1
यूहन्ना 14:27
jivən səndesh
“शान्ति हम अहाँ सभ केँ दऽ जाइत छी। अपन शान्ति हम अहाँ सभ केँ दैत छी। जेना संसार दैत अछि, तेना हम नहि दैत छी। अहाँ सभ अपना मोन मे नहि घबड़ाउ, आ ने भयभीत होउ।
Mampitaha
Mikaroka यूहन्ना 14:27
2
यूहन्ना 14:6
यीशु बजलाह, “रस्ता हमहीं छी, हँ, और सत्य और जीवन सेहो छी। हमरा बिनु केओ पिता लग नहि अबैत अछि।
Mikaroka यूहन्ना 14:6
3
यूहन्ना 14:1
“अहाँ सभ अपना मोन मे घबड़ाउ नहि। परमेश्वर पर विश्वास करैत रहू और हमरो पर विश्वास करैत रहू।
Mikaroka यूहन्ना 14:1
4
यूहन्ना 14:26
मुदा ओ सहायक, अर्थात् पवित्र आत्मा, जिनका पिता हमरा नाम सँ पठौताह, से अहाँ सभ केँ सभ बात सिखा देताह, और हम जे किछु अहाँ सभ केँ कहने छी, से सभ बात अहाँ सभ केँ मोन पाड़ि देताह।
Mikaroka यूहन्ना 14:26
5
यूहन्ना 14:21
जे हमर आज्ञा स्वीकार करैत अछि और मानैत अछि, सैह हमरा सँ प्रेम करैत अछि। और जे हमरा सँ प्रेम करैत अछि, तकरा सँ हमर पिता प्रेम करथिन, और हमहूँ ओकरा सँ प्रेम करब तथा ओकरा हम अपना केँ देखायब।”
Mikaroka यूहन्ना 14:21
6
यूहन्ना 14:16-17
हम पिता सँ विनती करबनि, और ओ अहाँ सभक संग अनन्त काल तक रहबाक लेल एक आओर सहायक देताह, अर्थात् सत्यक आत्मा। हुनका संसार ग्रहण नहि कऽ सकैत छनि, किएक तँ ओ हुनका ने देखैत छनि आ ने चिन्हैत छनि। मुदा अहाँ सभ हुनका चिन्हैत छिऐन, कारण ओ अहाँ सभ लग रहैत छथि और अहाँ मे वास करताह।
Mikaroka यूहन्ना 14:16-17
7
यूहन्ना 14:13-14
और अहाँ सभ हमरा नाम सँ जे किछु माँगब, से हम पूरा करब, जाहि सँ पुत्र द्वारा परमेश्वरक महिमा प्रगट होयत। जँ हमरा नाम सँ अहाँ सभ हमरा सँ किछुओ माँगब तँ तकरा हम पूरा करब।
Mikaroka यूहन्ना 14:13-14
8
यूहन्ना 14:15
“जँ हमरा सँ प्रेम करैत छी तँ हमर आज्ञाक पालन करब।
Mikaroka यूहन्ना 14:15
9
यूहन्ना 14:2
हमरा पिताक घर मे बहुते रहऽ वला जगह अछि, और हम अहाँ सभक लेल जगह तैयार करऽ जा रहल छी। ई बात जँ नहि रहैत तँ हम अहाँ सभ केँ कहि दितहुँ।
Mikaroka यूहन्ना 14:2
10
यूहन्ना 14:3
और जँ हम अहाँ सभक लेल जगह तैयार करऽ जा रहल छी, तँ हम फेर आयब, और अहाँ सभ केँ हम अपना लग लऽ जायब, जाहि सँ हम जतऽ छी, ततऽ अहूँ सभ रही। जाहिठाम हम जा रहल छी
Mikaroka यूहन्ना 14:3
11
यूहन्ना 14:5
थोमा हुनका कहलथिन, “प्रभु, अहाँ कतऽ जा रहल छी, सेहो हम सभ नहि जनैत छी। तँ रस्ता कोना जानब?”
Mikaroka यूहन्ना 14:5
Fidirana
Baiboly
Planina
Horonan-tsary