लुका 6
6
पबितर बिसराम दिनके परभु
(मती १२:१-८, मरकुस २:२३-२८)
1एक दिन येसु पबितर बिसराम दिनमे गहुम खेत हैत जाइ छेलै आ येसुके चेलासब गहुमके सिंससब तोइरके हाथसे मिड़के खाइले लाग्लै। 2यि देखके फरिसीसब ओइसबके कहल्कै, “पबितर बिसराम दिनमे नियम बिपरित तुसब कथिले करैचिही?” 3तब येसु ओकरासबके जबाफदैत कहल्कै, “दाउद आ ओकर साथीसबके भुख लागल बखत कथी करने छेलै? कि तुसब नै पढनेचिही? 4उ त परमेस्वरके पालमे ढुइकके चरह्याल रोटी साथीसबसङे बाइटके खेल्कै जबकि अपनासब नियम अनुसार पुजारीसब बाहेक औरो ककरो नै खाइले हैछेलै। महज दाउद त असगरे नै ख्याके दोसरोके खियाइल्कै।” 5तब येसु उसबके फेनो कहल्कै, “मानबके बेटा पबितर बिसरामो दिनके परभु चियै।”
येसु सुखलाहा हाथबलाके निक करल्कै
(मती १२:९-१४, मरकुस ३:१-६)
6येसु फेनो पबितर बिसरामके दिन यहुदी सभाघरमे ज्याके परचार करैछेलै। ओते एक गोरेके दहिना हाथ सुखल छेलै। 7येसुके दोस लगाइले ओइ जगहके यहुदी धरमगुरुसब आ फरिसीसब मौकामे रहै कि पबितर बिसरामके दिनमे येसु ओइ लोकके हाथ निक करतै से कैहके ताकैछेलै। 8येसु ओइ लोकसबके मनके बात बुइझके सुखलाहा हाथबला लोकके कहल्कै, “तु अते आइबके ठरा हो।” उ ओइठाम ठार भेलै। 9तब येसु कहल्कै, “हम तोरासबके एकटा बात पुछैचियौ, पबितर बिसराम दिनमे नियम कथी कहैछै? निक करबौ आ बेजाय करबौ, जिन्गी बचाइबौ कि नास करबौ, कोनटा उचित हेतौ।” 10येसु ओकरासबके चारुदिसन ताकल्कै आ सुखलाहा हाथबलाके कहल्कै, “तोहर हाथ पसार।” उ हाथ पसारते मातर निक भ्यागेलै।
11यि देखके उसब खिस्यागेलै आ येसुके कथी करेपरतै कैहके आपनमे छलफल करे लाग्लै।
बारह परेरितसब
(मती १०:१-४, मरकुस ३:१३-१९)
12एक दिन येसु पहार दिसन परथना करैले गेलै आ परमेस्वरसङे परथनामे रातभर बिताइल्कै। 13अनगुत भेलाके बाद येसु आपन चेलासबके बोलाइल्कै उसबके बिचसे बारह गोराके छानल्कै, तब ओकरासबके नाम परेरित देल्कै, 14सिमोन (जकरा येसु पतरुस नाम देने छेलै) आ अन्दरियास (सिमोनके भाइ), याकुब, युहन्ना, फिलिप, बारथोलोमाइ, 15मती, थोमा, याकुब (अल्फयासके बेटा) आ सिमोन (जकरा देसभक्त कैहके चिन्हैछै), 16यहुदा (याकुबके बेटा) आ यहुदा इस्करियोत, जे बिस्बासघाती छेलै।
येसुके सिक्छा आ रोग-बिमारसे छुटकारा
(मती ४:२३-२५)
17येसु परेरितसबसङे पहारसे निचा झैरके सैर जगहमे आइबगेलै ओइठाम औरो चेलासबके बहुत बरका भिर लागल छेलै। यहुदिया इलाकाके सब दिसरसे यरुसलेमसे तब समुन्दर कातके टुरोस आ सिदोन इलाकाके लोकसब बहुत भिरके साथ जम्मा भेल छेलै। 18ओइ जगहमे जम्मा भेल्हा लोकसब येसुके बचन आ रोगबिमारसे निक हैले एलछेलै। बहुत भुतआत्मा लागल लोकसब निक भेलै। 19तकरबाद भिरके सब लोकसब येसुके छुबैले चाहैछेलै कथिलेत ओकरसे सक्ती निक्लैतरहै तैसे सब लोकसब निक हैछेलै।
आसिस आ सराप
(मती ५:१-१२)
20येसु आपन चेलासबके ताकल्कै आ कहल्कै,
“धैन तुहे, दीन-दुखीसब
कथिलेत परमेस्वरके राज तोरेऔरके लेल चियौ!
21 धैन तोरासबके, अखन भुख लागलसब
कथिलेत तुसब अघाइबिही!
धैन तुसब, अखन कानैबलासब
कथिलेत तुसब हाँसविही!
22 “धैन तुसब, मानबके बेटाके खातिर तोरासबके घिरना करतौ, समाजसे बहिस्कार करतौ, निन्दा करतौ आ बदनाम करतौ त तुसब धैनके हेब्ही। 23तै बखत तुसब खुसीसे नाच, कथिलेत स्वरगमे तोरा बरका इनाम हेतौ। ओकरासबके पिता पुरखा पहिनेके अगमबक्तासबके ओहिनङे सताइने छेलै।
24 महज धिक्कार, तोहे धनिक्हासबके
कथिलेत तोरासबके सुख-चैन मिलल छौ!
25 धिक्कार, अखन तुहे अगहेल्हासब
कथिलेत तोरासबके भुखले रहेपरतौ!
