YouVersion Logo
Search Icon

लुका 10

10
सतर चेलासबके येसु परचार करैले पठाइल्‍कै
1तकरबाद परभु येसु औरो सतर गोरे चेलासबके छानल्‍कै आ ओकरासबके दुइ-दुइगोरे कैरके गामसब आ सहरसबमे अपना जायसे पहिने परचार करैले पठाइल्‍कै। 2येसु उसबके कहल्‍कै, “बाली त परसस्‍त छै, महज जनसब कमे छौ। तै खातिर बालीके परभुके बिन्‍ती कर आ उ आपन बाली काटैले जनसब पठादेतौ। 3आब जो, हम तोरासबके नरहियाके बिचमे भेंराके पठरु जखा लोकसबके बिचमे पठाइचियौ। 4तुसब रस्‍ताके लेल कुछो नै लेजाइजो। नै पैसाके थैली, नै झोरा, नै जुता बोक आ रस्‍तामे ककरो गोरलगीयो नै करिहे। 5जे घरमे तुसब जेबिही ‘यि घरमे सान्‍ती हेबे!’ कहिहे। 6ओइ घरमे सान्‍तीपिरिय लोकसब हेतौ त तोरासबके सान्‍ती ओकरौरसङे रहतौ महज नै छै त उ सान्‍ती तोरेसबके दिसन घुइमके चैलएतौ। 7तुसब घर-घर नै घुम। एके घरमे रह, जे चिज तोरासबके खाइले देतौ ओह्‍या खो आ पि। कथिलेत काम करैबला आपन बैनके योग्‍यके हैछै। 8ओहिनङे जब तुसब कोनो सहरमे जेब्‍ही आ उसब तोरासबके स्‍वागत करतौ तब तोरासबके लेल तैयार करलाहा खाना खो। 9ओइ ठामके रोगी बिमारीसबके निक कर आ ओकरासबके कही ‘परमेस्‍वरके राज तोरासबके नजदिक आइबगेल छौ।’ 10महज तुसब जे सहरमे जेबिही, ओइ जगहके लोकसब स्‍वागत नै करतौ त ओइ जगहसे बाहर निकैलके जो आ कहै, 11‘हमरासबके गोरमे लागल यि सहरके गरदासहित तोरासबके बिरुधमे झारैचियौ आ तुसब यि जान कि परमेस्‍वरके राज लग आइबगेलछौ!’ 12हम तोरासबके कहैचियौ, नियाइके दिनमे सदोम बासिसबके दुखसे बेसी यि सहर बासिसबके दुख बेसी हेतै।
13 “धिक्‍कार तोरा खोराजिनके बासिसब! आ धिक्‍कार तोरा बेथसेदाके बासिसब! कथिलेत तोरासबके बिचमे करलाहा अच्‍चमके कामसब टुरोस आ सिदोन सहरमे करनेरहतीयै त ओतेका लोकसब आपन-आपन पाप माइनके बोराके पहिरन लगाके छौरमे बैठके पस्‍चाताव करतियै। 14नियाइके दिनमे तोरासबके दुखसे बेसी टुरोस आ सिदोनके दुख कम हेतै। 15तब हे कफरनहुमके बासिसब, तुसब स्‍वरगतक ज्‍याके आदर सम्‍मान देबही से सोचैचिही? नै, तुसब त नरकमे खसबिही।
16 “जे तोरासबके बातसब मान्‍तौ, उ हमरो बातसब मान्‍तै आ जे तोरासबके इन्‍कार करतौ, उ हमरो इन्‍कार करतै आ जे हमरा इन्‍कार करतै, उ हमरा पठाइबलाके इन्‍कार करतै।”
सतर चेलासब घुइमके एलै
17सतरो चेलासब खुसिसाथ घुइमके एलै आ कहल्‍कै, “परभु जी, अहाँके नामसे भुतसब हमरासबके बसमे आबैछै!” 18तब येसु ओकरासबके कहल्‍कै, “हमे सैतानके स्‍वरगसे बिजली जखा खसैत देखलियै। 19हम तोरासबके साँप आ कोकर बिछीसबके उपर खालि लातसे मिसरैके अधिकार देने चियै, सतरुके सब सक्‍तिके उपर अधिकार देनेचियौ। आब कोनो चिज तोरासबके हानी नै करतौ। 20तैयो भुतआत्‍मासब तोरासबके अधिनमे छौ कैहके खुसी नै मना, महज स्‍वरगमे तोरासबके नाम लिखलछौ तैमे खुसी मना।”
21तहै बखत येसु पबितर आत्‍मामे खुसीसे भैरके कहल्‍कै, “हे परमेस्‍वर पिता, स्‍वरग आ पिरथिबीके मालिक, हम अहाँके धन्‍यबाद चरहाइचियै, कथिलेत अहाँ यि बातसब बुधिमान आ समझदारसे घोसाइरके राखल बात छोट बच्‍चासबमे परगट करलियै, कथिलेत पिता, अहिनङ करैले अहाँके इक्‍छा लागल।
