लुका 22

22
यहुदाके बिस्‍बासघाती योजना
(मती २६:१-५,१४-१६, मरकुस १४:१-२, १०-११, युहन्‍ना ११:४५-५३)
1अखमिरी रोटीके पाबैन नजदिक चैल एलछेलै। ऐ पाबैनके निस्‍तार पाबैन कहैछै। 2मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसब येसुके कनङके मारबै से मौका ताकैछेलै, महज उसब लोकसबसे डराइछेलै।
3तहै बखत बारहो चेलामे एकटा इस्‍करयोती कहाइबला यहुदाके मनमे सैतान ढुकलै। 4तब उ मुल पुजारी आ मन्‍दिरके लठैतसब लग ज्‍याके येसुके कनङके पकराइबै कैहके सर-सल्‍लाह करल्‍कै। 5यि बात सुइनके उसब खुसी भ्‍याके ओकरा पैसा दैले मन्‍जुर भेलै। 6यहुदा राजी भेलै आ भिर-भार नै भेल्‍हा बखत येसुके पकरैले मौका ताके लाग्‍लै।
चेलासबसङे येसुके अन्‍तिम भोज
(मती २६:१७-३०, मरकुस १४:१२-२६, युहन्‍ना १३:२१-३०, १ कोरन्‍थी ११:२३-२५)
7जब अखमिरी रोटी खाइबला पाबैनके दिन एलै, तब निस्‍तार पाबैनके दिनमे भेंराके बैलभोग चरहाइके चलन छेलै। 8तै खातिर पतरुस आ युहन्‍नाके येसु बोल्‍याके कहल्‍कै, “ज्‍याके अपनासबके खातिर निस्‍तार पाबैनके भोज तैयार कर।” 9तब उसब येसुके कहल्‍कै, “हमसब यि भोजके तैयारी कते करब?” 10तब येसु फेनो ओइसबके कहल्‍कै, “सहर ढुइकते मातर तोरासबके एकटा लोक घैलामे पानी बोक्‍ने जाइत भेटतौ। उ जै घरमे ढुकतौ तते तक ओकर पछा-पछा जाइहे, 11आ ओइ घरके मालिकके कैहिये, ‘हमरासबके गुरु जी अहाँके पुछैये, हमरा आपन चेलासबसङे निस्‍तार पाबैनके भोज खाइबला मेजवानके घर कते छै?’ 12तब उ तोरासबके उपरका तलामे बरका सजाल कोठली देखाइतौ, ओहेमे भोज तैयार करिहे।” 13उसब गेलै तब सबचिज येसुके कहल जखा भेलै आ उसब निस्‍तार पाबैनके तैयारी करल्‍कै।
14जब भोज खाइबला समय भेलै तब येसु आपन बारहो परेरितसबसङे खाइले बैठलै। 15येसु ओकरासबके कहल्‍कै, “हम दुख भोगैसे पैहनैये निस्‍तार पाबैनके भोज तोरेसबकेसङे खाइके हम बहुत बरका इक्‍छा करनेछेलियै, 16कथिलेत हम तोरौरके कहैचियौ, परमेस्‍वरके राजमे यि भोजके अरथ पुरा नै हेतै ताबे तक हम फेनो यि भोज नै खेबौ।” 17तकरबाद येसु बाटी लेल्‍कै आ परमेस्‍वरके धन्‍यबाद चरहाके कहल्‍कै, “यि ले आ तोरौरके सबकोइ आपनमे बाइटके पि। 18कथिलेत हम तोरौरके कहैचियौ, परमेस्‍वरके राज नै आबैतक हम फेनो अङगुरके मध नै पिबौ।” 19तकरबाद येसु रोटी लेल्‍कै आ परमेस्‍वरके धन्‍यबाद चरहेल्‍कै तब रोटी तोइरके ओइसबके देल्‍कै आ कहल्‍कै, “तोरासबके खातिर देल यि हमर देह चियौ। आबसे हमर यादमे तोरौरके ऐहनङे करैतरह।” 