लूका 18
18
मोसामात आर अधर्मी न्यायधीश
1आपन चेलासिके सभे दिन निराश नैभ्याके प्रार्थना कर्ते रहै कहिके शिक्षा दियैले येशू ओकरासिके यी खिसा कहैल्कै: 2“कोनो एकटा सहरमे परमेश्वरके डर नैमानेवाला आर आदमीसिके वास्ता नैकरेवाला एकटा न्यायधीश रहै। 3उहे सहरमे एकटा मोसामात रहै। ऊ ओकरलगत लगातार ऐते रहै आर कहै, ‘हमर झगडिया आर हमर बीचमे न्याय करि द्या।’ 4न्यायधीश कुछु समयतक ते नैमानल्कै, मगर पाछु आपन मनमे कहैल्कै, ‘हमे परमेश्वरके डर नैमानैछियै आर आदमीसिके वास्ता भी नैकरैछियै। 5मगर यी मोसामात हमरा हैरान करिदेल्कै, सेल्याके हमे एकर न्याय करिदेबै। नैते ऊ घुरी-घुरी आबिके हमरा दिक्दार करि देतै।’ ”
6प्रभु येशू कहैल्कै, “यी अन्यायी न्यायधीश जे कहैल्कै, ओकर बारेमे ध्यानसे सोच। 7परमेश्वर आपन चुन्ल आदमीसिके लिए जेसब रात-दिन ओकर समनामे कानैछै न्याय कर्तै, ऊ ओकरसिके सहायता करैमे देर नैकर्तै। 8हमे तोरासिके कहैछियौ, परमेश्वर जल्दी ही आपन आदमीसिके न्याय करि देतौ। मगर जब हमे, आदमीके बेटा धर्तीमे वापस ऐबै ते, हमरा धर्तीमे कतनें आदमी मिल्तै जे हमरापर विश्वास करैछै?”
फरिसी समूहके आदमी आर कर उठाबेवालाके खिसा
9खाली अपने आपके बारेमे सोचेवाला आर अपनाके धर्मी कहिके दोसरसिके निचा नजरसे देखेवाला कुछु आदमीसिके येशू यी खिसा सुनैल्कै: 10“फरिसी समूहके आदमी आर कर उठाबेवाला आदमी प्रार्थना करैले परमेश्वरके मन्दिरमे गेलै। 11फरिसी समूहके आदमी आपन बारेमे एरंके प्रार्थना कैल्कै, ‘हे परमेश्वर, हमे तोरा धन्यवाद दैछिहौं कि हमे दोसर आदमीसिके जेरं अन्यायी, व्यबिचारी आर यी कर उठाबेवाला आदमीके जेरं भी नैछियै। 12हमे हप्तामे दी बेर उपास रहैछियै। हमर सभे चीजके दशांश भी तोरा दैछियै।’
13मगर कर उठाबेवाला आदमी दूरसे खडा भ्याके स्वर्गमहर आँख भी नै उठ्याके एरं कहते दुःखके साथ आपन छाती पिटी-पिटीके कहे लाग्लै, ‘हे परमेश्वर, हमे एकटा पापी छियै। हमरापर दया कर आर हमरा माफ कर!’ 14हमे तोरासिके कहैछियौ, यी कर उठाबेवाला आदमी ऊ फरिसी समूहके आदमीसे बेसी परमेश्वरके नजरमे सही बनिके आपन घरमहर गेलै। कहिनेकी हरेक जे अपने आपके महान बनैतै, ऊ निचा गिरैल जैतै। मगर जे अपने आपके निचा बनैतै, ऊ महान बनैल जैतै।”
बच्चासिके आशीर्वाद
(मत्ती १९:१३-१५; मर्कू १०:१३-१६)
15आदमीसब बच्चासिके येशूके लगत आने लाग्लै, कि ऊ ओकरासिपर हात राखिके आशीर्वाद देतै; मगर चेलासब आदमीसिके धोपल्कै। 16येशू ओकरासिके आपन लगत बोल्याके कहैल्कै, “छोटका बच्चासिके हमरलगत आबैले दहैं, एकरासिके नैरोक, कहिनेकी उहे आदमीसब जे यी बच्चासिके जुगुर भरोसाके लायक छै परमेश्वरके राज्यमे रहतै। 17हमे तोरासिके सच कहैछियौ, परमेश्वर आपन राज्यमे खाली ऊसब आदमीके स्वीकार कर्तै जे ओकर शासनके बच्चाके जुगुर स्वीकार कर्तै।”
मातबर शासक
(मत्ती १९:१६-३०; मर्कू १०:१७-३१)
18कोय एकटा यहूदी शासक येशूके एरं कहिके पुछल्कै, “हे बढियाँ गुरु, हमे कोन काम करियै कि परमेश्वर हमरा कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दै?” 19येशू ओकरा कहैल्कै, “तुहें हमरा कहिने बढियाँ कहैछैं? एकटा परमेश्वरके सिवाय कोय बढियाँ नैछै। 20तुहें परमेश्वरके आज्ञासब ते जानैछैं यानिकी,
हत्या नैकरिहैं, व्यबिचार नैकरिहैं, चोरी नैकरिहैं, झुट्ठा गवाही नैदिहैं,
आपन बाबु आर मयाँके आदर करिहैं।”
