YouVersion Logo
Search Icon

मती 26

26
येसुके मारैके योजना
(मरकुस १४:१-२, लुका २२:१-२, युहन्‍ना ११:४५-५३)
1यि सब बात कहलाके बाद येसु आपन चेलासबके कहल्‍कै, 2“तोरासबके थाहे छौ कि आइके दुइ दिन बाद निस्‍तार पाबैन छै। ओहै समयमे हम मानबके बेटा कुरूसमे टाङैके लेल पकराएल जेबै।”#परस्‍थान १२:१-२७
3ओहै बखत परधान पुजारी कैयाफाके दरबारमे मुख पुजारीसब आ अगुवासब जमा भ्‍याके बैठक बैठलै। 4ओइ बैठकमे येसुके चुपेसे पकैरके मारैले सहमति करल्‍कै। 5महज उसब कहल्‍कै, “पाबैनके बखत यि काम करनाइ उचित नै छै, नै त लोकसबमे बारका हुलदङा मैच जेतै।”
येसुके मुरीमे बहुमुल्‍य अतर ढारल्‍कै
(मरकुस १४:३-९, युहन्‍ना १२:१-८)
6येसु बेथानिया गामके सिमोनके घरमे गेलै, जे पहिने कोढि-कुस्‍टीके बिमारी छेलै। 7एकटा जनी संगमरमरके सिसीमे बहौत महग गमकौवा अतर ल्‍याके येसुलग एलै। खाना खाइ बखत गमकौवा अतर उ जनी येसुके मुरीमे ढाइर देल्‍कै।#लुका ७:३७-३८ 8यि सब देखके ओकर चेलासब दमसाइत कहल्‍कै, “एहेन असल चिज कथिले नोकसान करल्‍कै? 9यि गमकौवा अतरके महग दाममे बेचके बहुतो गरिबसबके सहायता करे सक्‍तियै।”
10महज येसु चेलासबके यि बिचार थाह पाइबके ओइसबके कहल्‍कै, “तुसब कथिले यि जनिके सताबैचिही? यि हमरा लेल बहौत असल काम करने छै। 11कथिलेत गरिबसब सबदिन तोरेसबसङे रहतौ, महज हम त सबदिन नै रहबौ।#बेबस्‍था १५:११ 12यि गमकौवा अतर ढाइरके उ हमर देह चिहानमे लजाइले तयार करने छै। 13साँचे हम तोरासबके कहैचियै, सन्‍सार भैर जते जते यि सुसमाचार परचार करलजेतै, ओते ओते अकर करल कामके चरचा अकरे सम्‍झनामे करलजेतै।”
यहुदा येसुके पकराबैके मौकामे
(मरकुस १४:१०-११, लुका २२:३-६)
14तकरबाद बारहगोरे चेलामेसे एकटा यहुदा इस्‍कोरियोत कहाइबला मुख पुजारीसब लग गेलै 15आ कहल्‍कै, “अदी हम येसुके अहाँसबके हाथमे पकरादेबै त अहाँसब हमरा कथी देबै?” ओहै बातमे उसब ओकरा चानीके तिस डलर देल्‍कै।#जकरिया ११:१२ 16ओहै घरिसे यहुदा येसुके पकरादैके मौका खोजे लाग्‍लै।
चेलासबसङे येसुके अन्‍तिम भोज
(मरकुस १४:१२-२६, लुका २२:६-२३, युहन्‍ना १३:२१-३०, १ कोरन्‍थी ११:२३-२५)
17अखमिरी रोटी पाबैनके पहिन्‍का दिन चेलासब येसुलग एलै आ पुछल्‍कै, “अहाँके लेल निस्‍तार पाबैनके भोज हमसब कते तयार करब?” 18येसु ओइसबके कहल्‍कै, “सहरमे एकटा लोकलग जो आ ओकरा कहिहे ‘गुरु जी कहैछै कि हमर समय लगचिया गेल छै। हम आपन चेलासब जरे अहाँ कते निस्‍तार पाबैनके भोज ख्‍याब।’” 19तब येसुके कहल बमौजी चेलासब निस्‍तार पाबैनके भोज ओतै तैयार करल्‍कै।
