लुका 20

20
येसुके अधिकार आ सबाल
(मती २१:२३-२७, मरकुस ११:२७-३३)
1एक दिन मन्‍दिरमे येसु लोकसबके सिक्‍छा दैत सुसमाचार सुनाइतरहै, तहै बखत मुल पुजारीसब, धरमगुरुसब आ अगुवासब ओकरलग एलै, 2आ ओकरा पुछल्‍कै, “कोन अधिकारसे तु यि काम करैचिही? तोरा यि अधिकार के देने छौ? हमरासबके कह।”
3तब येसु ओइसबके कहल्‍कै, “हम्‍हु तोरासबके एकटा सबाल पुछबौ। हमरा कह त, 4युहन्‍नाके बप्‍तिस्‍मा दैके अधिकार परमेस्‍वरसे पाबने छेलै, कि मानबसे?” 5तब उसब एकदोसरसे बात-चित करे लाग्‍लै, “परमेस्‍वरसे कहबै त, ‘कथिले नै तुसब युहन्‍नाके बिस्‍बास करलिही?’ से बात उ कहतै। 6‘मानबसे’ कहबै त, सब लोकसब मिलके पथल बरसाके हमरासबके माइरदेतै, कथिलेत युहन्‍ना अगमबक्‍ता छेलै से उसब बिस्‍बास करैछै।” 7अइखातिर उसब जबाब देल्‍कै, “हमसब नै जानैचियौ, उ अधिकार कतेसे एलछै।” 8तब येसु ओइसबके कहल्‍कै, “तनङ छै त हम कोन अधिकारसे यि काम करैचियै, से हम्‍हु तोरासबके नै कहबौ।”
मालिक आ बटिदारसबके खिसा
(मती २१:३३-४६, मरकुस १२:१-१२)
9तब येसु लोकसबके यि खिसा कहल्‍कै, “एकटा लोक अङगुरके खेती करल्‍कै आ उ खेत बटिदारके बटियामे द्‍याके उ अपना बहुतदिनके लेल बिदेस चैलगेलै। 10जब अङगुर फैरके पाके लाग्‍लै तब अङगुर लैले फुलबारीके मालिक आपन एकटा नोकरके बटिदार लग पठाइल्‍कै, महज बटिदारसब ओकरा मारपिट कैरके उन्‍टे छुच्‍छे हाथ पठादेल्‍कै। 11मालिक फेनो दोसर नोकरके पठाइल्‍कै, महज उसब ओकरो माइर पिटके बेजत कैरके छुच्‍छे हाथ पठादेल्‍कै। 12फेनो तेसर नोकरके पठाइल्‍कै, महज उसब ओकरो माइर पिटके बाहर निकाइलदेल्‍कै।
13 “तब अङगुर खेतके मालिक कहल्‍कै, ‘आब हम कथी करबै? हमर आपन दुलरुवा बेटाके पठाइले परतै। हमर बेटाके त उसब पक्‍के आदर करतै।’ 14महज बटिदारसब ओकरा देखैत मातर आपनमे बात करल्‍कै, ‘उ त हकबला चियौ। अपनासब अकरा माइरदहै तब अकर सब धन-समपैत अपनासबके भ्‍याजेतौ।’ 15उ बटिदारसब ओकरा अङगुर खेतसे घिस्‍याइते बाहर निकालके माइरदेल्‍कै।” तब येसु पुछल्‍कै, “आब अङगुर खेतके मालिक ओइसबके कथी करतै? 16उ आइबके सब बटिदारसबके माइरदेतै आ अङगुर खेत औरो लोकसबके द्‍यादेतौ।”
लोकसब यि बात सुइनके कहल्‍कै, “एहेन कहियो नै हेबे!” 17तब येसु ओइसब दिसन एकटक लग्‍याके ताकैत कहल्‍कै,
“पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल यि बातके अरथ कथी चियै त?
‘जै पथलके घर बनाबैबला मिसतिरीसब छाइट देल्‍कै, सेहे जगके मुल खम्‍हा बन्‍लै।’
18 “ओइ पथल उपर जे खस्‍तै से चकनाचुर भ्‍याजेतै आ जकर उपर यि खस्‍तै तकरा गुन्‍डीमिसान कैरदेतै।”
बटीके बारेमे परस्‍न
(मती २२:१५-२२, मरकुस १२:१३-१७)
19तब धरमगुरुसब आ मुल पुजारीसब येसुके तखुन्‍ते पकरैले चाहल्‍कै, कथिलेत उसब जानैछेलै कि यि दिस्‍टान्‍त ओहैसबके बिरुधमे कहने रहै। महज उसब लोकसबसे डराबै छेलै। 20उसब येसुके पकरैले मौका ताके लाग्‍लै आ आपनके धरमी कहाइबला जासुससबके ओकरलग पठाइल्‍कै। येसुके ओकरे कहलहा बातमे ओकरा फसाके रोमी सासकसबके हाथमे फसाइके दाउमे उसब छेलै। 21तब उसब येसुके फसाइले पुछल्‍कै, “गुरु जी, हमसब जानैचियै, अहाँ सहि बात बोलैचियै, असल बात सिखाइचियै आ ककरो पक्‍छपात नै करैचियै, महज अहाँ त सत्‍यतासे परमेस्‍वरके रस्‍ता देखाइचियै। 22आब हमरासबके कहु, हमसब यहुदीके नियम अनुसार रोमी सरकार कैसरके कर तिरबै से उचित छै, कि नै?” 23महज येसु ओइसबके कपटी मन बुइझके कहल्‍कै, 24“हमरा एकटा डलर देखा। अइमे ककर चेहरा बनलछै आ नाम लिखल छै?” उसब कहल्‍कै, “रोमी सरकार कैसरके।” 25तब येसु ओइसबके कहल्‍कै, “तै खातिर जे कैसरके चियौ, से कैसरके दहै आ जे परमेस्‍वरके चियौ से परमेस्‍वरके दहै।” 26लोकसबके सामने उसब ओकरा बातमे फसाइले नै सक्‍लै आ ओकर जबाब सुइनके आस्‍चरज मानल्‍कै आ चुपचाप रहलै।
