YouVersion Logo
Search Icon

चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 2

2
पेन्तिकोसके पावनके दिनमे पवित्र आत्माके आगमन
1यहूदी आदमीसिके पेन्तिकोसके पावनके दिन, ऊसब एक्केटा जगहमे जमा भेलै रहे। 2तब अचानक आकाशसे अन्हर-तूफानके जुगुर एकटा आवाज ऐलै, आर ऊसब जमा भेल घरमे पुरे भरि गेलै। 3तब ओकरसिके समनामे एरं आगिनके लप्का प्रकट भेलै जकर आकार जिभाके जुगुर रहै, जे अलग-अलग भ्याके ओकरसिमेसे हरेक आदमीसिके उप्पर बैठ्ते गेलै। 4तब सभेकोय पवित्र आत्मासे भरि गेलै, आर पवित्र आत्माके देल वरदानके मुताबिक ऊसब अलग-अलग भाषामे बोले लाग्लै।
5उटा समयमे परमेश्वरके भय मानेवाला यहूदी आदमीसब रहै जे संसारके बहुते देशसे पावन मनाबैके लिए ऐल रहै आर ऊसब यरूशलेम सहरमे रहते रहै। 6तब यी हावाके जुगुर आवाज सुनिके बहुते आदमीसब ओत्ते जमा भेलै आर ऊसब चकित भ्यागेलै। कहिनेकी सभे आदमीसब आपन-आपन भाषामे चेलासिके बोल्ते सुनल्कै। 7ऊसब सभेकोय आश्चर्य-चकित भेलै आर कहे लाग्लै, “कि यी बोलेवालासब गालील जिलाके रहेवाला आदमीसब नैछै? 8ते यी कि हैछै, जे अपनासब सभेकोय एकरासिके आपनसिके मातृभाषामे बोल्ते सुनैछियै? 9अपनासिमेसे कुछु आदमीसब पार्थी आदमीसिके इलाकासे छियै, कुछु मेदी इलाकासे, कुछु एलामी इलाकासे, कुछु मेसोपोटामियासे, कुछु यहूदिया प्रदेशसे, कुछु कापाडोकियासे, कुछु पोन्टससे आर कुछु एशिया प्रदेशसे छियै। 10आर फ्रिगीया प्रदेश, पामफिलिया, मिश्र देश आर कुरेनी सहरके नज्दिक पडेवाला लिबिया देशके कुछु क्षेत्रसब आर यरूशलेम सहरसे रोम सहरमे ऐल रोमी पर्यटक, 11क्रेट टापुके बासिन्दासब आर अरब देशके बासिन्दासब भी छियै। अपनासब यहूदी आदमीसब, गैर-यहूदी आदमीसब जेसब यहूदी धर्म अपनैल्कै छे। मगर अपनासब ओकरासिके आपन-आपन भाषामे परमेश्वरके शक्तिशाली कामके चर्चा कर्ते सुनैछियै।”
12ऊसब सभेकोय आश्चर्य-चकित भेलै आर डर्याके एक दोसरके कहे लाग्लै, “यी कि हैछै?” 13आर कुछु आदमीसब मजाक उडैते कहे लाग्लै, “यीसब नया अंगुरके मद्द पिबिके मत्ल छै।”
पेन्तिकोसके दिनमे पत्रुसके प्रचार
14मगर पत्रुस एगार झन चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके संगमे खडा भ्याके आदमीसिके भीडके जोरसे कहैल्कै, “यहूदिया प्रदेशमे रहेवाला यहूदी आदमीसब आर यरूशलेम सहरके बासिन्दासब, हमर बात सुन आर तोरासिके यी बात मालुम हैतै। 15जेरं तुहेंसब सोचैछ, यीसब नशामे नैछै, कहिनेकी एखन ते भरौवाके न बज्लै छे। 16मगर जे हमरसिके संगमे भेलै छे ऊ परमेश्वरके वक्ता योएलद्वारा धरमशास्त्रमे लिख्ल बात पुरा हुऐले भेलै छे। 17परमेश्वर कहैछै,
