1
यूहन्ना 13:34-35
jivən səndesh
एक नव आज्ञा हम अहाँ सभ केँ दैत छी—एक-दोसर सँ प्रेम करू। जेना हम अहाँ सभ सँ प्रेम कयने छी तेना अहूँ सभ एक-दोसर सँ प्रेम करू। एहि सँ सभ लोक जानत जे अहाँ सभ हमर शिष्य छी, अर्थात् अहाँ सभ जँ एक-दोसर सँ प्रेम करब, ताहि सँ।”
ႏွိုင္းယွဥ္
यूहन्ना 13:34-35ရွာေဖြေလ့လာလိုက္ပါ။
2
यूहन्ना 13:14-15
तँ जँ हम अहाँ सभक प्रभु और गुरु भऽ कऽ अहाँ सभक पयर धोने छी, तँ अहूँ सभ केँ एक-दोसराक पयर धोबाक चाही। हम अहाँ सभ केँ एक नमूना देखा देलहुँ जाहि सँ जहिना हम अहाँ सभक संग कयलहुँ तहिना अहूँ सभ करू।
यूहन्ना 13:14-15ရွာေဖြေလ့လာလိုက္ပါ။
3
यूहन्ना 13:7
यीशु बजलाह, “हम की कऽ रहल छी, से अहाँ एखन नहि जनैत छी, मुदा बाद मे अहाँ बुझि जायब।”
यूहन्ना 13:7ရွာေဖြေလ့လာလိုက္ပါ။
4
यूहन्ना 13:16
हम अहाँ सभ केँ विश्वास दिअबैत छी जे, दास अपना मालिक सँ पैघ नहि होइत अछि, और ने पठाओल गेल दूत अपना पठाबऽ वला सँ।
यूहन्ना 13:16ရွာေဖြေလ့လာလိုက္ပါ။
5
यूहन्ना 13:17
ई सभ बात जानि कऽ, जँ एकरा अनुसार चलब तँ धन्य होयब।
यूहन्ना 13:17ရွာေဖြေလ့လာလိုက္ပါ။
6
यूहन्ना 13:4-5
तेँ ओ भोजन सँ उठलाह, और अपन उपरका कपड़ा उतारि कऽ अपना डाँड़ मे गमछा लपेटि लेलनि। तखन एक कठौत मे पानि ढारि कऽ ओ शिष्य सभक पयर धोबऽ और डाँड़ मे बान्हल गमछा लऽ कऽ पोछऽ लगलथिन।
यूहन्ना 13:4-5ရွာေဖြေလ့လာလိုက္ပါ။
ပင္မစာမ်က္ႏွာ
သမၼာက်မ္းစာ
အစီအစဥ္မ်ား
ဗီဒီယိုမ်ား