लुका 1
1
थियोफिलसके समरपन
1हमरासबके बिचमे पुरा भेल घटनासबके बिबरन लैबला बहुत लोकसब आपन हाथमे लेने छै। 2उसब जे सुरुवेसे बचनके साकछात साक्छी आ सेबकसब छेलै, यि बात उसब हमरासबके कहल्कै। 3माननिय थियोफिलस#१:३ लुका अते थियोफिलस कहनेछै जे ओइ समयके बरका लोक छेलै। सुरुवेसे होसियारीसाथ सब चिजसबके तलासी करनेचियै आ तोहर लेल बिबरन मिल्याके लिखैले हमरा निक लागल, 4जे कि अहाँके सिखेल्हा बातसबके सत्यता अहाँ बुइझसक्बै।
बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके जलमके भबिसबानी
5यहुदियाके रजा हेरोदके बखतमे अबियाके कुलमे एकटा जकरिया नामके पुजारी छेलै। ओकर घरबाली एलिसिबा सेहो हारुनेके कुल-खन्दानके छेलै। 6उसब दुनुगोरे परमेस्वरके नजरमे धरमी छेलै आ परमपरभुके सब आग्या आ धारमिक नियमसब मानैछेलै। 7उसबके धियापुता नै भेल छेलै, कथिलेत एलिसिबा बाइझ छेलै आ दुनुगोरे बुढ भ्यागेल छेलै।
8एक दिन जकरिया मन्दिरमे आपन दलके पालीमे परमेस्वरके सेबाके काममे पुजारी काम कैर रहल छेलै। 9तब पुजारी सेबाके रित अनुसार चिठा खोलनेछेलै। परमेस्वरके मन्दिर भितर ढुइकके धुप बारैबला काम जकरियाके नाममे चिठा परल छेलै। 10धुप बारै बखत लोकसबके भिर बाहरमे परथना कैर रहल छेलै। 11जकरिया भितरे रहै बखत एकटा परमेस्वरके स्वरगदुत धुप बारैबला बेदीके दहिनाकात देखा परलै। 12जकरिया स्वरगदुतके देखके घबरागेलै आ डर्यालछेलै। 13महज स्वरगदुत ओकरा कहल्कै, “ए जकरिया, नै डेरा! तोहर परथना परमेस्वरमे सुइकार भेलछौ। आब तोहर घरबाली एलिसिबा तोहर लेल एकटा बेटा जलमाइतौ, तु ओकर नाम युहन्ना राखिहे। 14तु बहुत आनन्द आ खुसी हेब्ही आ बहुत लोकसब ओकर जलममे खुसी मनाइतै। 15कथिलेत परभुके नजरमे उ महान हेतै। उ कहियो नै अङगुरके मध आ दोसर कोनो निसाबला चिज छुबतै। उ जलमैसे पहिने पबितर आत्मासे भरल रहतै। 16तब उ बहुत इजराएलीसबके आपन परभु परमेस्वरमे बिस्बास करैले घुम्याके लाबतै। 17उ एलिया जखा सक्ती आ पबितर आत्मासे भरल लोक बन्तै। उ परभु आबैके लेल लोकसबके हिरदय तैयार करतै। बाबुसबके मन धियापुता दिसन आ थेथरसबके मन धरमीसबके बुइधमे तैयार कैरके घुम्याके लाबतै।”
18तब जकरिया स्वरगदुतके कहल्कै, “यि साँचोके हेतै से हम कनङके जान्बौ? हम आ हमर घरबालीयो बुढ भ्यागेलियै।” 19स्वरगदुत ओकरा कहल्कै, “हम गबरिएल चियै, हम परमेस्वरके अगामे ठार रहैचियै। तोहर सङे बात करैले आ असल समाध सुनाबैले परमेस्वर हमरा पठाइने छै। 20आब सुन, जाबेतक यि बचन पुरा नै हेतै ताबेतक तु बौक भ्याजेब्ही आ बोले नै सकबिही, कथिलेत तु हमर बचनमे बिस्बास नै करलिही, जे आपने समयमे पुरा हेतै।”
21ओहैबिच लोकसब मन्दिरके बाहर जकरियाके लेल असियाल रहै, उ कथिले अतेक समय लगाइल्कै कैहके सब लोकसबके आस्चरज लाइगरहल छेलै। 22जब जकरिया बाहर एलै, तब उ ओइसबसङे बोले नै सक्लै आ हाथसे इसरा करल्कै, जकरिया मन्दिरमे दरसन देख्ने हेतै से उसब बुझल्कै।