‘अन्तके दिनमे एरंको हैतै, कि हमे सभे आदमीसिके आपन आत्मा देबै,
आर तोरसिके बेटा-बेटीसब भविष्यवाणी बोल्तौ,
आर तोरसिके जवानसब दर्शन देख्तौ,
आर तोरसिके बुढ आदमीसब सपना देख्तौ।
18ऊ दिनमे हमे आपन दास आर दासीसिके आपन आत्मा देबै,
आर ऊसब भविष्यवाणी बोल्तै।
19उप्पर आकाशमे हमे शक्ति आर निच्चा धर्तीमे चिन्हसब देखैबै,
आर खून, आगिन, आर धुवाँके रास दिखाई पड्तै।
20प्रभुके दिन आबैसे पहेला सुरुज अनहार भ्याजैतै आर चान खून जुगुर भ्याजैतै।
उटा दिन महान आर तेजस्वी दिन हैतै।
21आर प्रभु ऊ सभैके बचैतै जेसब सहायताके लिए ओकरा पुकारैछै।’
22इस्राएलीसब यी बात सुन, नासरत गाँवके निवासी येशू एरं आदमी रहै, जकरा परमेश्वर शक्तिशाली कामसब, अदभुद कामसब आर चिन्हसिके द्वारा परमेश्वर खुद भेजल्कै रहे कहिके साबित कैल्कै, तोरासिके आपनहैं मालुम छौं कि यी बात सच छै। 23परमेश्वरके द्वारा ठहरैल निश्चित योजना आर पूर्व ज्ञानके मुताबिक ओकरा तोरासिके सौंपी देल्कै। तुहेंसब ओकरा दुष्ट आदमीसिके हातमे सौंपीके काँटी ठोकिके क्रूसमे चढ्याके जान मार्लह। 24तैय्योपर परमेश्वर ओकरा मौतके बाद फेरसे जिन्दा करिदेल्कै। येशू मर्लै मगर परमेश्वर ओकरा मर्ले रहैले नैदेल्कै। कहिनेकी ओकर लिए मौतके वशमे रहना सम्भव नैरहै।
25दाऊद राजा येशूके विषयमे कहैल्कै छे,
‘हमे सभे दिन प्रभुके हमर समनामे देखैछियै,
कहिनेकी ऊ हमर दहिना महर छै।
हमे ऊ आदमीसिसे नैडरैबै जे हमरा हानी करैले चाहैछै।
26सेल्याके हमे आनन्दसे भरि गेलियै छे,
आर हमे आनन्दसे बोलैछियै आर हमर शरीर भी आशामे जितै,
27कहिनेकी तुहें हमरा मर्ल रहैले नैदेभ,
आर आपन पवित्र जनके लासके सडैले नैदेभ!
28तुहें हमरा जीवनके रस्तासब देखैलह छे,
तोर उपस्थितिमे तुहें हमरा आनन्दसे भरैछह।’
29हे भ्या-बहिनसब, आपनसिके पुर्खा दाऊद राजाके विषयमे हमे खुलिके कहे सकैछियै, कि ऊ मर्लै आर गाड्ल गेलै आर ऐजतक आपनसिके संगे ओकर सारा छैबे करै। 30ऊ एकटा परमेश्वरके वक्ता हुऐके कारण, ऊ जान्ते रहै कि परमेश्वर कसम खैके ओकरासे प्रतिज्ञा कैल्कै रहे कि परमेश्वर ओकर सन्तानसिमेसे एक झनके ओकर सिंहासनमे बैठैतै। 31दाऊद यी जान्ते रहै कि भविष्यमे परमेश्वर कि करैले ज्यावाला छै, सेल्याके परमेश्वर ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बनाबैके बात ऊ बोल्लै। ऊ कहैल्कै,
‘तुहें हमरा मर्ल रहैले नैदेभ,
आर आपन पवित्र जनके लासके भी नरकमे सडैले नैदेभ!’
