मती 8

8
येसु कोढि-कुस्‍टीके सुध करल्‍कै
(मरकुस १:४०-४५, लुका ५:१२-१६)
1जब येसु पहारसे निचा एलै तब लोकसबके बरका भिर ओकर पछा लाग्‍लै। 2तखुन्‍ते एकटा कोढि-कुस्‍टी लागल लोक ओकरलग एलै आ ठेङहुनिया दैत कहल्‍कै, “हे परभु, अहाँ चाहबै त हमरा सुध कैरसकैचियै।” 3तब येसु आपन हाथ अगा बरहाके छुबल्‍कै आ कहल्‍कै, “हम चाहैचियौ, तु सुध भ्‍याजो।” उ तखुन्‍ते कोढि-कुस्‍टीसे सुध भेलै। 4तब येसु ओकरा कहल्‍कै, “यि बात ककरो नै कहिहे! महज पुजारी लग ज्‍याके आपने आपके देखा आ मोसाके बेबस्‍था अनुसार लोकसबके निक भेल परमान देखाइके लेल भेटी चरहा।”#८:४ पहिनेके यहुदी समाजमे यदी ककरो कोढि-कुस्‍टी लागल रहैछेलै त, उ लोक औरो लोकसबसङे रहैले नै पाबैछेलै। उ लोकके गामसे बाहर रहैले लगाइछेलै। ओकरा पुजारी मातरे असल करैले सकैछेलै आ असल भेलै कहेसकैछेलै। महज समाजसङे आबैसे पहिने आ ओइसबसङे रहैसे पहिने उ लोक मोसाके बेबस्‍था बमौजी बलिदान चरहाबैके परैछेलै। (लेबी १४:२-३२)#लेबी १४:१-३२
रोमी कप्‍तानके बिस्‍बास
(लुका ७:१-१०)
5जब येसु कफरनहुम सहरमे ढुक्‍लै तब एकटा रोमी कप्‍तान ओकरलग एलै आ बिन्‍ती करैत कहल्‍कै, 6“हे परभु, हमर नोकरके लकबा मारलाके कारन बिछौनामे परलछै आ बहुत दुख काइट रहल छै।” 7येसु ओकरा कहल्‍कै, “हम आइबके ओकरा निक करबौ।” 8महज कप्‍तान कहल्‍कै, “हे परभु, हम अहाँके आपन घरमे स्‍वागत करैके हैसियतके नै चियै। महज अहाँ अतैसे आग्‍या मातरे करबै त, हमर नोकर निक भ्‍याजेतै। 9कथिलेत हम्‍हु बरका हाकिमसबके अधिनमे बैठल लोक चियै, या हमरो अधिनमे सिपाहीसब छै। हम एकटाके ‘जो’ कहैचियै त, उ जाइछै, दोसरके ‘या’ कहैचियै त, उ आबैछै। तहिनङे हम आपन नोकरके ‘यि कर’ कहैचियै त, उ ओहिनङे करैछै।”
10 जब येसु यि बातसब सुनल्‍कै तब आस्‍चरजमे परलै आ आपन पछा लागैबला लोकसबके कहल्‍कै, “साँचोके, हम तोरासबके कहैचियौ, एहेन बिस्‍बास करैबला लोक त हम इजराएली लोकसबमे नै भेटेलियै। 11हम तोरासबके कहैचियौ, बहुतो लोकसब पुरब आ पछिमसे एतौ आ अबराहम, इसहाक आ याकुबसङे स्‍वरगके राजमे भोजन खाइले बैठतै।#लुका १३:२९ 12महज स्‍वरगके राजमे हैबला इजराएलीसब बाहर अन्‍हारमे फेकल जेतै, जते लोकसब कानैछै आ दात किटकिटाबैछै।”#मती २२:१३, २५:३०, लुका १३:२८
13तकरबाद येसु कप्‍तानके कहल्‍कै, “आब जो, तु जहिनङ बिस्‍बास करनेचिही, तहिनङ हेतौ।” तखुन्‍ते ओकर नोकर निक भेलै।
येसु बहुतोके निक करल्‍कै
(मरकुस १:२९-३४, लुका ४:३८-४१)
14तकरबाद येसु पतरुसके घरमे गेलै। ओइ बखत पतरुसके सौसके जर बोखारसे ओकरा बिछोनामे परल देखल्‍कै। 15येसु ओकर हाथ छुबल्‍कै आ जर बोखार ओकरा छोइरदेल्‍कै। तब उ उइठके ओकरा सेबा-सत्‍कार करल्‍कै।
16जब साँझ परलै तब लोकसब बहौत भुत आत्‍मा लागल लोकसबके येसु लग आनल्‍कै। येसु आपन बचनसे भुत आत्‍मासबके निकालल्‍कै आ बहुतो किसिमके रोगी-बिमारीसबके निक करल्‍कै। 17अहिनङे यसैया अगमबक्‍ताके कहल बात पुरा भेलै-
