मती 15
15
सुध आ असुध
(मरकुस ७:१-१३)
1तकरबाद यरुसलेमसे एल्हा फरिसीसब आ धरमगुरुसब येसु लग आइबके पुछल्कै, 2“अहाँके चेलासब पिता-पुरखाके समयसे चलैत एल रितिरिबाज कथिले भङ करैये? कथिले उसब खाइसे पैहने आपन हाथो नै धोबैए?” 3तब येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “तुसब आपन-आपन रितिरिबाज पालन करैके लेल कथिले परमेस्वरके आग्या भङ करैचिही? 4कथिलेत परमेस्वर कहनेछै, ‘आपन माँ-बाबुके आदर कर आ जे कोइ आपन माँ-बाबुके अनादर करतै तकरा मरैये परतै।’#परस्थान २०:१२, बेबस्था ५:१६, परस्थान २१:१७, लेबी २०:९ 5महज तुसब कहैचिही, ‘अदी कोनो लोक आपन माँ-बाबुके एहेन कहैछै, “देखु, हम अहाँसबके दैबला जे कुछ छेलै से हम परमेस्वरके चरह्यादेने चियै।” 6ओकरा आपन माँ-बाबुके सेबा करैके कोनो जरुरी नै परतै।’ अहिनङे तुसब आपन रितिरिबाजके खातिर परमेस्वरके बचनके बेकाम कैरदेने चिही। 7हे कपटीसब! यसैया अगमबक्ताके कहल बातसब तोरासबमे जहिनाके तहिना मिलैछौ-
8 ‘यि लोकसब हमरा मुहसे मातरे आदर करैछै!
महज ओइसबके मन हमरसे बहौत दुर छै। #
यसैया २९:१३
9 तुसब हमरा बलौसे आराधना करैचिही।
कथिलेत तुसब लोकसबके बन्याल नियम मातरे सिखाइचिही।’”
असुध करैबला बातसब
(मरकुस ७:१४-२३)
10तब येसु भिरके लोकसबके आपनलग बोल्याके कहल्कै, “हमर बात मन लग्याके सुन आ बुझ, 11कोनो भि चिज मुह भितर ढुकैछै उ चिज लोकके असुध नै करैछै, महज जे बात मुहसे बाहर निकलैछै, ओहे बात लोकके असुध करैछै।”
12तकरबाद ओकर चेलासब लगमे आइबके कहल्कै, “कि अहाँके थाह भेल? अहाँके कहल बातके कारन फरिसीसब खिस्यालछै।” 13महज येसु जबाफ देल्कै, “स्वरगमे रहैबला हमर पिताके नै रोपल सब गाछ जैंरसे उखारलजेतै। 14ओइसबके छोइरदहै, उसब त अन्हराके डोरियाबैबला आन्हर अगुवा जखा चियै। एकटा अन्हरा दोसर अन्हराके पकैरके बाट देखाइतै त दुनुगोरा खाइधमे खस्तै।”#लुका ६:३९
15तकरबाद पतरुस येसुके कहल्कै, “अहाँ असुध करैके बारेमे कहलहा बात हमरासबके बुझादिय।” 16येसु कहल्कै, “कि अखुन्तो तक तुसब अबुझेचिही? 17कि तुसब नै देखैचिही, जे लोकके मुहसे भितर जाइछै, तब उ पेटमे ज्याके देहसे बाहर निकैल जाइछै। 18महज जे बात मुहसे बाहर निकलैछै, से बात हिरदयसे निकैलके आबैछै आ ओहे लोकके असुध बनाइछै।#मती १२:३४ 19कथिलेत हिरदयेसे खराब बिचार, हतिया, पर-इस्तरी गमन, अनैतिक देहके समबन्ध, चोरी, झुठा गबाही आ निन्दा करैबला बातसब बाहर निकलैछै। 20अहै बातसबसे लोकके असुध बनाइछै। महज हाथ नै धुवाके खेलासे असुध नै करैछै।”
कनानी जनिके बिस्बास
(मरकुस ७:२४-३०)