21ऊ कहैल्कै, “गुरुजी, यी सभे आज्ञा ते हमे लडकपनसे पालन कैले ऐलियै छे।” 22यी सुन्लके बाद येशू ओकरा कहैल्कै, “एकटा काम छै जे तोरा आब करैके जरुरत छौ; जो, आर तोरलगत जे जतनें छौ बेचिके पैसा गरिबसिके दहैं, अगर तुहें एरं करैछैं ते, तोरलगत स्वर्गमे धन हैतौ। तोर एरं कैलके बाद, या आर हमर चेला बनिजो।” 23मगर यी बात सुनिके ऊ बहुते उदास भ्यागेलै, कहिनेकी ऊ बहुते मातबर रहै।
24तब येशू ओकरा देखिके कहैल्कै, “मातबर आदमीसिके परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करना बहुते कठिन छै। 25एकटा ऊँटके लिए सियाके छेद द्याके ढुकना मुश्किल छै, मगर एकटा मातबर आदमीके लिए परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करना बहुते मुश्किल छै।” 26यी बात सुनेवालासब ओकरा कहैल्कै, “फेर ककरो लिए परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करैके लिए बचैल जाना केरंके सम्भव छै?” 27येशू ओकरासिके जबाब देते कहैल्कै, “यी आदमीसिके लिए ते यी असम्भव छै, मगर परमेश्वरके लिए नै, कहिनेकी परमेश्वरके लिए सभे कुछु सम्भव छै।” 28तब पत्रुस कहैल्कै, “हमरसिके कि हैतै? हमेसब तोर चेला बनैके लिए आपन घरद्वार छोडी देलियै छे।” 29तब ऊ ओकरासिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच्चाई बताबैछियौ, हमर चेला बनैके लिए आर परमेश्वरके राज्यके लिए, जे भी आदमी आपन घरके त्याग करिदेल्कै या भ्या बहिनके या मयाँ-बाबुके या बेटा-बेटीके या जगह जमिनके त्यागैछै। 30ऊ आदमी इहे समयमे बहुते बडका प्रतिफल पैतै, आर आबेवाला युगमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पैतै।”
मुर्दासे जिन्दा हुऐके भविष्यवाणी
(मत्ती २०:१७-१९; मर्कू १०:३२-३४)
31येशू बारह चेलासिके एक बगल ल्यागेलै आर कहैल्कै, “देख, अपनासब यरूशलेम सहरमहर जैछियै, आर हमे, आदमीके बेटाके विषयमे परमेश्वरके वक्तासिके लिख्ल हरेक बात ओत्ते पुरा हैतै। 32कहिनेकी ऊ गैर यहूदी आदमीसिके हातमे सौंप्ल जैतै। ऊसब ओकर निन्दा कर्तै, बेज्जत कर्तै, थुक देतै, 33कोडा लगैतै, आर जान मार्तै। मगर तेसर दिनमे ऊ मुर्दासे जिन्दा भ्याके उठ्तै।” 34मगर चेलासब यी बात एक्कोटा नैबुझल्कै। ओकरसिके लिए यी बातके मतलब गुप्तमे राखल्कै, आर यी कहेल बात ओकरसिके समझमे नैऐलै।
एकटा अनराह मगनियाँके दृष्टि मिल्लै
(मत्ती २०:२९-३४; मर्कू १०:४६-५२)
35जब येशू यरिहो सहरके नज्दिक पुग्लै। तब ओत्ते एकटा अनराह आदमी रस्ताके बगलमे बैठिके भीख माँग्ते रहै। 36आदमीसिके बडका भीड बगल द्याके जैछै कहिके सुनिके, ऊ अनराह मगनियाँ पुछल्कै, “एत्ते कोन चीजके हल्ला छै?” 37आदमीसब ओकरा कहैल्कै, “नासरत गाँवमे रहेवाला येशू यी द्याके जैछै।” 38तब ऊ यी बात सुनिके जोरसे चिकरीके कहैल्कै, “हे येशू दाऊद राजाके सन्तान हमरपर दया कर।” 39आगु-आगु चलेवाला आदमीसब ओकरा चुप र कहिके धोपल्कै। मगर ऊ आरहौ जोरसे हल्ला करे लाग्लै, “हे येशू, दाऊद राजाके बेटा हमरपर दया कर।” 40तब येशू रुक्लै, आर ओकरा हमरलगत आन कहैल्कै। ऊ नज्दिक ऐलके बाद येशू ओकरा पुछल्कै। 41“तुहें कोन्ची चाहैछैं? हमे तोर लिए कि करिदियौ?” ऊ कहैल्कै, “प्रभु हमे देखैले चाहैछियै।” 42तब येशू ओकरा कहैल्कै, तुहें देखेवाला भ्याजो। तोर विश्वाससे तुहें ठीक भेल्हैं छे। 43आर ऊ तुरन्ते देखेवाला भेलै, आर परमेश्वरके प्रशंसा कर्ते येशूके अनुसरण करे लाग्लै। यी बात देखिके सभे आदमीसब परमेश्वरके प्रशंसा कैल्कै।
Currently Selected:
लूका 18: KYVNT
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.