YouVersion Logo
Search Icon

लुका 9

9
बारह चेलासबके येसु परचार करैले पठाइल्‍कै
(मती १०:५-१५, मरकुस ६:७-१३)
1एक दिन येसु बारहो चेलासबके ऐके साथ बोलाइल्‍कै आ उसबके सब भुतसब भगाइले, बिमारसबके निक करैले सक्‍ती आ अधिकार देल्‍कै। 2येसु ओकरासबके परमेस्‍वरके राजके बारेमे परचार करैले आ बिमारसबके निक करैले पठाइल्‍कै। 3येसु ओकरासबके कहल्‍कै, “तुसब रस्‍ताके लेल कुछो नै लजो। नै लाठी, नै झोरा, नै खाइबला चिज, नै टका, नै फेरैबला जमा-जोरा। 4जे घरके लोक तोरासबके मान-दान करतौ, उ ठामसे नै निक्‍लैतक ओहै घरमे रहिये। 5महज जतेका लोकसब तोरासबके मान-दान नै करतौ तब ओइ सहरसे निक्‍लैतकाल तुसब आपन टाङके गरदा झाइरदैहिये। यि ओकरासबके बिरोधके साक्‍छी हेतै।” 6तब उसब बिदा भेलै आ सब गाम-गाममे ज्‍याके सुसमाचार परचार करल्‍कै आ बिमारसबके निक करल्‍कै।
7यि सब घटनाके बारेमे सुइनके गालिल परदेसके सासक हेरोद दोधारमे पैरगेलै, कथिलेत बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍ना मरके जि उठलै से बात कोइ-कोइ कहैछेलै। 8कोइ-कोइ कहै, “एलिया देखा परलछै” आ औरो कोइ कहै, “कोनो अगमबक्‍ता मरके जियल छै।” 9तब हेरोद कहल्‍कै, “युहन्‍नाके घेंच काटैले त हम्‍ही लगाइल्‍यै, महज यि के चियै जकर बारेमे हम यि बातसब सुनैचियै?” तब उ येसुके भेटैले ओकर मन औकत्‍या गेल रहै।
येसु पाँच हजार लोकसबके खियाइल्‍कै
(मती १४:१३-२१, मरकुस ६:३०-४४, युहन्‍ना ६:५-१३)
10तकरबाद येसुके पठेल्‍हा चेलासब घुइमके एलै आ उसबके करल सब कामसब सुनाइल्‍कै। तब येसु चुपचाप चेलासबके लके बेथसेदा सहरमे गेलै। 11महज यि बात सुइनके बहुत लोकसब ओकर पछा लाग्‍लै। उ ओकरासबके स्‍वागत करल्‍कै आ परमेस्‍वरके राजके बारेमे सुनाइल्‍कै, तब जकरा-जकरा बिमारसे निक हैके आवस्‍यकता रहै ओकरासबके निक करल्‍कै।
12जब सुरुज डुबैसे पहिने बारहो चेलासब आइबके येसुके कहल्‍कै, “ओकरासबके ज्‍यादियौ आ उसब आसपासके गाममे ज्‍याके रहे आ खानाके बन्‍दोबस करे, कथिलेत अपनासब उजार जगहमे चियै।” 13महज येसु ओकरासबके कहल्‍कै, “तुहिसब ओकरासबके खाइले दहै।” तब उसब कहल्‍कै, “हमरौरसङे त पाँच रोटी आ दुइ माछ मातर छै, कि हमसब सब लोकसबके लेल खाइबला किनके आने परतै?” 14ओते मरद-पुरुखसब मातर पाँच हजार छेलै। येसु चेलासबके कहल्‍कै, “ओकरासबके पचास-पचासके समुहमे बैठा।” 15तब चेलासब तहिनङे सब लोकसबके बैठेल्‍कै। 16तब येसु ओइ पाँच रोटी आ दुइटा माछ लके स्‍वरग दिसन ताकैत परमेस्‍वरसे आसिरबाद माङल्‍कै आ तोइरके लोकसबके बाइटदैहे कैहके चेलासबके देल्‍कै। 17सबकोइ ख्‍याके अग्‍हाइलै आ उबरल्‍हा रोटी आ माछके टुकरासब बिछल्‍कै त बारह चङेरा भेलै।
येसु के चियै
(मती १६:१३-१९, मरकुस ८:२७-२९)
18एक दिन येसु असगरे परथना करैबखत चेलासब ओकरलग छेलै आ उ ओकरासबके कहल्‍कै, “लोकसब हमरा के चियै कहैछै?” 19उसब जबाफ देल्‍कै, “कोइ बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍ना कहैछै, कोइ एलिया आ कोइ पहिन्‍का कोनो अगमबक्‍तासब मेसे एक गोरे जिके उठल छै कहैछै।” 20महज येसु ओकरासबके कहल्‍कै, “तुसब कथी कहैचिही त? हम के चियै?” तब पतरुस जबाफदैत कहल्‍कै, “अहाँ त परमेस्‍वरके पठेल्‍हा मुक्‍ती दैबला खिरिस्‍ट चियै!”
21तब येसु ओकरासबके “यि बात ककरो नै कहियै” कैहके करा आग्‍या देल्‍कै। 22येसु ओकरासबके कहल्‍कै, “हम मानबके बेटाके बहुत दुख काटैले परतै आ उ अगुवा, मुल पुजारीसब, धरमगुरुसबसे इन्‍कार हेतै, मारल जेतै आ तेसर दिनमे मरके जि उठतै।”
23तब येसु सब लोकसबके कहल्‍कै, “कोइ हमर पछा आबैले चाहैछै त उ आपन मनके मारौक आ सबदिन आपन कुरूस बोइकके हमर पछा लागे। 24कथिलेत जे आपन जिबन बचाइले चाहैछै, उ गुमाइतै। महज जे हमर खातिर आपन जिबन गुमाइछै, उ आपन जिबन बचाइतै। 25कथिलेत कोनो लोक सारा सन्‍सार हथियाके आपनेके नास करतै त ओकरा कथी फैदा हेतै? 26महज जे हमरसे आ हमर बचनसे लाज मान्‍तै त मानबके बेटा आपन महिमामे आ परमेस्‍वर पिताके आ पबितर दुतगनके महिमामे आबैखिना ओकरसे लाज मान्‍तै। 27महज साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, परमेस्‍वरके राज नै देखैसे पहिने अइ ठाम ठार भेल्‍हामेसे कतहेक लोकसब नै मरबिही।”
येसुके रुप परिबरतन
(मती १७:१-८, मरकुस ९:२-८)
28करिब आठ दिनके बाद पतरुस, युहन्‍ना आ याकुबके आपनसङे येसु पहाड़मे परथना करैले गेलै। 29परथना करैबखत येसुके चेहराके रुप बदल्‍लै आ ओकर बस्‍तरसब उजर भ्‍याके चम्‍के लाग्‍लै। 30तब ओकरलग दुइटा लोक परगट भेलै आ ओकरसे बात करे लाग्‍लै। उसब मोसा आ एलिया रहै। 31उसब स्‍वरगिय इजोतसे चम्‍कैत रहै। उसब येसुके मिरतुके बारेमे बातचित करैछेलै। यि बात यरुसलेममे पुरा हैके छेलै।
32पतरुस आ ओकर साथीसब बिहान निनसे सुतल छेलै। महज जाग्‍लाकेबाद उसब येसुके महिमा आ ओकरसङे दुइटा लोकसबके ठारभेल देखल्‍कै। 33तब उ दुइटा लोक येसुके छोइरके ज्‍याबखत पतरुस ओकरा कहल्‍कै, “गुरु जी, हमरासबके अतै रहैके लेल असल छै। हमसब तिनटा पाल बनाएब, एकटा अहाँके लेल, एकटा मोसाके लेल आ एकटा एलियाके लेल।” महज ओकरा आपने बोलल्‍हा बात थाह नै छेलै।
34पतरुस बोल्‍ते-बोल्‍ते एकदिसरसे मेघ आइबके ओकरासबके झाइप देल्‍कै। तैल्‍याके उसब डर्‌यालछेलै। 35तब बादलसे एकटा एहेन अबाज एलै, “यि हमर बेटा चियै, जकरा हम चुन्‍ने चियै अकर बात सुन।” 36जब यि बात ओराइलै तब ओइ बखत येसुके असगरे देखल्‍कै। उसब देखलाहा बातसब ककरो नै कैहके चुपेचाप रहलै।
भुत लागल बालक
(मती १७:१४-१८, मरकुस ९:१४-२७)
37बिहान भेलाके बाद येसु आ ओकर चेलासब पहाड़से सैर जगहमे एलै, तब बहुत लोकसबके भिर येसुके भेटैले एलै। 38भिरसे एकटा लोक जोरसे कहल्‍कै, “गुरु जी, हम अहाँके गोर लागैची, हमर बेटा उपर किरपा करु, कथिलेत उ हमर एकलौता बेटा चियै। 39देखु, ओकरा भुत लागत, उ अचानक चिच्‍याएत, पटकत जाबेतक लेरपोंटा नै चुबायत ताबे तक नै छोरत। 40ओइ भुत आत्‍माके निकाइल दिय कैहके हम अहाँके चेलासबके बिन्‍ती करलियै महज उसब नै सकलक।” 41तब येसु जबाफ देल्‍कै, “ऐ बिस्‍बास नै करैबला आ थेथर पुस्‍ता, हम कहियातक तोरासबसङे रहबौ आ तोरासबके कतेक दिनतक सहैत रहबौ? तोहर बेटाके अते आन।” 42महज ओइ बालकके येसु लग आनैबखत भुत आत्‍मा ओकरा पटैकके मुह भुँइयामे घोसियाइले लाग्‍लै। महज येसु ओइ भुत आत्‍माके हकारल्‍कै आ ओइ बालकके निक कैरके ओकर बाबुके जिमा लग्‍या देल्‍कै। 43परमेस्‍वरके एतेक बरका सक्‍ती देखके सब लोकसब छक परलै। येसुके करल सबकाम, सब लोकसब छक परल देखके, उ आपन चेलासबके कहल्‍कै,
44आब “ध्‍यानसे सुन, हम तोरासबके कथी कहैचियौ, मानबके बेटा लोकसबके हाथमे पकरल जेतौ।” 45महज चेलासब यि बात नै बुझल्‍कै, कथिलेत यि बात उसब नै बुझे कैहके उसबसे घोसरल छेलै। उसब यि बारेमे येसुसे पुछैले डराइछेलै।
सबसे बरका के चियै?
(मती १८:१-५, मरकुस ९:२३-४०)
46ओइ बखत चेलासबमेसे बरका के चियै से बारेमे आपनेमे बहस चलेलाग्‍लै 47महज येसु ओकरासबके मनके बिचार बुइझके एकटा बालकके बोलाके आपनलग ठडा कैरके राखल्‍कै। 48आ चेलासबके कहल्‍कै, “जे कोइ हमर नामसे अइ बालकके सुइकार करतै, उ हमरा सुइकारतै, जे हमरा सुइकार करतै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै। कथिलेत जे कोइ सबसे छोट छै, ओहे सबसे बरका हेतै।”
49तब युहन्‍ना कहल्‍कै, “गुरु जी, एकटा लोक अहाँके नामसे भुतसब निकालैत देखलियै। हमसब ओकरासबके कोसिसो करलियै, कथिलेत उ हमरासबसङे अहाँके कहल नै मानल्‍कै।” 50महज येसु ओकरा कहल्‍कै, “अकरा नै रोक। कथिलेत जे तोहर बिरोधमे नै छौ, उ तोहर पक्‍छमे हेतौ।”
सामरीसबसे बिरोध
51येसुके स्‍वरग दिसन जाइके दिन नजदिक आवेलाग्‍लै तब उ यरुसलेम दिसन जायैले परतै से निरनय करल्‍कै। 52तब उ समाध लजाइबला लोकसबके पहिने पठादेल्‍कै। उसब ओकर खातिर सब चिजके बन्‍दोबस्‍त करैले सामरीसबके गाममे गेलै। 53महज उ यरुसलेम दिसन जाइछै से बात थाह पाइबके सामरीसब स्‍वागत नै करल्‍कै। 54तब यि देखके ओकर चेलासब याकुब आ युहन्‍ना कहल्‍कै, “परभु जी, कि अहाँ चाहैचियै, स्‍वरगसे आइग झाइरके यि गाम छौर भ्‍याजाय कैहके हमसब आग्‍या करु?” 55तब येसु घुइमके ओकरासबके खिस्‍याइल्‍कै। 56तकरबाद उसब दोसर गाम दिसन गेलै।
येसुके पाछु जाइके मोल
(मती ८:१९-२२)
57जब उसब रस्‍तामे जाइ छेलै एकटा लोक आइबके येसुके कहल्‍कै, “हे परभु, अहाँ जते जेबै हम्‍हु अहाँके पछा-पछा ज्‍याब।” 58तब येसु ओकरा जबाफ देल्‍कै, “नरहियाके सोइन्‍ह छै आ अकासके चिरै चुरगुनके खोता छै, महज मानबके बेटाके लेल मुरोटा राखैले ठाम नै छै।”
59फेनो येसु दोसर कोइके कहल्‍कै, “हमर पछा लाग।” महज उ लोक जबाफ देल्‍कै, “पहिने हमरा हमर बाबुके लहास गारे जायले दिय।” 60येसु ओकरा कहल्‍कै, “मुरदासबके आपनेसे मुरदा गारैले दहै, महज तोहे ज्‍याके परमेस्‍वरके राजके बारेमे परचार कर।”
61दोसर लोक येसुके कहल्‍कै, “परभु, हम अहाँके पछा लाग्‍बै, महज पहिने आपन घरके लोकसबसे बिदा हैले ज्‍या दिय।” 62महज येसु ओकरा कहल्‍कै, “कोइ आपन हाथ लगनामे राइखके पछामाथे ताकैबला उ परमेस्‍वरके राजके योग्‍यके नै हेतै।”

Currently Selected:

लुका 9: MTH

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in