32इहे येशूके परमेश्वर जिन्दा कैल्कै, आर यी बातके हमेसब गवाह छियै। 33आब ऊ स्वर्गमे परमेश्वर पिताके दहिना हातके बगल स्वर्गके सबसे सम्मानके जगहमे विराजमान छै। आर परमेश्वर पिता आपन प्रतिज्ञाके मुताबिक येशूके पवित्र आत्मा देल्कै आर ऊ पवित्र आत्मा हमरासिके देल छै जेरं कि ऐज तुहेंसब देखैछ आर सुनैछै। 34कहिनेकी दाऊद राजा ते स्वर्ग नैगेलै, मगर ऊ आपनहैं कहैछै,
‘प्रभु परमेश्वर कहैल्कै,
तुहें हमर दहिना हातके बगलमे बैठ,
35जबतक हमे तोर दुश्मनसिके तोर अधिनमे करिदेबौ।’
36सेल्याके आब सभे इस्राएलीसब यी बात निश्चित रुपसे जानी ल्या कि इहे येशूके, जकरा तुहेंसब क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मार्लह, परमेश्वर ओक्रहै प्रभु आर ख्रीष्ट दोनो बनैल्कै छे।”
37जब आदमीसब यी बात सुन्लकै, तब ऊसब अपने आपके बहुते दोषी महसुस कैल्कै तब पत्रुस आर दोसर चुन्ल आर भेज्ल चेलासिसे कहे लाग्लै, “हे हौ भैय्यासब, हमेसब आब कि करियै?” 38पत्रुस ओकरासिके कहैल्कै, “पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा, आर तोरसिके पापसिके माफीके लिए येशू ख्रीष्टके नाममे तुहेंसब बप्तिस्मा ल्या आर तुहेंसब पवित्र आत्माके वरदान पैभ। 39कहिनेकी यी प्रतिज्ञा तोरसिके लिए, तोरसिके सन्तानसिके लिए आर दूर-दूरमे रहेल सभैके लिए छै, हरेक जकरा प्रभु हमरसिके परमेश्वर आपन लगत बोलाबैछै।”
40आर बहुते बातके द्वारा पत्रुस ओकरासिके गवाही देल्कै, आर यी बातसब दोहोर्या-दोहोर्याके कहिके ओकरासिके बिन्ती कैल्कै, “यी दुष्ट पुस्तासे तुहेंसब अपने आपके बचाब।” 41तब जेसब पत्रुसके कहेल बातके विश्वास कैल्कै ऊसब बप्तिस्मा लेल्कै आर उहे दिन करीब तीन हजार आदमीसब विश्वासीसिके समूहमे जुटी गेलै।
विश्वासीसिके सामूहिक जीवन
42ऊसब चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके शिक्षामे आर संगतिमे लाग्ल रहै, आर प्रभु-भोजमे सहभागी हैते रहै आर विश्वासीसब एक्केसंगे भोजन कर्ते रहै, आर लगातार प्रार्थनामे लाग्ल रहते रहै। 43यरूशलेम सहरके सभे आदमीसब आश्चर्य-चकित भेलै, आर चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके द्वारा बहुते चमत्कार आर चिन्हसब भेलै। 44विश्वास करेवाला सभेकोय एक्केसंगे रहते रहै आर ओकरसिके सभे चीजमे सभैके एक समान अधिकार रहै। 45ऊसब आपन-आपन धन-दौलत बेचिके जकरा-जकरा जे-जे चीजके जरुरी पडै सभैके बाँटी दै।
46ऊसब एक मनके भ्याके परमेश्वरके मन्दिरमे एक साथ उपस्थित है, आर एक दोसरके घरमे जैके आनन्द आर शुद्ध हृदयसे मिलिजुलिके भोजन खै। 47आर हरदम परमेश्वरके प्रशंसा करै, आर सभे आदमीसब ओकरासिसे खुश रहै। उद्धार पैल आदमीसिके प्रभु दिन-दिने ओकरसिके संख्यामे जोडी दै।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in