अखन हाँसैबलासब,
तोरासबके दुख हेतौ आ काने परतौ!
26 धिक्कार तोरासबके, लोकसबसे परसन्सा लैबलासब
कथिलेत तोरासबके पिता पुरखासब झुठा अगमबक्तासबके ओहिनङे करनेछेलौ।”
सतरुसङे परेम
(मती ५:३८-४८, ७:१२)
27 “महज हमर बचन सुनैबाला सबकोइके कहैचियौ, सतरुवोके परेम कर आ घिरना करैबलाके भलाइ कर। 28सरापैबलाके आसिरबाद दहै। तोरा अधलाह करैबलाके लेल परथना कर। 29कोइ तोहर एकटा गालमे थपराइछौ त दोसरो गाल रोइकदहै। कोइ तोहर धोती आ कुरता लेजाइ बलाके पगरियो दया दहै। 30जे माङैछौ तकरा दहै, जे तोहर से लैछौ ओकरसे फिरता नै माङै। 31औरो लोकसे तुसब जे कराबैले चाहैचिही, तुहुसब ओकरो ओहिनङ कर।
32 “तोरासबके परेम करैबलासङे परेम करैचिही त कथी फैदा? कथिलेत पापीयोसब आपनके परेम करैबलाके परेम करैछै। 33फेनो तोरासबके भलाइ करैबलाके मातर भलाइ करैचिही त तोरासबके कथी फैदा? कथिलेत पापीयोसब त ओहिनङ करैछै।
34 “यदी फिरता करैबलाके मातर पैंचा दैचिही त तोरासबके कथी फैदा? ओनङ त पापीयोसब करैछै।
35 “महज आपन सतरुसबके परेम कर आ ओकरासबके भलाइ कर तब कोइ फिरता करतौ तै आसमे पैंचा नै दहै। तैसे तोरासबके इनाम बरका हेतौ तब तुसब महान परमेस्वरके बेटाबेटी कहाइबिही। कथिलेत उ बेगुनिया आ स्वारथी लोकसबके परेम करैछै। 36तोरासबके परमेस्वर पिता जेहेन दयालु छौ, तुहुसब ओहिनङ दयालु हो।
दोसरके दोस नै लगा
(मती ७:१-५)
37 “ककरो दोस नै लगा तोरोसबके परमेस्वर दोस नै लगाइतौ। दोसरके गलत नै ताक तब परमेस्वर तोरोसबके गल्ती नै ताकतौ। लोकसबके छमा दहै तब परमेस्वर तोरोसबके छमा करतौ। 38दोसरके देबही त परमेस्वर तोरोसबके देतौ। परमेस्वर त हिल्याके, दाइबके आ उटुङ टुटुङ#६:३८ उटुङ टुटुङ- कोनोभी नापसे भरिभराउ कैरके देनाइ। कैरके हर्या ढर्याके देतौ। कथिलेत जै नाइपजोखके देबही ओहै नाइपजोखसे फिरता पाबबिही।”
39तब येसु ओकरासबके एकटा खिसा कहल्कै, “कि अन्हरा, अन्हराके पकैरके चलेसक्तै? यदी चल्तै त दुनुगोरा खाइधमे नै खस्तै? 40चेला आपन गुरुसे बरका नै भ्यासकैछै महज निकसे सिखके गुरु जखा भ्यासकैछै।
41 “दोसरके आँखमे कुरकुट देखैचिही, महज आपन आँखमे ढेङो नै देखैचिही? 42आपन आँखके ढेङ नै देखैचिही त आपन भाइके कनङके कहे सकबिही, ‘ला त तोहर आँखके कुरकुट निकाइल दैचियौ।’ ऐ कपटीसब! पहिने आपन आँखके ढेङ निकाल तब दोसरके आँखके कुरकुट असलसे देखे सकबिही।”
जैहनङ गाछ तैहनङ फर
(मती ७:१६-२०, १२:३३-३५)
43 “कोनो भि असल गाछमे खराब फल नै फरैछै, तैहनङ कोनो भि खराब गाछमे असल फल नै फरैछै। 44सब गाछ ओइके फरसबसे चिन्हल जाइछै। काँटके झारसे अनार नै तोडैछै नै त अङगुर बिछैछै। 45असल लोक आपन मनके भितरसे असल बात निकालैछै। खराब लोक आपन मनके भितरसे खराबे बात निकालैछै। कथिलेत जे बात मनके भितरमे रहैछै ओहिना बात बोलैछै।”
दुइ घरके जग
(मती ७:२४-२७)
46 “हमर कहल बात नै करैचिही आ नै मानैचिही त तुसब कथिले हमरा ‘परभु, परभु’ कहैचिही? 47हमरलग आइबके हमर बात सुनैबाला आ मानैबला केहन लोकसब हैछै से तोरासबके बताइबौ। 48उ एकटा घर बनाइबला मिसतिरी नहाइत हैछै, जे गैहरसे जग खुइनके आपन घर खनखनियामे बनाइल्कै। जब बरका बरसा भेलै, बाइरह एलै, बिहाइर एलै तबो ओकर घरके कोनो छति नै भेलै, कथिलेत उ घर बलगर बनाइने छेलै। 49महज जे सुनियोके नै करैछै, से कोइ एकटा एहेन लोक चियै जे जग बिनाके घर बनाइछै। जब बरसा भेलै, बाइरह एलै, बिहाइर चललै तब ओकर घर खैसके बहुत बरका बरबादी भेलै।”
Currently Selected:
लुका 6: MTH
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.

: