मती 16

16
चेन्‍हाके माङ
(मरकुस ८:११-१३, लुका १२:५४-५६)
1कुछ फरिसीसब आ सदुकीसब एलै आ येसुके परमेस्‍वर दिसनसे एलछै कि नै कैहके जाँच करैके लेल पुछल्‍कै, “हमरासबके स्‍वरगसे एकटा चेन्‍हा देखाबु।”#मती १२:३८, लुका ११:१६ 2महज येसु उसबके जबाफ देल्‍कै, “रौद डुब्‍लाके बाद अकासके लाल देखके तुसब कहैचिही, ‘बिहानके मौसम निक हेतै’, 3आ अनगुतमे अकासके लाल आ करिया बादल लागल देखके थाह हैछौ कि, ‘आइके अन्‍हर-बिहाइर एतौ।’ तुसब अकासके अबस्‍था देखके मौसम बताइले जानैचिही, महज यि समयके लछनसबके अरथ खोलैले नै जानैचिही? 4दुस्‍ट आ बिस्‍बास घात करैबला पुस्‍ता चेन्‍हाके माङ करैछै, महज योना अगमबक्‍ताके चेन्‍हाके अलाबा कोनो चेन्‍हा नै देलजेतै।” तकरबाद येसु उसबके छोइरके चैलगेलै।#मती १२:३९, लुका ११:२९
फरिसीसब आ सदुकीसबके खमिर
(मरकुस ८:१४-२१)
5जब येसु आ ओकर चेलासब तालके ओइपार पुग्‍लै तब उसब रोटी आनैले बिसैर गेलै कैहके थाह पाबल्‍कै। 6तब येसु उसबके चेताबनी दैत कहल्‍कै, “होसियार, तुसब फरिसीसब आ सदुकीसबके खमिरसे बैचके रह!”#लुका १२:१ 7तब उसब एक-दोसरमे बात-चित करे लाग्‍लै, “अपनासब रोटी नै आन्‍लाके कारन येसु एहेन कैहरहल छै कि।” 8येसु उसबके बात थाह पाइबके कहल्‍कै, “तोरासबके बिस्‍बास कते गेलौ? तोरासबसङे रोटी नै छौ कैहके कथिले आपसमे बातचित करैचिही? 9कि तुसब अखनियोतक नै बुझ्‍नेचिही? कि तोराबसके याद नै छौ? जब हम पाँच रोटीसे पाँच हजार लोकसबके खियाइने छेलियै तब क्‍या चङेरा रोटी बिछने छेल्‍ही?#मती १४:१७-२१ 10आ सात रोटीसे चार हजार लोकसबके खियाइने छेलियै त क्‍या चङेरा रोटी तुसब बिछने छेल्‍ही?#मती १५:३४-३८ 11हम रोटीके बारेमे नै कहैचियौ, से कथिले तुसब नै बुझैचिही? महज फेनो कहैचियौ फरिसीसब आ सदुकीसबके खमिरसे होसियार रह।” 12तकरबाद चेलासब बुझल्‍कै, कि उ रोटीके खमिरसे नै महज फरिसीसब आ सदुकीसबके सिक्‍छासे होसियार रहैले कहनेछै।
पतरुसके सुइकार
(मरकुस ८:२७-३०, लुका ९:१८-२१)
13जब येसु कैसरिया फिलिप्‍पीके सहरमे पुग्‍लै तब आपन चेलासबके पुछल्‍कै, “लोकसब मानबके बेटाके के चियै कैहके कहैछै?” 14उसब जबाफदैत कहल्‍कै, “कोइ बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍ना कहैछै, कोइ एलिया त कोइ यरमिया या अगमबक्‍तासबमेसे एक गोरे चियै कहैके कहैछै।”#मती १४:१-२, मरकुस ६:१४-१५, लुका ९:७-८
