मती 23
23
धरमगुरुसब आ फरिसीसबके बिरोधमे चेताबनी
(मरकुस १२:३८-३९, लुका ११:४३, २०:४५-४६)
1तब येसु लोकसबके भिरके आ आपन चेलासबके कहल्कै, 2“धरमगुरुसब आ फरिसीसब मोसाके बेबस्था सिखाबैके अधिकार पाबने छै। 3ओहैसे तुसब ओइसबके कहल सब बात करिहे। महज उसब जे करैछै से तुसब नै करिहे, कथिलेकी उसब दोसरके त सिखाइछै महज आपने ओइ अनुसार नै चलैछै। 4उसब धरम-करमके बहौत भारी लोकसबके बोकाबैछै, महज अपने उ भारी बोकैके त दुरके बात अंङरीयो तक नै बरहाइछै। 5सबकाम उ सब देखाबैके लेल मातरे करैछै। उसब आपन हाथमे आ कपारमे बेबस्थामे लिखल बातसब जन्तरमे राइखके बान्हैछै आ आपन बस्तरमे लाम-लाम फुदनासब लगाके पिन्हैछै।#मती ६:१, बेबस्था ६:८, गन्ती १५:३८ 6भोज-भातमे आदरके ठाम आ सभाघरसबमे परमुख आसनके ठाम बैठैले चाहैछै। 7चौक चौराहामे नमस्कारपाती चाहैछै आ लोकसबसे गुरु कहे कैहके चाहैछै।
8 “तोरासबके कोइ गुरु नै कहौक कथिलेत तुसब त भाइ-भाइभैयारीसब चिही। तोरासबके एकेटा मातरे गुरु छौ। 9अइ पिरथिबीमे तुसब ककरो पिता नै कहिहे कथिलेत तोरासबके एकेटा आत्मिक पिता छौ, जे स्वरगमे रहैछै। 10तुसब गुरु नै कहाबिहे, कथिलेकी तोरासबके एकेटा गुरु छौ, जे खिरिस्ट चियौ। 11तोरासबमेसे जे सबसे बरका हैके चाहतै, उसब ओकरासबके सेबा करतै।#मती २०:२६-२७, मरकुस ९:३५, १०:४३-४४, लुका २२:२६ 12कथिलेत जे अपनाके बरका सोचैछै उ सबसे छोट हेतै आ जे अपनाके छोट सोचैछै उ सबसे बरका हेतै।#लुका १४:११, १८:१४
कपटीके बिरोधमे चेताबनी
(मरकुस १२:४०, लुका ११:३९-४२, २०:४७)
13 “तोहे धरमगुरुसबके आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब स्वरगके राजके केबार खोलैबला कुजी त लेल्ही, महज नै अपने ढुकलिही नै दोसरके ढुकैले देल्ही।
14 [“तोहे धरमगुरुसबके आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! तुसब बिधुवासबके घर हरैप लैचिही आ देखाबैले बरिखानतक परथना करैचिही। साँचे तुसब त औरोसबसे बेसी कठोर सजाय पाबबिही।]
15 “तुहे धरमगुरुसबके आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब एकोटाके आपन धरममे आनैके लेल जमिन अकास एक कैरदैचिही, महज जब उ आबैछौ त, तुसब ओकरा आपनसे दोबर नरकमे जाइके जोकर बनादैचिही।
16 “ए आन्हर अगुवासब! तोरासबके धिक्कार! तुसब ‘मन्दिर छुइबके किरिया खेब्ही त कुछो नै हेतौ, महज मन्दिरके सोना छुइबके किरिया खेब्ही त किरिया लग्तौ’ कैहके सिखाबैचिही। 17तुसब कतहेक मुरुख आ अन्हर लोक चिही! कोन बात बरका चियै? सोना कि सोनाके सुध करैबला मन्दिर? 18फेनो ‘बेदी छुइबके किरिया खेब्ही त कुछो नै हेतौ, महज बेदीमे चह्याल भेटीके छुइबके किरिया खेलासे किरिया लाग्तौ’ कैहके सिखाबैचिही। 19तुसब कतहेक आन्हर चिही! कोन चिज बरका चियै, भेटी कि भेटीके सुध करैबला बेदी? 20बेदी छुइबके किरिया खाइबला त, बेदी आ ओहैमे चरह्याल भेटीसबके छुइबके किरिया खाइछै। 21ओहिनङे मन्दिरके छुइबके किरिया खाएबलासब मन्दिर आ मन्दिरमे बास करैबला परमेस्वरके छुइबके किरिया खाइछै। 22स्वरगके नाम लके किरिया खाएबलासब परमेस्वरके सिंहासन आ ओइमे बैठेबला परमेस्वरके नाममे किरिया खाइछै।#यसैया ६६:१, मती ५:३४
