यूहन्ना 19
19
येशूके मृत्युदण्ड
1तब राज्यपाल पिलातस सिपाहीसिके आदेश देल्कै कि येशूके लज्याके ओकरा कोडासे मारै। 2कोडा लगैलके बाद सिपाहीसब येशूके काँटके मकुट आर बैगनी रंगके राजाके लगाबेवाला जुगुर कपडा पिन्हया देल्कै, 3आर ओकरलगत आबिके सिपाहीसब कहैल्कै, “यहूदी आदमीसिके राजा अमर रहै।” आर मजाक उडैते ओकरा थप्पड लगैल्कै। 4फेर रोमी राज्यपाल पिलातस बाहार निक्लीके ओकरासिके कहैल्कै, “देख ओकरा फेर हमे तोरसिकेलगत आनैछियौ, आर तोरासिके हमे बताबैले चाहैछियौ कि यी आदमीमे हमे कोनो दोष नैपैलियै।”
5तब काँटके मकुट आर बैगनी रंगके कपडा पिन्हल येशू बाहार आन्ल गेलै, आर रोमी शासक राज्यपाल पिलातस ओकरासिके कहैल्कै, “यी आदमीके देख।” 6प्रमुख पुजारीसब आर परमेश्वरके मन्दिरके पहरदारसब येशूके देख्लहैं साथ हल्ला करि-करिके कहे लाग्लै, “एकरा क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मार! क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मार!” रोमी राज्यपाल पिलातस ओकरासिके कहैल्कै, “तुहींसब एकरा लज्याके क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मार। हमे ते एकरा जानसे मारैके कोनो दोष नैदेखैछियै!” 7यहूदी आदमीसिके अगुवासब ओकरा जबाब देल्कै, “हमरसिके विधि-विधानमे एकटा नियम छै जकर मुताबिक यी आदमीके मौतके हकदार छै, कहिनेकी यी अपने आपके परमेश्वरके बेटा कहैल्कै छे।” 8जब रोमी राज्यपाल पिलातस यी बात सुनल्कै ते, ऊ बहुते ही ज्यादा डरी गेलै। 9ऊ फेर दरबारके भितरमे गेलै आर येशूके पुछल्कै, “तुहें कतेसे ऐल्हैं छे?” मगर येशू ओकरा कोनो जबाब नैदेल्कै। 10सेल्याके राज्यपाल पिलातस ओकरा कहैल्कै, “कि तुहें हमरसे बोलैले नैचाहैछैं? तोरा छोडी दियैके अधिकार हमरलगत छै, आर तोरा क्रूसमे टाँगैके अधिकार भी हमरलगत छै कहिके तोरा मालुम नैछौ?” 11येशू ओकरा जबाब देल्कै, “यदि तोरा यी अधिकार परमेश्वरके तरफसे नैदेल जैतिहौं ते हमरापर तोर कोनो अधिकार नैहैतिहौं। सेल्याके हमरा तोर हातमे सौंपेवाला आरहौ बडका पापके दोषी छै।”
12यी बात सुनिके रोमी राज्यपाल पिलातस ओकरा छोडैले आरहौ बेसी कोशिश करे लाग्लै। मगर यहूदी आदमीसिके अगुवासब एरं कहिके हल्ला करि-करिके कहते रहै, “अगर तुहें यी आदमीके छोडिदेभ ते तुहें रोमी महाराजाके दोस्त नैछह। जे कोय भी राजा हुऐके दावा करैछै ऊ रोमी महाराजाके दुश्मन छै।” 13यीसब बात सुनिके राज्यपाल पिलातस येशूके बाहार आनल्कै, आर ऊ फैसला करेवाला आसनके सिंहासनपर बैठ्लै, जे कि पत्थलके चबुतरा नामके जगहमे रहै (जकरा हिब्रू भाषामे “गब्बथा” कहैछै)। 