20जब साँझ परलै येसु आपन बारहो चेलासबसङे खाइले बैठलै। 21उसब खाइत खिना येसु ओइसबके कहल्‍कै, “हम साँचे तोरासबके कहैचियै, तोरेसबके बिचमेसे एक गोरा हमरा धोखा देतौ।” 22यि बात सुइनके चेलासब बहुत दुखी भेलै आ उसब एक एक कैरके येसुके पुछल्‍कै, “परभु, कि उ हम चियै?” 23तब येसु ओइसबके जबाफ देल्‍कै, “हमरासङे जे बाटीमे रोटी बोइर रहल छै, ओहे हमरा पकराइतै।”#भजनसङगरह ४१:९ 24मानबके बेटाके समबन्‍धमे जे धरमसास्‍तरमे लिखल छै, तहिने ओकरा जाही परतै, महज धिक्‍कार छै ओइ लोकके जे मानबके बेटाके पकराइतै। उ लोक जलम नै लेने रहतियै त ओकरलेल असल हेतियै। 25तब ओकरा पकराइबला यहुदा पुछल्‍कै, “गुरु जी, कि उ हम चियै?” येसु ओकरा कहल्‍कै, “तु अपने कहलिही।”
26उसब भोज खाइते खिना येसु रोटी लेल्‍कै आ परमेस्‍वरके धन्‍यबाद देल्‍कै। उ रोटीके तोइरके चेलासबके देल्‍कै आ कहल्‍कै, “ले आ खो यि हमर देह चियौ।”
27तकरबाद उ बाटी लेल्‍कै आ धन्‍यबाद द्‍याके चेलासबके दैत कहल्‍कै, “तुहे सबगोरा एहि मेसे पि। 28यि परमेस्‍वर आ लोकसबके बिचमे समबन्‍ध बनाबैबला हमर लहु चियै, जे बहुतो लोकसबके पापसे छमा पाबैके लेल बह्‍याल ज्‍यारहल छै।#परस्‍थान २४:८, यरमिया ३१:३१-३४ 29हम तोरासबके कहैचियौ जाबेतक परमेस्‍वरके राजमे हम नै एबै ताबे तक लबका अङगुरके मध नै पिबौ।”
30तकरबाद एकटा भजन गाइबके उसब जैतुन पहाड़ दिसन निकैलके गेलै।
पतरुसके इन्‍कार
(मरकुस १४:२७-३१, लुका २२:३१-३४, युहन्‍ना १३:३६-३८)
31येसु आपन चेलासबके कहल्‍कै, “आइएके रात तु सबगोरे हमरे कारनसे छोइरके भागबिही। कथिलेकी धरमसास्‍तरमे एहेन लिखल छै-
‘हम चरबाहाके माइर देबौ
आ भेंरासब छिरया जेतौ।’ # जकरिया १३:७
32 “महज हम मुरदासे जिबित भ्‍याके उठलाके बाद हम तोरासबसे पैहनैये गालिलमे जेबौ।” # मती २८:१६ 33ओतबेहेकमे पतरुस येसुके कहल्‍कै, “सबकोइ अहाँके छोइर देत महज हम कहियो नै छोरब।” 34येसु पतरुसके कहल्‍कै, “साँचोके हम तोरा कहैचियौ, आइ रातके मुरगा डाँकैसे पहिने तु हमरा नै चिन्‍हैचियै कैहके तिन बेर इन्‍कार करबिही।” 35पतरुस ओकरा कहल्‍कै, “अदी हमरा अहाँसङे मरैयो परतै त हम अहाँके कहियो नै इन्‍कार करब।” तब औरो चेलासब सेहो एह्‍या बात कहल्‍कै।
गेतसमनीके फुलबारिमे येसुके परथना
(मरकुस १४:३२-४२, लुका २२:२९-४६)
