तखन यीशु रोटी लेलनि, और परमेश्वर केँ धन्यवाद दऽ कऽ बैसलाहा लोक सभ मे बटबा देलथिन। तहिना माछो लऽ कऽ कयलनि, और सभ केँ ततेक भेटलैक जतेक-जतेक ओ सभ चाहैत छल। सभ लोक केँ भरि इच्छा भोजन कऽ लेलाक बाद यीशु शिष्य सभ केँ कहलथिन, “आब उबरल टुकड़ा सभ बिछि लिअ, जाहि सँ किछुओ बरबाद नहि होअय।”