युहन्‍ना 5

5
येसु लकबा मारल लोकके निक करल्‍कै
1कुछदिन बाद यहुदीसबके एकटा पाबैनमे येसु यरुसलेम गेलै। 2यरुसलेम सहरमे भेरा-केबारके लगमे एकटा पोखैर छेलै। जकरा हिबरु भसामे बेथस्‍दा कहैछै, जकर चारुकात पाँचटा दलान छेलै। 3ओते अन्‍हरा, नेङरा, लकबा मारल बहुतो लोकसब परल रहैछेलै। [उसब कोन बखत पोखैरके पानी हिलाइतै तै आसमे असियाल रहैछेलै। 4कथिलेत परमपरभुके एकटा दुत समय समयमे पोखैरमे आइबके पानीके हिल्‍यादैछेलै आ पानी हिलैत मातर जे सबसे पहिने पानीमे जाइछेलै, ओकरमे भेल सब परकारके रोग-बिमार निक भ्‍याजाइछेलै।]
5ओते एकटा लोक छेलै, जे अरतिस बरिससे बिमार छेलै। 6जब येसु ओकरा सुतल देखल्‍कै, तब उ बहुत बरिससे बिमार छै से बात जाइनके ओकरा पुछल्‍कै, “कि तु निक हैले चाहैचिही?”
7तब उ बिमार लोक येसुके जबाफ देल्‍कै, “गुरु जी, जखैन पानी उछलैछै तखैन हमरा पोखैरमे लजाइबला कोइ नै छै। हम कोसिस कैरते रहैचियै महज हमरसे पहिने दोसरे लोक पानीमे चैलजाइछै।”
8तकरबाद येसु ओकरा कहल्‍कै, “उठ आ आपन बिछौना बोइकके चल।” 9तखुन्‍ते उ लोक निक भेलै आ आपन बिछौना बोइकके चल-फिर करे लाग्‍लै। जे दिन यि घटना भेलै उ बिसरामके दिन छेलै। 10तैखातिर यहुदी अगुवासब निक भेल लोकके कहल्‍कै, “आइके त बिसरामके दिन चियौ, बेबस्‍था अनुसार तोरा बिछौना नै बोकैके चाही।” #नहेम्‍याह १३:१९, यरमिया १७:२१
11महज उ लोक जबाफ देल्‍कै, “जे लोक हमरा निक करल्‍कै ओह्‍या लोक हमरा ‘बिछौना बोइकके चल’ कहल्‍कै।”
12उसब ओकरा कहल्‍कै, “तोरा बिछौना बोइकके चल कहैबला लोक के चियै?”
13महज उ के छेलै से निक भेल्‍हा लोक नै चिन्‍हैछेलै, कथिलेत ओइ ठाममे भिर भेलासे येसु ओतेसे चैलगेलै।
14कुछ देरके बाद येसु उ लोकके मन्‍दिरमे भेटके कहल्‍कै, “देख, तु निक करल गेलचिही। आबसे फेनो पाप नै कर, नै त तोहर उपर औरो खराब अबस्‍था आइबजेतौ।”
15तकरबाद उ लोक यहुदी अगुवासब लग ज्‍याके “हमरा निक करैबला त येसु चियै” कहैके सुनाइल्‍कै। 16तैल्‍याके यहुदी अगुवासब येसुके सताबे लाग्‍लै, कथिलेत उ यि काम बिसराम दिनमे करने छेलै। 17महज येसु उसबके जबाफ देल्‍कै, “हमर पिता अखनियोतक काम कैरते छै आ हम्‍हु काम कैरते चियै।”
18यि बात सुइनके यहुदी अगुवासब औरो येसुके मारैले ताकैछेलै, कथिलेत उ बिसराम दिन भङ मातरे नै, महज परमेस्‍वरके आपन पिता कैहके अपने-आपके परमेस्‍वरके समान ठहराइछेलै।
येसुके अधिकार
19तब येसु ओइसबके जबाफ देल्‍कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, बेटा स्‍वयम आपनेसे कुछो करे नै सकैछै, महज पिताके जे करैत देखैछै, उ ओह्‍या मातरे करे सकैछै, कथिलेत पिता जे-जे करैछै, बेटो ओह्‍या-ओह्‍या करैछै। 20कथिलेत पिता बेटाके परेम करैछै आ पिता आपनेसे करलहा सबकाम बेटाके देखाइछै। पिता अहौसे बेसी महान काम बेटाके देखाइतै आ तुसब छक परबिही। 21कथिलेत जहिनङ पिता मरलाहासबके जियाबैछै आ ओकरासबके जिबन दैछै, तहिनङ बेटो जकरा मन करैछै तकरा जिबन दैछै। 22कथिलेत पिता ककरो नियाइ नै करैछै, महज नियाइ करैबला सब अधिकार बेटाके देनेछै, 23ताकि सबकोइ बेटाके आदर करे, जनङ उसब पिताके आदर करैछै। जे कोइ बेटाके आदर नै करैछै, उ लोक बेटाके पठाइबला पितोके आदर नै करैछै।