36येसु ओतेसे आपन चेलासब जरे गेतसमनी नामके एकटा जगहमे गेलै आ उ आपन चेलासबके कहल्‍कै, “हम कुछ अगा ज्‍याके परथना करैचियै ताबे तक तुसब अतै बैठलरह।” 37महज पतरुस आ जब्‍दियाके दुनु बेटाके येसु आपने सङे ल्‍यागेलै। उ बहुत दुखी आ ब्‍याकुल हैले लाग्‍लै। 38तब उ ओइसबके कहल्‍कै, “हमर मन पिरासे ब्‍याकुल भ्‍याके करेजा फाटेलागल जखा करैये। तुसब अत रैहके हमरसङे जागल रह।”
39उ कन्‍हिक अगा बैढके भुइयामे मुरी गोइतके अनङ कैहके परथना करेलाग्‍लै, “हे हमर पिता, यदी भ्‍यासकैछै त यि दुखके बाटी हमरासे हटा दिय, महज तैयो हमर इछा बमौजी नै, बल्‍की अहिके इछा बमौजी हेबे।”
40तकरबाद येसु आपन तिनु चेलासबलग एलै। उ ओइसबके सुतल देखके पतरुसके पुछल्‍कै, “कि तोरासबके एको घन्‍टा हमरसङे जागल रहैले पार नै लाग्‍लौ? 41जागल रह आ जाँचमे नै परे खातिर तुसब परथना करैतरह। आत्‍मा त साँचोके तैयार छै महज देह दुरबल छै।”
42येसु फेनो ज्‍याके परथना करे लाग्‍लै, “हे हमर पिता, यि दुखके बाटी पिने बिना नै बनेबला छै त अहाँके इछा जे छै से पुरा हेबे।” 43जब उ परथना कैरके चेलासबलग एलै त ओइसबके सुतल देखल्‍कै कथिलेकी ओइसबके आँख निनसे भारी भेल छेलै।
44येसु फेनो ओइसबके सुतले छोइरके गेलै आ तेसर बेर फेनो ओहिनङे परथना करल्‍कै। 45तब उ चेलासब लग आइबके ओइसबके कहल्‍कै, “कि अखनियो तुसब सुतले चिही आ आरामे करैचिही? देख, समय नजदिक आइबगेल छौ। मानबके बेटा पापी लोकके हाथमे पकराबैले लागल छै। 46आब उठ, ज्‍याके देख्‍ही त! हमरा धोखा द्‍याके पकराबैबला आइबगेल छौ।”
येसु पकराउ परलै
(मरकुस १४:४३-५०, लुका २२:४७-५३, युहन्‍ना १८:३-१२)
47येसु यि बातसब कहते रहलै, कि तखनिए यहुदा जे ओकर बारह गोरा चेलामेसे एकटा छेलै से एलै। ओकरसङे लाठी आ तलबार लेने लोकसबके एकटा भिर छेलै। ओइसबके मुल पुजारीसब आ अगुवासब पठेने छेलै। 48येसुके पकराबैबला यहुदा ओइसबके यि संकेत कहने छेलै कि, “हम जकरा गालमे चुमा लेबौ, से लोक उहे रहत। अहाँसब ओकरे पकैर लेबै।” 49तब यहुदा तुरन्‍त येसु लग ज्‍याके कहल्‍कै, “गुरु जी परनाम!” आ ओकर गालमे चुमल्‍कै। 50येसु ओकरा कहल्‍कै, “हौ सङहतिया, तु जे करैले एल छह उ कैरल।” तब उसब अगा बैढके येसुके पकरल्‍कै आ बन्‍दी बनालेल्‍कै।
51यि देखके येसुसङे भेल्‍हामेसे एक गोरे चेला तलबार निकाइलके परधान पुजारीके नोकरके कान छपट देल्‍कै। 52तब येसु ओकरा कहल्‍कै, “तोहर तलबार मियानमे राख। जे तलबार उठाबैछै से कोइ तलबारेसे मारल जाइछै।” 53तु कि सोचैचिही यदी हम माङने रहतियै त कि हमर पिता तुरन्‍त बारह पल्‍टनसे बेसी स्‍वरगदुतसब नै पठादेतियै? 54महज यदी हम माङतियै त धरमसास्‍तरमे यीसब हेतै कैहके लिखल बात कनङ पुरा हेतै?