“उ अपनासबके कमजोरीसब आ
अपनासबके रोग-बिमारसब बोइक लेल्‍कै।”#यसैया ५३:४
येसुके पछा जाइके मोल
(लुका ९:५७-६२)
18जब येसु आपन चारुदिसन लोकसबके बरका भिर देखल्‍कै तब आपन चेलासबके कहल्‍कै, “अपनासब ताल ओइपार चल।” 19तखुन्‍ते एकटा धरमगुरु ओकरलग आइबके कहल्‍कै, “गुरु जी, अहाँ जते-जते जेबै, वोते-वोते हम्‍हु अहाँके पछा ज्‍याब।” 20तब येसु ओकरा कहल्‍कै, “देख, नरहियाके सोहैन छै आ चिरै-चुरगुनसबके खोता छै महज मानबके बेटाके त मुर राखैके ठामोतक नै छै।”
21तब चेलासबमेसे एक गोरे कहल्‍कै, “परभु, पहिने हमरा आपन बाबुके लहास गारैले जाए दिय।” 22महज येसु ओकरा कहल्‍कै, “हमर पछा लाग, मुरदासबके ओकर आपन मुरदासबके गारैले दहै।”#८:२२ मुरदासबके ओकर आपन मुरदासबके गारैले दहै। अते येसु ओइ लोकके “मुरदा” कहनेछै जे साँचोके आत्‍मामे मरल छै, जे येसुके कहल बातके नै मानैछै। उ लोकसब परमेस्‍वरके राजमे मुरदा समान चियै।
येसु अन्‍हर-बिहाइरके सान्‍त करल्‍कै
(मरकुस ४:३५-४१, लुका ८:२२-२५)
23तकरबाद येसु नाहमे चहरलै आ चेलोसब ओकर पछा-पछा गेलै। 24तब अचानक तालमे बरका अन्‍हर-बिहाइर चल्‍लै आ पानीके ढेहसे नाह डुबेलाग्‍लै। महज येसु सुतल छेलै। 25चेलासब येसुके लगमे ज्‍याके ओकरा उठाइत कहल्‍कै, “परभु, हमरासबके बचाबु! हमसब त डुबे लागलियै!” 26महज येसु ओकरासबके कहल्‍कै, “कथिले तुसब डेराइचिही? तोरासबके बिस्‍बास कते गेलौ?” तब येसु उइठके अन्‍हर-बिहाइर आ तालके हप्‍केल्‍कै आ अन्‍हर-बिहाइर एकदम सान्‍त भ्‍यागेलै। 27यि देखके चेलासब छक्‍क परलै आ कहल्‍कै, “यि केहन लोक छै? अन्‍हर-बिहाइर आ झोहोसबके आग्‍या करैछै त माइन जाइछै।”
भुत लागल दुइटा लोक
(मरकुस ५:१-२०, लुका ८:२६-३९)
28जब येसु तालके ओइपार गदरिनीसबके देसमे पहुचलै, तब भुत आत्‍मा लागल दुइटा लोक मरघटासे बाहर निकलैत खिना ओकरा भेटलै। उ दुनु लोक अतहेक डरलागैबला छेलै कि कोइ नै ओइ रस्‍तासे आबै-जाइले सकैछेलै। 29उसब चिच्‍याके कहल्‍कै, “हे परमेस्‍वरके बेटा, हमरासबसे अहाँके कोन काम? कि समयसे पहिने अहाँ हमरासबके सताबैले एलचियै?”
30ओकरासबसे कन्‍हिक दुर सुगरसबके एकटा जेर चैररहलछेलै। 31तब भुतसब येसुके बिन्‍ती करैत कहल्‍कै, “अदी अहाँ हमरासबके निकालबे करबै त, बरु हमरासबके सुगरके जेरमे ढुकैके आग्‍या दिय।” 32येसु उसबके कहल्‍कै, “जो।” तब तखुन्‍ते भुत आत्‍मासब निकैलके सुगरसबमे ढुक्‍लै आ सुगरके जेर पहारसे दौरते-दौरते पानीमे खस्‍लै आ डुइबके मर गेलै।
33तब सुगर चरबाहासब भाग्‍लै आ यि सब बात सहरमे ज्‍याके सुन्‍या देल्‍कै। उ दुइ भुत लागल लोकसबके कथी भेलै सेहो सुन्‍यादेल्‍कै। 34यि बात सुइनके पुरे सहरके लोकसब येसुके भेटैले एलै आ ओकरा देखके अइ इलाकासे चैलजाउ कैहके उसब बिन्‍ती करल्‍कै।

Nu geselecteerd:

मती 8: MTH

Markering

Deel

Kopiëren

None

Wil je jouw markerkingen op al je apparaten opslaan? Meld je aan of log in