मरकुस 12
12
मालिक आ बटिदारसबके खिसा
(मती २१:३३-४६, लुका २०:९-१२)
1तब येसु उसबके एकटा खिसा कहल्कै, “एकटा लोक अङगुरके खेती करल्कै आ चारुकातसे ओकरा घेरल्कै। अङगुरके रस जम्मा करैके लेल एकटा खाइध खुइनके कोल्हु बनाइल्कै। ओहैमे एकटा मचानो बनाके अङगुरके बारी बटिदारसबके जिम्मा द्याके अपने बिदेस चैलगेलै।
2 “जब अङगुर पाकैके समय एलै तब अङगुर लैले मालिक आपन एकटा नोकरके पठाइल्कै। 3महज बटिदारसब ओकरा पकैरके मारपिट कैरके छुच्छे हाथ पठादेल्कै। 4मालिक फेनो दोसर नोकरके पठाइल्कै, महज बटिदारसब ओकरो कपार फोरके बेजत करल्कै। 5तब मालिक तेसर नोकरके पठाइल्कै महज उसब ओकरा जानसे मारदेल्कै। तहिनङे बहुत नोकरसबके पठाइल्कै, उसब ककरो मारपिट करल्कै त ककरो जानसे मारदेल्कै। 6अन्तमे ओकर आपन एकलौता बेटा मातरे रैहगेलै। ‘उसब त हमर बेटाके पक्के आदर करतै’ कैहके सबसे पछा बटिदारसबलग पठाइल्कै। 7महज बटिदारसब ओकरा देखैत मातर आपसमे बात करे लाग्लै, ‘यि त हकबला चियौ। चल, अपनासब अकरा मारदहै तब अकर सब सम्पती आपनौरके भ्याजेतौ।’ 8तब बटिदारसब ओकरा पकैरके माइर देल्कै तब ओकर लहासके अङगुर खेतसे बाहर निकालके फेकदेल्कै।”
9 तब येसु पुछल्कै, “आब अङगुर खेतके मालिक ओइसबके कथी करतै? उ आइबके बटिदारसबके माइरदेतै आ अङगुर खेत दोसर लोकसबके ददेतै। 10तुसब पबितर धरमसास्तरमे नै पढनेचिही? ‘जै पथलके घर बनाइबला मिसतिरीसब छाइट देल्कै, सेह्या जगके मुल खम्हा बन्लै,#भजनसङगरह ११८:२२
11 यि काम परमेस्वर करने छै
आ अपनासबके नजरमे आस्चरजके छै।’”
12तैल्याके मुख पुजारीसब, सास्तरीसब आ अगुवासब येसुके पकरैले ताकैछेलै, कथिलेत यि खिसा हमरेसबके बिरोधमे कैहरहल छै से बुझल्कै। महज भिरके लोकसबसे डराबैके कारन ओकरा छोइरके चैलगेलै।
बटीके बारेमे परस्न
(मती २२:१५-२२, लुका २०:२०-२६)
13तब कुछ फरिसीसब आ हेरोद रजाके दलके लोकसब येसुके फसाइले एलै।
14उसब येसु लग आइबके कहल्कै, “गुरु जी, हमसब जानैचियै कि, अहाँ सहि बात बोलैचियै आ ककरो पक्छपात नै करैचियै। अहाँ त परमेस्वरके सत-सत बात सिखाइचियै। आब हमरासबके कहु, हमसब कैसरके कर तिरबै से उचित छै कि नै?”
15तब येसु उसबके कपटी बिचार बुइझके कहल्कै, “तुसब कथिले हमरा फसाइले चाहैचिही? हमरा एकटा डलर देखा।”
16उसब एकटा डलर आनल्कै। तब येसु उसबके कहल्कै, “अइमे ककर चेहरा आ नाम लिखल छै?” उसब कहल्कै, “कैसरके।”
17तब येसु उसबके कहल्कै, “तै खातिर जे कैसरके चियै से कैसरके दहै आ जे परमेस्वरके चियै से परमेस्वरके दहै।” यि बात सुइनके उसब आस्चरजमे परलै।
जि उठैके परस्न
(मती २२:२३-३३, लुका २०:२७-४०)
18मैरके जि उठैबला उपर बिस्बास नै करैबला कुछ सदुकीसब येसु लग एलै आ येसुके पुछल्कै, 19“गुरु जी, मोसा हमरासबके लेल बेबस्थामे लिखदेने छै, कि कोनो लोकके भैया निपुतरे आपन घरबालीके छोइरके जेतै त, ओकर भाइ आपन भौजीसे बियाह कैरके भैयाके बंस खरा करे परैछै। 20आब एकटा परिबारमे सात भाइके भैयारी छेलै। जेठकाके बियाह करल्कै आ उ निपुतरे मरगेलै। 21तब मैझला आपन भौजीसे बियाह करल्कै आ ओहो बिना धियेपुतेके मरगेलै। सैझलो ओकरसे बियाह करल्कै महज ओहो धियापुता नै जलमाके मरलै। 22तहिनङे सातो गोरे ओकरसे बियाह करल्कै आ धियापुता नै जलैमके सबकोइ एक-एक कैरके मरगेलै। अन्तमे ओहो जनी मरगेलै। 23आब कहु, ओइ समयमे जहिया मरलहासब जिके उठतै त, ओकरासबमेसे उ जनी ककर घरबाली हेतै? कथिलेत उ सातो गोरासे बियाह करने छेलै।”
24तब येसु उसबके कहल्कै, “तुसब भरममे परलचिही, कथिलेत तुसब नै त पबितर धरमसास्तर जानैचिही, नै त परमेस्वरके सक्तीके? 25कथिलेत, जब उसब जिके उठतै, नै उसब बियाह करेतै, नै उसबके बियाह हेतै, महज उसब त स्वरगके स्वरगदुतसब जखा हेतै। 26कि तुसब जि उठैके बारेमे मोसाके किताबमे नै पढनेचिही? से बात जरैत पोथराके घटनामे परमेस्वर मोसाके कहल्कै, ‘हम अबराहमके परमेस्वर, इसहाकके परमेस्वर आ याकुबके परमेस्वर चियौ।’#परस्थान ३:६ 27तै खातिर उ मरल लोकसबके परमेस्वर नै महज जिबितसबके परमेस्वर चियै! साच्चे तुसब बहुत बरका भरममे परलचिही।”
महान आग्या
(मती २२:३४-४०, लुका १०:२५-२८)
28एक गोरे धरमगुरु ओते एलै आ एक-दोसरमे बताबती कैररहल सुनल्कै। येसु लोकसबके ठिक जबाफ देल सुइनके ओकरा कहल्कै, “हे गुरु जी, सब आग्यासबमेसे महान आग्या कोन चियै?”