20ऐहनङे ख्‍यालेलाके बाद उ बाटी लेल्‍कै आ कहल्‍कै, “यि बाटी तोरौरके खातिर हमर लहुसे बान्‍हल लबका करार चियौ। यि लहु तोरेऔरके खातिर बह्‍याल गेल छौ। 21महज देख, हमरा पकरा दैबला लोक हमरेसङे खाइले बैठलछै। 22कथिलेत परमेस्‍वरके इक्‍छामे मानब पुतरके त मरैए परतै, महज धिक्‍कार ओइ लोकके, जे कोइ मानब पुतरके धोखा देतै।” 23“अपनासबके बिचमे एहेन के हेतै?” कैहके उसब आपनमे बहस करे लाग्‍लै।
चेलासबमे बताबती
(मती २०:२५-२८, १९:२८, मरकुस १०:४२-४५)
24तब चेलासबमे सबसे बरका के हेब्‍ही कैहके ओइसबके बिचमे बताबती हेबे लाग्‍लै। 25येसु ओइसबके कहल्‍कै, “दुनिया भैरके रजासब आपन लोकसबके उपर राज करैछै आ ओइसबके उपर अधिकार चलाइबलासब आपनके उपकारी कहाइछै। 26महज तोरासबमे एहेन नै हेबे। तोरासबमेसे जे सबसे बरका छौ, से कोइ सबसे छोट बने आ जे कोइ अगुवाइपनि करैछै, सेकोइ नोकर नहाइत सेबा करे। 27आब हमरा कह बरका के चियै? खाइले बैठल मालिक कि खाइले दैबला नोकर? कि खाइले बैठल मालिक नै चियै? महज हम त तोरौरके बिचमे एकटा नोकर नहाइत चियौ। 28तुसब त हमरा सबदुखमे साथ देने चिही। 29जनङ हमर पिता हमरा राज करैले अधिकार देल्‍कै, तैहनङे हम्‍हु तोरौरके देबौ। 30तब तुसब हमर राजमे हमरे सङे-सङे खेबही, पिब्‍ही आ इजराएलके बारहो कुलके नियाइ करैले राज गद्‍दीमे बैठबिही।”
पतरुसके इन्‍कारके भबिसबानी
(मती २६:३१-३५, मरकुस १४:२७-३१, युहन्‍ना १३:३६-३८)
31 तब येसु कहल्‍कै, “सिमोन, ए सिमोन देख! सैतान तोरासबके गहुमे जखा फटकैले आग्‍या माङनेछौ, 32महज तोहर बिस्‍बास नै डगमगावे कैहके हम तोहर लेल परथना करनेचियौ आ फेनो तु हमर दिसन घुइमके एलाकेबाद तोहर भाइसबके अस्‍थिर करा।” 33पतरुस कहल्‍कै, “परभु, हम अहाँसङे जहलमे जाइले आ मरैले तयार चियै।” 34महज येसु ओकरा कहल्‍कै, “पतरुस, साँचोके हम तोरा कहैचियौ, आइ रातके मुरगा डाँकैसे पहिने तु हमरा नै चिन्‍हैचियौ कैहके तिन बेर इन्‍कार करबिही।”
आबैबला परिक्‍छाके लेल तैयारी
35येसु चेलासबके कहल्‍कै, “जब हम तोरौरके झोरा, जुता आ पैसे बेगर पठाइने छेलियौ, कि तोरौरके कोनो चिजके अभाब भेलौ?” उसब कहल्‍कै, “नै भेलै।”