23ओकर सेबाके काम ओरियागेलाके बाद उ आपन घर घुइमके गेलै। 24कुछ दिनके बाद ओकर घरबाली एलिसिबाके देहभारी भेलै आ पाँच महिनातक घरेमे रहलै। 25एलिसिबा कहल्कै, “परमेस्वर केहन दयालु छै, हमर उपरमे लागल कलंकके हटा देनेछै।”
येसुके जलमके भबिसबानी
26एलिसिबाके देहभारी भेला छ महिनाके बाद परमेस्वर गबरिएल स्वरगदुतके गालिल परदेसके नासरत सहरमे पठाइल्कै। 27उ मरियम नामके कुमाइर कन्याके घरमे गेलै, जकरा दाउदके खन्दानके योसेफ नामके लोकसे मङनी भेल छेलै।
28स्वरगदुत मरियम लग आइबके कहल्कै, “गोर लागैची! तुहे किरपा पाबनेचिही।” 29ओकर कहल बातसे मरियम एकदमसे घबरागेलै आ केहन किसिमके गोरलगी चियै से सोचे लाग्लै। 30स्वरगदुत ओकरा कहल्कै, “नै डेरा, मरियम, कथिलेत तु परमेस्वरके किरपा पाबनेचिही। 31देख, आब तोहर देहभारी हेतौ आ तु एकटा बेटाके जलम देबही आ ओकर नाम येसु राखबिही। 32उ महान हेतै आ परमपरधानके बेटा कहाइतै। परभु परमेस्वर ओकरा ओकर पुरखा दाउदके सिंहासन देतै। 33उ इजराएलमे सबदिन राज करतै। ओकर राजके अन्त कहियो नै हेतै।”
34मरियम स्वरगदुतके कहल्कै, “यि कनङके हेतै? हम त कुमाइरे चियै।” 35स्वरगदुत ओकरा जबाफ देल्कै, “पबितर आत्मा तोहर उपरमे एतौ आ महान परमेस्वरके सक्तिके छाह तोहरमे परतौ। तैल्याके जल्मैबला बच्चा पबितर हेतै आ उ परमेस्वरके बेटा कहाइतै। 36तु सुन, तोहर नातेदार एलिसिबा आपन बुढ अबस्थामे देहभारी भेल छै, लोकसब ओकरा बाइझ कहैछेलै। महज अखन ओकर कोइखमे छ महिनाके बच्चा छै। 37कथिलेत परमेस्वरके लेल कोनो काम असम्भब नै छै।” 38तब मरियम कहल्कै, “हम त परमेस्वरके दासि चियै, हमरा अहाँके बचन अनुसार पुरा हेबे।” तब स्वरगदुत ओकरसे बिदा भेलै।
मरियम आ एलिसिबाके भेटघाट
39कुछ दिनके बाद मरियम यहुदियाके पहाड़के सहरमे जल्दीसे गेलै। 40जते जकरिया रहैछेलै। उ घर भितर ज्याके एलिसिबाके गोरलगी करल्कै। 41जब एलिसिबा मरियमके गोरलगी सुनल्कै तब ओकर कोइखके बच्चा चलेलाग्लै आ एलिसिबा पबितर आत्मासे भरपुर भ्याके, 42जोरसे कहल्कै, “तु त जनिजाइतमे सबसे धैनके चिही आ तोहर कोइखके बच्चा धैनके हेतौ। 43हमर उपरमे केहन किरपा भेलै जेकि हमर परभुके माँ हमरा भेटैले एलै? 44जब हम तोहर गोरलगी सुनलियै, हमर कोइखके बच्चा खुसीसे कुइद उछरलै। 45तु धैनके चिही कथिलेत परमेस्वर जे कहने छेलौ ओहै बात पुरा करतौ कैहके तु बिस्बास करलिही तब परमेस्वर काम करल्कौ।”
मरियमके इस्तुतिगित
46तब मरियम कहल्कै,
“हमर परान परमपरभुके परसन्सा करैछै,
47आ हमर आत्मा मुक्तीदाता परमेस्वरमे आनन्द मनाबैछै।
48कथिलेत उ त हमर जखा निच दासिके दुखमे किरपा करने छै,
आबसे साँचोके सब पुस्ताके लोकसब हमरा धैनके कहतै।
49कथिलेत सक्तिसाली परमेस्वर हमर खातिर महान काम करने छै।
ओकर नाम पबितर छै।
50ओकर आदर करैबलासबके उपर ओकर किरपा पुस्तोतक रहतै।
51उ आपन बाइहके तागत परगट करने छै। उ हिरदय भितरके बिचारमे घमन्ड करैबलासबके तितर-बितर कैरदेनेछै।
