YouVersion Logo
Search Icon

यूहन्ना 17

17
येशूके प्रार्थना
1येशू आपन चेलासिके यी बातसब कहेलके बाद उप्पर स्वर्गमहर देखिके कहैल्कै, “हे पिता, समय ऐलै छे हमे, बेटाके महिमा प्रकट कर, ताकी हमे, बेटा तोर महिमा प्रकट करे सकिहौं। 2कहिनेकी तुहें ओकरा सभे आदमीसिपर अधिकार देल्ह छे, ताकी हमे तोर देल सभे आदमीके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दिए सकियै। 3कहियो खतम नैहुएवाला जीवन यी छै, कि आदमीसब तोरा चिन्हे सकै, यानिकी खाली एक्केटा सच्चा परमेश्वरके आर ऊसब हमरा चिन्हे सकै कि तुहें हमरा, येशू ख्रीष्टके भेज्लह छे। 4जे काम तुहें हमरा करैले देल्ह, ऊ पुरा करिके हमे तोरा यी धर्तीमे महिमित बनैलिहौं छे। 5आब हे पिता, आब तोर उपस्थितिमे हमर महिमा कर, उहे महिमा जे संसारके सृष्टिसे पहेला हमरलगत तोरसंगे रहैके समयमे रहै।”
चेलासिके लिए येशूके प्रार्थना
6“तुहें जे आदमीसिके संसारसे चुनिके हमरा देल्ह, ओकरासिके हमे यी बतैलियै कि तुहें के छह। ऊसब तोर रहै, आर ओकरासिके तुहें हमरा देल्ह, आर ऊसब तोर शिक्षाके पालन कैल्कै छे। 7ओकरासिके आब मालुम छै, हमरलगत भेल सभे कुछु तोरासे मिल्लै छे#१७:७ हमरलगत भेल सभे कुछु तोरासे मिल्लै छे यी भौतिक चीजके बात नैकरैछै। यी ऊ शिक्षा आर चमत्कारके बारेमे छै जे ओकरद्वारा कैल गेलै।8कहिनेकी जे सन्देश तुहें हमरा देल्ह, हमे ओकरासिके देलियै छे, आर ऊसब उटा सन्देशपर विश्वास कैल्कै छे। हमे तोरलगतसे ऐलियै छे कहिके ऊसब सभेको जानैछै, आर तुहें हमरा भेज्लह छे कहिके ऊसब विश्वास कैल्कै छे। 9हमे ओकरसिके लिए प्रार्थना करैछियै, ओकरसिके लिए नै जे संसारसे सम्बन्ध राखैछै, मगर ओकरसिके लिए, जकरा तुहें हमरा देल्ह छे। कहिनेकी ऊसब तोरे छै। 10हमरलगत जतनें चेला छै ऊ सभे तोर छै, आर तोरलगत जतनें छै ऊ हमर छै। आर एकरसिके जीवनके द्वारा हमर महिमा प्रकट भेलै छे। 11आब हमे संसारमे नैरहबै, मगर हमे तोरलगत आबैछिहौं। मगर हमर चेलासब एखनी भी संसारमे छै। हे पवित्र पिता, तोर नामके शक्तिके द्वारा ओकरासिके सुरक्षित राख, जे नाम तुहें हमरा देल्ह छे, ताकी जेरंके अपनासब एक मनके छियै ओहिने ही यीसब भी एक मनके हुए सकै। 12जखनी तक हमे ओकरसिके संगे रहियै, तोर देल नामके शक्तिके द्वारा ओकरासिके हमे रक्षा कैलियै। आर ओकरासिमे ऊ आदमी जे भटकिके जैले चुनल्कै ओकर सिवाय हमे कक्रहौ नाश हुऐले नैदेलियै, ताकी धरमशास्त्रमे जे लिख्ल गेलै रहे उटा पुरा है। 13मगर आब हमे तोरलगत आबैछियै। संसारमे रहैके समयमे ही हमे यी सभे बात कहैछियै, कि ऊसब हमर आनन्दसे पुरा भरि जै। 14हमे ओकरासिके तोर सन्देश देलियै, मगर संसारके आदमीसब ओकरासिके घृणा कैल्कै, कहिनेकी जेरंके हमे संसारसे सम्बन्धित नैछियै, ऊसब भी संसारसे सम्बन्धित नैछै। 15तुहें ओकरासिके संसारसे ल्याजा कहिके हमे प्रार्थना नैकरैछियै, मगर ओकरासिके शैतानसे सुरक्षित राख। 16जेरंके हमे संसारसे सम्बन्धित नैछियै, ऊसब भी संसारसे सम्बन्धित नैछै। 17तोर वचन सच छै। ओकरासिके सच्चाईमे आपन लिए अलग कर। 18जेरंके तुहें हमरा संसारमे भेज्लह छे, हम्हुँ ओकरासिके संसारमे भेज्लियै छे। 19ओकरसिके लाभके खातिर हमे खुदके पवित्र बनाबैछियै, ताकी उहोसब सच्चाई द्वारा पवित्र बने सकै।”
सभे विश्वासीके लिए येशूके प्रार्थना
20हमे खाली यी चेलासिके लिए प्रार्थना नैकरैछियै, मगर एकरसिके संदेशके कारण हमरापर विश्वास करेवालासिके लिए भी प्रार्थना करैछियै, 21कि ऊसब सभेको एक है। हे पिता, जेरंके तुहें हमरामे रहैछ, आर हमे तोरामे रहैछियै, ओहिने करिके ऊसब अपनासिमे रहिके एक है, आर तुहें हमरा भेज्लह छे कहिके संसारके आदमीसब विश्वास करे सकै। 22जे महिमा तुहें हमरा देल्ह छे, हमे ओकरासिके देलियै छे, ताकी जेरंके अपनासब एक मनके छियै ओहिने करिके यीसब भी एक मनके हुए सकै। 23हमे ओकरासिमे आर तुहें हमरामे रहैछ। अहिने करिके ऊसब पुरा रुपसे एक मनके है। एक्रहैसे तुहें ही हमरा भेज्लह छे आर हमरा प्रेम करै जुगुर तुहें ओक्रहौसिके प्रेम कैलह छे कहिके संसारके आदमीसब जाने सकै। 24हे पिता, हमे चाहैछियै, कि तुहें जकरासिके हमरा देल्ह छे, हमे जते छियै उहोसब हमरसंगे रहै, आर हमर महिमाके देखे सकै, जे महिमा संसारके सृष्टि हुऐसे पहलहैसे तुहें हमरा प्रेम करैके कारणसे देल्ह रहे। 25हे धर्मी पिता! संसारके आदमीसब तोरा नैचिन्हैछौं, मगर हमे तोरा चिन्हैछिहौं, आर तुहें हमरा भेज्लह छे कहिके यी चेलासब जानैछै। 26तुहें के छह कहिके हमे ओकरासिके प्रकट कैलिहौं आर प्रकट करैते रहभौं, ताकी जे प्रेमसे तुहेंसब हमरा प्रेम कैलह, उटा प्रेम ओकरासिमे भी रहै, आर हमे ओकरासिमे रहियै।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in