dine enheder? Tilmeld dig eller log ind