युहन्‍ना 13

13
येसु आपन चेलासबके टाङ धुवाइल्‍कै
1निस्‍तार पाबैनसे पहिने, येसु अइ सन्‍सार छोइरके पितालग जाइबला समय आइबगेल छै से उ जानैछेलै। तब उ सन्‍सारमे भेल आपन चेलासबके परेम करल्‍कै आ अन्‍तिम समयतक उसबके परेम कैरते रहलै।
2तब येसु आपन चेलासबसङे साँझके भोजन खाइछेलै। सैतान पहिनेसे सिमोनके बेटा यहुदा इस्‍कोरियोतके मनमे ओकरा पकरादैके बिचार राइखदेने छेलै। 3येसु जानैछेलै कि पिता हमर हाथमे सबचिज देनेछै आ हम परमेस्‍वरसे एलचियै आ परमेस्‍वर लग ज्‍यारहल चियै। 4तब येसु ख्‍याके उठलै आ आपन उपरका बस्‍तर एक कातमे राइखके गम्‍छा डारमे बानहल्‍कै। 5तकरबाद एकटा कठौतमे पानी झाकल्‍कै आ आपन चेलासबके टाङ धुवाबैले लाग्‍लै आ डारमे बान्‍हल गम्‍छासे उसबके टाङ पोइछदेल्‍कै। 6जब येसु सिमोन पतरुस लग एलै, तब पतरुस कहल्‍कै, “परभु, कि अहाँ हमर टाङ धुवाइबै?”
7तब येसु ओकरा जबाफदैत कहल्‍कै, “हम कथी करैचियै से तु अखैन नै बुझबिही, महज पाछे बुझबिही।”
8पतरुस कहल्‍कै, “हम अहाँके आपन टाङ कहियो नै धुवाबैले द्‍याब!”
तब येसु ओकरा जबाफ देल्‍कै, “यदि हम तोहर टाङ नै धोबौ त हमरसङे तोहर कोनो समबन्‍ध नै रहतौ।”
9तकरबाद सिमोन पतरुस ओकरा कहल्‍कै, “ओहेन छै त, परभु, हमर टाङ मातरे नै, महज हमर हाथ आ मुरो धोइबदिय।”
10तब येसु ओकरा कहल्‍कै, “जे असलान करने छै ओकर टाङ मातरे धोबे परतै, कथिलेत उ पुरे सुध रहैछै। तुसब सुध त चिही, महज सबकोइ नै।”#१३:१० अइ पदमे येसु दिस्‍टान्‍तमे बोल्‍नेछै। जब येसु कहल्‍कै “जे असलान करने छै ओकर टाङ मातरे धोबे परतै, कथिलेत उ पुरे सुध रहैछै”, उ मुक्‍तीके बारेमे बात कैररहलछै आ जे येसुमे बिस्‍बास करैछै ओकर सब पाप माफ हैछै महज जब येसु कहल्‍कै “टाङ मातरे धोबे परतै” तब उ कहैले चाहैछै कि बिस्‍बासीके आपन पापसब सुइकारेके जरुरीछै (१ युहन्‍ना १:९) कथिलेकी उसब अखुन्‍तो पापी स्‍वभाबके छै आ उसब दिन दिने पाप करैछै। 11उ जानैछेलै कि हमरा के धोखा देतै। तैल्‍याके येसु सबकोइ सुध नै चिही से कहल्‍कै।
12येसु चेलासबके टाङ धुवाइलाकेबाद, आपन राखल उपरका बस्‍तर फेनो पिन्‍हके आपने ठाममे बैठलै। तब उसबके कहल्‍कै, “हम तोरासबके लेल कथी करनेचियौ, कि तुसब बुझलिही?#लुका २२:२७ 13तुसब त हमरा ‘गुरु’ आ ‘परभु’ कहैचिही। यि त तुसब ठिके कहैचिही, कथिलेत हम ओह्‍या चियौ। 14यदि तोरासबके परभु आ गुरु भ्‍याके तोरासबके टाङ धुवाइलियौ त तोरोसबके एक-दोसरके टाङ धुवाइले परतौ। 15कथिलेत जहिनङे हम तोरासबके करनेचियौ तहिनङे तोरोसबके करे परतौ कैहके हम एकटा नमुना देने चियौ। 16साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, नोकर आपन मालिकसे बरका नै हैछै, समाद पठाइबलासे समाद आनैबला बरका नै हैछै।#मती १०:२४, लुका ६:४०, युहन्‍ना १५:२० 17यि बातसब जाइनके उ करैचिही त, तुसब धैनके हेब्‍ही।
आपन मिरतुके बारेमे येसुके भबिसबानी
(मती २६:२०-२५, मरकुस १४:१७-२१, लुका २२:२१-२३)
