आब अपने आपके नुक्याके राखे नैसक्बै कहिके ऊ जनानी डरसे काँप्ते ऐलै आर ओकर पैरीमे गोड लागल्कै। आर कहिने ऊ येशूके छुल्कै, आर केरंके तुरन्ते ऊ ठीक भ्यागेलै, से बात सभे आदमीसिके समनामे बतैल्कै। येशू ओकरा कहैल्कै, “हे बेटी हमे तोरा ठीक कैलियौ कहिनेकी तुहें हमरापर विश्वास कैल्हैं, कुशलसे जो।”