36तब येसु कहल्‍कै, “महज आबसे जकरसङे झोरा छौ, उ झोरा बोके, पैसा हैबला पैसा बोके आ जकरसङे तलबार नै छौ, उ आपन कुरता बेचके तलबार किने! 37हम तोरासबके कहैचियौ, ‘उ अपराधीसबसङे गनल गेलै’#यसैया ५३:१२ यि पबितर धरमसास्‍तरमे लिखलाहा बातसब हमरमे पुरा हेबैये परतै। कथिलेत हमर बारेमे लिखल बातसब पुरा भ्‍यारहलछै।” 38तब चेलासब कहल्‍कै, “हे परभु, देखु, अते दुइटा तलबार छै।” उ जबाफ देल्‍कै, “ओतबेसे से पुइग जेतौ।”
जैतुन पहारमे येसुके परथना
(मती २६:३६-४६, मरकुस १४:३२-४२)
39तकरबाद येसु सबदिन जखा बाहर निकैलके जैतुन पहारमे गेलै आ चेलोसब ओकर पछा-पछा गेलै। 40ओते पुग्‍लाकेबाद येसु आपन चेलासबके कहल्‍कै, “जाँचमे नै परैके लेल तुसब परथना करैतरह।” 41तब येसु ओइसबसे कन्‍हिक दुर गेलै आ ठेङहुनिया द्‍याके परथना करे लाग्‍लै, 42“हे हमर पिता, अहाँ इक्‍छा करैचियै त, यि दुखके बाटी हमर लगसे हटा दिय। हमर इक्‍छा नै, महज अहैके इक्‍छा पुरा हेबे।” 43तब स्‍वरगसे एकटा स्‍वरगदुत ओकरा सहयोग करैले ओकरलग देखाब देल्‍कै। 44ओकर हिरदय एकदम दुखसे भरल छेलै, तब उ धियानसे परथना करे लाग्‍लै, तै बखत ओकर पसिना लहुके बरका-बरका ठोप जखा भुइयामे चुबै छेलै। 45येसु परथनासे उठके चेलासब बैठलहा जगहमे गेलै ओते उसब चिन्‍ता फिकिरसे थाइकके सुतल छेलै। 46तब येसु चेलासबके कहल्‍कै, “तुसब कथिले सुइतरहलची? उठ आ जाँचमे नै परै खातिर परथना कर।”
येसु पकरल गेलै
(मती २६:४७-५६, मरकुस १४:४३-५०, युहन्‍ना १८:३-११)
47येसु बोल्‍तै खिना, लोकसबके एकटा बरका भिर ओतै चैलएलै। ओकर बारह चेलामेसे एक गोरे यहुदा कहाइबला ओइसबके अगा-अगा चैलके येसुके चुम्‍मा लैले उ ओकर लगमे एलै। 48महज येसु ओकरा कहल्‍कै, “यहुदा, कि तु मानब पुतरके चुम्‍मा ल्‍याके धोखा देबही?” 49तब चेलासब येसुके अगल बगल भेल्‍हासबके कथी हेतै से देखके उसब कहल्‍कै, “परभु, कि आब हमसब तलबार चलाबियै?” 50तहै बखत चेलासबमेसे एक गोरे निकल्‍लै आ तरबारसे मुल पुजारीके नोकरके देहना कान काइटदेल्‍कै। 51महज येसु कहल्‍कै, “भेलै, आब अकरा छोइरदहै!” तब येसु ओइ लोकके कान छुबल्‍कै आ निक कैरदेल्‍कै।
52महज ओकर बिरोधमे एल्‍हा मुल पुजारीसब, मन्‍दिरके चौकिदारसब आ अगुवासबके येसु कहल्‍कै, “कि हम डाकु चियै, जे तुसब हमरा पकरैले लाठी आ तलबार ल्‍याके एलचिही? 53हम सबदिन मन्‍दिरमे तोरेऔरकेसङे छेलियौ। महज हमरा पकरैले तोरौरके साहस नै करलिही। आब तोरौरके काम करैबला समय उहे चियौ आ सैतानके सक्‍ती ऐहनङे राज करतौ।”
पतरुस करल्‍कै येसुके इन्‍कार
(मती २६:५७-५८,६९-७५, मरकुस १४:५३-५४,६६-७२, युहन्‍ना १८:१२-१८,२५-२७)