जि उठैके परस्‍न
(मती २२:२३-३३, मरकुस १२:१८-२७)
27तकरबाद कुछ सदुकीसब येसु लग एलै। मानब मैरके जि उठतै तै बातमे उसब बिस्‍बास नै करैछेलै।#भजनसङगरह ११८:२२ 28उसब येसुके पुछल्‍कै, “गुरु जी, मोसा हमरासबके लेल बेबस्‍थामे लिखने छै, ‘कि कोनो लोकके बियाहल भैया निपुतरे भ्‍याके मरतै त, ओकर भाइ आपन भौजीसे बियाह कैरके भैयाके बंस खरा करे परैछै।’#बेबस्‍था २५:५-६ 29आब सुन, एकटा परिबारमे सात भाइके भैयारी छेलै। जेठका बियाह करल्‍कै आ ओकरा धियापुता जलमैसे पहिने उ मरगेलै, 30तब दोसर, 31आ तेसर ओकरसे बियाह करल्‍कै। तैहनङे कैरके सातो गोरे बियाह करल्‍कै आ धियापुता नै जलैमके सब गोरा एक-एक कैरके मरगेलै। 32तकरबाद ओहो जनी सेहो मरलै। 33जब लोकसब मैरके जि उठतै तै बखत उ जनी ककर घरबाली हेतै? कथिलेत उ सातो जौरेसे बियाह करने छेलै।”
34तब येसु ओइसबके कहल्‍कै, “ऐ जुगके लोकसब बियाह करैछै आ बियाह कराइयोदैछै। 35महज ओइ जुगतक पौहुचैके योग्‍य ठहरल लोकसब आ मैरके जि उठैके योग्‍यके हैबलासब बियाह नै करैछै आ नै कराइछै। 36उसब फेनो नै मरैछै, कथिलेत उसब स्‍वरगदुतसब सरह हैछै। उसब मरनके बाद फेनो जिलासे परमेस्‍वरके धियापुतासब हैछै। 37मरलहासब जि उठतै तै बातके परमान मोसा बहुत निकसे देने छेलै, से बात जरैत झारके घटनासे उ परभु पुकारैत ‘हे अबराहमके परमेस्‍वर, इसहाकके परमेस्‍वर आ याकुबके परमेस्‍वर’#परस्‍थान ३:१-६ कहल्‍कै। 38उ मरल लोकसबके परमेस्‍वर नै चियै, उ त जियलसबके परमेस्‍वर चियै, कथिलेत उ सबके लेल जियल छै।” 39तब कोनो धरमगुरुसब कहल्‍कै, “गुरु जी, अहाँ असलसे हमरासबके ठिक बात कहलियै।” 40तकरबाद फेनो ओकरा औरो बात पुछैले ककरो हिम्‍मत नै भेलै।
खिरिस्‍ट ककर बेटा चियै
(मती २२:४१-४६, मरकुस १२:३५-३७)
41तब येसु ओकरासबके पुछल्‍कै, “मुक्‍ती दैबला खिरिस्‍ट दाउदके बेटा चियै से उसब कनङके कहैछै? 42कथिलेत भजनके किताबमे दाउद आपने कहनेछै,
‘परमपरभु हमर परभुके कहल्‍कै,
तु हमर हाथके देहना कात बैठ,
43 जाबेतक हम तोहर दुस्‍मनसबके तोहर टाङके खराम नै बनाइबौ।’ # भजनसङगरह ११०:१
44 “ऐहनङ दाउद खिरिस्‍टके ‘परभु’ कहैछै त, फेन उ कनङके दाउदके बेटा परलै?”
धरमगुरुसबके बिरोधमे चेताबनी
(मती २३:१-३६, मरकुस १२:३८-४०)
45तब सब लोकसबके सुन्‍याके येसु आपन चेलासबके कहल्‍कै, 46“निक-निक धोती-कुरता पिन्‍हके अगल-बगल घुमैबलासबसे, रस्‍तामे चलै फिरै बखत अभिबादन चाहैबलासब, बैठकीमे परमुख आसन माङैबला आ भोज भातमे कमरमे बैठैबला धरमगुरुसबसे होसियार रह। 47उसब बिधुवासबके घर हरैप लैछै आ देखाबटी बरका-बरका परथना करैछै। साँचे उसब त बेसीसे कठोर सजाय पाबतै।”

S'ha seleccionat:

लुका 20: MTH

Subratllat

Comparteix

Copia

None

Vols que els teus subratllats es desin a tots els teus dispositius? Registra't o inicia sessió