14उटा दिन निस्तार पावनके हप्ताके यहूदी आदमीसिके विश्राम दिनके तैय्यारीके दिन रहै। तखन दिपहरियाके समय रहै। न्याय आसनमे बैठ्लके बाद राज्यपाल पिलातस यहूदी आदमीसिके अगुवाके कहैल्कै, “तोरसिके राजाके देख!” 15मगर ऊसब जोर-जोरसे हल्ला करिके कहे लाग्लै, “ओकर जान मार, ओकर जान मार! ओकरा क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मार।” रोमी शासक राज्यपाल पिलातस ओकरासिके पुछल्कै, “कि हमे तोरसिके राजाके क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मारि दियौ?” प्रमुख पुजारीसब जबाब देल्कै, “रोमी महाराजाके सिवाय हमरसिके आर कोय दोसर राजा नैछै।” 16तब राज्यपाल पिलातस येशूके क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मारैके लिए ओकरसिके हातमे सौंपी देल्कै। तब सिपाहीसब येशूके आपन नियन्त्रणमे लेल्कै।
येशूके क्रूसमे चढैल गेलै
(मत्ती २७:३२-४४; मर्कू १५:२१-३२; लूक २३:२६-४३)
17ऊसब येशूके आपन क्रूस आपनहैं उठवैल्कै आर ओकरा यरूशलेम सहरसे बाहार “खोपडीके स्थान” नामके जगहमे ल्यागेलै, जे जगहके हिब्रू भाषामे “गलगथा” कहैछै। 18उटा जगहमे पहुँचीके ऊसब ओकरा क्रूसमे काँटी ठोकिके टाँगल्कै आर ओकर संगमे आरहौ दीटा आदमीसिके अलग-अलग क्रूसमे काँटी ठोकिके टाँगल्कै, एकटाके दहिना बगल आर दोसरके बायाँ बगल आर बिच्चेमे येशूके काँटी ठोकिके टाँगल्कै। 19राज्यपाल पिलातस एकटा दोष-पत्र लिखिके येशूके मथाके उप्परमे क्रूसपर टाँगल्कै। आर ओकरामे एरं लिख्ल रहै, “नासरत गाँवमे रहेवाला येशू, यहूदी आदमीसिके राजा।” 20बहुते यहूदी आदमीसब यी दोषपत्र पढल्कै, कहिनेकी येशूके जते क्रूसमे काँटी ठोकिके टाँगल्कै रहे उटा जगह यरूशलेम सहरसे नज्दिकमे रहै। यी दोष-पत्र हिब्रू भाषा, यूनानी भाषा आर ल्याटीन भाषामे लिख्ल रहै। 21यहूदी आदमीसिके प्रमुख पुजारीसब राज्यपाल पिलातसके कहैल्कै, “यहूदी आदमीसिके राजा” कहिके नैलिख, मगर यी लिख “यी आदमी खुदके हमे यहूदी आदमीसिके राजा छियै कहिके कहैछै।” 22रोमी राज्यपाल पिलातस जबाब देल्कै, “यी जेरं लिख्ल छै ओहिने रहतै एकरा आब बदल्ल नैजैतै।” 23जब सिपाहीसब येशूके क्रूसमे टाँगल्कै, तब ऊसब ओकर कपडा ल्याके चारो सिपाहीसब एक-एक हिस्सा लेल्कै। ओकर बाहरी कपडा भी लेल्कै, मगर उटा बाहरी कपडा सिलैल नैरहै, मगर उप्परसे निच्चातक बुन्ल कपडाके एक्केटा टुकरासे बन्ल रहै। 24सेल्याके सिपाहीसब एक-दोसरके कहैल्कै, “एकरा नैचिर, मगर यी ककर हैतै कहिके चिट्ठा लगा।” धरमशास्त्रमे जे लिख्ल गेलै रहे उटा सच है कहिके यी बात भेलै रहे:
“ऊसब हमर कपडा एक-दोसरामे बाँटल्कै,
आर हमर बाहरी कपडाके लिए चिट्ठा लगैल्कै।”
25सेल्याके सिपाहीसब ओहिने कैल्कै। येशूके क्रूसके नज्दिक ओकर मयाँ, ओकर मयाँके बहिन, क्लोपासके पतनी मरियम आर मरियम जे मग्देला सहरके रहै ऊसब ओत्ते खडा रहै। 26जब येशू आपन मयाँके आर ओकर प्रेम कैल चेलाके नज्दिकमे खडा भेल देखल्कै, तब ऊ आपन मयाँके कहैल्कै, “हे मयाँ, देख! यी तोर बेटा छौ!” 27तब ऊ चेलाके भी येशू कहैल्कै, “देख! यी तोर मयाँ छौ।” आर उहे दिनसे ऊ चेला येशूके मयाँ मरियमके आपन घरमे ल्यागेलै आर ओकर देखभाल कैल्कै।
येशूके मौत
(मत्ती २७:४५-५६; मर्कू १५:३३-४१; लूक २३:४४-४९)
