युहन्‍ना 2

2
येसु काना सहरके बियाह भोजमे
1तेसर दिन गालिल परदेसके काना सहरके एकटा घरमे बियाह छेलै। येसुके माँ सेहो ओतै रहै। 2येसु आ ओकर चेलासबके बियाहमे नौता देने रहै।
3बियाहेके दिन अङगुरके मध ओरेलाकेबाद येसुके माँ ओकरे कहल्‍कै, “अङगुरके मध त ओरागेल!” 4यि बात सुइनके येसु कहल्‍कै, “माँ, हमरा तु यि बात कथिले कहैचिही? हमर काम करैबला समय अखुन नै एलछै।” 5येसुके माँ नोकरसबके कहल्‍कै, “येसु जे कहैछौ, तुसब ओहिनङ कर।”
6ओते छटा पथलके सय-सय लिटर पानी अटैबला घैलासब राखल छेलै। यहुदीसब उ घैलाके पानीसे अपने-आपके सुध करैबला चलनके काममे लगाइछेलै। 7येसु नोकरसबके कहल्‍कै, “सब घैलासब पानीसे उटुङ-टुटुङ कैरके भैरदहै।” उसब जम्‍मे घैलासबमे मुहतक पानी भैरदेल्‍कै।
8उ ओइसबके कहल्‍कै, “यि कन्‍हिकरा निकाइलके भोजके माइनजनके दहै।” तब उसब कन्‍हिकरा लज्‍याके माइनजनके देल्‍कै। 9जब माइनजन उ पानी चाखल्‍कै त अङगुर मध बैनगेल छेलै। महज यि मध कतेसे आनल्‍कै से उ नै जानल्‍कै। यि बात त पानी भरैबला नोकरसब जानैछेलै। तब माइनजन बरके बोल्‍याके कहल्‍कै, 10“सबलोक पहिने असल्‍का मध पियैले दैछै आ जब लोकसब बहुते पिलैछै, तब मातरे दबका पियैले दैछै, महज अहाँ त असल्‍का अखुनतक राखने चियै।”
11अहिनङे येसु सबसे पहिन्‍का अजगुतके काम गालिल परदेसके (परगना) काना सहरमे करल्‍कै। उ आपन महिमा परगट करल्‍कै, तब ओकर चेलासब ओकर उपर बिस्‍बास करल्‍कै। 12तकरबाद येसु आपन माँ, भाइ आ चेलासब सङे कफरनहुम सहरमे गेलै आ कुछदिन उसब ओतै रहलै। #मती ४:१३
येसु मन्‍दिरसे बेपारिसबके निकालल्‍कै
(मती २१:१२-१३, मरकुस ११:१५-१७, लुका १९:४५-४६)
13यहुदीसबके निस्‍तार पाबैन लगच्‍या गेल छेलै। तहै समयमे येसु यरुसलेम गेलै।#परस्‍थान १२:१-२७ 14ओते उ लोकसबके मन्‍दिरमे गाइ-बरद, भेंरा, पेरबा बेचैबलासब आ टेबुल-खुरसीमे बैठके पैसा भजाबैलासबके पैसा भजाबैत देखल्‍कै। 15तब डोरीसे एकटा कोरा बनाके येसु ओइसबके भेंरा आ बरदसबके मन्‍दिरसे बाहर हाइक देल्‍कै। पैसा भजाबैबलासबके पैसा छिट-छाइट देल्‍कै आ ओकरासबके टेबुल-खुरसी उल्‍टा-पुल्‍टा देल्‍कै। 16पेरबा बेचैबलासबके उ कहल्‍कै, “अतेसे यि सब चिज उठाके ल्‍याजो। हमर पिताके घरके तुसब बेपारके घर नै बना!”
17तब ओकर चेलासबके धरमसास्‍तरमे लिखल यि बात याद एलै, “हे परमेस्‍वर! अहाँके घरके खातिर हमर जोस हमर मन भितर आइग जखा बरैछै।”#भजनसङगरह ६९:९
18महज यहुदी अगुवासब येसुके रोकैत कहल्‍कै, “यि कामसब करैके अधिकार छै कहके परमान दैले अहाँ हमरासबके कोन चेन्‍हा देखाइबै?” 19येसु ओइसबके जबाफ देल्‍कै, “यि मन्‍दिरके उजाइरदहै, हम अकरा फेनसे तिन दिनमे ठार कैरदेबौ।”#मती २६:६१, मरकुस १४:५८, १५:२९ 20तब यि बात सुइनके यहुदीसब कहल्‍कै, “एह्‍या मन्‍दिर बनाइले हमरासबके छियालिस बरिस लागल छेलै, कि अकरा तिन दिनमे ठार कैरदेबै?”
21महज जै मन्‍दिरके बारेमे उ बाजल छेलै, उ ओकर देह छेलै। 22उ मरलाके बाद जिबित भ्‍याके उठलै तब चेलासब ओकर कहल बातके याद करल्‍कै। तहियासे उसब धरमसास्‍तरमे लिखल आ येसुके कहल बातसबमे बिस्‍बास करल्‍कै।
23जब येसु निस्‍तार पाबैनके बखत यरुसलेममे छेलै, तै बखत बहौत लोकसब ओकर अजगुतके कामसब देखके उसब ओकरमे बिस्‍बास करल्‍कै। 24महज येसु आपनके ओकरासबके भरोसामे नै छोरल्‍कै, कथिलेत लोकसब केहैन हैछै से उ जानैछेलै। 25लोकसबके बारेमे ककरो नै ओकरा कहैके जरुरी छेलै, कथिलेकी ककर हिरदयमे कथी छै से बात उ आपने जानैछेलै।

தற்சமயம் தேர்ந்தெடுக்கப்பட்டது:

युहन्‍ना 2: MTH

சிறப்புக்கூறு

பகிர்

நகல்

None

உங்கள் எல்லா சாதனங்களிலும் உங்கள் சிறப்பம்சங்கள் சேமிக்கப்பட வேண்டுமா? பதிவு செய்யவும் அல்லது உள்நுழையவும்