15तब येसु फेनो उसबके कहल्‍कै, “महज तुसब हमरा हम के चियै कैहके कहैचिही त?” 16सिमोन पतरुस जबाफ देल्‍कै, “अहाँ त खिरिस्‍ट चियै, जिबित परमेस्‍वरके बेटा।”#युहन्‍ना ६:६८-६९ 17येसु ओकरा कहल्‍कै, “हे योनाके बेटा सिमोन, तु धैनके चिही! कथिलेत यि बात तोरा लोकसे नै बल्‍की स्‍वरगमे रहैबला हमर पितासे परगट भेलछौ। 18आब हम तोरा कहैचियौ, हम तोहर नाम पतरुस राखैचियौ।#१६:१८ आब हम तोरा कहैचियौ, हम तोहर नाम पतरुस राखैचियौ। पतरुसके मतलब चटान चियै। हम एह्‍या चटानमे आपन मन्‍डली स्‍थापना करबै आ नरकके सक्‍तिसब ओइमे बिजय नै हेबे सक्‍तै। 19हम तोरा स्‍वरग राजके कुजीसब देबौ। पिरथिबीमे जे तु बान्‍बिही, से स्‍वरगमे बान्‍हलजेतौ आ पिरथिबीमे जे तु खोलबिही, से स्‍वरगमे खोललजेतौ।”#मती १८:१८, युहन्‍ना २०:२३ 20तकरबाद येसु आपन चेलासबके करा आग्‍या दैत कहल्‍कै, “यि बात ककरो नै कहिहे, कि उ मुक्‍ती दैबला खिरिस्‍ट चियै।”
येसुके आपन मिरतुके भबिसबानी करल्‍कै
(मरकुस ८:३१-३३, लुका ९:२२)
21ओह्‍या दिनसे येसु आपन चेलासबके खोइलके सब बात कहैले लाग्‍लै, “हम यरुसलेम जेबै आ ओते अगुवासब, मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसबसे बहुत दुख भोग्‍बौ, मारल जेबौ आ तेसर दिनमे फेनो मिरतुसे जिके उठबौ।”
22पतरुस यि बात सुइनके ओकरा एक कातमे लज्‍याके हपारैले लाग्‍लै, “हे परभु! परमेस्‍वर एहेन नै हेबे, अहाँ उपर एहेन कहियो नै हेतै।” 23तब येसु घुइमके पतरुसके हपारल्‍कै, “ऐ सैतान, हमरसे दुर चैल जो, तु हमर लेल बाधाके कारन चिही। कथिलेत तु परमेस्‍वरके बातमे नै, महज लोकसबके बातमे धियान दैचिही।”
चेलासब येसुके खातिर त्‍याग करल्‍कै।
(मरकुस ८:३४-९:१, लुका ९:२३-२७)
24तकरबाद येसु आपन चेलासबके कहल्‍कै, “अदी जे कोइ हमर चेला बनैले चाहैछै त, उ आपन मनके मारौक आ आपन कुरूस बोइकके हमर पछा लागौक।#मती १०:३८, लुका १४:२७ 25कथिलेत जे आपन जिबन बचाइले चाहैछै, उ गुमाइतै। महज जे हमर खातिर आपन जिबन गुमाइछै, उ बचाइतै।#मती १०:३९, लुका १७:३३, युहन्‍ना १२:२५ 26सारा सन्‍सार हथियाइयोके आपने आत्‍माके नास करतै त ओकरा कोन फाइदा हेतै? कि आत्‍मासे मुल्‍यबान कोनो चिज छै? 27कथिलेत जब मानबके बेटा आपन पिताके महिमामे स्‍वरगदुतसबके सङे एतै तब ओइ बखत सब लोकसबके आपन-आपन काज अनुसारके इनाम देतौ।#मती २५:३१, भजनसङगरह ६२:१२, रोमी २:६ 28साँचेके, हम तोरासबके कहैचियौ, अते ठार भेलमेसे कतहेक लोकसब जाबेतक मानबके बेटाके आपन राजमे आबैत नै देखतै ताबेतक नै मरतै।”

தற்சமயம் தேர்ந்தெடுக்கப்பட்டது:

मती 16: MTH

சிறப்புக்கூறு

பகிர்

நகல்

None

உங்கள் எல்லா சாதனங்களிலும் உங்கள் சிறப்பம்சங்கள் சேமிக்கப்பட வேண்டுமா? பதிவு செய்யவும் அல்லது உள்நுழையவும்