लुका 12
12
चेताबनी आ सहजोग
(मती १०:२६-३३)
1तहैबिच जब हजारो लोकसबके भिर जमा भेलै, तब ओते लोकसब एकदोसरमे किचम-किच हेबे लाग्लै, तहै बखत येसु आपन चेलासबके कहेलाग्लै, “तुसब फरिसीसबके खमिरसे होसियार रैहिये, कथिलेत उ खमिर ओकरासबके कपटी बिचार चियै। 2झापल एहेन कोनो बात नै छै, जे उघारल नै जेतै, घोसारल कोनो बात नै छै, जे थाह नै हेतै। 3अइ खातिर जे तुसब अन्हारमे कहने चिही, उ इजोतमे सुनाइतौ। बन्द कोठलीमे गुदुर-फुसुर करल बात भितासे परचार हेतौ।”
परमेस्वरटाके डर मान
(मती १०:२८-३३, १२:३२)
4 येसु फेनो कहल्कै, “हे हमर साथीसब हम तोरासबके कहैचियौ, ओइसबसे नै डेरा जे देहके मातर मारैछै, तकरबाद उ कुछ नै करे सकैछै। 5महज ककरसे डेराए परतौ, हम तोरासबके चेताबनी दैचियौ, ओकरेसङे डराबेपरैछै जकरसङे देहके मारके नरकमे फेकैके सक्ती छै। हम त कहैचियौ, ओकरेटासे मातर डेरा। 6कि दुइ टकामे पाँचटा बगरा नै बिकाइछै? कतबो सस्ता हेतौ त परमेस्वर एकोटा बगराके नै बिसरैछै। 7बासतममे तोरासबके मुरके केसतक गनल छौ। नै डेरा कथिलेत तुसब बहुत बगरासबसे औरो महग चिही।
8 “हम तोरासबके कहैचियौ, जेसब हमरा लोकसबके सामने परभु कैहके सुइकार करतै, ओकरा मानबोके बेटा परमेस्वरके स्वरगदुतसबके सामने सुइकार करतै। 9महज जे कोइ लोकसबके अगामे हमरा असुइकार करतै, ओहो परमेस्वरके स्वरगदुतसबके सामने इन्कार करलजेतै। 10जे कोइ मानब बेटाके बिरोधमे नै निक बातसब बोलतै, तकरा छमा करलजेतै, महज पबितर आत्माके बिरोधमे नै निक बात करतै त ओकरा छमा नै हेतै।
11 “जब उसब तोरासबके पकैरके सभाघरसब, सासकसब आ अधिकारीसबके सामने लाबतौ, तब तुसब कनङ आ कथी जबाब देबही, या कथी कहे परतै से चिन्ता नै कर। 12कथिलेत तै बखत तोरासबके कथी बोले परतौ से बात पबितर आत्मा तोरासबके सिखाइतौ।”
मुरुख धनिक लोकके खिसा
13तब भिरसे एकटा लोक येसुके कहल्कै, “गुरु जी, हमर भैयाके कैहदियौ कि हमरा भैयारी अंस द्यादैले।” 14महज येसु ओकरा कहल्कै, “भाइ, के हमरा तोरासबके फैसला करैले या दुनुगोरेके धनसम्पैत बाटैले खटेल्कौ?” 15तब येसु भिरमे भेल्हा सब लोकसबसे कहल्कै, “सब परकारके लोभ लालच करैसे होसियार रह, कथिलेत लोकके जिन्गी ओकर धने सम्पैतमे अरल नै रहैछै।”
16तब येसु ओकरासबके एकटा कहबी सुनेल्कै, “एकटा धनिक लोक खेतमे बहौतरा अन उबजेल्कै। 17तब उ आपनमे मनेमन सोचे लाग्लै, ‘हमरा अन राखैले कतौ जगह नै छै, आब हम कथी करबै?’ 18तब उ फेनो बिचार करल्कै, ‘आब हमरा अनङ करे परतै- आपन सब बखारी उजाइरके पहिन्कासे बरका-बरका बनाइबै आ सब अन आ सरसमान ओहैमे राखे परतै। 19तब हम अपने आपके कहबै, सालो-साल तक पुगैबला अन, धन-समपैत जमा कैरके राखने चियै। आब मज्जासे बैठ, खो, पि आ मौज कर।’ 20महज परमेस्वर ओइ धनिक लोकके कहल्कै, ‘हे मुरुख लोक, आइए रातमे तोहर देहसे तोहर परान तोरा छोइरके चैलजेतौ, अतहेक चिजसब तु अपनलेल जे जमा करनेचिही, बिहान यीसब ककर हेतौ?’” 21तब येसु फेनो ओकरा कहल्कै, “आपन खातिर कतबो धन समपैत जमा कैरले, महज परमेस्वरके नजरमे धनिक नै भेल लोकके दसा ऐहनङ हैछै।”
