लुका 21
21
गरिब बिधुवाके दान
(मरकुस १२:४१-४४)
1येसु ताकैतखिना धनिक लोकसब आपन-आपन दान मन्दिरके दान बाकसमे राखैत देखल्कै। 2तहै बखत ओतै उ एकटा बिधुवाके तमाके दुइ पैसा दान करैत देखल्कै। 3यि देखके येसु कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यि बिधुवा औरो लोकसबसे बेसी दान करने छै। 4कथिलेत औरो लोकसब बेसी भेल उबरल पुगरलमेसे दान करने छै, महज यि बिधुवा त गरिबो भ्याके आपन जिबन चलाइबला सब खरच चरहाइने छै।”
मन्दिर बिनास हैके भबिसबानी
(मती २४:१-१४, मरकुस १३:१-१३)
5कोनो कोनो चेलासब छनगर-छनगर पथलसे बन्याल आ दानमे एल असल-असल चिजसे सजाल मन्दिरके बारेमे बात करे लाग्लै। तब येसु कहल्कै, 6“तोरासबके जे देखरहलचिही, ऐहनो बखत एतौ जब एकटा पथलके उपर दोसर पथल नै रहतौ, उ सब भहैरके गिरजेतौ।”
7तब उसब येसुके पुछल्कै, “गुरु जी, यि बातसब कहिया हेतै? यि हेबे लाग्तै त केहन चेन्हा हेतै?” 8येसु कहल्कै, “होसियार रह, तोरासबके कोइयो नै बहकाबे। ‘समय नजदिक चैल एलछै’ आ हमर नाममे बहुत लोकसब ‘हम्ही खिरिस्ट चियै’ कहतौ, महज ओकरौरके पछा तुसब नै जैहे। 9जब तुसब बरका लराइ, झगरा आ मारकाटके बातसब सुनबिही तैयो तुसब नै घबराइहे, कथिलेत पहिने यि घटनासब हेबैये परतै, महज अन्त तुरन्ते नै हेतौ।”
10तब येसु फेनो कहल्कै, “जाती-जातीमे एकदोसरसे लराइ हेतौ। एक राज दोसर राजके उपर हमला करतौ। 11बरका-बरका भुमकौन हेतौ। जतेततै भुखमरी आ महामारी फैल्तौ, आतङक मचतौ, तब अकाससे बरका-बरका चेन्हासब हेतौ।
12 “महज यि सबबातसब हैसे पहिने, लोकसब तोरा पकरतौ, सताइतौ, सभाघरमे लज्याके जिमा लग्यादेतौ आ पकैरके जहलमे द्यादेतौ। हमर नामके खातिर तोरासबके रजा आ सासकसबके अगामे ठडा करतौ। 13महज हमर बारेमे तोरासबके लेल यि एकटा गबाही दैके मौका हेतौ। 14तब तुसब आपन बचावके खातिर कथी कहबै पहिनेसे मनमे चिन्ता नै कर। 15कथिलेत हम तोरासबके एहेन सब्द आ बुधि देबौ, कि तोहर बिरोधीसब तोरासबके बात सुइनके एकोटाके जबाब दैले नै सक्तौ, ओकरौरके मुहमे तला लाइग जेतौ। 16महज तोरासबके माँ-बाबु आ भाइ-भैयारीसब, कर-कुटुमसब आ साथी-भाइयोसब तोरासबके पकरादेतौ आ तोरेसबमेसे ककरो-ककरो माइरयोदेतौ। 17हमरा बिस्बास करलाके कारन सब लोकसब तोरासबके घिरना करतौ। 18महज तैयो तोरासबके मुरके एकोटा केस तक नै उखरतौ। 19कथिलेत तोरासबके आपन धिरजके कारन जिबन मिल्तौ।”
यरुसलेमके बिनास
(मती २४:१५-२१, मरकुस १३:१४-१९)
20 “जब यरुसलेम सहरके चारुकात सेनासबसे घेरल देखबिही, तब ओकर बिनास लग एलछै से बात जान। 21तै बखत यहुदिया इलाकामे रहैबला लोकसब पहार दिसन भागे। यरुसलेमके सहरमे रहैबला लोकसब सहर छोइरके बाहर दिसन भागे आ बाहर गाममे रहैबला लोकसब सहर दिसन भितर नै आबे। 22कथिलेत उ दिन सजायके दिन हेतै जे पबितर धरमसास्तरमे लिखल सब बातसब पुरा हेतौ। 23तै दिनमे कोइखमे आ कोरामे बच्चा भेल जनिजाइतके लेल बहुत मुसकिल हेतौ। कथिलेत दुनियामे बहुत बरका सङकट एतौ आ परमेस्वरके दन्ड ऐहनङ लोकसबमे परतौ। 24दुस्मनसब ओइसबके तरबारसे काइटके मारतौ। ओकरा बन्दी बनाके देस-देसमे ल्याजेतौ। तब आन जातसे समय पुरा नै छै तक उसब यरुसलेमके टाङके तरमे दाइबके राख्तौ।”
मानब पुतर फेनो एतै
(मती २४:२९-३१, मरकुस १३:२४-२७)
25 “चान, सुरुज आ तरासबमे चेन्हा देखा परतौ, समुन्दरके हुहुवाह आ बरका-बरका झोहसबके देखके सन्सारके लोकसबके डेराजेतै। 26सन्सारमे हैले आबैबला घटनासबके समैझके लोकसब मुरछा परतौ, कथिलेत अकासके सक्तिसब थर-थर कापे लाग्तौ। 27तकरबाद मानब पुतरके सक्ती आ महामहिमासङे बादलमे आबैत उसब देख्तौ। 28जब यि बातसब हेबे लागतौ तब साहस कैरके ठडा हो आ आपन मुरी उठाके उपर माथे ताक, कथिलेत तोरासबके उदार नजदिक आइबरहल्छौ।”
परमेस्वरके अटल बचन
(मती २४:३२-३५, मरकुस १३:२८-३१)
29तब येसु ओइसबके एकटा खिसा कहल्कै, “तुतके गाछी आ औरो गाछीसबके देख, 30ओइमे लबगोजा पत्ता एल देखके तोरासबके आपने थाह हेतौ, कि आब गरमिके समय नजदिक छै। 31तहिनङे जब तोरासबके यि बातसब हैत देखबिही तब परमेस्वरके राज नजदिक चैल एलछै से बात जान। 32साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक यि सब बातसब पुरा नै हेतै ताबेतक यि पुस्ताके अन्त नै हेतै। 33स्वरग आ पिरथिबी खतम भ्याजेतै, महज हमर बचन रहबे करतै।”
साबधान रह
34 “तुसब आपनमे होसियार रह, बेसी भोज-भतेरके पछा नै जो, मतबालीपना आ जिन्गीके बारेमे चिन्ता करैसे होसियार रह, नै त उ दिन नै सोचलहा बखतमे चैलएतौ। 35सारा सन्सारमे रहैबला लोकसबसङे ऐहनङे हेतौ। 36महज यि सब बातसबसे बचैले आ मानब पुतरके अगामे ठडा हेबे सके तै सक्तिके लेल परमेस्वरसङे सबघरी जागल रह आ परथना कर।”
37येसु सबदिन मन्दिरमे सिक्छा दैछेलै आ रातके जैतुन पहारके टुप्पीमे ज्याके रात बिताबै छेलै। 38सब लोकसब मन्दिरमे सबदिन बिहान सबेरे ओकर बचन सुनैले आबैछेलै।
Currently Selected:
लुका 21: MTH
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.