YouVersion Logo
Search Icon

मरकुस 16

16
येसु मरके जि उठलै
(मती २८:१-८, लुका २४:१-१२, युहन्‍ना २०:१-१०)
1पबितर बिसरामके दिन बितलाके बाद मरियम मग्‍दलिनी, याकुबके माँ मरियम आ सलोमी येसुके लहासमे लगाबैले गमकौवा तेल आ अतर किनल्‍कै। 2हप्‍ताके पहिन्‍का दिन बिहान सबेरे उसब सुरुज उगैत मातर येसुके राखलहा चिहानमे गेलै। 3तब उसब रस्‍तामे जाइबखत आपसमे कहैछेलै, “चिहानके मुहमे राखलहा पथलके के हटादेतौ?” 4जब उसब ओइठाम पहुचलै तब चिहानके मुहमे राखलहा बरका पथल हट्‍याल देखल्‍कै। 5उसब जब चिहान भितर ढुक्‍लै तब ओते एकटा उजर बस्‍तर पिन्‍हलहा लोकके देहना कातमे बैठल देखल्‍कै आ उसब एकदमसे डेरागेलै। 6महज उ लोक ओकरासबके कहल्‍कै, “नै डेरा! तुसब कुरूस पर लटक्‍याल नासरतके येसुके खोजैचिही नै? उ त जिके उठल छौ आ अते नै छौ। ओकरा राखल ठाममे देख! 7आब जो, ओकर चेलासबके आ पतरुसके कैहदहै कि उ तोरासबसे अगारी गालिलमे ज्‍यारहल छौ आ ओतै तोरासबके भेटतौ।” 8तब उसब चिहानसे दौरले बाहर निकललै, कथिलेत उसब एकदम घबराल छेलै आ थर-थर कापैत छेलै आ डरसे ककरो कुछो नै कहल्‍कै।
येसु चेलासब लग परगट भेलै
(मती २८:९-२०, लुका २४:१३-५३, युहन्‍ना २०:११-२३, परेरित १:४-११)
9[हप्‍ताके पहिन्‍का दिन येसु बिहान सबेरे जिके उठलै आ सबसे पहिने मरियम मग्‍दलिनी लग परगट भेलै। जकरसे येसु सात भुत आत्‍मासब निकाल्‍ने रहै। 10तब मरियम ओकर चेलासबके जेसब सोक करैत कानै-खिजै छेलै सेसबके यि बात सुनाइल्‍कै। 11महज जब येसु जिके उठलै आ मरियम लग देखा परलै से बात सुनल्‍कै तब उसब बिस्‍बास नै करल्‍कै।
12तकरबाद ओकर चेलासबमेसे दुइगोरे यरुसलेमसे गाम दिसन ज्‍यारहल छेलै। तै बखत येसु उसबके बिचमे दोसर रुपमे परगट भेलै। 13तब ओहोसब आइबके यि बात चेलासबके सुनाइल्‍कै महज तैयो नै उसबके बिस्‍बास भेलै।
14अन्‍तमे जब एगारहो चेलासब बैठके खान-पिन करैतरहै तहै बखत येसु ओइसबके बिचमे परगट भेलै। उसबके अबिस्‍बास आ कठोर हिरदयके कारन येसु उसबके खिस्‍याइल्‍कै। कथिलेत उ मरके जिबित भ्‍याल ओकरा देखैबला सबके बातमे उसब बिस्‍बास नै करने रहै।
15तब येसु उसबके कहल्‍कै, “जो आ सरा सन्‍सारमे ज्‍याके सरा सिरिस्‍टीके सब लोकसबके सुसमाचार परचार कर! 16बिस्‍बास करैबला आ बप्‍तिस्‍मा लैबलासब उदार पाबतै। महज बिस्‍बास नै करैबलासब दोसी ठहरतै। 17तब बिस्‍बास करैबलासब यि काम करतै- उसब हमर नाममे भुतसब भगाइतै, आन भसासब बोल्‍तै, 18उसब आपन हाथसे साँपसब पकरतौ आ कोनो परकारके बिखो पिलेतै त तैयो कोनो नोक्‍सान नै हेतै। तब रोगी-बिमारीसब उपर आपन हाथ राख्‍तौ आ उसब निक हेतौ।”
19तकरबाद परभु येसु ओइसबसङे बोइल लेलाकेबाद स्‍वरग दिसन उठ्‍यालगेलै आ परमेस्‍वरके देहनाकात बैठलै। 20तब चेलासब सब ठामसबमे ज्‍याके परचार करल्‍कै। परभु उसबके मदत करल्‍कै आ अचममे कामसबसे ओकरासबके बचनमे सत छै कैहके ठहरेल्‍कै।]#१६:२० दुइटा पुरन्‍का आ बिस्‍बासिलो गिरिक हस्‍त लिखीत गरन्‍थसबमे (पान्‍डुलिपीसबमे) १६:१-८ मातरे उल्‍लेख करलगेलछै।

Currently Selected:

मरकुस 16: MTH

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in