मत्ती 8
8
कुष्ठ-रोगी स्वस्थ कयल गेल
(मरकुस 1:40-45; लूका 5:12-16)
1यीशु जखन पहाड़ पर सँ नीचाँ उतरलाह तँ लोकक बड़का भीड़ हुनका पाछाँ चलऽ लगलनि। 2एक कुष्ठ-रोगी हुनका लग अयलनि आ निंघुड़ि कऽ प्रणाम करैत कहलकनि, “यौ प्रभु, अहाँ जँ चाही तँ हमरा शुद्ध कऽ सकैत छी।” 3यीशु हाथ बढ़ा कऽ ओकरा छुबैत कहलथिन, “हम अवश्य चाहैत छिअह, तोँ शुद्ध भऽ जाह।” और ओ तुरत अपन रोग सँ शुद्ध भऽ गेल। 4यीशु ओकरा कहलथिन, “सुनह, ककरो किछु कहिअहक नहि। जाह, अपना केँ पुरोहित केँ देखाबह, आ धर्म-नियम मे लिखल मूसाक आदेश अनुसार जे चढ़ौना चढ़यबाक अछि, से चढ़ाबह। एहि तरहेँ सभक लेल गवाही रहत जे तोँ शुद्ध भऽ गेल छह।”
रोमी कप्तानक विश्वास
(लूका 7:1-10)
5यीशु जखन कफरनहूम नगर मे प्रवेश कयलनि तँ रोमी सेनाक एकटा कप्तान आबि हुनका सँ विनती कयलथिन, 6“हे प्रभु, हमर नोकर लकवा सँ पीड़ित भऽ घर मे पड़ल अछि आ महा कष्ट मे अछि।” 7यीशु हुनका कहलथिन, “हम आबि ओकरा स्वस्थ कऽ देबैक।” 8सेनाक कप्तान उत्तर देलथिन, “यौ प्रभु, हम एहि जोगरक नहि छी जे अपने हमरा घर पर आबी। अपने मात्र कहि देल जाओ आ हमर नोकर स्वस्थ भऽ जायत। 9कारण हमहूँ शासनक अधीन मे छी, और हमरा अधीन मे सैनिक सभ अछि। हम एकटा केँ कहैत छिऐक, ‘जाह’ तँ ओ जाइत अछि आ दोसर केँ कहैत छिऐक, ‘आबह’ तँ ओ अबैत अछि। हम अपना नोकर केँ कहैत छिऐक, ‘ई काज करह’ तँ ओ करैत अछि।”
10हुनकर बात सुनि यीशु केँ आश्चर्य भेलनि आ ओ अपना पाछाँ चलऽ वला लोक सभ केँ कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्य कहैत छी, हम इस्राएली सभ मे एहन विश्वास ककरो मे नहि देखलहुँ। 11हम अहाँ सभ केँ कहैत छी, पूब आ पश्चिम सँ बहुत लोक आओत और अब्राहम, इसहाक आ याकूबक संग स्वर्गक राज्य मे भोज खयबाक लेल बैसत, 12मुदा जे सभ ⌞अब्राहमक वंशज होयबाक कारणेँ⌟ राज्यक उत्तराधिकारी होयबाक चाही, से सभ बाहर अन्हार मे भगाओल जायत, जतऽ लोक कानत आ दाँत कटकटाओत।” 13तकरबाद यीशु सेनाक कप्तान केँ कहलथिन, “जाउ, जेहन विश्वास अहाँ कयलहुँ अछि, अहाँक लेल ओहिना होयत।” ओही घड़ी हुनकर नोकर स्वस्थ भऽ गेलनि।
बहुतो रोगी स्वस्थ कयल गेल
(मरकुस 1:29-34; लूका 4:38-41)
14यीशु जखन पत्रुसक घर मे अयलाह तँ देखैत छथि जे पत्रुसक सासु बोखार सँ पीड़ित भऽ ओछायन पर पड़ल छथि। 15यीशु हुनकर हाथ केँ छुबि देलथिन आ हुनकर बोखार उतरि गेलनि। ओ उठि कऽ हिनकर सेवा-सत्कार करऽ लगलीह।
16साँझ पड़ला पर लोक सभ बहुतो लोक केँ जकरा मे दुष्टात्मा छलैक यीशु लग अनलकनि। यीशु आज्ञा दऽ कऽ ओकरा सभ मे सँ दुष्टात्मा सभ केँ निकालि देलथिन और सभ रोगी केँ स्वस्थ कऽ देलथिन, 17जाहि सँ परमेश्वरक प्रवक्ता यशायाहक ई वचन पूरा होअय जे,
“ओ हमर सभक रोग-बिमारी अपना पर लऽ
हमरा सभ सँ दूर हटा देलनि।”#8:17 यशा 53:4
यीशुक शिष्य बनब हल्लुक बात नहि
(लूका 9:57-62)