चिन्ता नै कर
(मती ६:२५-३४)
22तकरबाद येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “अहै खातिर आपन परानके लेल कथी खेबै, देहके लेल कथी पिन्हबै कैहके चिन्ता नै कर। 23कथिलेत खाइबला चिजसे परानेटा आ पिन्हैबला चिजसे देह बरका हैछै। 24कौवासबके देख, नै त उसब बिचहन छिटैछै, नै काटैछै, ओकरासबके नै त भन्डार नै बखारी छै, महज तैयौ परमेस्वर ओकरासबके खियाबैछै। तुसब त ओइ चिरै-चुरगुनसे बहुत मुल्यबान चिही! 25तोरासबमेसे के चिही जे चिन्ता कैरके आपन जिन्गी एकोरति बरहाइले सकबिही? 26तै खातिर ऐहनो छोट काम नै करे सकबिही त, औरो चिजके चिन्ता कथिले करैचिही? 27चौरीके लिली फुलाके बिचार कर, नै त उसब मेहनत करैछै, नै त धगासे कपरा बुनैछै, महज हम तोरासबके कहैचियौ, सोलोमन रजा कतबो धनिक छेलै तैयो उ लिली जखा सजिसजाउ नै भेलै। 28महज आइके हैबला आ बिहानके आइगमे डाइहदै बला चौरीके फुलाके परमेस्वर ऐहनसे सजाइछै त उ तोरासबके कतहेक बेसी निकसे सजाइतौ। तोरासबके बिस्बास कते छौ? 29कथी खेबै, कथी पिबै तकर लेल तुसब खोजि आ चिन्ता नै कर। 30कथिलेत परमेस्वरके नै चिन्हैबला लोकसब यि चिजसबके चिन्ता करैछै। यि सब चिजसब तोरासबके चाही से बात परमेस्वर पिता जानैछौ। 31महज पहिने परमेस्वरके राजके खोजि कर तब यि सब चिजसब तोरासबके थैपके देतौ।”
स्वरगमे जमा हैबला धन
(मती ६:१९-२१)
32 ताब येसु चेलासबके कहल्कै “हे हमर छोट जेर, नै डेरा! कथिलेत परमेस्वर तोरासबके आपन राज दैले खुसिसाथ तयार भेलछौ। 33तुसब आपन धन बेचके गरिबसबके दहै। आपन खातिर कहियो नै फाटैबला बटुवा तैयार कर। तहिनङे कहियो नास नै हैबला धन स्वरगमे जमा कर। जते चोर नै एतौ आ नै किरो लागतौ। 34कथिलेत जते तोहर धन रहतौ ओते तोहर मनो रहतौ।”
जागल रह
(मती २४:४२-५१, मरकुस १३:३२-३७)
35 तुसब आपन डाँर सकत कर आ डिबिया बैरते रहेदहै। 36तुसब ओइ नोकरसब जखा हो। मालिक बियाह भोजसे आइबके केबार ढकढकाइते मातर खोइल दैछै। 37उ नोकरसब धैनके चियै, जब मालिक घर आबैछै त उसबके जागल देखैछै। साच्चे हम तोरासबके कहिचियौ, उ आपन डाँर कैसके ओकरासबके खियाइले बैठेतै आ आइबके सेबा करतै।
38 यदी मालिक अबेर कैरके अधा रातके घर आबैछै या भिन्सरके आबैछै तैयो ओइ बखत नोकरसबके जागल देखतै त, उ नोकरसब धैनके कहेतै।
39 “महज यि जानैत रह, कि चोर कोन बखत एतै कैहके मालिकके थाह हेतियै त उ जागले रहतियै आ चोरके सिन कोरके घर ढुकैले नै देतियै। 40तै खातिर तुहुसब तैयार रह, कथिलेत तुसब नै सोचलहा बखत मानबके बेटा एतौ।”
इमान्दार आ बैमान नोकरके खिसा
(मती २४:४५-५१)
