1
यूहन्ना 1:12
jivən səndesh
तैयो जे सभ हुनका स्वीकार कयलक, अर्थात् जे सभ हुनका पर विश्वास कयलक, तकरा सभ केँ ओ परमेश्वरक सन्तान बनबाक अधिकार देलथिन।
比較
यूहन्ना 1:12で検索
2
यूहन्ना 1:1
शुरू मे वचन रहथि। वचन परमेश्वरक संग छलाह, और अपने परमेश्वर छलाह।
यूहन्ना 1:1で検索
3
यूहन्ना 1:5
इजोत अन्हार मे प्रकाश दैत अछि, और अन्हार ओहि पर कहियो विजयी नहि भेल अछि।
यूहन्ना 1:5で検索
4
यूहन्ना 1:14
वचन मनुष्य बनि गेलाह, और कृपा आ सत्य सँ परिपूर्ण भऽ, हमरा सभक बीच मे निवास कयलनि। हम सभ हुनकर एहन महिमा देखलहुँ जेना पिताक एकलौता पुत्रक महिमा।
यूहन्ना 1:14で検索
5
यूहन्ना 1:3-4
वचने द्वारा सभ वस्तु उत्पन्न कयल गेल, और जे किछु उत्पन्न भेल ओहि मे सँ एकोटा वस्तु हुनका बिना उत्पन्न नहि भेल। हुनका मे जीवन छल, और ई जीवन मनुष्यक लेल इजोत छल।
यूहन्ना 1:3-4で検索
6
यूहन्ना 1:29
दोसरे दिन यूहन्ना यीशु केँ अपना दिस अबैत देखि बजलाह, “देखू! ई परमेश्वरक बलि-भेँड़ा छथि जे संसारक पाप उठा कऽ लऽ जाइत छथि।
यूहन्ना 1:29で検索
7
यूहन्ना 1:10-11
ओ संसार मे छलाह, संसार हुनका द्वारा बनाओल गेल छल, तैयो संसार हुनका नहि चिन्हलकनि। ओ अपना ओहिठाम अयलाह, मुदा हुनकर अपन लोक हुनका स्वीकार नहि कयलकनि।
यूहन्ना 1:10-11で検索
8
यूहन्ना 1:9
ओ इजोत वास्तविक इजोत छलाह, जे प्रत्येक मनुष्य केँ प्रकाशित करैत छथि। और ओ इजोत संसार मे आबि रहल छलाह।
यूहन्ना 1:9で検索
9
यूहन्ना 1:17
धर्म-नियम मूसा द्वारा देल गेल, मुदा कृपा और सत्य यीशु मसीह द्वारा आयल।
यूहन्ना 1:17で検索
ホーム
聖書
読書プラン
ビデオ