24 “हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे हमर बचन सुनैछै आ हमरा पठाइबलाके उपर बिस्‍बास करैछै, ओकरसङे अनन्‍त जिबन छै। उ नियाइमे नै परतै, महज मिरतुसे पार भ्‍याके उ जिबनमे परबेस करने छै। 25हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, उ समय आइबरहल छौ आ आइबगेल छौ, जब मरलहा लोकसब परमेस्‍वरके बेटाके अबाज सुन्‍तै आ जे कोइ ओकर अबाज सुन्‍तै सेसब बाच्‍तै। 26कथिलेत जहिनङे पिता आपनेमे जिबनके मुल चियै, तहिनङे उ आपन बेटोके जिबनके मुल बनाइनेछै, 27आ ओकरा नियाइयो करैबला अधिकार देनेछै, कथिलेत उ मानबके बेटा चियै। 28तैखातिर तुसब अचम नै मान, कथिलेत समय आइबरहल छौ जब सब मरल लोकसब चिहानमे ओकर अबाज सुन्‍तै, 29आ चिहानसे बाहर निकैलके एतै। निक काम करैबलासब अनन्‍त जिबनके लेल आ दुस्‍ट काम करैबलासब अनन्‍त दन्‍डके लेल जि के उठतै।#दानिएल १२:२
30 “हम आपनेसे कुछो करे नै सकैचियै। हम पितासे जे सुनैचियै, ओह्‍या अनुसार हम नियाइ करैचियै आ हमर नियाइ ठिक छै, कथिलेत हम आपन इक्‍छा नै महज हमरा पठाइबलाके इक्‍छा अनुसार करैचियै।
येसुके बारेमे गबाही
31 “यदि हम आपने बारेमे गबाही देबै त, हमर गबाही सत नै हेतै। 32महज कोइ दोसर गोरा हमर बारेमे गबाही दैछै आ हम जानैचियै कि, हमर बारेमे उ जे गबाही दैछै उ सत छै।
33 “तुसब बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍ना लग पुछैले पठेल्‍ही, तब उ सतके गबाही देल्‍कै। # युहन्‍ना १:१९-२७, ३:२७-३० 34हमरा कोनो लोकके गबाहीके जरुरी नै छै, महज हम यि बात अहै खातिर कहैचियौ कि तोरासबके उदार हेबे। 35युहन्‍ना त बरैबला आ चम्‍कैबला चिरखा छेलै आ कुछ समयतलिक ओइके इजोतमे आनन्‍द मनाइले राजी भेल्‍ही।
36 “महज युहन्‍नाके देल गबाहीयोसे बरका गबाही हमरलग छै। कथिलेत जे काम पुरा करैके लेल पिता हमरा देने छै, उ काम हम करैचियै आ ओह्‍या कामसब हमर बारेमे गबाही दैछै कि, पिते हमरा पठाइने छै। 37ओतबे नै, हमरा पठाबैबला पिता आपनेसे हमर बारेमे साक्‍छी देने छै। तुसब नै त ओकर अबाज सुन्‍ने चिही नै त ओकर रुपे देख्‍नेचिही #मती ३:१७, मरकुस १:११, लुका ३:२२ 38ओकर बचन तोरासबके मनमे नै रहैछौ, कारन जकरा उ पठेल्‍कै तुसब ओकरमे बिस्‍बास नै करैचिही। 39तुसब यि सोइचके धरमसास्‍तर निकसे परहैचिही कि, ओइमे अनन्‍त जिबन छै, महज एह्‍या धरमसास्‍तर हमर बारेमे गबाही दैछै। 40तैयो तुसब अनन्‍त जिबन पाबैके लेल हमरलग आबैले नै चाहैचिही।
41 “हम लोकसबसे परसन्‍सा नै चाहैचियै, 42महज हम जानैचियौ कि, परमेस्‍वरके परेम तोरासबके मनमे नै छौ। 43हम आपन पिताके नाममे एलचियौ, महज तुसब हमरा सुइकार नै करैचिही। यदि कोइ आपने नाममे आबैछौ त, तुसब ओकरा सुइकार करैचिही। 44तुसब एक-दोसरसे आदर खोजैचिही, महज परमेस्‍वरसे ल्‍याल आदरके कोनो वस्‍ते नै करैचिही त, तुसब कनङके बिस्‍बास करे सकबिही?
45 “यि नै सोच कि, हम तोरासबके पिताके अगा दोस लगाइबौ। तोरासबके दोस लगाइबला त मोसा चियौ, जकरामे तुसब आस करनेचिही। 46यदी तुसब मोसाके बिस्‍बास करनेरहतिही त हमरो बिस्‍बास करतिही, कथिलेत उ हमरे बारेमे लिखने छेलै। 47महज तुसब ओकर लिखल बातसबमे बिस्‍बास नै करैचिही त, हमर कहल बात कनङके बिस्‍बास करबिही?”

Subratllat

Comparteix

Copia

None

Vols que els teus subratllats es desin a tots els teus dispositius? Registra't o inicia sessió