23 “महज तु धरमगुरुसब आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब पुदिना, सोप आ जिराके दसांस त चरहाइचिही, महज बेबस्थामे रहल गहनगर बातसब नियाय, दया आ बिस्बास योग्य जखा बहौत असल बातसबके कुछो मतलब नै राखैचिही। महज करैके एहो छेलौ कि तुसब बेबस्थामे रहल बातसबके माने परतियौ। #
लेबी २७:३० 24हे आन्हर अगुवासब! तुसब त मछरके त छाइनलैचिही, महज उंटके सौसे घोइटलैचिही।
25 “महज तु धरमगुरुसब आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! थारी आ बाटी बाहरसे त माजैचिही, महज ओइके भितर लोभ आ स्वारथ भरल रहैछौ। 26ए आन्हर फरिसीसब! थारी आ बाटीके भितरमे सफा कर, तब बाहरो सफा हेतौ।
27 “तुहे धरमगुरुसब आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब चुनासे पोतल चिहानसब जखा चिही, जे बाहरसे त सुन्दर देखाइछै, महज ओकर भितरमे मुरदाके हडी आ सरल चिजसे भरल रहैछै। #
परेरित २३:३
28ओहैतरहसे तुसब बाहरसे लोकसबके अगा धरमी जखा देखापरैचिही, महज भितरसे कपट आ दुस्टतासे भरलचिही।
दोसिके दन्ड
(लुका ११:४७-५१)
29 “तुहे धरमगुरुसब आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेकी तुसब अगमबक्ताके निक-निक चिहानसब बनाइचिही आ परमेस्वरके धरमी सेबकसबके चिहानसब सजाबैचिही। 30आ तुसब कहैचिही, ‘अदी हमसब पुरखासबसङे रहतियै त, अगमबक्ताके मुवाबैले ओकरासबके साथ नै देतियै।’ 31अहै तरहसे तुसब अपने साक्छी द्यारहलचिही कि तुसब परमेस्वरके अगमबक्ताके हतिया करैबलासबके सन्तान चिही। 32आब जो आ तोहर पुरखासबके सुरु करल पापके काम पुरा कर!
33 “ए साँपसब, बिखधर साँपके बच्चासब! तुसब कनङके नरकके दन्डसे भागबिही? #
मती ३:७, १२:३४, लुका ३:७ 34ओहैसे हम तोरासबके लग अगमबक्तासब, बुधिमान लोकसब आ धरमगुरुसब पठेबौ। तोरासबमेसे कतहेक गोरा ओइसबके मारबिही आ कतहेकके कुरूसमे लटकेब्ही आ कतहेक गोरेके सभाघरमे कोरासे पिटबिही आ एक सहरसे दोसर सहर तक खिहारबिही। 35अहै तरहसे पिरथिबीमे धरमी लोकके जतहेक खुन बहलै- धरमी हाबिलके लहुसे लके बेरेक्याहके बेटा जकरियाके लहुतक, जकरा तुसब मन्दिरके पबितर ठाम आ बेदीके बिचमे हतिया करलिही- तकरासबके दोस तोरेसबके कपारमे परतौ।#उतपती ४:८, २ इतिहास २४:२०-२१ 36साँचे हम तोरासबके कहैचियौ, यि सबके दोस अहि पुस्ताके लोकसबके कपारमे परतौ।
यरुसलेमके लोकसबके चेताबनी
(लुका १३:३४-३५)
37 “ए यरुसलेमके लोकसब! तु अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वर तोरासबलग पठेल्हासबके पथलसे मारैचिही। जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे राखैछै, ओहिने हम बहुतो बेर तोहर बच्चासबके बचाइले चाहलियै, महज तु नै मानलिही। 38देख, तोरासबके घरदुवार उजार भेल छौ।#यरमिया २२:५ 39हम तोरासबके कहैचियौ कि, तु ‘परमपरभुके नाममे आबैबला कतहेक धैनके चियै’ नै कहे तक तु हमरा नै देखबिही।”#भजनसङगरह ११८:२६
Currently Selected:
मती 23: MTH
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.