29तब येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “सबसे महान आग्या एह्या चियै, ‘हे इजराएलके बासिसब सुन, परमपरभु अपनासबके परमेस्वर एकेटा परमेस्वर चियै। 30तु परमपरभु आपन परमेस्वरके सरा हिरदयसे, सरा परानसे, सरा समझसे आ सरा सक्तिसे परेम कर।’#बेबस्था ६:४-५ 31आ दोसर बरका आग्या यि चियै ‘आपन परोसियाके आपने जखा परेम कर।’ अइसे कोनो बरका आग्या नै छै।”#लेबी १९:१८
32तब उ सास्तरी येसुके कहल्कै, “गुरु जी, अहाँ ठिके कहैचियै, परमेस्वर एकेटा छै आ ओकर बाहेक औरो कोइ नै छै। 33ओकरा आपन सरा हिरदयसे, सरा समझसे आ सरा सक्तिसे परेम करनाइ तब आपन परोसियाके आपने जखा परेम करनाइ सब होमबली आ बलिदानसबमे सबसे महान छै।” 34ओकर बुधिमानी जबाफ सुइनके येसु कहल्कै, “तोहे परमेस्वरके राजसे दुर नै चिही।” ओकरबाद औरो परस्न पुछेके ककरो हिम्मत नै भेलै।
खिरिस्ट ककर बेटा
(मती २२:४१-४६, २३:१-३६, लुका २०:४१-४७)
35तब येसु मन्दिरमे सिखाइत खिना कहल्कै, “खिरिस्ट दाउदके बेटा चियै से धरमगुरुसब कनङके कहैछै? 36जबकि दाउद आपने पबितर आत्मासे कहनेछै,
‘परमपरभु हमर परभुके कहल्कै,
तु हमर दहिना हाथ कता # १२:३६ दहिना हाथ कता- यि आदर आ सक्तिके ठाउ चियै। बैठ, जाबेतक
हम तोहर दुस्मनसबके तोहर टाङके खराम नै बनाइबौ।’ #
भजनसङगरह ११०:१
37 जब दाउद आपने खिरिस्टके परभु कहैछै त,
उ कनङके ओकर बेटा भेलै?”
तब ओतेका सब लोकसब ओकर बचन खुसीसे सुनैछेलै। 38येसु फेनो कहल्कै, “धरमगुरुसबसे होसियार रह! कथिलेत उसब लाम-लाम बस्तर पिन्हके घुमैले आ बजारसबमे सलामी खोजैबला, 39या सभाघरसबमे आ भोज-भतेरमे आदरके ठामसबमे बैठैले ताकैछै। 40उसब बिधुवासबके घर हरैप लैछै आ देखाबटी बरका-बरका परथना करैछै। साच्चे एहेन लोकसब बेसीसे कठोर सजाय पाबतै।”
बिधुवाके भेटी
(लुका २१:१-४)
41तब येसु मन्दिरके दान बाकस लग बैठ्लै आ लोकसबके आपन-आपन दान बाकसमे राखैत देखल्कै। बहुत धनिक लोकसब बहुत पैसाकौरी चरहेल्कै। 42महज ओते एकटा गरिब बिधुवा तामके दुइगो डलर दान करल्कै, जकर मोल एको पैसासे कम छेलै। 43तब येसु चेलासबके आपनलग बोलाके कहल्कै, “साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, यि गरिब बिधुवा औरो लोकसबसे बेसी दान करने छै। 44कथिलेत औरो लोकसब बेसी भेल उबरल-पुगरलमेसे दान करने छै महज यि बिधुवा त आपन जिबन चलाइबला सरा कमाइ चरहाइने छै।”
Currently Selected:
मरकुस 12: MTH
Highlight
Share
Copy

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.