41तब पतरुस येसुके पुछल्कै, “परभु, यि खिसा हमरौरेटाके मातर कहैचियै, कि औरोसबके लेल?” 42परभु उतर देल्कै, “बफादार आ बुधिमान मुखिया के चियै, जकरा ओकर मालिक आपन घरके सब कामकाजके जिमा देतै आ आपन नोकरसबके ठिक समयमे खाना दैकेलेल खटेतै। 43उ मुखिया धैनके हेतै, जब ओकर मालिक एतै तब ओकरा ओहिनङ काम करैत देखतै। 44साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, मालिक ओकर बिस्बाससे ओकरा सब समपैतके जिम्मा देतै। 45महज उ मुखिया आपन मनमे ‘हमर मालिक अबेरसे एतै’ कैहके सधारन नोकर-चाकरके मारे-पिटे लाग्तै आ जथाभाबी खा-पिके माते लाग्तै त, 46मालिक ओकर नै सोचलहा दिन आ घरी एतै, ओकरा करा सजाय देतै आ ओकर दसा परमेस्वरमे बिस्बास नै करैबलासब जखा हेतै।
47 “आपन मालिकके इक्छा जाइनके तयार नै रहै आ करैबला काम नै करैछै तेहन मुखियाके मालिक सजायके भागिदार बनेतै। 48महज मालिकके इक्छा थाहे नै होके खराब काम करैबला नोकरके कम सजाइ देतै। जकरा बहौतरा देनेछै, ओकरसे बेसीये माङल जाइछै आ जकरा जतेहेक बेसीसे जिमा देल रहैछै तकरा औरो बेसीसे घुम्याके दैले परैछै।”
सान्ती नै, भिन
(मती १०:३४-३६)
49 येसु कहल्कै, “हम यि धरतीमे आइग लगाइले एलचियै आ उ आइग पहिनेसे लाइगगेल रहतियै त निक हेतियै! 50एकटा दुखके बप्तिस्मा#१२:५० दुखके बप्तिस्मा- अते बप्तिस्माके अरथ पानीसे सुध कराबैके चलन नै बुझाइछै महज खिरिस्टके दुख भोगे परतै कैहके सङकेत करैछै हमरा लैले परतै। जाबेतक हम उ बप्तिस्मा नै लेबै ताबेतक हमरा चैन नै हेतै। 51हम धरतीमे सान्ती दैले एलचियौ सम्झैचिही? नै, हम त लोकसबके भिन कराइले एलचियौ। 52कथिलेत आबसे एके परिबारमे पाँच गोरे एकदोसरसे भिन हेतै, तिन गोरेके बिरोधमे दुइ आ दुइके बिरोधमे तिन उठतै। 53बापके बिरोधमे बेटा आ बेटाके बिरोधमे बाप, महताइर बेटीके बिरोधमे आ बेटी महताइरके बिरोधमे, तैहनङे सौस आपन पुतौहके बिरोधमे आ पुतौह सौसके बिरोधमे उठतै।”
समयके लछन
(मती १६:२-३, ५:२५-२६)
54येसु भिर लागल लोकसबके कहल्कै, “पछिममे मेघ लागल देखते मातर तुसब ‘आब पानी परतै’ कहैचिही आ पानी परैछै। 55जब दछिन दिसनसे हबा बहैछै तब तुसब कहैचिही, ‘बहुत गरम हेतै’ आ तैहनङे हैछै। 56ऐ कपटीसब! तुसब अकास आ धरतीके लछनसब कैह दैले सकैचिही, महज यि समयके अरथ लगाइले नै जानैचिही? 57कोन बात ठिक चियै कैहके तुसब कथिले नै आपनेमे उचित निरनय करे सकैचिही? 58कोइ तोहर उपर झगरा लग्याके पन्च लग लजाइत खिना रस्तेमे मिलैके कोसिस कर। नै त उ तोरा पन्चके अगा लेजाइतौ आ पन्च तोरा सिपाहीके जिमा लगाइतौ आ सिपाही तोरा जहलमे ढोइकदेतौ। 59हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक जरिबनाके एक-एक पैसा नै तिरबिही ताबेतक नै छुटबिही।”
S'ha seleccionat:
लुका 12: MTH
Subratllat
Comparteix
Copia
![None](/_next/image?url=https%3A%2F%2Fimageproxy.youversionapistaging.com%2F58%2Fhttps%3A%2F%2Fweb-assets.youversion.com%2Fapp-icons%2Fca.png&w=128&q=75)
Vols que els teus subratllats es desin a tots els teus dispositius? Registra't o inicia sessió
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.