1
यूहन्ना 12:26
jivən səndesh
जे हमर सेवा करत, से हमरा पाछाँ आबय। और हम जतऽ होयब, ततऽ हमर सेवक सेहो होयत। जे केओ हमर सेवा करत, तकरा हमर पिता आदर करथिन।
Харьцуулах
यूहन्ना 12:26 г судлах
2
यूहन्ना 12:25
जे अपना जीवन केँ प्रिय बुझैत अछि, से ओकरा गमबैत अछि, और जे एहि संसार मे अपना जीवन केँ तुच्छ बुझैत अछि, से ओकरा अनन्त जीवनक लेल सुरक्षित रखैत अछि।
यूहन्ना 12:25 г судлах
3
यूहन्ना 12:24
हम अहाँ सभ केँ सत्ये कहैत छी जे, जाबत धरि गहुमक दाना जमीन मे खसि कऽ मरि नहि जाइत अछि, ताबत धरि ओ असगर रहैत अछि। मुदा जँ मरि जायत, तँ आओर बहुत दाना केँ उत्पादन करत।
यूहन्ना 12:24 г судлах
4
यूहन्ना 12:46
हम इजोत भऽ कऽ संसार मे आयल छी जाहि सँ जे केओ हमरा पर विश्वास करत से अन्हार मे नहि रहय।
यूहन्ना 12:46 г судлах
5
यूहन्ना 12:47
“हमर वचन जँ केओ सुनैत अछि, लेकिन मानैत नहि अछि, तँ हम ओकर न्याय नहि करैत छी, कारण हम संसारक न्याय करबाक लेल नहि अयलहुँ, बल्कि ओकरा बचयबाक लेल।
यूहन्ना 12:47 г судлах
6
यूहन्ना 12:3
तखन मरियम विशुद्ध जटामासीक लगभग आधा सेर बहुत दामी सुगन्धित तेल लऽ यीशुक पयर पर ढारि देलनि और हुनकर पयर अपना केश सँ पोछि देलथिन। ओहि तेलक सुगन्ध सँ सौंसे घर गमकि उठल।
यूहन्ना 12:3 г судлах
7
यूहन्ना 12:13
ओ सभ खजूरक छज्जा लऽ कऽ हुनका सँ भेँट करबाक लेल शहर सँ बहरायल। ओ सभ हुनकर जयजयकार करैत छल, “जय जय! धन्य छथि ओ जे प्रभुक नाम सँ अबैत छथि! धन्य छथि इस्राएलक राजा!”
यूहन्ना 12:13 г судлах
8
यूहन्ना 12:23
यीशु बजलाह, “मनुष्य-पुत्रक महिमा प्रगट होयबाक घड़ी आबि गेल अछि।
यूहन्ना 12:23 г судлах
Нүүр хуудас
Библи
Тѳлѳвлѳгѳѳ
Видео