YouVersion Logo
Search Icon

मती 25

25
दस कनियाके खिसा
1 येसु कहल्‍कै, “स्‍वरगके राज एहेन चियै- दसटा कुमाइर कनिया आपन-आपन चिरखा ल्‍याके बरके भेटैले निकललै। # लुका १२:३५ 2ओइसबमेसे पाँचटा कुमाइर कनिया बुधिमती आ पाँचटा निरबुधी छेलै। 3उ निरबुधी कुमाइर कनियासब आपन-आपन चिरखा त लगेलै, महज ओइमे थपैबला तेल नै ल्‍यागेलै। 4महज बुधिमती कनियासब आपन चिरखामे थपैबला तेलो टारिमे ल्‍यागेलै। 5असियाल-असियाल बर आबैले देर भेलासे उसब निनसे ढुले लाग्‍लै आ सुइत गेलै।
6 “अधा रात बितलाकेबाद होहल्‍ला हेबे लाग्‍लै जे, ‘देखु-देखु, बर आइबगेलै, ओकरा भेटैले चलु!’ 7कुमाइर कनियासब हबर-दबर उठलै आ आपन-आपन चिरखाके ठिकठाक करल्‍कै। 8निरबुधी कनियासब बुधिमती कनियासबके कहल्‍कै, ‘तोरासबके तेलमेसे कन्‍हिक तेल दे न, कथिलेत हमरासबके चिरखा मुझाबे लागल छै।’ 9महज बुधिमती कनियासब उतर देल्‍कै, ‘हमरासब आ तोरासबके पुगैबला बेसी तेल नै छौ, बरु असल यि हेतौ कि दोकानमे ज्‍याके आपन लेल तेल किनके आइनले।’
10 “महज निरबुधी कनियासब तेल किने गेल बखत बर आइबगेलै आ जेसब तैयार भेल छेलै उसब बियाहके भोजमे भितर गेलै आ केबार बन्‍द भ्‍यागेलै।
11 “कन्‍हिक देरबाद उ निरबुधी कनियासबसेहो एलै आ कहेलाग्‍लै, ‘परभु, परभु! हमरासबके लेल केबार खोइल दिय!’ # लुका १३:२५ 12महज बर भितरेसे जबाफ देल्‍कै, ‘अहँ, साँचे हम तोरासबके कहैचियै, हम तोरासबके चिन्‍हबो नै करैचियौ।’
13 “अहैलेल जागल रह, कथिलेकी मानबके बेटा कोन दिन आ कोन घरी एतौ तोरासबके थाह नै हेतौ।”
सोनाके डलरके खिसा
(लुका १९:११-२७)
14 येसु कहल्‍कै, “स्‍वरगके राज एहैनके चियै: एकटा धनिक लोक जब परदेस जाइले लाग्‍लै त आपन नोकरसबके बोलाके आपन धनसम्‍पैत जिमा देल्‍कै। # लुका १९:११-२७ 15धनिक लोक ओइसबको खुबि अनुसार एकटा नोकरके पाँचटा, दोसरके दुइटा आ तेसरके एकटा सोनाके डलर जिमा द्‍याके उ परदेस चैलगेलै। 16पाँचटा सोनाके डलर पाबैबला नोकर तुरन्‍त बेपारमे लगाइल्‍कै आ ओहैसे पाँचटा औरो सोनाके डलर कमाइल्‍कै। 17ओहिनङ दुइटा डलर पाबैबला नोकर सेहो औरो दुइटा सोनाके डलर कमाइल्‍कै। 18महज एकटा सोनाके डलर पाबैबला नोकर खाइध खुइनके आपन मालिकके धन ओहैमे गाइरके राखल्‍कै।
19 “बहौत दिन बितलाके बाद मालिक परदेससे घुइमके एलै। उ आपन नोकरसबके बोलाके हिसाब-किताब माङल्‍कै। 20पाँचटा सोनाके डलर पाबैबला नोकर आइबके मालिकके कहल्‍कै, ‘देखु, अहाँ हमरा पाँचटा सोनाके डलर देने छेलियै, ओइसे हम औरो पाँचटा सोनाके डलर कमाइलियै।’ 21मालिक कहल्‍कै, ‘स्‍याबास! तु असल आ बिस्‍बास योग्‍य नोकर चिही। थोरबे चिजमे तु बिस्‍बास योग्‍य रहलिही। आब हम तोरा बहौत चिजके जिमा देबौ। हमरासङे आनन्‍द मना।’ 22जे दुइटा सोनाके डरल पाबने छेलै सेहो आइबके कहल्‍कै, ‘मालिक, अहाँ हमरा दुइटा सोनाके डलर देने छेलियै, देखु, हम औरो दुइटा सोनाके डलर कमाइलियै।’ 23उ मालिक कहल्‍कै, ‘स्‍याबस! तु असल आ बिस्‍बास योग्‍य नोकर चिही। तु थोरबेमे बिस्‍बास योग्‍य भेल्‍ही। आब हम बहौत चिजके जिमा देबौ। हमरसङे आनन्‍द मना।’