28एकरबाद येशू यी जानीके कि ऊ आपन सभे काम पुरा करिदेल्कै छे ऊ धरमशास्त्रके बात पुरा है कहिके कहैल्कै, “हमरा प्यास लाग्लै छे।” 29ओत्ते खट्टा अंगुरके मद्दसे भर्ल एकटा वर्तन राख्ल रहै। सिपाहीसब एकटा स्पन्ज हिसप गाछके ठ्यारीमे बान्हिके खट्टा अंगुर मद्दमे डुब्याके ओकर मुखमे पहुँच्या देल्कै। 30येशू उटा चाखल्कै आर कहैल्कै, “पुरा भ्यागेलै” आर ऊ आपन मुडा झुक्याके मरि गेलै।
31उटा दिन तैय्यारीके दिन रहै आर अगला दिन यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिन आर निस्तार पावन दोनो रहै। यी यहूदी आदमीसिके लिए एकटा विशेष दिन रहै, आर ऊसब नैचहते रहै कि यी दिनके दौरान लास क्रूसमे रहै। सेल्याके ऊसब राज्यपाल पिलातसके कहैल्कै कि ऊ आदमीसिके पैर तोड्या दै ताकी ओकरसिके मौत जल्दी भ्याजै आर लासके निच्चा उतार्ल ज्या सकै। 32तब सिपाहीसब आबिके येशूके संगे क्रूसमे काँटी ठोकिके टाँग्ल दोनो आदमीसिके पैर तोडल्कै। 33जब ऊसब येशूके लगत ऐलै ऊसब देखल्कै, कि ओकर मौत पहलहै भ्यागेलै रहे, सेल्याके ऊसब ओकर पैर नैतोडल्कै। 34मगर एकटा सिपाही ओकर पाँजरमे भाला भोकी देल्कै, आर तुरन्ते ओकरासे खून आर पानी निक्ले लाग्लै। 35जे आदमी यीसब देखल्कै, ऊ गवाही देल्कै छे, ताकी तुहें भी येशूपर विश्वास करे सक्हैं। आर ओकर गवाही#१९:३५ ओकर गवाही यी गवाह यूहन्ना आपनहैं छै। सच छै। आर ऊ जानैछै कि ऊ सच्चाईसे बोलैछै। 36यी बातसब इहे ल्याके भेलै ताकी धरमशास्त्रमे जे लिख्ल छै उटा सच भ्याजै,
“ओकर एक्कोटा हड्डी भी नै टुट्तै।”
37आर फेर दोसर जगहमे धरमशास्त्र एरं कहैछै,
“जकरा ऊसब भोकल्कै छे, ऊसब ओकरा देख्तै।”
येशूके शरीरके दफन
(मत्ती २७:५७-६१; मर्कू १५:४२-४७; लूक २३:५०-५६)
38तकरबाद अरिमाथिया सहरसे ऐल योसेफ नामके एकटा चेला रहै। यहूदी आदमीसिके अगुवासिके डरसे ऊ गुप्त रुपमे येशूके चेला बन्ल रहै। ऊ राज्यपाल पिलातस लगत जैके येशूके लास लजाबैके अनुमति माँगल्कै। ऊ राज्यपाल पिलातससे अनुमति ल्याके येशूके लासके क्रूससे निच्चा उतारिके ल्यागेलै। 39येशूके राती भेट करैले ज्यावाला निकोदेमस भी योसेफसंगे रहै। ऊ लगभग तेत्तिस किलो मुर्र नामके गमकौव्वा तेल आर मोसब्बरके गमकौव्वा मिश्रण ल्याके ओत्ते ऐलै। 40ऊ दीटा आदमीसब येशूके लासके लज्याके यहूदी आदमीसिके गाडैके नियमके अनुसार, ऊसब मलमलके कपडाके लम्बा चद्दरमे मुर्र नामके गमकौव्वा तेल आर मोसब्बरके गमकौव्वा मिश्रण लग्याके येशूके शरीरके लपेटल्कै। 41जते येशूके क्रूसमे काँटी ठोकिके टाँगल्कै रहे, उटा जगहके नज्दिकमे एकटा बगिच्चा रहै। उटा बगिच्चामे एकटा नया सारा बनैल रहै, जकरामे कहियो कोनो लास नैराख्ल रहै। 42सेल्याके ऊसब येशूके लासके उहे साराके गुफामे राखी देल्कै कहिनेकी उटा सारा नज्दिकमे रहै आर यहूदी आदमीसिके विश्राम दिनके तैय्यारीके दिन भी रहै।
Currently Selected:
यूहन्ना 19: KYVNT
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.