21तब येसु ओतेसे निकैलके टुरोस आ सिदोनके इलाका दिसन गेलै। 22ओहै इलाकाके एकटा कनानी जनी आइबके चिच्याइत कहेलाग्लै, “हे परभु, दाउद राजके बेटा, हमर उपर दया करु। हमर बेटीके भुत एकदम सत्यारहल छै।” 23महज येसु ओकरा कुछो नै जबाब देल्कै, तब ओकर चेलासब आइबके ओकरा बिन्ती करल्कै, “अकरा बिदाह कैरदिय, कथिलेत उ कानैत-खिजैत अपनासबके पछुवाइने आबैतछै।” 24तब फेनो येसु कहल्कै, “परमेस्वर हमरा इजराएलके लोकसबके लेल मातरे पठाइने छै। उसब हर्याल भेंरासब जखाछै।” 25महज उ जनी येसुके अगारीमे ठेङहुनिया द्याके कहल्कै, “हे परभु, हमरा सहायता करु!” 26महज येसु कहल्कै, “आपन धियापुताके खाइबला चिजसब छिनके कुतासबके देनाइ उचित नै हैछै!” 27तब उ जनी कहल्कै, “अहाँ ठिक कहैचियै परभु! महज कुतोसब त मालिकके खाइबला टेबुलसे खसलाहा खुन्डा-खुन्डीसब खाइछै।” 28तब येसु ओकरा जबाब देल्कै, “ए जनि, तोहर बिस्बास बहौत बरका छौ। जैहनङ तु चाहैचिही तैहनङ तोहर लेल हेबे।” तखुन्ते ओकर बेटी निक भ्यागेलै।
येसु चार हजार लोकसबके खियाइल्कै
(मरकुस ७:३१-८:१०)
29येसु ओतेसे गालिल तालके काते-कात हैतगेलै आ पहाड़मे चहैरके ओतै बैठ्लै। 30तब हुल के हुल लोकसबके भिर ओकरलग एलै। उसब आपनसङे लुल्हा, नेङरा, अन्हरा, बौका आ औरो बहुते किसिमके बिमारीसबके येसुके चरनमे आइनके राइख देल्कै, तब येसु ओइसबके निक कैरदेल्कै। 31जब जम्मा भेल लोकसब बौकासबके बोलैत, लुल्हासबके निक भेल, नेङरासबके चलैत आ अन्हरासब देखे लाग्लै से देखके छक्क परलै आ इजराएलके परमेस्वरके परसन्सा करल्कै।
32तकरबाद येसु आपन चेलासबके आपनलग बोल्याके कहल्कै, “यि लोकसबके भिर देखके हमरा दया आबैये। कथिलेत यीसब हमरसङे रहल आइ तिन दिन भ्यागेलै, आब अकरासबके सङे खाइले कुछ नै छै। अकरासबके हम भुखले पठाइले नै चाहैचियै। नै त उसब भुखसे रस्तामे बेहोस भ्याजेतै।”
33चेलासब ओकरा कहल्कै, “अतहेक बरका लोकसबके भिरके उजार जगहमे खियाइले अतहेक रोटी कतेसे आन्बै?” 34येसु ओइसबके कहल्कै, “तोरासबके सङे क्याटा रोटी छौ?” उसब कहल्कै, “सातटा रोटी आ थोरबेहेक छोटका-छोटका माछ छै।”
35तब येसु लोकसबके भुइयामे बैठेके आग्या देल्कै। 36तकरबाद उ सात रोटी आ माछसब ल्याके परमेस्वरके धन्यबाद देल्कै आ खाइरके चेलासबके परसैले देल्कै। तब चेलासब लोकसबके परैस देल्कै। 37उ सब लोकसब अग्हा-अग्हाके खेल्कै। खेलाके बाद चेलासब उगरल खुन्डा-खुन्डीसब बिछके सात चङेरा जम्मा करल्कै। 38खाइबला लोकसबमे जनिजाइत आ धियापुतासबके छोइरके मरदसब मातरे चार हजार छेलै। 39तकरबाद येसु ओइ लोकसबके बिदा कैरके नाहमे चहरलै आ मगादान इलाका दिसन गेलै।
Επιλέχθηκαν προς το παρόν:
मती 15: MTH
Επισημάνσεις
Κοινοποίηση
Αντιγραφή
Θέλετε να αποθηκεύονται οι επισημάνσεις σας σε όλες τις συσκευές σας; Εγγραφείτε ή συνδεθείτε
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.

: