YouVersion Logo
Search Icon

यूहन्ना 14

14
येशू आपन चेलासिके भरोसा देल्कै
1येशू चेलासिके कहैल्कै, “तोरसिके मन व्याकुल नैहौ। तुहेंसब परमेश्वरपर विश्वास राखैछैं, हम्रहौपर विश्वास राख। 2हमर परमेश्वर पिताके घरमे रहेवाला बहुते जगह छै। ओरं नैहैतियै ते हमे तोरासिके कहैतियौ से, कि हमे आपन परमेश्वर पिता कते तोरसिके लिए जगह तैय्यार करे जैछियौ? 3आर जैके तोरसिके लिए जगह तैय्यार कैलके बाद, हमे फेर ऐबौ, आर तोरासिके हमरसंगे रहैके लिए ल्याजैबौ आर हमे जते छियै, ओत्ते तहुँसब हैभैं।”
येशू रस्ता, सच, आर जीवन
4उटा जगहके रस्ता जते हमे जैछियै तुहेंसब जानैछैं। 5थोमा ओकरा कहैल्कै, “हे प्रभु, तुहें कते जैछह, उहो हमेसब नैजानैछियै ते, हमेसब रस्ता केरंके चिन्हबै?” 6येशू ओकरा कहैल्कै, “रस्ता, सच, आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन हम्हीं छियै। हमर बिना कोय भी परमेश्वर पिताके लगत नै ज्या सक्तै। 7यदि तुहेंसब सच्चे हमरा चिन्तिहैं ते, हमर परमेश्वर पिताके भी चिन्तिहैं। आबसे तुहेंसब हमर परमेश्वर पिताके चिन्हैछैं, आर ओकरा देख्लहैं भी छे।”
8फिलिप येशूके कहैल्कै, “हे प्रभु, हमरासिके परमेश्वर पिताके दर्शन कर्या द्या। हमेसब सन्तुष्ट भ्याजैबै।” 9येशू ओकरा जबाब देल्कै, “फिलिप हमे तोरसिके संगमे एतनें दिनसे छियौ, आर एखनिहौं तक तुहें हमरा नैचिन्हैछैं? जे कोय हमरा देखल्कै छे ऊ परमेश्वर पिताके देखल्कै छे। ते तुहें केरंके कहैछैं, ‘हमरासिके परमेश्वर पिताके दर्शन कर्या द्या?’ 10हमे परमेश्वर पितामे रहैछियै आर परमेश्वर पिता हमरामे रहैछै। कि तुहें यी बात पर विश्वास नैकरैछैं? हमे खुद आपन अधिकारसे कुछु नैकहैलियै छे। परमेश्वर पिता हमरामे बास करिके उहे करैछै जे ऊ चाहैछै। 11हमरा विश्वास कर कि हमे परमेश्वर पितामे रहैछियै, आर परमेश्वर पिता हमरामे रहैछै। नैते जे चमत्कार हमे कैलियै छे ओकर खातिर हमर विश्वास कर।
12हमे तोरासिके सच कहैछियौ, जे हमरापर विश्वास करैछै, ऊ उटा सभे काम कर्तै जे हमे करैछियै, आर एक्रहौ से बडका-बडका काम कर्तै, कहिनेकी हमे परमेश्वर पिताके लगत जैछियै। 13आर तुहेंसब हमर चेला हुऐके नातासे जे कुछु भी माँग्भैं ते हमे ओकरा पुरा कर्बौ, ताकी एकरासे बेटाके द्वारा परमेश्वर पिताके महिमा प्रकट है। 14यदि तुहेंसब हमर चेला हुऐके नातासे हमरासे कुछु माँग्भैं ते हमे ओकरा पुरा कर्बौ।
परमेश्वरके पवित्र आत्माके भेजैके वादा
15यदि तुहेंसब हमरा प्रेम करैछैं ते हमर आज्ञाके पालन कर्भैं। 16आर हमे परमेश्वर पितासे प्रार्थना कर्बै, आर ऊ तोरसिके संगे सभे दिन रहेवाला सहायक देतौ। 17ऊ पवित्र आत्मा छै, जे परमेश्वरके बारेमे सचके प्रकट करैछै। यी संसारके आदमी पवित्र आत्माके स्वीकार नैकरे सकैछै, कहिनेकी संसारके आदमी पवित्र आत्माके नैते देखैछै नैते चिन्हैछै। मगर तुहेंसब पवित्र आत्माके चिन्हैछैं, कहिनेकी ऊ तोरसिके संगे रहैछौ, आर ऊ तोरासिमे बास कर्तौ।
18हमे तोरासिके अनाथ नैछोड्बौ। हमे तोरसिकेलगत फेर ऐबौ। 19आब कुछु समयके बाद संसारके आदमी हमरा नैदेख्तै, मगर तुहेंसब हमरा देख्भैं। तुहेंसब हमरा देख्भैं कहिनेकी हमे फेरसे जिन्दा भ्याजैबै, आर सेल्याके तहुँसब भी जिन्दा रहभैं। 20जब हमे मुर्दासे जिन्दा हैबै, तब तुहेंसब जानी लेभैं कि हमे हमर परमेश्वर पितामे रहैछियै, आर तुहेंसब हमरामे रहैछैं, आर हमे तोरासिमे रहैछियै। 21जे हमर आज्ञाके जानैछै आर पालन करैछै, ऊ हमरासे प्रेम करैछै। आर जे हमरासे प्रेम करैछै, ओकरासे हमर परमेश्वर पिता प्रेम कर्तै। आर हम्हुँ ओकरासे प्रेम कर्बै, आर हमे अपने आपके ओकरलगत प्रकट कर्बै।” 22तब यहूदा (यहूदा स्करियोत नै, मगर उहे नामके दोसर आदमी) येशूके कहैल्कै, “प्रभु, कहिने तुहें हमरसिके लगत खाली अपने आपके प्रकट कर्भ, मगर संसारके आदमीसिके लगत नै?” 23येशू ओकरा जबाब देल्कै, “हमे अपने आपके एरंके आदमीसिके देखाबैछियै जे हमरासे प्रेम करैछै आर जे हमर शिक्षाके पालन करैछै, हमर परमेश्वर पिता ओकरा प्रेम कर्तै, तब हमे आपन परमेश्वर पिताके साथ ओकरलगत आबिके ओकरसंगे रहबै। 24हमरा प्रेम नैकरेवाला हमर आज्ञाके पालन नैकर्तै। यी बात जे तुहेंसब एखन सुनैछैं उटा हमे खुद आपन अधिकारसे नैकहैलियै छे। यी बात परमेश्वर पिताके तरफसे ऐलै छे, जे हमरा भेजल्कै छे।
25यीसब बात हमे तोरसिके संगमे रहैके समयमे ही तोरासिके कही देलियौ छे। 26मगर सहायक, यानिकी पवित्र आत्मा, जकरा परमेश्वर पिता हमर जगह लियैके लिए भेज्तै, ऊ तोरासिके सभे बात सिखैतौ, आर जे कुछु हमे तोरासिके कहैलियौ छे, उटा सभे बात तोरासिके याद दिलैतौ।
27हमे तोरासिके शान्ति दैछियौ यानिकी उटा शान्ति जे हमरलगत छै। यी ऊ शान्ति नैछै जे संसार दिए सकैछै। तुहेंसब आपन मनमे व्याकुल नैहु आर नैडर।” 28“तुहेंसब हमरा यी कहते सुन्लहैं कि हमे जैछियौ, आर फेर तोरसिकेलगत ऐबौ। यदि तुहेंसब हमरा प्रेम कर्तिहैं ते खुशी मनैतिहैं कि हमे परमेश्वर पिताके लगत जैछियै, कहिनेकी परमेश्वर पिता हमरासे महान छै। 29आब यी सभे बातसब हुऐसे पहलहै हमे तोरासिके कहिदेलियौ छे, आर जब यी बातसब हैतौ तुहेंसब हमरापर विश्वास करे सक्हैं। 30हमरलगत तोरसिसे बात करैके लिए ढेर समय नैबच्लै छे, कहिनेकी यी संसारके मालिक जे शैतान छै ऊ आबैछौ। हमरपर ओकर कोनो शक्ति नैछै। 31हमे ओहिने करैछियै जेरं परमेश्वर पिता हमरा आज्ञा देल्कै ताकी संसारके आदमीसिके पता चलै कि हमे परमेश्वर पितासे प्रेम करैछियै। आब उठ, अपनासब एत्तेसे चल।”

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in