52उ सक्तिसाली रजासबके ओकर सिंहासनसे अलग करने छै
आ आपनके कमजोर ठानैबलाके उपर उठाइने छै।
53भुख लागलसबके उ असल चिजसे पेट भरनेछै आ धनिक्हासबके छुच्छे हाथ पठाइने छै।
54उ अपना किरपा याद कैरके
आपन सेबक इजराएलके सहायता करने छै।
55उ अबराहम आ ओकर
आबैबला पुस्ताके सबदिनके लेल दया देखाइनेछै।”
56मरियम एलिसिबासङे तिन महिनातक रैहके आपन घर घुइमके एलै।
बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके जलम
57एलिसिबाके बच्चा जलमाबैके समय भेलै, तब उ एकटा बेटाके जलम देल्कै। 58जब ओकर परोसिया आ नातेदारसब सुनल्कै कि परमेस्वर ओकरा बहुत दया करने छै तब ओकरसङे सबकोइ खुसी मनाइल्कै। 59जब बालक आठ दिनके भेलै, उसब खतना करैले गेलै। उसब ओकर बाबुएके नाम जखा जकरिया राखैले सोच्ने छेलै। 60महज एलिसिबा कहल्कै, “नै! अकर नाम युहन्ना राखे परतै।” 61उसब ओकरा कहल्कै, “तोहर नातेदारसबमे एहेन नाम ककरो नै छै।” 62तब उसब ओकर बाबुके इसरासे पुछल्कै, “तु अकर नाम कथी राखैले चाहैचिही?” 63उ लिखैबला पाटी माइङके “अकर नाम युहन्ना चियै” से लिखल्कै। उ सबकोइ छक्के परलै। 64तखुन्ते जकरियाके बाक फुटलै आ उ परमेस्वरके परसन्सा करे लाग्लै। 65यि देखके सब परोसियासब डर्यालछेलै। यहुदियाके जम्मे पहाड़ी इलाकासबमे यि घटनाके चरचा फैलगेलै। 66यि घटनाके बात सुनैबलासब आस्चरज मानल्कै आ कहल्कै, “यि बालक पाछे केहन हेतै?” कथिलेत परमेस्वरके सक्ती ओकर उपर छेलै।
जकरियाके इस्तुतिगित
67तब ओकर बाबु जकरिया पबितर आत्मासे भैरके अगमबानी बोले लाग्लै,
68“इजराएलके परमपरभु परमेस्वरके परसन्सा हेबे,
कथिलेत उ एलछै आ आपन लोकसबके छुटकारा देने छै।
69उ आपन सेबक दाउदके खन्दानमे हमरासबके लेल
एकटा सक्तिसाली मुक्तीदाता ठार करने छै।
70जहिनङ उ परापुरुवेकालसे आपन पबितर अगमबक्तासबके मुहसे बोल्नेछै,
71आब हमरासबके दुस्मनसब आ घिरना करैबलासबके हाथसे हमरासबके बचाइतै।
72उ हमर पिता पुरखासबसङे बान्हल पबितर करार याद कैरके
हमरासबके दया करने छै।
73यि करार उ हमर पुरखा अबराहमसङे करने छेलै।
74आ हमरासबके हमर दुस्मनके हाथसे छुटाइनेछै, आब हमसब नै डेराके,
75पबितर आ धरमी भ्याके जिबनभैर ओकर सेबा करेसकी।
76हे हमर बेटा, तु सरबोच परमेस्वरके अगमबक्ता कहाइबिही।
कथिलेत तु परभुके अगा-अगा ओकर रस्ता बनाइले जेब्ही।
77‘कनङके पापसे छमा पाइबके मुक्ती पाबबिही’ से बात तु ओकर लोकसबके कहबिही। 78परमेस्वरके दयालु किरपाके कारन,
स्वरगसे बिहन्का मुक्तीके इजोत हमरासबके लग पठाइतै।
79अन्हारमे बैठलहा आ मिरतुके छाहमे परलाहासबके मुक्तीके इजोत देतौ
आ हमरासबके सान्तीके रस्तामे ल्याजेतै।”
80तब बालक युहन्ना देहमे आ आत्मिक रुपमे बरहैत बौकार हैतगेलै आ इजराएलीसबके बिचमे देखा परैसे पहिने उ उजारे जगहमे रहैछेलै।
Currently Selected:
लुका 1: MTH
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.