लुका 18
18
बिधुवा आ नियाइधिस
1तकरबाद चेलासबके सबदिन परथना करे आ निरास नै हेबे कैहके येसु ओइसबके एकटा खिसा कहल्कै, 2“कोनो सहरमे परमेस्वरके डर नै मानैबला आ लोकसबके वास्ता नै करैबला एकटा नियायधिस छेलै। 3ओहै सहरमे एकटा बिधुवा छेलै। उ नियायधिस लग बेर-बेर जाइ छेलै आ कहैछेलै, ‘हमर बिरोधी उपर हमरा नियाइ कैरदिय।’ 4कुछ दिनतक ओकर बात नै मानल्कै, महज उ पाछे आपन मने-मन बिचार करल्कै, ‘हम त परमेस्वरके डर नै मानैचियै आ कोनो लोकोसबके बात नै मानैचियै। 5महज यि बिधुवा त हमरा हरान कैरदेनेछै तैलके हम अकर नियाइ कैरदेबै। नै त उ सबदिन आइबके हमरा दिक्क लग्यादेतै।’”
6तब परभु येसु कहल्कै, “सुन, उ दुस्ट नियायधिस कथी कहैछौ। 7कि परमेस्वरके आपन जनसब रात-दिन ओकरा पुकारतै त ओइसबके नियाइ नै करतै? कि उ आपन लोकसबके सहायता करैले देर करतै त? 8हम तोरासबके कहैचियौ, परमेस्वर आपन लोकसबके जल्दीए अनियाइसे बचाइतौ। जब मानबके बेटा पिरथिबीमे एतै त ओकरा बिस्बास करैबला भेटतै?”
फरिसी आ बटी उठाइबला लोक
9तब आपनेमे भरोसा करैबला आ दोसरके निच सम्झैबला लोकसबके येसु यि खिसा सुनाइल्कै, 10“परमेस्वरके मन्दिरमे दुइगोरे परथना करैले गेलै। उसबमेसे एकटा फरिसी आ दोसर बटी उठाइबला छेलै। 11फरिसी ठार भ्याके परथना करल्कै, ‘हे परमेस्वर, हम अहाँके धन्यबाद चरहाइचियै कथिलेत हम औरो लोकसब जखा लोभी, पापी, बेबिचारी आ यि बटीयो उठाइबला जखा नै चियै। 12हम हप्ताके दुइ दिन उपास बैठैचियै आ सब चिजके दसांस दैचियै।’
13 “महज उ बटी उठाइबला लोक दुरे ठार भ्याके स्वरग दिसन आँखके पलकियो नै मारके आपन छाति पिट-पिटके कहल्कै, ‘हे परमेस्वर, हम पापी उपर दया करु!’” 14तब येसु ओइसबके कहल्कै, “हम तोरासबके कहैचियौ, बटी उठाइबला लोक फरिसीसे बेसी धरमी ठहैरके आपन घर गेलै। कथिलेत जे आपनके बरका सोचैछै उ सबसे छोट हैछै आ जे आपनके छोट सोचैछै उ सबसे बरका हैछै।”
छोट बच्चासबके हमरलग आबैले नै रोकै
(मती १९:१३-१५, मरकुस १०:१३-१६)
15एक दिन लोकसब आपन बच्चोसबके उपर हाथ राइखके आसिरबाद देबे कैहके येसु लग आनल्कै। महज यि देखके चेलासब ओइसबके पितेल्कै। 16महज येसु बच्चासबके बोलेल्कै आ चेलासबके कहल्कै, “बच्चासबके हमरलग आबैले दहै, ओइसबके नै रोकै। कथिलेत परमेस्वरके राज ओकरेसबके लेल चियै जे बच्चा जखाछै। 17साँचे हम तोरासबके कहैचियौ, जे एकटा बच्चा जखा परमेस्वरके राजके गरहन नै करतै त उ कहियो नै भितर ढुकैले सक्तै।”
धनिक सासक
(मती १९:१६-३०, मरकुस १०:१७-३१)
18कोनो एक यहुदी सासक येसुके पुछल्कै, “हे असल गुरु जी, अनन्त जिबन पाबैले हमरा कथी करेपरतै?” 19येसु ओकरा कहल्कै, “तु हमरा कथिले असल गुरु कहैचिही? परमेस्वरके अलाबा कोइ नै असल छै। 20तु त आग्यासब जान्बे करैचिही, ‘बेबिचार नै कर, हतिया नै कर, चोरी नै कर, झुठा साक्छी नै दहै आ आपन माँ-बाबुके आदर कर।’”#परस्थान २०:१२-१६, बेबस्था ५:१६-२० 21उ लोक जबाफ देल्कै, “हम त यि आग्यासब छोटेसे पालन कैरते आबैचियै।” 22यि बात सुइनके येसु ओकरा कहल्कै, “तोहरमे एकटा औरो चिजके कमि छौ। तोहर सङे भेल्हा सब धन-समपैत बेचके गरिबसबके बाइट दहै, तब स्वरगमे तोरा बहुत धन हेतौ आ हमर पछा लाग।” 23महज यि बात सुइनके यहुदी सासक उदास भेलै, कथिलेत उ बहुत बरका धनिक छेलै।