18 “हम तोरासबके बारेमे नै कैहरहल चियौ, जकरा-जकरा हम चुन्‍ने चियै ओकरासबके जानैचियै। महज पबितर धरमसास्‍तर पुरा हेबे कैहके ‘जे हमर रोटी खाइछै ओह्‍या हमर बिरोधमे आपन एरी उठाइनेछै।’ 19यि घटना हैसे पहिने हम तोरासबके कहैचियौ। तहैलेल जब उ हेतौ तब ‘हम ओह्‍या चियौ’ कैहके तुसब बिस्‍बास करबिही। 20साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जे हमर पठेल्‍हा लोकके सुइकार करैछै, उ हमरा सुइकार करैछै आ जे हमरा सुइकार करैछै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करैछै।”
21यि कहलाकेबाद येसुके मन एकदम बेचैन भेलै आ आपन चेलासबके कहल्‍कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, तोरेसबमेसे एक गोरे हमरा पकरा देब्‍ही।” 22येसु यि बात ककर बारेमे कैहरहल छेलै से पका नै भेलासे चेलासब एक-दोसरके ताके लाग्‍लै। 23ओकर चेलासबमेसे एक गोरे, जकरा येसु परेम करैछेलै, उ ओकरे कातमे ओङैठके बैठल छेलै। 24तब सिमोन पतरुस ओकरा इसरा कैरके कहल्‍कै, “पुछ त, उ ककर बारेमे कहैछौ?” 25तैल्‍याके उ येसुमे ओङैठके पुछल्‍कै, “परभु, उ के चियै?” 26तब येसु जबाफ देल्‍कै, “जकरा हम यि रोटीके खुन्‍डी बोइरके देबौ, उ ओह्‍या चियौ।” तब येसु रोटीके खुन्‍डी बाटीमे बोइरके सिमोनके बेटा यहुदा इस्‍करियोतके देल्‍कै। 27तब यहुदा रोटीके खुन्‍डी लैते मातर सैतान ओकरमे ढुइकगेलै। तब येसु ओकरा कहल्‍कै, “तु जे करैले लागलचिही, से झटसिन कैरले।” 28महज येसु ओकरा कथिले एहेन बात कहल्‍कै से ओते खाइले बैठल्‍हासब कोइ नै बुझल्‍कै। 29यहुदासङे पैसाके बटुवा छेलै तैल्‍याके कोइ-कोइ सोच्‍ने छेलै कि येसु पाबैनके लेल कुछो समान चाही से किनके आन या कुछ गरिबोसबके बाइट दहै कहने हेतै। 30तब यहुदा रोटीके खुन्‍डी ल्‍याके झटसिना बाहर निकैलके गेलै। ओइ बखत रात भेल छेलै।
येसुके लबका आग्‍या
31जब यहुदा बाहर निकैलके गेलै, तब येसु उसबके कहल्‍कै, “आब मानब बेटाके महिमा परगट हेतौ आ ओकरमे परमेस्‍वरके महिमा परगट हेतै। 32यदि परमेस्‍वरके महिमा बेटासे भेलछै त, परमेस्‍वरो ओकरा आपनलग महिमीत करतै आ उ ओकरा जल्‍दीए महिमीत करतै।
33 “हे हमर छोट बालकसब! कुछ देरतक मातरे हम तोरासबसङे रहबौ। तुसब हमरा ताकबिही आ जहिनङ हम यहुदीसबके कहने छेलियै, आब तोरोसबके कहैचियौ, ‘जते हम ज्‍यारहल चियै, तते तुसब आबैले नै सकबिही।’ 34आब हम तोरासबके एकटा लबका आग्‍या दैचियौ, तुसब एक-दोसरके परेम कर। जहिनङ परेम हम तोरासबके करनेचियौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके परेम कर। 35यदि तुसब एक-दोसरके परेम करबिही त, ओहैसे सबकोइ जान्‍तौ कि तुसब हमर चेलासब चिही।”
पतरुसके इन्‍कार
(मती २६:३१-३५, मरकुस १४:२७-३१, लुका २२:३१-३४)
36तब सिमोन पतरुस येसुके कहल्‍कै, “हे परभु, अहाँ कते ज्‍यारहल चियै?”
येसु ओकरा कहल्‍कै, “हम जते ज्‍यारहल चियै, अखुन तु हमरसङे आबैले नै सकबिही, महज तु पाछे हमरा पछुवाइबिही।”
37महज पतरुस कहल्‍कै, “परभु, हम अखुन कथिले पछा आबैले नै सक्‍बै? हम त अहाँके लेल जानो द्‍यादेबै।”
38तब येसु जबाफदैत कहल्‍कै, “कि तु हमर लेल जानो द्‍यादेब्‍ही? साँचोके हम तोरा कहैचियौ, बिहान मुरगा डाँक दैसे पहिने तु हमरा तिन बेर इन्‍कार करबिही!”

Subratllat

Comparteix

Copia

None

Vols que els teus subratllats es desin a tots els teus dispositius? Registra't o inicia sessió