24 “तब एकटा सोनाके डलर पाबैबला नोकर आइबके कहल्‍कै, ‘मालिक, हम जानैचियै कि अहाँ कठोर मनके लोक चियै। अहाँ जे चिज नै छिटैचियै, ओकरे कटनी करैबला लोक चियै आ जे राखैले नै दैचियै ओहे माङैचियै। 25अहैलेल अहाँके डरके खातिर हम त अहाँके देल सोनाके डलर जमिन खुइनके घोसाइरके राखनेछेलियै। लिय अहाँके सोनाके डलर।’ 26मालिक ओइ नोकरके कहल्‍कै, ‘ए दुस्‍ट आ कोरहिया नोकर! यदी तु जानैछेल्‍ही कि जे चिज नै छिटैचियै, ओकरे हम कटनी करैबला आ जे राखैले नै दैचियै ओहे माङैबला लोक चियै त, 27तु कथिले हमर धन बियाजमे नै देल्‍ही? यदी देने रहतिये त, आइ हम बियाज सहित पाबतियै।’ 28तब मालिक दोसर नोकरके कहल्‍कै, ‘ओकरसे यि सोनाके डलर छिनके दसटा सोना भेल्‍हाके दहै। 29कथिलेकी जकरसङे छै, ओकरा औरो देल जेतै आ ओकरजरे परसस्‍त हेतै। महज जकरसङे नै छै ओकरसे भेल्‍हो छिनल जेतै।#मती १३:१२, मरकुस ४:२५, लुका ८:१८ 30यि बेकम्‍मा नोकरके बाहर अन्‍हारमे फेक दहै, जते लोक कानैछै आ दाँत किटकिटाबैछै।’”#मती ८:१२, २२:१३, लुका १३:२८
नियायके दिन
31 येसु कहल्‍कै, “जहिया मानबके बेटा पुरे स्‍वरगदुतसङे आपन महिमामे एतै, तहिया उ आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै। # मती १६:२७, मती १९:२८ 32ओइ बखत पिरथिबीके सब जातीके लोकसब ओकर अगा जमा हेतै, जनङ चरबहा भेंरासबसे खसि-बकरीके अलग करैछै तहिने उ लोकसबके एकदोसरसे अगल करतै। 33उ भेंरासबके आपन दहिनाकात आ खसि-बकरीके आपन बमा कात अलग कैरके राख्‍तै। 34तकरबाद रजा आपन देहना कात ठारभेल लोकसबके कहतै, ‘हे हमर पितासे आसिरबाद पाबल लोकसब! ओइ राजके भोगबिलास करु, जकरा सन्‍सारके उतपतीएसे तोरासबके लेल तैयार करने छै। 35कथिलेत हम भुख्‍याल छेलियै, तुसब हमरा खाइले देल्‍ही। हम पियासल छेलियै, तुसब हमरा पियैले देल्‍ही। हम परदेसी छेलियै, तुसब हमरा आपन घरमे सेबा सत्‍कार करलिही। 36हम निर-बस्‍तर छेलियै, तुसब हमरा बस्‍तर पिन्‍हादेल्‍ही। हम बिमार छेलियै, तुसब हमरा सेबा-सुसार करलिही। हम जहलमे छेलियै, तुसब हमरा भेटमुलकात करैले एल्‍ही।’
37 “तैपर धरमी लोक जबाफ देल्‍कै, ‘हे परभु, कहिया हमसब अहाँके भुखले देखलियै आ खाना खियेलियै, पियासल छेलियै आ पानी पियेलियै? 38कहिया हमसब अहाँके परदेसी देखलियै आ आपन घरमे सेबा-सत्‍कार करलियै, निर-बस्‍तर देखलियै आ बस्‍तर पिन्‍हेलियै? 39कहिया हमसब अहाँके बिमार देखलियै आ सेबा-सुसार करलियै? कहिया हमसब अहाँके जहलमे देखलियै आ अहाँके भेटमुलाकात करैले एलियै?’ 40तैपर रजा ओइसबके जबाफ देतै, ‘साँचे हम तोरासबके कहैचियौ कि, जे कुछो तुसब यि भाइसबमेसे सबसे छोटके लेल करलिही, उ हमरे करलिही।’
41 “तकरबाद उ आपन बमा कता भेल्‍हासबके कहतै, हे परमेस्‍वरसे सराप पाबलाहा लोकसब। हमरसे दुर चैल जो! सैतान आ ओकर दुतसबके लेल तैयार करल कहियो नै मुझाइबला आइगमे चैल जो। 42कथिलेत हम भुखाल छेलियै तखुन तुसब हमरा खाएके लेल कुछो नै देल्‍ही। हम पियासल छेलियै, तखन तुसब हमरा पियैलै कुछो नै देल्‍ही। 43हम परदेसी छेलियै, तखुन तुसब हमरा आपन घरमे स्‍वागत नै करलिही। हम नङटे छेलियै, तखुन तुसब हमरा पिन्‍हैले बस्‍तर नै देल्‍ही। हम बिमार परल छेलियै, तखुन तुसब हमरा सेबा-सुसार नै करलिही। हम जहलमे छेलियै, तखुन तुसब भेटमुलकात करैले नै एल्‍ही।
44 “तब उसब जबाफ देतै, ‘हे परभु, हमसब अहाँके कहिया भुखल, पियासल, परदेसी, नङटे, बिमार आ जहलमे बन्‍द देखलियै आ अहाँके सेबा-सुसार नै करलियै?’ 45तब परभु ओइसबके जबाफ देतै ‘साच्‍चेके हम तोरासबके कहैचियौ, जे कुछो हमर यि छोट भाइसबके लेल नै करलिही, से हमरो लेल नै करलिही।’ 46तब उसब दन्‍डके भागिदार हेतै, महज धरमीसब अनन्‍त जिबन पाबतै।”#दानिएल १२:२

Currently Selected:

मती 25: MTH

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in