55तकरबाद येसुके पकरैले ऐल भिरके लोकसबके कहल्‍कै, “कि हम डाकु चियै से सोइचके तुसब हमरा पकरैले तलबार आ लाठी ल्‍याके एलचिही? दिनदिने त हम मन्‍दिरमे सिक्‍छा दैत तोरेसबसङे छेलियौ तखुन हमरा नै पकरलिही।#लुका १९:४७, २१:३७ 56महज पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल बात पुरा हेबैएपरतै।”
तखने सब चेलासब येसुके छोइरके भाइग गेलै।
येसु महासभाके अगा
(मरकुस १४:५३-६५, लुका २२:५४-५५,६३-७१, युहन्‍ना १८:१३-१४,१९-२४)
57येसुके पकरैबलासब ओकरा परधान पुजारी कैयाफालग ल्‍यागेलै। ओते धरमगुरुसब आ अगुवासब जमा भेल छेलै। 58पतरुस दुरेसे ओकर पछा लागल परधान पुजारीके अङना तक गेलै। आब कथी हेतै कैहके देखैके लेल भितर ज्‍याके नोकरसबसङे बैठलै। 59अने मुख पुजारीसब आ महासभाके सबलोक येसुके मिरतुदन्‍ड दैकेलेल ओकर बिरोधमे परमान जुटाबैके लेल झुठा साक्‍छी दैबला लोकसबके खोजिमे लागल छेलै। 60बहुतो झुठा साक्‍छी कहैबला लोकसब ओकरा दोस लगेलाके बादो कोनो परमान फेला नै परलै। आखिरमे दुइगोरे अगा ज्‍याके बाज्‍लै, 61“यि आदमी त, ‘हम परमेस्‍वरके मन्‍दिरके तोरइके तिन दिनमे ओकरा निरमान करे सकैचियै’ कहल्‍कै।”#युहन्‍ना २:१९
62तकरबाद परधान पुजारी ठार भ्‍याके येसुके सबाल करल्‍कै, “यि सबालके जबाफ तोहरसङे नै छौ? यि लोकसब तोहर बिरोधमे गबाही देने छै ओकर बारेमे कुछो नै कहबिही?” 63महज येसु चुपचाप रहलै। तब फेनो परधान पुजारी सबाल करल्‍कै, “तु जिबित परमेस्‍वरके किरिया ख्‍याके कह, कि तु परमेस्‍वरके बेटा खिरिस्‍ट चिही त?” 64येसु ओकरा कहल्‍कै, “से बात अहि कैहदेलियै। तैयो हम तोरासबके कहैचियौ, एक दिन तुसब मानबके बेटाके सक्‍तीसाली परमेस्‍वरके देहना हाथ कातमे बैठल आ अकाससे बादलमे आबैत देखबिही!”#दानिएल ७:१३
65यि बात सुन्‍ते मातर परधान पुजारी आपन बस्‍तर फाइरके बाज्‍लै, “उ त इस्‍वर निन्‍दा करल्‍कै। तुसब त इस्‍वर निन्‍दा सुन्‍बे करलिही। आब कथिले अकर बिरोधमे हमरासबके कोनो परमान चाही?#लेबी २४:१६ 66आब तोरासबके बिचार कि छौ?” तब उसब जबाफ देल्‍कै, “यि मिरतुदन्‍ड पाबैके योग्‍यके छै।” 67तब उसब ओकरा मुहमे थुकल्‍कै, मुका मारल्‍कै। कुछ लोक थपराइत कहल्‍कै,#यसैया ५०:६ 68“ले कह त, मुक्‍तीदैबला खिरिस्‍ट! तोरा के पिटल्‍कौ?”
पतरुस येसुके इन्‍कार करल्‍कै
(मरकुस १४:६६-७२, लुका २२:५६-६२, युहन्‍ना १८:१५-१८,२५-२७)
69पतरुस ओइ बाहर अङनामे बैठल छेलै। एकटा नोकरनी आइबके ओकरा कहल्‍कै, “अहुँ त गालिलके निबासी येसुके सङे छेलियै।” 70महज पतरुस सबके अगा, “तु कथी बाजैचिही हम कुछो नै जानैचियौ।” 71अतेक कहैत पतरुस अङनाके केबार दिसन गेलै। ओतबेहेकमे दोसर नोकरनी ओकरा देखके ओते भेल्‍हा लोकसबके कहल्‍कै, “यि लोक सेहो नासरतके येसुसङे छेलै।”
72फेनो पतरुस इन्‍कार करैत कहल्‍कै, हम किरिया ख्‍याके कहैचियौ, “ओइ लोकके चिन्‍हबो नै करैचियै।”
73कुछदेर बाद ओते ठार भेल्‍हा लोकसब नजदिक आइबके पतरुसके कहल्‍कै, “अबस्‍य तु ओकरेसबमेसे एक चिही, कथिलेकी तोहर बोलीके लबजेसे थाह हैछौ।” 74तब पतरुस किरिया खाइत कहल्‍कै, “हम ओइ लोकके चिन्‍हबे नै करैचियै! यदी हमर बात झुठ हेतै त, परमेस्‍वर हमरा सराप देबे।” ठिक ओहि घरी मुरगा डाँक देल्‍कै।
75तब येसुके कहल बात पतरुसके याद परलै, “मुरगा डाँक दैसे पैहने तु हमरा तिन बेर इन्‍कार करबिही।” तब पतरुस बाहर निकैलके हेकैच-हेकैचके काने लाग्‍लै।

Currently Selected:

मती 26: MTH

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in