लुका 8
8
बिचहन छिटैबलाके खिसा
(मती १३:१-१७, मरकुस ४:१-१२)
1तकरबाद येसु परमेस्वरके राजके सुसमाचार सुनाइले सहर-सहर आ गाम-गाममे गेलै। ओकरसङे बारह गोरे चेलासब छेलै। 2भुतसब आ रोग-बिमारसे निक भेल्हा जनिसब सेहो पछा लाग्लै। ओइमेसे सात भुत लागलसे निक भेल मग्दलिनी कहैबाली मरियम सेहो छेलै। 3तब रजा हेरोदके मुन्सी खुजासके घरबाली योअन्ना, सुसन्ना आ औरो बहौतरा जनिसब आपन धन-सम्पतिसे येसु आ ओकर चेलासबके सेबा करैछेलै।
4एक दिन गाम सहरसे लोकसब आवेलाग्लै आ येसु लग बरका भिर लाग्लै आ लोकसबके भिर लाग्लाकेबाद येसु एकटा खिसा कहल्कै। 5“एकटा किसान बिचहन छिटैलै निकल्लै, छिटैत-छिटैत कुछ बिचहन रस्तामे परलै, बटोहीसब टाङसे दाइब देल्कै आ चिरैसब ओइके ख्या लेल्कै। 6औरो बिचहन पथलबला खेतमे परलै। ओते जल्मैले त जलमलै महज हाल नै भेलासे सुइख गेलै। 7कोनो काँटसबके झारमे परलै, महज काँटके झारसब बैरहके बिचहनके बरहैले नै देल्कै। 8कतहेकरा त हलगर माटीमे परलै आ बिचहन जलैमके सय गुना फल फरलै।” अतहेकरा कैहके येसु कहल्कै, “जकरसङे कान छौ से कोइ उ धियानसे सुइनके बुझ।”
खिसाके अरथ
9चेलासब येसुके पुछल्कै, “अइ खिसाके मतलब कथी चियौ?” 10येसु कहल्कै, “तोरासबके परमेस्वरके राजके भितरी भेद जानैबाला ग्यान देनेछौ। औरो लोकसबसङे हम खिसासे बाजैचियौ कि, उसब ताकैले त ताकैछै महज नै देखैछै आ सुनैले त सुनैछै महज नै बुझैछै।”#यसैया ६:९-१०
11 “अइ खिसाके अरथ यि चियै, बिचहनके मतलब परमेस्वरके बचन चियै। 12रस्तामे खसलाहा बिचहन उसब चियै, जे कोइ सुनैछै महज बचन सुइनके बिस्बास नै करैछै, कारन बिस्बास कैरके नै जिये कैहके सैतान आबैछै तब सुनल बचन लके चैलजाइछै। 13पथलबला जमिनमे परलाहा उसब चियै, जे परमेस्वरके बचन सुइनके खुसिसाथ गरहन करैछै महज ओकर सिर नै हैके कारन ओकरासबके बिस्बास कुछ समयके लेल मातर हैछै। परिक्छाके बखत ओकरासबके पतन हैछै। 14काँटसबके बिचमे परेबला उसब चियै, जे कोइ सुनैछै महज पाछे जिबनके चिन्ता, धन, सुख-चैन के खातिर नै बरहे सकैछै। 15महज हलगर माटीमे परैबला उसब चियै, जे कोइ परमेस्वरके बचन सुनैछै आ आग्याकारी भ्याके मनेमे राखैछै आ दुख सहियोके बहौतरा फल फराइछै।”
डिबियाके इजोत
(मरकुस ४:२१-२५)
16 “कोइ डिबिया बाइरके ढकियासे नै झापैछै, नै त खटियाके निचामे राखैछै, महज भितर आबैबलासबके इजोत हेबे कैहके डैठमे राखैछै। 17तैहनङे कोनो बात घोसाइरके राखैले नै सकैछै जे सब नै देखाइछै। तब कोनो बात घोसरल नै रहैछै जे थाह नै हैछै आ अस्पस्ट नै हैछै। 18अइ खातिर होसियार रह, सुनल बातसबके ध्यान दहै कथिलेत जकरसङे छै, ओकरा औरो देतौ आ जकरसङे नै छै, जे कोइ सङे छै कहके ठानैछै ओकरसे भेल्हो छिनलेतौ।”
येसुके माँ आ भाइसब
(मती १२:४६-५०, मरकुस ३:३१-३५)
