लूका 16

16
चतुर मुन्सी
1येशू आपन चेलासिके आरहौ एकटा खिसा कहैल्कै, “कोनो मातबर आदमीके एकटा मुन्सी रहै। ऊ मुन्सी आपन मालिकके धन-दौलत उडाबैछै कहिके आदमीसब ओकर मालिकके सुनैल्कै। 2तब मालिक मुन्सीके बोल्याके पुछल्कै, ‘तोर विषयमे हमे जे सुनैछियौ, ऊ कि छै? तुहें हमर धनसे कि कैल्हैं ओकर हिसाब-किताब हमरा दे। आबसे तुहें मुन्सी नैरहभैं।’ 3तब मुन्सी आपन मन्है मनमे सोचल्कै, ‘आब हमे कि करियै, कहिनेकी हमर मालिक हमरसे मुन्सीके काम छिनैछै। खेत जोतैके या शारीरिक मेहनत करैके तागत हमरलगत नैछै आर भीख माँगैले हमरा लाज लागैछै। 4आब हमरा कि करे पड्तै हमरा पता छै, ताकी मुन्सीके कामसे हट्ल पर भी आदमीसब हमरा ओकरसिके घरमे बोल्याके हमर सहायता करै।’ 5तब मुन्सी मालिकके कर्जदारसिके एक-एक करिके बोलैल्कै। ऊ ओकरासिमेसे पहेला कर्जदारके पुछल्कै, ‘हमर मालिकके कर्जा तोरा कतनें छौ?’ 6ऊ जबाब देल्कै, ‘तीन हजार सात स लिटर तेल।’ तब मुन्सी ओकरा कहैल्कै, ‘तोर बही-खाता आन आर जल्दी बैठिके नया बही-खातामे खाली अठार स पचास लिटर तेल लिख।’ 7तकरबाद मुन्सी दोसर कर्जदारके पुछल्कै, ‘तोर कर्जा कतनें छौ?’ ऊ जबाब देल्कै, ‘दी स कुन्टल गहुम।’ मुन्सी ओकरा कहैल्कै, ‘तोर बही-खाता आन आर नया बही-खातामे खाली एक स अस्सी कुन्टल गहुम लिख।’
8तब ओकर मालिक ऊ अधर्मी मुन्सीके चलाकीसे कैल कामके तारिफ कैल्कै। अहिने करिके यी संसारके आदमीसब अपने पुस्ताके दोसर आदमीसिसे व्यवहार करै बखत धर्मी आदमीसे आरहौ बेसी चलाक हैछै। 9हमे तोरासिके कहैछियौ, आपन लिए संसारके धनसे आदमीसिके सहायता करिके दोस्तसब बना। आर तोर मर्लके बाद जब ऊ धन अलप हैतौ, तब तोरासिके कहियो खतम नैहुएवाला घरमे स्वागत कैल जैतौ।
छोटका बातमे इमान्दार होना चाही
(मत्ती ६:१४)
10जे छोटका बातमे इमान्दार हैछै, ऊ बडका बातमे भी इमान्दार हैछै, आर जे छोटका बातमे बैमान हैछै, ऊ बडका बातमे भी बैमान हैछै। 11सेल्याके तुहेंसब संसारिक धन सम्हारैके लिए इमान्दार नैभेल्हैं ते, जरुर ही तुहेंसब स्वर्गके धन सम्हारैके लिए इमान्दार नैहैभैं। 12अगर तुहेंसब दोसरके धन सम्हारैके लिए इमान्दार नैभेल्हैं ते, जरुर ही तोरासिके अपने आपसे व्यवस्थापन करैके लिए कोय भी आपन धन नैदेतौ।
13कोय भी नोकर एक्केटा समयमे दीटा मालिकके सेवा करैले नैसक्तै। कहिनेकी ऊ एकटाके घृणा कर्तै आर दोसरके प्रेम कर्तै। या ते ऊ एकटापर भक्ति राख्तै आर दोसरके तुच्छ सम्झतै। तुहेंसब परमेश्वर आर धनके एक्के समयमे सेवा करे नैसक्भैं।”
येशूके कहेल आरहौ बातसब
(मत्ती ११:१२-१३; ५:१८,३२)
14धनके लोभी फरिसी समूहके आदमीसब यीसब बात सुनिके ओकर मजाक उडाबे लाग्लै। 15तब येशू ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब अपने आपके आदमीसिके समनामे सही देखाबैछैं, मगर परमेश्वर तोरसिके हृदय जानैछै। आदमीसिके द्वारा सम्मानजनक मान्ल कोय भी चीज परमेश्वरके समनामे खराब छै।
16बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके समयतक, मूसाके विधि-विधान आर परमेश्वरके वक्तासिके प्रचार तोरसिके लिए मार्ग दर्शक रहै। मगर आब परमेश्वरके राज्यके खुश-खबरीके प्रचार कैल जैछै, आर सभेकोय परमेश्वरके राज्यमे पुरा बलके साथ प्रवेश करैके कोशिश करैछै। 17जबतक आकाश आर धर्ती छै, परमेश्वरके विधि-विधानके सभे कुछु, एत्तेतक कि सभैसे छोटका बात भी तबतक प्रभावमे रहतै जबतक एकर सभे भविष्यवाणी पुरा हैतै।
18उदाहरणके लिए, जे आदमी आपन पतनीके छुटापत्र द्याके दोसर जनानीसे बिहा करैछै, ऊ आदमी व्यबिचार करैछै, आर आपन पतिसे छुटापत्र देल जनानीसे बिहा करेवाला आदमी भी व्यबिचार करैछै।”
मातबर आदमी आर गरिब लाजरस
19येशू फेर एकटा खिसा कहैल्कै, “एकटा मातबर आदमी रहै, जे बहुमूल्य मलमलके कपडा लग्याके सभे दिन सबसे उत्तम भोजनसे भोज कर्ते ऐशो-आराममे दिन बिताबै। 20आर एकटा लाजरस नामके गरिब आदमी जे घावे-घासे भर्ल रहै, आर आदमीसब ओकरा मातबर आदमीके केबाडी लगत आनिके बैठ्या दै। 21उटा मातबर आदमीके खैलके बाद फेक्ल टुकरा-टुकरी खैके लाजरस आपन पेट भरैके इच्छा करै। कुत्तोसब भी आबिके ओकर घासब चाटै। 22ऊ गरिब लाजरस मर्लै आर स्वर्गदूतसब ओकरा लज्याके पुर्खा अब्राहमके संगमे रहैके लिए राखल्कै। ऊ मातबर आदमी भी मर्लै आर गाड्ल गेलै। 23नरकमे कठोर दुःख कष्ट भोगैबेरियाँ ऊ मातबर आदमी नजर उठ्याके उप्पर महर देखल्कै, आर दूरमे अब्राहमके संगमे लाजरसके देखल्कै। 24ऊ ओकरा जोरसे कहैल्कै, ‘बाबु अब्राहम, हमरपर दया करिके लाजरसके भेजी दह आर ऊ आपन आङगुर पानीमे डुब्याके हमर जिभाके ठण्डा करि देतै, कहिनेकी हमे यी ज्वालामे भयानक कष्ट पाबैछियै।’ 25मगर अब्राहम कहैल्कै, ‘बेटा याद कर, तुहें आपन जीवनकालमे बढियाँ-बढियाँ चीजके भोगी चुक्लहैं, मगर लाजरसके सभे खराब चीज मिल्लै। आब ऊ आराममे छै, आर तुहें कष्टमे छैं। 26यी सभे चीजके सिवाय हमरसिके आर तोरसिके बीचमे बडका खधा छै। सेल्याके चाहीके भी कोय भी यी पार-उपार आबे-ज्या नैसकैछै।’ 27ऊ मातबर आदमी कहैल्कै, ‘हे पिता, अब्राहम, इहे कारणसे हमे तोरा बिन्ती करैछिहौं तुहें लाजरसके हमर बाबुके घरमे भेजी दह। 28लाजरस जैके हमर पाँचटा भ्यासिके एत्ते भेल सभे बात सुन्याके चेतावनी दै आर ऊसब यी नरकमे नैआबै।’ 29मगर अब्राहम कहैल्कै, ‘ओकरसिके साथमे मूसाके विधि-विधान आर परमेश्वरके वक्तासिके लेख छै। ओकरासिके उटा सुन्ना चाही आर ओकरा पालन करना चाही।’ 30मगर ऊ मातबर आदमी कहैल्कै, ‘नै, पिता अब्राहम, मर्लमेसे एकझन ओकरसिकते जैतै आर ओकरासिके चेतावनी देतै ते ऊसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगैतै।’ 31अब्राहम ओकरा कहैल्कै, ‘मूसाके विधि-विधान आर परमेश्वरके वक्तासिके लेखमे भेल आज्ञासब ऊसब नैमानैछै ते, मुर्दासे कोय जिन्दा भ्याके जैबो कर्तै ते भी ऊसब विश्वास नैकर्तै।’ ”

Tällä hetkellä valittuna:

लूका 16: KYVNT

Korostus

Jaa

Kopioi

None

Haluatko, että korostuksesi tallennetaan kaikille laitteillesi? Rekisteröidy tai kirjaudu sisään