YouVersion Logo
Search Icon

यूहन्ना 20

20
खाली सारा
(मत्ती २८:१-८; मर्कू १६:१-८; लूक २४:१-१२)
1हप्ताके पहेला दिन भोरे-भोर हल्का अनहारहैमे मरियम जे मग्देला सहरके रहै सारामे गेलै। आर ऊ साराके प्रवेश द्वारके बन्द करिके राख्ल बडका पत्थलके हटैल देखल्कै। 2यी देखिके ऊ दौड्ते वापस जैके सिमोन पत्रुस आर येशू जकरा बहुते प्रेम कर्ते रहै, ऊ चेलासिके कहैल्कै, “ऊसब प्रभुके लासके सारासे उठ्याके ल्यागेलै, आर ओकरा कते राखल्कै छे से हमेसब नैजानैछियै।” 3तब पत्रुस आर दोसर चेला भी बाहार निक्लीके सारा महर गेलै। 4ऊ दोनो झन संगहै दौड्लै, मगर दोसर चेला पत्रुससे तेज दौडिके सारामे पहलहै पहुँचलै। 5सारामे लिबिके देख्लके बाद, ऊ येशूके लासके लपेटल मलमलके कपडाके लम्बा चद्दर खाली राख्ल देखल्कै, मगर ऊ भितर नैढुक्लै। 6सिमोन पत्रुस ओकर पाछु-पाछु ऐलै, आर साराके भितर ढुक्लै, आर उहो मलमलके लासके लपेटलवाला कपडाके चद्दर पड्ल देखल्कै। 7ओकर चेहरामे लपेटल मलमलके कपडा संगमे नैरहै, मगर अलग एकटा जगहमे चकतीके राख्ल रहै। 8तब सारामे पहलहै आबेवाला दोसर चेला भी साराके भितर ढुक्लै, आर यी सभे बात देखिके उहो विश्वास कैल्कै कि येशू मुर्दासे जिन्दा भ्याके उठ्लै छे। 9धरमशास्त्रमे येशूके बारेमे यी निश्चित रुपसे लिख्ल गेलै रहे कि येशू आपन मौतसे फेर जिन्दा हैतै, मगर ऊसब एखनतक यी बात बुझे नैसकल्कै रहे। 10तकरबाद ऊ दीटा चेलासब आपन घर वापस गेलै।
येशू मरियम जे मग्देला सहरके रहै ओकरा दर्शन देल्कै
(मत्ती २८:९-१०; मर्कू १६:९-११)
11मगर मरियम जे मग्देला सहरके रहै ओथै साराके बाहार खडा भ्याके कान्ते रहै आर ऊ कान्ते साराके भितरमे लिबिके देखल्कै। 12ते ऊ देखल्कै कि जते येशूके लास राख्ल गेलै रहे, ओत्ते उजरा कपडा लगैल दीटा स्वर्गदूतके एकटा सिरौना महर आर एकटा पैर महर बैठ्ल रहै। 13ऊसब मरियमके पुछल्कै, “हे बहिन, तुहें कहिने कानैछैं?” ऊ जबाब देल्कै, “ऊसब हमर प्रभुके शरीरके उठ्याके ल्यागेलै छे, आर ओकरा कते राखल्कै छे से हमे नैजानैछियै।” 14यी सभे बात कहेलके बाद ऊ पाछु महर घुम्लै, आर ऊ येशूके खडा भेल देखल्कै, मगर ऊ येशू ही छै कहिके नैचिन्हल्कै। 15येशू ओकरा कहैल्कै, “हे बहिन, तुहें कहिने कानैछैं? तुहें ककरा खोजैछैं?” मरियम ओकरा माली सम्झिके कहैल्कै, “हे हौ, अगर तुहें ओकर शरीरके एत्तेसे ल्यागेलह छे ते, कते राख्लह छे हमरा कह, आर हमे ओकर लासके ल्याजैबै।” 16येशू ओकरा कहैल्कै, “मरियम!” येशूके आवाज सुनिके घुमिके ओकरा ऊ हिब्रू भाषामे कहैल्कै, “रब्बोनी!” जकर मतलब “गुरुजी!” छै। 17येशू ओकरा कहैल्कै, “हमर चरणके पक्डीके हमरा नैरोक, कहिनेकी हमे एखनतक पिताके लगत नै गेलियै छे। मगर हमर भ्या-बहिनसिके लगत जैके कहिदहैं, ‘हमर पिता आर तोरसिके पिता, हमर परमेश्वर आर तोरसिके परमेश्वरके लगत हमे जैछियै।’ ” 18तब मरियम जे मग्देला सहरके रहै जैके चेलासिके सुनैल्कै, “हमे प्रभुके देख्लियै!” आर ऊ प्रभुके कहेल सभे बात ओकरासिके सुनैल्कै।