19एक दिन येसुके माँ आ भाइसब भेटैले ओकरलग एलै महज लोकसबके भिरके कारन ओकर लगमे नै आबे सकल्कै। 20येसुके कोइ कहल्कै, “अहाँके माँ आ भाइसब अहाँके भेटैले बाहरमे असियालछै।” 21महज येसु उसबके कहल्कै, “हमर माँ आ हमर भाइसब उहेसब चियै, जे परमेस्वरके बचन सुनैछै आ पालन करैछै।”
येसु अन्हर-बिहारके सान्त करल्कै
(मती ८:२३-२७, मरकुस ४:३५-४१)
22एक दिन येसु आपन चेलासबसङे नाहमे चहरलै आ येसु ओकरासबके कहल्कै, “नाह झिलके ओइपार ल्याचल।” तब उसब नाहमे चहैरके गेलै। 23उसब जाइत बखत येसु नाहमे सुइत गेलै। अचानक झिलमे बरका अन्हर-बिहार एलै आ झोह#८:२३झोह- पानीके सतहसे उपर उठलाहा पानीके भाग नाहमे परलै। नाह पानीसे भरलै आ डुबेलाग्लै तब उसब बरका आफतमे परलै। 24तब उसब येसुके लगमे आइबके उठाइत कहल्कै, “गुरु जी, गुरु जी, हमसब डुबे लागलियै।” येसु उठके अन्हर-बिहार आ छालके रोकल्कै आ उ रुक्लै आ सब सान्त भेलै। 25येसु ओकरासबके कहल्कै, “तोरासबके बिस्बास कते गेलौ?” तब चेलासब डेरागेलै आ छक परलै तब आपनेमे कहेलाग्लै, “यि के चियै! यि अन्हर-बिहार आ झोहके आग्या करैछै त माइन जाइछै।”
भुत लागल लोक
(मती ८:२८-३४, मरकुस ५:१-२०)
26तब उसब गेरासिनीके राजमे पुग्लै, जे गालिलके ओइकातमे परैछै। 27जब येसु नाहसे कातमे उतरलै तब सहरसे एल एकटा लोकके भेटलै, ओकरा भुत लागल छेलै। उ लोक बहुत दिन पहिनेसे बस्तर नै लगाइछेलै आ घरमे नै रैहके मरघटामे#८:२७मरघटा- यहुदी चलनमे मरल लोकसबके गुफा भितर राखैबला ठाम। रहैछेलै। 28येसुके देखके उ चिच्याके ओकर अगा ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “हे सबसे बरका परमेस्वरके बेटा येसु, अहाँ हमरसे कथी चाहैचियै? हम अहाँके गोर लागैची, हमरा नै सताबु।” 29कथिलेत येसु भुत आत्माके ओइ लोकसे निक्लैके आग्या देने छेलै। ओकरा बहुत बेर भुत लागल छेलै। लोकसब बहुत बेर ओकर टाङ-हाथ घुरीसे खुट्टामे बान्हैछेलै महज ओइ घुरीके तोइर दैछेलै। तब भुत आत्मा ओकरा उजार जगह दिसरा ल्याजैछेलै।
30येसु ओकरा पुछल्कै तोहर नाम कथी चियौ? उ कहल्कै, “फौज” कथिलेत ओकरा बहुत भुत लागल छेलै। 31तब भुतसब येसुके बिन्ती करल्कै, “हमरासबके निक्ले नै सकैबला गैहर खाइधमे नै पठाबु।” 32सुगरके एक जेर पहाड़के भितामे चरैछेलै। तब उसब सुगरके जेरमे ढुकैले आग्या माङल्कै आ येसु अनुमति देल्कै। 33तब ओइ लोकसे भुतसब निकैलके सुगरके जेरमे ढुक्लै। जेर पहाड़के भितामे दौरते-दौरते ज्याके उपरसे गैहर झिलमे गिरके, डुइबके मर गेलै।
