YouVersion Logo
Search Icon

मरकुस 13

13
अन्‍तके दिनके चेन्‍हासब
(मती २४:१-१४, लुका २१:५-१९)
1येसु मन्‍दिरसे बाहर निकलैत खिना ओकर एक गोरे चेला ओकरा कहल्‍कै, “गुरु जी, देखु कतेक छनगर बरका-बरका पथलसब आ अच्‍चमके मकानसब छै!”
2येसु ओकरा कहल्‍कै, “जे देखरहलचिही यि बरका मकानके एक पथल दोसर पथल उपर नै रहतौ, उ सब भहैरके गिरजेतौ।”
3तब येसु मन्‍दिरके ओइपार जैतुन पहारमे बैठल छेलै। ओइ बखत पतरुस, याकुब, युहन्‍ना आ अन्‍दरियास ओकरा असगरेमे पुछल्‍कै, 4“हमरासबके कहु, यि घटनासब कहिया हेतै? आ यि हेबे लाग्‍तै त केहन चेन्‍हासब देखा परतै?” 5येसु उसबके कहल्‍कै, “होसियार रह, तोरासबके कोइयो नै बहकावे! 6बहुत लोकसब हमर नाममे ‘हम्‍ही खिरिस्‍ट चियौ’, कहैत एतौ आ बहुत लोकसबके बहकेतौ। 7जब तुसब लराइ-झगरासबके हल्‍ला सुनबिही तब ओइ बखत नै डेरा। कथिलेत पहिने यि घटनासब हेबैये परतै महज अन्‍त तखुन्‍ते नै हेतौ। 8जाती-जातीके बिचमे लराइ हेतौ आ राजके बिरोधमे राज खरा हेतौ। जते-तते भुमकौनसब आ भुखमरीसब हेतौ। यि त अन्‍तके दिनके सुरुवात मातरे चियै।
9 “आपन बारेमे तुसब होसियार रह! कथिलेत उसब तोरासबके अड्‍डा खनामे लजेतौ, यहुदी सभाघरसबमे लज्‍याके पिटतौ। हमर नामके खातिर तोरासबके सासकसब आ रजासबके अगामे हमर गबाही दैले खरा हेब्‍ही। 10महज पहिने सब जातीसबमे सुसमाचार परचार हैकेचाही। 11जब लोकसब तोरासबके पकैरके अदालतमे लजेतौ तब ओइ बखत कथी बोल्‍बै तकर चिन्‍ता नै कर। कथिलेत ओइ बखत तोरासबके कथी बोले परतौ से पबितर आत्‍मा तोरासबसङे बोल्‍तौ।
12 “महज एक भाइ दोसर भाइके मिरतुके लेल सोप्‍तौ आ बाबु बेटाके, बेटाबेटीसब आपन माँ-बाबुके बिरोधमे खरा भ्‍याके मारे लगाइतौ। 13तब हमर नामके खातिर तुसब लोकसबसे घिरनित हेब्‍ही आ जे अन्‍ततक स्‍थिर रहतै उ उदार पाबतै।”
महा सङकटके सुरुवात
(मती २४:१५-२८, लुका २१:२०-२४)
14 “जब तुसब बिनास करैबला घिरनित चिज जै ठाममे नै हैकेचाही से ठाममे ठारभेल देखबिही (परहैबलासब बुझे), तब यहुदियामे रहैबला लोकसब पहारदिसन भागे। 15जे घरके छानीमे छै, से कोइ निचा उतैरके समानसब लैले घरभितर नै आबे। 16खेतमे काम करैबलासब घर घुइमके आपन बस्‍तर लैले नै आबे। 17महज तै दिनमे जे जनिसबके देहभारी रहतै आ कोरामे दुधपिया बच्‍चा रहतै ओइसबके लेल बहुत मुसकिल हेतौ! 18यि सब जार महिनामे नै हेबे कैहके परथना कर। 19कथिलेत परमेस्‍वर पिरथिबी सिरिस्‍टी करल्‍कै तै दिनसे अखुनतक एहेन महा सङकट नै भेल छै आ नै कहियो हेतै। 20यदी परमेस्‍वर उ बिपतके दिन कम नै करने रहतियै त लोकसब कोइ नै जिबित रहतियै, महज परमेस्‍वर आपन छानल लोकसबके खातिर यि दिन कम करने छै। 21ओइ बखत कोनो लोक तोरासबके कहतौ, ‘देख, खिरिस्‍ट एते छौ’ या ‘ओते छौ!’ महज उ बातमे बिस्‍बास नै कर। 22कथिलेत झुठा खिरिस्‍ट आ झुठा अगमबक्‍तासब देखा परतौ। सम्‍भब त अचमके कामसब आ चेन्‍हासब देख्‍याके परमेस्‍वरके छानल लोकसबके बहकाके लजेतौ। 23तै खातिर तुसब जागल रह! यि बात हम तोरासबके पहिने कैहदेनेचियौ।”
येसु फेनो एतै
(मती २३:२९-३१, लुका २१:२५-२८)
24 जब बरका महासङकटके दिनसब बितलाकेबाद सुरुज अन्‍हार हेतै आ चान आपन चमक दैले छोरतै, 25अकासके तरासब खस्‍तै आ अकासके सक्‍तीसब थर-थर काप्‍तै। 26तकरबाद लोकसब मानबके बेटाके सक्‍ती आ महिमासङे बादलमे आबैत देखतै। 27तब पिरथिबी आ अकासके चारु दिसरसे उ आपन छानल लोकसबके जमा करैले स्‍वरगदुतसबके पठाइतै।
अन्‍जिरके गाछके खिसा
(मती २४:३२-३५, लुका २१:२९-३३)
28 तब येसु उसबके एकटा खिसा कहल्‍कै, “अन्‍जिरके गाछसे यि पाठ सिख, जब ओइमे लबगोजा पता एल देखके तोरासबके थाह हैछौ कि गरमिके समय नजदिक एलछै। 29तहिनङे यि बातसब हैत देखबिही तब उ घरके चौकठेमे छै से जान। 30साच्‍चे हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक यि बातसब पुरा नै हेतौ ताबेतक यि पुस्‍ताके अन्‍त नै हेतौ। 31स्‍वरग आ पिरथिबी बित जेतै, महज हमर बचन रहबे करतै।”
जागल रह
(मती २४:३६-४४, लुका १२:३८-४०)
32 “महज उ दिन आ उ बखत कहिया एतै से ककरो नै थाहछै, नै स्‍वरगदुतसबके नै परमेस्‍वरके बेटाके, मातरे परमेस्‍वर पिता जानैछै। 33तै खातिर होसियार भ्‍याके जालग रह आ परथना करैतरह!#१३:३३ आ परथना करैतरह! बहुत हस्‍त लिखीत गरन्‍थसबमे (पान्‍डुलिपी) यि खन्‍ड उल्‍लेख नै छै। कथिलेत उ बखत कखनी एतौ से तुसब नै जानैचिही। 34यि त एकटा लोक बिदेस गेल जखा चियै। जाइसे पहिने उ आपन नोकर-चाकरसबके घरमे सब काम-काजसबके जिम्‍मा लग्‍याके आ पहरेदारके जागल रह कैहके आग्‍या द्‍याके बिदेस गेल जखा चियै। 35तै खातिर जागल रह, कथिलेत घरके मालिक साँझमे, कि अधा रातमे, कि भिनसर, कि बिहान, कखनी एतौ से तुसब नै जानैचिही। 36एहेन नै हेबे कि उ नै सोचलहा बखत आइबके तोरासबके सुतल देख्‍तौ। 37हम तोरासबके जे कहैचियौ से हमसब लोकसबके कहैचियौ कि जागल रह!”

Currently Selected:

मरकुस 13: MTH

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in

Video for मरकुस 13