येशू चेलासिके दर्शन देल्कै
(मत्ती २८:१६-२०; मर्कू १६:१४-१८; लूक २४:३६-४९)
19हप्ताके पहेला दिन सझौवा, जब यहूदी आदमीसिके अगुवासिके डरसे सभे चेलासब एक साथ जमा भ्याके केबाडसब बन्द करिके बैठ्ल रहै, तखनिहैं येशू अचानक आबिके ओकरसिके बिच्चेमे खडा भेलै, आर ओकरासिके कहैल्कै, “तोरासिके शान्ति मिलौ!” 20एतनें कहिके ऊ ओकरासिके आपन हात आर पाँजरके घा देखैल्कै। प्रभुके देखिके चेलासब बहुते खुश भेलै। 21तब येशू फेर ओकरासिके कहैल्कै, “तोरासिके शान्ति मिलौ! जेरंके पिता हमरा संसारमे भेजल्कै छे, ओहिने करिके हमे भी तोरासिके संसारमे भेजैछियौ।” 22आर एतनें कहिके ऊ ओकरसिके उप्पर आपन साँस फुकिके कहैल्कै, “पवित्र आत्मा ले। 23जकर पापसिके तुहेंसब माफ कर्भैं, ओकरसिके पापसब माफ भेलै छे, आर जकर पापसिके तुहेंसब माफ नैकर्भैं ओकर पापसब माफ नैभेलै छे।”
थोमाके येशूके दर्शन
24जखनी येशू ओत्ते ऐलै रहे, तखनी बार चेलासिमेसे, थोमा जे “जोडमा” कहलैते रहै ओत्ते नैरहै। 25जब दोसर चेलासब ओकरा कहैल्कै, “हमेसब प्रभुके देख्लियै।” मगर थोमा ओकरासिके कहैल्कै, “जबतक हमे ओकर हातके काँटीके घाके दाग नैदेख्बै, आर आपने आङगुरसे काँटीके घाके दाग नैछुवै, आर हमर हातसे ओकर पाँजरमे हमर हात द्याके नैदेख्बै, तबतक हमे विश्वास नैकर्बै कि ऊ मुर्दासे जिन्दा भेलै छे।”
26एक हप्ताके बाद येशूके चेलासब फेर घरके भितरमे रहै। थोमा भी ओकरेसिके संगे रहै। केबाडसब बन्द रहै, तब येशू आबिके बिच्चेमे खडा भ्याके कहैल्कै, “तोरासिके शान्ति मिलौ!” 27तब येशू थोमाके कहैल्कै, “आपन आङगुरसे हमर हात छुबिके देख। आर आपन हात बढ्याके हमर पाँजरमे राख। शंका करैले बन्द कर मगर विश्वास कर कि हमे जिन्दा छियै।” 28यी सुनिके थोमा ओकरा जबाब देल्कै, “हे हमर प्रभु, हे हमर परमेश्वर!” 29येशू ओकरा कहैल्कै, “तुहें हमरा देखिके विश्वास कैल्हैं छे। धन्य छै ऊसब, जेसब हमरा नैदेखल्कै तैय्योपर विश्वास कैल्कै छे।”
यी किताब यूहन्ना कहिने लिखल्कै
30येशू आरहौ बहुते चमत्कार आपन चेलासिके समनामे कैल्कै, जे यी किताबमे नैलिख्ल छै। 31मगर यी इहे ल्याके लिख्ल गेलै छे, कि तुहेंसब येशू परमेश्वरके बेटा, ख्रीष्ट छै कहिके ओकरापर विश्वास करिके ओकर नामसे तोरासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिलौ।

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in