22 “हमर पिता हमरा सबचिजके जिमा देने छै। बेटा के चियै से पिता बाहेक कोइ नै चिन्‍हैछै, पिताके चियै से बेटा बाहेक कोइ नै चिन्‍हैछै आ बेटा ओकरा जकरलग परगट करैके इक्‍छा करैछै से औरो कोइ नै जानैछै।”
23चेलासब दिसन येसु घुइमके रसेरसे ओकरासबके कहल्‍कै, “यि सब बात देखैबला तुसब धैनके चिही! 24कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, बहुत अगमबक्‍ता आ रजासब तोरासबके देखलहा यि बातसब देखैले आ सुनैले इक्‍छा करने छेलै, महज नै पाबल्‍कै।”
असल सामरीके खिसा
25एक दिन एकटा धरमगुरु आइबके येसुके फसाइले उपाय लगाइत कहल्‍कै, “गुरु जी अनन्‍त जिबन पाबैके लेल हमरा कथी करेपरतै?” 26तब येसु ओकरा जबाफदैत कहल्‍कै, “अकर बारेमे पबितर धरमसास्‍तर कथी कहैछै? ओइमे तु कथी पढनेचिही?” 27तब उ कहल्‍कै, “तु परमपरभु आपन परमेस्‍वरके आपन पुरे मनसे, पुरे परानसे, पुरे सक्‍तीसे आ पुरे बुइधसे परेम कर तब आपन परोसियाके आपने जखा परेम कर।”#बेबस्‍था ६:५, लेबी १९:१८ 28येसु कहल्‍कै, “तोहे ठिक कहैचिही। ओहिनङे कर तब तु जिबही।” 29महज उ धरमगुरु हम्‍ही ठिक चियै देखाइले कहल्‍कै, “तब हमर परोसिया के चियै त?”
30येसु ओकरा जबाफदैत कहल्‍कै, “कोनो एकटा बटोही यरुसलेमसे यरिहो दिसन जाइ छेलै। रस्‍तामे ओकरा डाकुसब पकैरके नङटे कैरके मारपिट करल्‍कै आ अधमरु कैरके छोइरदेल्‍कै। 31संजोगसे एकटा पुजारी ओहै रस्‍तासे अनेभरा आबैत रहै महज उ घायल लोकके देखके दोसर कातसे मुह घुम्‍याके चैलगेलै। 32तहिनङ ओनेसे लेबी खन्‍दानके एकटा पुजारी ओहै रस्‍तासे एलै महज ओहो घायल लोकके देखके दुरेसे दोसरे कात मुह घुम्‍याके चैलगेलै। 33एकटा सामरी लोक ओहैठिना रस्‍तासे एलै। ओइ घायल लोकके देखके दया लाइगगेलै। 34आ उ ओकरलग गेलै। उ ओकर घाँहमे तेल#१०:३४ तेल- घा दुखाइ कम करेके लेल लगाइबला चिज आ अङगुरके मध#१०:३४ अङगुरके मध- घा के सफा करैबला एक परकारके रस लग्‍याके पट्‍टी बाइन्‍हदेल्‍कै। तकरबाद उ घायल लोकके आपने गदहामे चरहाके एकटा धरमसलामे ल्‍यागेलै आ रातभैर सेबासुसार करल्‍कै। 35तकर बिहान दुटा चानीके टका#१०:३५ दुटा चानीके टका- दुइ दिनके काम करे बराबरके बोइन द्‍याके जाइबखतमे धरमसलाके मालिकके कहल्‍कै, ‘अकरा निकसे देखभाल करिहे औरो खरचा लागतौ त हम फेनो एबौ तब द्‍या देबौ।’”
36यि खिसा सुनेलाके बाद येसु पुछल्‍कै, “यि तिन गोरेमे से डाकुके हाथमे परल लोकके परोसियाके भेलै त?” 37उ कहल्‍कै, “दया करैबला लोक!” येसु कहल्‍कै, “जो, तुहु ओहिनङे कर।”
मारथा आ मरियमके घरमे येसु
38येसु आ ओकर चेलासब जाइतकाल एकटा गाममे पुग्‍लै, ओते मारथा नाम भेल एकटा जनी येसुके आपन घरमे स्‍वागत करल्‍कै। 39ओकर बहिनके नाम मरियम छेलै। उ येसुके गोर लग बैठके ओकर बचन सुनैछेलै। 40महज मारथा सेबा सत्‍कारके काममे ओझराएल छेलै। मरियम येसुके लगमे आइबके कहल्‍कै, “हे परभु सेबा सत्‍कारके काममे हमर बहिन हमरा असगरे छोरदेनेछै, कि अहाँ नै देखैचियै? ओकरा कैहदियौ आ उ हमरा हाथ बटाबे।” 41महज येसु ओकरा कहल्‍कै, “ए मारथा, तोहे बहुत बातसबसे चिन्‍ता करैचिही आ उदास रहैचिही। 42महज एकेटा बातके जरुरी छै, जे मरियम छान्‍नेछै। जे ओकरसे कोइ नै छिने सक्‍तै।”

Currently Selected:

लुका 10: MTH

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in