लूका 24:46-47

लूका 24:46-47 MAI

ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “धर्मशास्‍त्र मे ई लिखल अछि जे, उद्धारकर्ता-मसीह दुःख उठौताह आ तेसर दिन मृत्‍यु सँ जीबि उठताह, और यरूशलेम सँ शुरू कऽ पृथ्‍वीक सभ जातिक लोक मे हुनकर नाम सँ एहि बातक प्रचार कयल जायत जे, अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करू आ पापक क्षमा प्राप्‍त करू।