34यि देखके सुगर चरबाहासब भाग्लै आ ज्याके यि बात सहर आ गाममे सुना देल्कै। 35कथी भेलछै से देखैले लोकसब येसु लग एलै। जे लोकसे भुतसब निकलल छेलै। ओकरा जमा-जोरा लग्याके येसु लग बैठल देखल्कै। यि देखके लोकसब छक्के परलै। 36भुत लागल लोकसब कनङके निक भेलै से बात पहिने देखलहा लोकसब औरो देखैले एल्हा लोकसबके सुनेल्कै। 37तकरबाद गेरासेनस राजके अगल-बगल गामके लोकसब अतेसे चैलजाउ कैहके बिन्ती करल्कै। कथिलेत उसब एकदम डर्यालछेलै। तब येसु नाहमे चहैरके जाइले लाग्लै। 38महज जे लोकसे भुतसब निकलल छेलै उ येसुके बिन्ती करैत कहल्कै, “गुरु जी, अहाँसङे हमरो ल्या चलु।” महज येसु ओकरा कहल्कै, 39“तु आपन घर जो आ परमेस्वर तोहर लेल जे अचमके काम करल्कौ से समाचार फैला।” तब उ लोक घर ज्याके यि अचमके कामके समाचार पुरे गाम आ सहरमे परचार करे लाग्लै।
याइरसके बेटी आ बिमारी जनि
(मती ९:१८-२६, मरकुस ५:२१-४३)
40जब येसु घुइमके झिलके कातमे एलै। ओते लोकसब ओकर आसमे बैठल छेलै तब उसब येसुके स्वागत करल्कै। 41याइरस नामके एक गोरे सभाघरके सासक आइबके येसुके टाङमे गोर लागैत कहल्कै, “हमर घरमे आबु कैहके येसुके बिन्ती करल्कै” 42कथिलेत बारह बरिसके एकलौती बेटी बिमारसे मरे लागल छेलै।
ओकर बिन्ती सुइनके येसु ओकरसङे गेलै आ चारु दिसनके लोकसब आवेलाग्लै। 43ओइ भिरमे कोइ नै निक करे सकल बारह बरिससे रक्तसराव रोगसे पिडित एक गोरे जनी छेलै। 44उ येसुके पछासे आइबके ओकर जमाके एकटा कोन छुबल्कै आ तखुन्ते ओकर रक्तसराव बन भ्यागेलै। 45येसु कहल्कै, “हमरा के छुबल्कै?” जब सबकोइ इन्कार करल्कै तब पतरुस कहल्कै, “गुरु जी, चारु दिसनसे भिरसब ठेलमठेल कैररहलछै।” 46महज येसु कहल्कै, “कोइ हमरा छुबनेछै, कथिलेत सक्ती हमरसे निकलल छै से हमरा थाह भेलै।” 47तब उ आपनेमे घोसैरके नै रहे सक्बै से बात थाह पाइबके उ जनी डरसे कापैत एलै आ येसुके टाङमे ठेङहुनिया दैत, उ अहाँके कथिले छुबल्कै आ छुबतै मातर कनङके निक भेलै से बातसब लोकसबके सामने बत्यादेल्कै। 48येसु ओकरा कहल्कै, “बेटी, तोहर बिस्बाससे तु निक भेलचिही, सान्तीसे जो।”
49येसु बोल्ते छेलै तहै बखत याइरसके घरसे एकटा लोक एलै आ कहल्कै, “अहाँके बेटी मर गेलै। आब गुरु जी के दुख नै दियौ।” 50महज येसु यि बात सुइनके याइरसके कहल्कै, “नै डेरा, बिस्बास त कर। उ निक हेतौ।” 51जब येसु याइरसके घरमे पुग्लै तब पतरुस, याकुब, युहन्ना आ धियापुताके माँ बाबुके सिबाय ककरो नै भितर ढुकैले देल्कै। 52ओइठाम भिर भेल्हा सब लोकसब कानैखिजै छेलै। येसु ओकरासबके कहल्कै, “नै कानै, उ नै मरल छौ, महज सुतल छौ।” 53ओइ बखत लोकसब येसुके बातके सुइनके हसिमे उरा देल्कै कथिलेत छौरी मर गेल्छै से उसब देख्ने छेलै। 54महज येसु ओकर हाथ पकैरके कहल्कै, “बेटी उठ!” 55तब ओकर परान घुइमके एलै आ उ खुरखुर्याके उठके बैठलै। येसु कहल्कै “अकरा कुछ-कुछ खाइले दहै।” 56ओकर माँ बाबु छक्के परलै। महज येसु ओकरासबके कहल्कै, “यि बात ककरो नै कहियै कैहके आग्या करल्कै।”
Currently Selected:
लुका 8: MTH
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.

: