युहन्‍ना 6

6
येसु पाँच हजार लोकसबके खियेल्‍कै
(मती १४:१३-२१, मरकुस ६:३०-४४, लुका ९:१०-१७)
1तकरबाद येसु गालिल तालके ओइपार गेलै। ओकरा तिबेरियस ताल सेहो कहैछेलै। 2लोकसबके बरका भिर येसुके पछा-पछा जाइलेलाग्‍लै, कथिलेत रोगी-बिमारीसबके उपर करलहा येसुके अचमके कामसब उसब देखने रहै। 3तब येसु पहाड़मे ज्‍याके आपन चेलासबसङे ओतै बैठलै। 4तै बखत यहुदीसबके निस्‍तार पाबैन लगचियाल छेलै।
5जब येसु नजैर पसाइरके ताकल्‍कै त लोकसबके बरका भिर आपन दिसन आबैत देखके फिलिपके पुछल्‍कै, “अकरासबके खियाइले अपनासब कतेसे रोटी आनबिही?” 6यि बात फिलिपके मन जाचैके लेल कहने छेलै, कथिलेत येसु जे करैले ज्‍यारहलछेलै, से आपनेसे जानैछेलै। 7फिलिप ओकरा जबाफ देल्‍कै, “दुइ सय चानीके डलरसे किनल रोटी कन्‍हिको-कन्‍हिको देतै तैयो ओइसबके नै पुग्‍तै।”
8ओकर चेलासबमेसे एक गोरे सिमोन पतरुसके भाइ अन्‍दरियास कहल्‍कै, 9“अते एकटा छौरा छै जकरसङे जौ के पाँचटा रोटी आ दुइटा माछ छै, महज अतेक लोकसबके लेल अतनेहेकसे कथी हेतै?”
10येसु चेलासबके कहल्‍कै, “लोकसबके बैठैले लगा।” ओते बहौत घासबला जगह छेलै आ लोकसब ओहैमे बैठलै। ओते लगभग पाँच हजार जतेक मरद-पुरुखसब छेलै। 11तब येसु उ रोटी ल्‍याके परमेस्‍वरके धन्‍यबाद देल्‍कै आ बैठलहा लोकसबके खाइके लेल चेलासबके परसैले लगाइल्‍कै, तहिनङे माछोके परसैले लगाइल्‍कै। उ सबलोक अघा-अघाके खेल्‍कै। 12उसब अघा-अघाके खेलाके बाद येसु आपन चेलासबके कहल्‍कै, “उगरल खुन्‍डा-खुन्‍डीसब बिछके राख, ताकि एकोटा जियान नै हेबे।” 13उसब ओह्‍या पाँचटा जौके रोटी खियाके उगरल खुन्‍डा-खुन्‍डीसब बिछल्‍कै त बारह चङेरा भेलै।
14तब उ लोकसब येसुके करल अजगुतके काम देखके कहेलाग्‍लै, “अपनासबके आस करल सन्‍सारमे आबैबला अगमबक्‍ता साँचोके एह्‍या चियै।” 15लोकसब आइबके जबरदस्‍ती ओकरा रजा बनाबैले ल्‍याजेतै से जाइनके येसु फेनो असगरे पहार दिसन चैलगेलै।
येसु पानीके उपरमे चलैछै
(मती १४:२२-२३, मरकुस ६:४५-५२)
16जब साँझ परलै तब येसुके चेलासब निचा ताल दिसन गेलै। 17उसब नाहमे चहैरके तालके ओइपार कफरनहुम सहर दिसन जाइले लाग्‍लै। ओइ बखत अन्‍हार भेल छेलै, तैयो येसु ओइसबलग नै एल रहै। 18हबा जोरसे बहैतरहै आ तालके पानी उछलेलाग्‍लै। 19चेलासब पाँच-छ किलोमिटर नाहके चल्‍याके गेलाकेबाद येसुके तालके पानी उपरमे चैलके नाहलग आबैत देखल्‍कै आ उसब एकदमसे डर्‌यागेलै। 20महज येसु ओइसबके कहल्‍कै, “हम्‍ही चियौ, नै डरा।” 21यि सुइनके उसब खुसिसाथ ओकरा नाहमे चरहेल्‍कै आ उसबके जाइबला ठाममे नाह तुरन्‍ते पुग्‍लै।
22तालके कातमे एकेटा नाह मातरे छेलै आ आपन चेलासबसङे येसु ओइ नाहमे नै चरहल रहै, महज ओकर चेलासब मातरे चरहल छेलै कैहके तालके ओइपार ठारभेल लोकसबके काइलखिनाके भोरे याद परलै। 23तब तिबेरियास सहरसे औरो नाहसब ओइ ठामलग एलै, जते येसु परमेस्‍वरके धन्‍यबाद द्‍याके लोकसबके रोटी खियाइने छेलै। 24जब भिरके लोकसब ओते नै त येसुके आ नै त ओकर चेलेसबके देखल्‍कै, तब उसब नाहमे चहैरके कफरनहुम सहर दिसन येसुके ताकैले गेलै।
येसु जिबन दैबला रोटी चियै
25लोकसब तालके ओइ कात येसुके कहल्‍कै, “गुरु जी, अहाँ अते कहिया एलियै?”
26येसु ओइसबके जबाब देल्‍कै, “हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, तुसब अचमके कामसब देखके नै महज रोटी ख्‍याके अगहेलासे हमरा ताकैचिही। 27नास हैबला भोजनके खातिर मेहनत नै कर महज अनन्‍त जिबन तक रहैबला भोजनके लेल मेहनत कर, जे मानबके बेटा तोरासबके देतौ। कथिलेत परमेस्‍वर पिता ओकर उपर आपन छाप लगादेनेछै।”
28तब उसब ओकरा कहल्‍कै, “आब परमेस्‍वरके काम करैके लेल हमरासबके कथी करेपरतै?”
29येसु ओइसबके जबाब देल्‍कै, “परमेस्‍वरके काम एह्‍या चियै, जे ओकरा पठाइने छै ओकर उपर बिस्‍बास कर।”
30उसब फेनो ओकरा कहल्‍कै, “अहाँ कोन अचमके काम देखाइबै, जे देखके हमसब बिस्‍बास करब? अहाँ कथी करबै? 31आपन पुरखासब उजार जगहमे मन्‍न खेल्‍कै, जनङ धरमसास्‍तरमे लिखल छै कि, ‘उ ओकरासबके खाइके लेल स्‍वरगसे रोटी देल्‍कै।’”#परस्‍थान १६:४,१५, भजनसङगरह ७८:२४
32यि बात सुइनके येसु ओइसबके कहल्‍कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, मोसा तोरासबके स्‍वरगके रोटी नै देनेछौ, महज हमर पिता तोरासबके स्‍वरगके साँचोके रोटी देतौ। 33कथिलेत परमेस्‍वरके रोटी ओह्‍या चियै, जे स्‍वरगसे आइबके सन्‍सारके जिबन दैछै।”
34उसब ओकरा कहल्‍कै, “परभु, एह्‍या रोटी हमरासबके सबदिन दिय!”
35तब येसु फेनो उसबके कहल्‍कै, “जिबनके रोटी हम्‍ही चियौ। जे हमरलग एतै उ कहियो नै भुखल रहतै आ हमरमे बिस्‍बास करैबला कहियो नै पियासल रहतै। 36महज हम तोरासबके कैह देनेचियौ, तुसब हमरा देखियोके बिस्‍बास नै करैचिही। 37जकरा पिता हमरा देनेछै उ हमरलग एतै आ जे कोइ हमरलग एतै ओकरा हम कहियो नै छोरबै। 38हमर आपन इक्‍छा नै महज हमरा पठाइबलाके इक्‍छा पुरा करैले हम स्‍वरगसे एलचियै। 39हमरा पठाइबलाके इक्‍छा यि चियै, कि उ हमरा देल्‍हासबमेसे हम ककरो नै नास हैले देबै, महज अन्‍तके दिनमे उसबके जियाइबै। 40कथिलेत हमर पिताके इक्‍छा यि चियै, कि बेटाके ताकैबला आ ओकरा बिस्‍बास करैबला सबकोइ अनन्‍त जिबन पाबे। हम ओकरा अन्‍तके दिनमे मरलसे जिबित करबै।”
41अतबेहेकमे यहुदीसब ओकर बिरोध करैत गनगनाबे लाग्‍लै, कथिलेत उ कहल्‍कै, “स्‍वरगसे उतैरके एल रोटी हम्‍ही चियौ।” 42उसब कहल्‍कै, “कि यि लोक योसेफके बेटा, येसु नै चियै? कि हमसब अकर माँ-बाबुके नै चिन्‍हैचियै? तब अखैन यि लोक कनङके, ‘हम स्‍वरगसे उतैरके एलचियौ’ कहैछै त?”
43येसु ओइसबके जबाब दैत कहल्‍कै, “तुसब आपसमे गनगन नै कर। 44हमरा पठाबैबला पिता लोकसबके हमरलग आबैके मन नै देतै त कोइ नै हमरलग आबैले सक्‍तै आ अन्‍तके दिनमे हम उसबके जियाइबै। 45अगमबक्‍ताके किताबमे एहेन लिखलछै, ‘सबलोक परमेस्‍वरसे सिख्‍यालजेतै।’ जे कोइ पिताके सिक्‍छा सुनैछै आ सिखैछै से कोइ हमरलग आबैछै।#यसैया ५४:१३ 46परमेस्‍वर पिताके कोइ नै देख्‍ने छै। जे पितासे एलछै, उ मातरे पिताके देख्‍ने छै।
47 “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जे बिस्‍बास करैछै, ओकरसङे अनन्‍त जिबन छै। 48हम जिबनके रोटी चियै। 49तोरासबके पुरखा उजार जगहमे मन्‍न खेल्‍कौ, तैयो उसब मैरगेलौ। 50महज हम त स्‍वरगसे एल रोटीके बारेमे कहैचियौ, जे कोइ यि रोटी खेतै, से कोइ कहियो नै मरतै। 51स्‍वरगसे एल जिबित रोटी त हम्‍ही चियै। जे कोइ यि रोटी खेतै, से कोइ सबदिन जिबित रहतै। सन्‍सारके लोकसबके जिबनके लेल जे रोटी हम दैचियै, उ हमर देह चियै।”
52यि बातसे यहुदीसबके बिचमे बाद-बिबाद हैले लाग्‍लै। उसब कहेलाग्‍लै, “यि लोक अपनासबके कनङके आपन देह खाइले देबेसक्‍तै?” 53येसु उसबके कहल्‍कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी तुसब मानबके बेटाके देह नै खेबही आ ओकर लहु नै पिब्‍ही त, तोरासबमे अनन्‍त जिबन नै रहतौ। 54जे हमर देह खेतै आ लहु पितै ओकरसङे अनन्‍त जिबन रहतै आ अन्‍तके दिनमे हम ओकरा जियाइबै। 55कथिलेत हमर देह साँचोके खाइबला आ हमर लहु साँचोके पियैबला चिज चियै। 56हमर देह खाइबला आ हमर लहु पियैबला हमरमे रहैछै आ हम ओकरमे रहैचियै। 57जहिनङे हमर पिता हमरा पठेल्‍कै आ हम ओकर कारनसे जिबित चियै, ओहिनङे हमर देह खाइबला हमर कारनसे जिबित रहतै। 58यि उ रोटी नै चियै, जे तोरासबके पिता-पुरखासब खेल्‍कौ आ मैरगेलौ। महज जे यि रोटी खेतै, उ सबदिन जिबित रहतै।”
59येसु यि बात कफरनहुम सहरके सभाघरमे सिक्‍छा दैबखत कहने छेलै।
अनन्‍त जिबनके बारेमे सिक्‍छा
60यि बातसब सुइनके येसुके चेलासबमेसे बहुतो गोरा कहल्‍कै, “यि सिक्‍छा त एकदम करा छै। यि के माने सक्‍तै?”
61चेलासब यि बातके बारेमे गनगन कैररहलछै से जाइनके येसु उसबके कहल्‍कै, “कि एह्‍या बातसबसे तोरासबके मनमे ठेस लाग्‍लौ? 62जब तुसब मानबके बेटाके जतेसे एलछेलै ओतै जाइत देखबिही त तुसब कथी करबही? 63जिबन दैबला त परमेस्‍वरके आत्‍मा चियै। देहके कोनो महत्‍व नै छै। जे बचन हम तोरासबके देनेचियौ, उ परमेस्‍वरके आत्‍मासे एलचियै आ तोरासबके जिबन देतौ। 64महज तोरासबमेसे कतहेक गोरा हमरा बिस्‍बासे नै करैछै।” (बिस्‍बास नै करेबला के छेलै आ ओकरा धोखा दैबला के छेलै से बात येसु सुरुवेसे जानैछेलै।) 65तब येसु फेनो कहल्‍कै, “ओहैसे हम तोरासबके कहनेचियौ, यदी पिता हमरलग आबैले नै देतै त कोइने हमरलग आबैले सक्‍तै।” 66ओहै समयसे ओकर चेलासबमेसे बहुतो गोरा पछा हटलै आ ओकरसङे जाइले छोइरदेल्‍कै।
67तब येसु आपन बारहो चेलासबके पुछल्‍कै, “कि तुहुसब हमरा छोइरके चैलजेब्‍ही?” 68सिमोन पतरुस जबाफ देल्‍कै, “हे परभु, हमसब कते जेबै? अहाँसङे अनन्‍त जिबन दैबला बचन छै।#मती १६:१६, मरकुस ८:२९, लुका ९:२० 69अहाँ परमेस्‍वरके पठ्‍याल पबितर लोक चियै से बातमे हमसब बिस्‍बास करैचियै आ जानैचियै।” 70येसु ओकरासबके कहल्‍कै, “कि हम तोरा बारहो गोराके नै छान्‍ने चियौ से? महज तैयो तोरासबमेसे एक गोराके सैतान चलाइनेछौ।” 71येसु यि बात सिमोन इस्‍कोरियोतके बेटा यहुदाके बारेमे कहने छेलै, कथिलेत उ बारहो चेलासबमेसे एकटा हैतोमे येसुके धोखा दैले लागल छेलै।

Subratllat

Comparteix

Copia

None

Vols que els teus subratllats es desin a tots els teus dispositius? Registra't o inicia sessió