54तब उसब येसुके पकरल्‍कै आ पकैरके ओकरा मुल पुजारीके घरमे आनल्‍कै। महज पतरुस दुरेसे ओकर पछा लागल गेलै। 55लोकसब अङनाके बिचमे घुर पजाइरके तापैछेलै। उसब जम्‍मा भ्‍याके बैठल रहै। पतरुसो ओहै ठाम आइबके ओइसबसङे बैठलै। 56एकटा नोकरनी आइगके इजोतमे पतरुसके बैठल देखके गौरसे ताकल्‍कै आ कहल्‍कै, “योहो लोक येसुसङे छेलौ।” 57महज पतरुस एहेन कैहके इन्‍कार करल्‍कै, “नै गे, हम ओकरा नै चिन्‍हैचियै!”
58कुछ देरके बाद दोसरकोइ पतरुसके देखके कहल्‍कै, “तुहु ओहैसबके सङी चिही।” महज पतरुस ओकरा जबाब देल्‍कै, “धु मरदे, हम नै चियै हौ।”
59पाछे लगभग एक घन्‍टा बितलाके बाद फेनो तेसर गोरा ओकरा देखके कहल्‍कै, “साँचोके यि लोक ओकरेसङे रहै, कथिलेत योहो लोक गालिली चियै।” 60महज पतरुस कहल्‍कै, “धु मरदे, तोहे कथी कहैचहक, हम नै जानैचियै!” तहै बखत पतरुस बोलतैखिना मुरगा डाँक देल्‍कै। 61तब येसु घुइमके पतरुस दिसन ताकल्‍कै। “आइ मुरगा डाँकैसे पहिने तु हमरा तिन बेर इन्‍कार करबिही” परभुके कहलाहा बचन पतरुसके मनमे याद एलै। 62तब पतरुस बाहर निकैलके हेकैच-हेकैचके काने लाग्‍लै।
येसुके अपमान
(मती २६:५९-६८, मरकुस १४:५५-६५, युहन्‍ना १८:१९-२४)
63तब येसुके पकरैबला लोकसब ओकरा अपमान करल्‍कै आ मार-पिट करल्‍कै। 64तब येसुके आँखमे पट्‍टी बाइन्‍ह देल्‍कै आ पुछल्‍कै, “तोरा पिटैबला के चियौ? ले, अगमबानी कर त।” 65उसब येसुके बिरोधमे बहौतरा गाइर परहैत बेजत करैबला बातसब कहल्‍कै।
66तब बिहान भेलाके बाद अगुवासब, मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसब जमा भेलै आ येसुके आपन महासभामे लगेलै। 67आ कहल्‍कै, “तु मुक्‍ती दैबला खिरिस्‍ट चिही त, से बात हमरासबके कह।” तब येसु ओइसबके कहल्‍कै, “हम कहबौ त तोरौरके बिस्‍बास नै करबिही। 68आ हम सबाल करबौ त तुसब जबाफ देबे नै सकबिही। 69महज आब मानबके बेटा महान परमेस्‍वरके देहना हाथ कता बैठतै।” 70तब उसब येसुके पुछल्‍कै, “कि, तुही परमेस्‍वरके बेटा चिही?” येसु ओइसबके जबाफ देल्‍कै, “से बात त तुहेसब कहैचिही, हम ओहे चियौ।” 71उसब कहल्‍कै, “आब अकर बिरोधमे हमरासबके औरो कोनो परमान नै चाही, कथिलेत अपनासब अकरे मुहसे सुइनलेलियै।”

S'ha seleccionat:

लुका 22: MTH

Subratllat

Comparteix

Copia

None

Vols que els teus subratllats es desin a tots els teus dispositius? Registra't o inicia sessió