1
यूहन्ना 10:10
jivən səndesh
चोर खाली चोरी करबाक, जान मारबाक, और नष्ट करबाक उद्देश्य सँ अबैत अछि। मुदा हम एहि लेल आयल छी जे मनुष्य जीवन प्राप्त करय और परिपूर्णता सँ प्राप्त करय।
Харьцуулах
यूहन्ना 10:10 г судлах
2
यूहन्ना 10:11
“नीक चरबाह हम छी। नीक चरबाह भेँड़ाक लेल अपन प्राण दैत अछि।
यूहन्ना 10:11 г судлах
3
यूहन्ना 10:27
हमर भेँड़ा हमर आवाज सुनैत अछि। हम ओकरा सभ केँ चिन्हैत छी और ओ सभ हमरा पाछाँ लागि जाइत अछि।
यूहन्ना 10:27 г судлах
4
यूहन्ना 10:28
हम ओकरा सभ केँ अनन्त जीवन दैत छी और ओ सभ कहियो नाश नहि होयत। हमरा हाथ सँ केओ ओकरा सभ केँ नहि छिनि लेत।
यूहन्ना 10:28 г судлах
5
यूहन्ना 10:9
द्वारि हम छी। हमरा बाटे जे प्रवेश करत से सुरक्षित राखल जायत। ओ भीतर-बाहर अबैत-जाइत रहत और चारा पाओत।
यूहन्ना 10:9 г судлах
6
यूहन्ना 10:14
“नीक चरबाह हम छी। जहिना पिता हमरा चिन्हैत छथि और हम पिता केँ चिन्हैत छियनि
यूहन्ना 10:14 г судлах
7
यूहन्ना 10:29-30
हमर पिता, जे ओकरा सभ केँ हमरा देने छथि, से आरो सभ सँ शक्तिशाली छथि, तेँ हमरा पिताक हाथ सँ ओकरा सभ केँ केओ नहि छिनि सकैत अछि। हम और पिता एक छी।”
यूहन्ना 10:29-30 г судлах
8
यूहन्ना 10:15
तहिना हम अपना भेँड़ा सभ केँ चिन्हैत छी और ओ सभ हमरा चिन्हैत अछि। और भेँड़ा सभक लेल हम अपन प्राण दैत छी।
यूहन्ना 10:15 г судлах
9
यूहन्ना 10:18
केओ हमर प्राण केँ हमरा सँ नहि छिनि लैत अछि, बल्कि हम अपना इच्छा सँ दऽ रहल छी। हमरा अपन जान देबाक अधिकार अछि और ओकरा फेर लऽ लेबाक अधिकार सेहो अछि। ई आज्ञा हम अपना पिता सँ प्राप्त कयने छी।”
यूहन्ना 10:18 г судлах
10
यूहन्ना 10:7
तेँ ओ हुनका सभ केँ फेर कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्ये कहैत छी जे, भेँड़ा सभक लेल हमहीं द्वारि छी।
यूहन्ना 10:7 г судлах
11
यूहन्ना 10:12
जऽन-बोनिहार, जे ने चरबाह अछि आ ने भेँड़ाक मालिक अछि से चितुआ केँ अबैत देखि कऽ भेँड़ा सभ केँ छोड़ि कऽ भागि जाइत अछि। तखन चितुआ भेँड़ा केँ पकड़ऽ लगैत छैक और ओकरा सभ केँ छिड़िया दैत छैक।
यूहन्ना 10:12 г судлах
12
यूहन्ना 10:1
“हम अहाँ सभ केँ विश्वास दिअबैत छी जे, जे द्वारि बाटे भेँड़शाला मे प्रवेश नहि करैत अछि, बल्कि देवाल पर चढ़ि कऽ कोनो दोसर बाटे प्रवेश करैत अछि, से चोर और डाकू होइत अछि।
यूहन्ना 10:1 г судлах
Нүүр хуудас
Библи
Тѳлѳвлѳгѳѳ
Видео