24तब येसु ओकरा देखके कहल्कै, “धनिक लोकसबके परमेस्वरके राजमे आबैले बहुत कठिन हैछै! 25साच्चोके धनिक लोक परमेस्वरके राजमे आबैसे त बरु उंटके टिपनीके नाथिमे ढुकैले असान हैछै!” 26तब यि बात सुनैबलासब ओकरा पुछल्कै, “तब के उदार पाबतै त?” 27येसु जबाफ देल्कै, “जे लोकसबके लेल असम्भब छै, उ परमेस्वरके लेल सम्भब छै।”
28तब पतरुस कहल्कै, “देखु, हमसब त आपन घरदुवार छोइरके अहाँके पछा लागलचियै।” 29येसु ओइसबके कहल्कै, “साँचे हम तोरासबके कहैचियौ, जे परमेस्वरके राजके लेल आपन घरदुवार, घरबाली, बेटाबेटी, भाइ-बहिन, माँ-बाबुके छोरतै, 30उ अहै जलममे ओइसे बेसी कैरके पाबतै आ दोसर जुगमे अनन्त जिबन पाबतै।”
आपन मिरतुके बारेमे येसुके भबिसबानी
(मती २०:१७-१९, मरकुस १०:३२-३४)
31येसु बारहो चेलासबके कातमे लेजाके कहल्कै, “सुन, आब अपनासब यरुसलेम ज्यारहल चियै। अगमबक्तासब मानबके बेटाके बारेमे लिखलाहा सबबातसब ओतै पुरा हेतौ। 32उ रोमी सासकसबके हाथमे परतौ आ लोकसब ओकरा गिल्ला करतौ, थुक्तौ, दुरबेबहार करतौ, 33तब उसब चाबुकसे पिट्तौ आ माइर देतौ, तब तेसर दिनमे उ फेनो जिके उठतौ।” 34महज यि बात चेलासब नै बुझल्कै। कथिलेत यि बात ओइसबके लेल रहसके बात छेलै आ उसब यि बातके अरथ बुझैले नै सकल्कै।
येसु आन्हर भिखमङाके आँख देल्कै
(मती २०:२९-३४, मरकुस १०:४६-५२)
35एक दिन येसु यरिहो सहरके लगमे पुग्लै। ओते एकटा आन्हर लोक रस्ताके कातमे बैठके भिख माङै छेलै। 36लोकसबके एकटा भिर ओकरे कातसे ज्यारहल छै से सुइनके “यि कथी चियै?” कैहके लोकसबके पुछल्कै। 37लोकसब ओकरा जबाफ देल्कै, “नासरतके येसु यहै बाटे ज्यारहल छै।” 38तब यि सुइनके उ जोरसे कहल्कै, “हे येसु! दाउदके पुतर, हमर उपर दया करु!” 39अगा-अगा जाइबलासब ओकरा चुप हो कैहके फटकारल्कै। महज उ औरो जोरसे कहेलाग्लै, “हे दाउदके पुतर, हमर उपर दया करु!” 40येसु ठार भेलै आ ओकरा अते आन कैहके आग्या करल्कै। जब उ लगमे एलै तब येसु ओकरा पुछल्कै, 41“तु कथी चाहैचिही? तोहर लेल हम कथी कैरदेबौ?” उ कहल्कै, “परभु, हम देखैले चाहैचियै।” 42येसु ओकरा कहल्कै, “तु देखैबला भ्याजो! तोहर बिस्बाससे तु निक भेल्ही।” 43तखुन्तेसे उ देखे लाग्लै आ परमेस्वरके परसन्सा करैत ओकर पछा लाग्लै। यि देखैबला औरो लोकसब परमेस्वरके परसन्सा करैले लाग्लै।
S'ha seleccionat:
लुका 18: MTH
Subratllat
Comparteix
Copia
Vols que els teus subratllats es desin a tots els teus dispositius? Registra't o inicia sessió
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.