18जखन यीशु अपना चारू कात लोकक बड़का भीड़ देखलनि तँ अपना शिष्य सभ केँ झीलक ओहि पार चलबाक आदेश देलथिन। 19तखन एकटा धर्मशिक्षक हुनका लग आबि कऽ कहलथिन, “गुरुजी, जतऽ कतौ अपने जायब, ततऽ हमहूँ अपनेक संग चलब।” 20यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “नढ़िया केँ सोन्हि छैक और आकाशक चिड़ै केँ खोंता, मुदा मनुष्य-पुत्र केँ मूड़िओ नुकयबाक जगह नहि छैक।”
21केओ दोसर, हुनकर एकटा शिष्य, हुनका कहलकनि, “प्रभु, हमरा पहिने जा कऽ अपना बाबूक लास केँ गाड़ि आबऽ दिअ।” 22यीशु ओकरा कहलथिन, “अहाँ हमरा पाछाँ आउ, आ मुरदा सभ केँ अपन मुरदा गाड़ऽ दिऔक।”
अन्हड़-बिहारि सेहो यीशुक अधीन
(मरकुस 4:35-41; लूका 8:22-25)
23यीशु नाव पर चढ़लाह तँ शिष्य सभ सेहो हुनका संग विदा भेलथिन। 24एकाएक झील मे बहुत बड़का अन्हड़-बिहारि उठल आ नाव लहरिक पानि सँ भरऽ लागल। मुदा यीशु सुतल छलाह। 25शिष्य सभ आबि कऽ हुनका जगबैत कहलथिन, “प्रभु, हमरा सभ केँ बचाउ! हम सभ डुबऽ-डुबऽ पर छी!” 26यीशु शिष्य सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभक विश्वास एतेक कम किएक अछि? अहाँ सभ एतेक डेरायल किएक छी?” तकरबाद यीशु उठि कऽ अन्हड़-बिहारि आ लहरि केँ डँटलथिन। अन्हड़-बिहारि थम्हि गेल आ सभ किछु एकदम शान्त भऽ गेल। 27शिष्य सभ आश्चर्यित भऽ कहऽ लगलाह, “ई केहन मनुष्य छथि? अन्हड़-बिहारि आ लहरिओ हिनकर आदेश मानैत छनि!”
दुष्टात्मा पर यीशुक अधिकार
(मरकुस 5:1-20; लूका 8:26-39)
28जखन यीशु झीलक ओहि पार गदरेनी सभक इलाका मे पहुँचलाह तँ दुष्टात्मा सँ ग्रसित दू व्यक्ति कबरिस्तान वला क्षेत्र सँ बहरा कऽ हुनका भेटलनि। ओ दूनू व्यक्ति एतेक उग्र छल जे लोक सभ डरेँ ओहि बाटे चलनाइ छोड़ि देने छल। 29ओ दूनू चिचिया उठल, “यौ परमेश्वरक पुत्र, हमरा सभ सँ अपने केँ कोन काज? की समय सँ पहिनहि अपने हमरा सभ केँ सतयबाक लेल एतऽ आयल छी?”
30ओहिठाम सँ कनेक दूर पर सुगरक बड़का झुण्ड चरि रहल छल। 31दुष्टात्मा सभ यीशु सँ विनती कयलकनि, “जँ अहाँ हमरा सभ केँ भगाइए रहल छी तँ हमरा सभ केँ ओहि सुगरक झुण्ड मे पठा दिअ।”
32यीशु ओकरा सभ केँ कहलथिन, “जो!” दुष्टात्मा सभ दूनू व्यक्ति मे सँ निकलि कऽ सुगरक झुण्ड मे प्रवेश कऽ गेल। सुगरक पूरा झुण्ड दौड़ि कऽ पहाड़ पर सँ झील मे खसल और डुबि कऽ मरि गेल।
33तखन सुगर चराबऽ वला सभ भागल आ ई सभ समाचार नगर मे जा कऽ सुनाबऽ लागल। ओहि दूनू दुष्टात्मा लागल व्यक्ति केँ की भेलैक, सेहो सुनौलकैक। 34एहि पर नगरक सभ लोक यीशु सँ भेँट करबाक लेल नगर सँ बाहर आबि गेल। यीशु केँ देखि ओ सभ हुनका सँ विनती करऽ लगलनि जे, “अहाँ हमरा सभक इलाका सँ चल जाउ।”
Tällä hetkellä valittuna:
मत्ती 8: mai
Korostus
Jaa
Kopioi
Haluatko, että korostuksesi tallennetaan kaikille laitteillesi? Rekisteröidy tai kirjaudu sisään
©2010 The Bible Society of India and © Wycliffe Bible Translators, Inc.

: