मती 21

21
यरुसलेममे येसुके परबेस
(मरकुस ११:१-११, लुका १९:२८-४१, युहन्‍ना १२:१२-१९)
1जब येसु आ ओकर चेलासब यरुसलेमके नजदिक जैतुन पहाड़के बेथफागे ठाममे पुग्‍लै, तब येसु आपन दुइ गोरा चेलासबके एहेन कैहके पठाइल्‍कै, 2“तुसब ओते सामनेके गाममे जो। पुगते मातर ओते एकटा गदहा आ ओकर बच्‍चा बान्‍हल देखबिही। ओकरा खोइलके हमरलग आन। 3यदी कोइ तोरासबके कुछो कहतौ त, ‘परभुके अकर जरुरत छै कैहे’ आ उ फेनो तुरन्‍ते पठादेतौ।”
4अगमबक्‍ताके पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल बात पुरा हेबे कैहके एहेन भेल छै-
5“सियोनमे रहैबला लोकसबके कैहदहै,
‘देख, आब तोरासबके रजा तोरेसबके लग आइबरहल छौ,
उ कोमल हिरदयके छै,
उ गदहामे, गदहाके बच्‍चामे चहैरके आइबरहल छै।’”#जकरिया ९:९
6तब उ दुइ गोरा चेलासब येसुके कहल बमौजी करल्‍कै। 7उसब गदहा आ ओकर बच्‍चाके सङे आनल्‍कै, ओकरासबके पिठमे आपन-आपन बस्‍तर बिछेल्‍कै आ येसु ओहै उपरमे बैठलै। 8भिरके बहौत लोकसब आपन-आपन बस्‍तर निकाइलके रस्‍तामे बिछादेल्‍कै आ औरो लोकसब गाछके ठाइरसे पता काइट-काइटके बिछेल्‍कै। 9येसुके अगा-पछा चलैबला लोकसब अनङकैरके जयजयकार करे लाग्‍लै, “दाउद रजाके बेटाके जय! धैनके छै उ जे परभुके नाममे आबैछै! स्‍वरगमे रहैबला परमेस्‍वरके जयजयकार हेबे!”#भजनसङगरह ११८:२५-२६
10जब येसु यरुसलेममे परबेस करल्‍कै, तब पुरे नगरमे हलचल मचे लाग्‍लै। लोकसब पुछे लाग्‍लै, “यि के चियै?” 11अगा-पछा चलैबला भिरके लोकसब ओइसबके जबाफ देल्‍कै, “यि त गालिल परदेसके नासरतसे एल अगमबक्‍ता येसु चियै।”
येसु मन्‍दिरमे
(मरकुस ११:१५-१९, लुका १९:४५-४८, युहन्‍ना २:१३-२२)
12तब येसु मन्‍दिरमे गेलै आ किनबेच करैबलासबके ओतेसे बाहर निकाइलदेल्‍कै। उ पैसा भजाइबलाके टेबुलसब आ पेरबा बेचैबलासबके बैठैबला पिढियासब उल्‍टा-पुल्‍टा देल्‍कै। 13तब येसु उसबके कहल्‍कै “पबितर धरमसास्‍तरमे एहेन लिखल छै, ‘हमर घर परथनाके घर कहाइतै।’ महज तुसब त अकरा डाकुसबके अड्‍डा बनाइने चिही।”#यसैया ५६:७, यरमिया ७:११
14तब मन्‍दिरमे अन्‍हरासब आ नेङरासब येसु लग एलै आ उ ओइसबके निक करल्‍कै। 15जब मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसब येसुके करल अचमके कामसब देखल्‍कै आ मन्‍दिरमे बच्‍चासब “दाउदके पुतरके जय हेबे” कैहके जोर-जोरसे हल्‍ला करैत सुनल्‍कै, तब उसब एकदम खिस्‍याइलै। 16तब उसब येसुके कहल्‍कै, “कि अहाँ सुनैचियै, बच्‍चासब कथी कैहरहल छै?” येसु ओइसबके जबाफ देल्‍कै, “हँ, हम सुनैचियै। कि तुसब पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल बात नै पढनेचिही? ‘बच्‍चासब आ दुधपिया बच्‍चासबके मुहसे अहाँके परसन्‍सा कराइले लगाइनेचियै?’”#भजनसङगरह ८:२ 17तब येसु उसबके ओहै ठाममे छोइरके सहरसे बाहर गेलै आ बेथानिया गाममे ज्‍याके रात रहलै।
अन्‍जिरके गाछ
(मरकुस ११:१२-१४,२०-२४)
18तकर बिहान सबेरे सहर दिसन आबैबखत येसुके भुख लाग्‍लै। 19रस्‍ताके कातमे एकटा अन्‍जिरके गाछ देखल्‍कै आ उ लगमे गेलै महज ओइ गाछमे पता बाहेक औरो कुछो नै भेटलै। तब येसु उ गाछके कहल्‍कै, “आबसे तोरामे कहियो फल नै फरे।” तखुन्‍ते उ गाछ सुइखगेलै।
20यि देखके चेलासब अचम मानैत कहल्‍कै, “यि अन्‍जिरके गाछ तुरन्‍त कनङके सुइख गेलै?” 21तब येसु उसबके जबाफ देल्‍कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी तोरासबमे बिस्‍बास छौ आ सङका नै कैरके यि अन्‍जिरके गाछके जे हम करलियै अतबेक नै, महज यि पहारके ‘तु अतेसे उखैरके समुन्‍दरमे खस’ कहबिही त तहिनङे हेतौ।#मती १७:२०, १ कोरन्‍थी १३:२ 22तुसब बिस्‍बास कैरके परथनामे परमेस्‍वरसे जे माङबिही से तुसब पाबबिही।”
येसुके अधिकार बारे सबाल
(मरकुस ११:२७-३३, लुका २०:१-८)
23जब येसु मन्‍दिरमे सिक्‍छा दैछेलै तब मुल पुजारीसब आ अगुवासब ओकरलग आइबके कहल्‍कै, “कोन अधिकारसे तु यि कामसब करैचिही? यि अधिकार तोरा के देल्‍कौ?” 24तब येसु ओकरासबके जबाफ देल्‍कै, “हम्‍हु अहाँसबके एकटा सबाल पुछब, हमरा जबाफ देबै त, कोन अधिकारसे हम यि काम करैचियै, से बात अहाँसबके कहब। 25युहन्‍नाके बप्‍तिस्‍मा दैके अधिकार परमेस्‍वरसे पाबने छेलै, कि मानबसे?” तब उसब आपनेमे छलफल करे लाग्‍लै, “अदी ‘स्‍वरगसे’ कहबै त ‘तुसब ओकर उपर कथिले बिस्‍बास नै करलिही’ कैहके कहतै। 26महज ‘लोकसबसे’ कहबै त, अपनासबके लोकसबसे डर छै। कथिलेत सबलोक युहन्‍नाके अगमबक्‍ता चियै कैहके मानैछै।”
27तब उसब येसुके जबाब देल्‍कै, “हमरासबके थाह नै छै।” येसु उसबके कहल्‍कै, “हम्‍हु कोन अधिकारसे यि काम करैचियै, से तोरासबके नै कहबौ।”
दुइ बेटाके खिसा
28तब येसु मुख पुजारीसब आ अगुवासबके कहल्‍कै, “हम तोरासबके एकटा खिसा कहैचियौ। उ खिसा सुइनके आपन आपन बिचार कहेसकैचिही। एकटा लोकके दुइ बेटा छेलै। उ लोक पहिन्‍का बेटा लग ज्‍याके कहल्‍कै, ‘बेटा, आइके तु अङगुर बारीमे ज्‍याके काम करिहे।’ 29महज बेटा कहल्‍कै, ‘हम नै ज्‍याब’, महज पछा ओकरा पछुताबा भेलै तब उ काममे गेलै। 30तब बाबु दोसर बेटाके ओहिनङे कहल्‍कै। उ जबाफ देल्‍कै, ‘हम ज्‍याब।’ महज उ नै गेलै। 31आब यि दुइ बेटासबमे के आपन बाबुके आग्‍या मानल्‍कै?” तब उसब जबाफ देल्‍कै, “पहिन्‍का बेटा।” तब येसु उसबके कहल्‍कै, “साँचेके हम तोरासबके कहैचियौ, बटी उठाइबलासब आ बेस्‍यासब तोरासबसे अगा परमेस्‍वरके राजमे परबेस करतौ। 32कथिलेत युहन्‍ना धारमिकताके रस्‍ता देखाबैत तोरासबलग एलौ, महज तुसब ओकरा बिस्‍बास नै करलिही। बरु बटी उठाइबलासब आ बेस्‍यासब ओकर उपर बिस्‍बास करल्‍कै। यि सब देखियोके तुसब आपन पाप सुइकार नै करलिही आ ओकरमे बिस्‍बास नै करलिही।”#लुका ३:१२, ७:२९-३०
दुस्‍ट बटिदारसबके खिसा
(मरकुस १२:१-१२, लुका २०:९-१९)
33 येसु फेनो उसबके कहल्‍कै, “एकटा दोसरो खिसा सुन। एकटा जमिन्‍दार लोक छेलै। उ लोक अङगुरके खेती करल्‍कै आ चारुकातसे ओकरा घेरल्‍कै। अङगुरके रस जम्‍मा करैके लेल एकटा खाइध खुइनके कोल्‍हु बनाइल्‍कै आ ओहैमे रखबारी करैके लेल एकटा मचानो बनाइल्‍कै। तब बटिदारसबके जिम्‍मा द्‍याके अपना परदेस गेलै। # यसैया ५:१-२ 34जब अङगुर पाकैके समय एलै तब अङगुर लैले उ आपन नोकरसबके बटिदारसब लग पठाइल्‍कै। 35महज उ बटिदारसब मिलके उ नोकरसबके पकैरके एकटाके पिटल्‍कै, दोसरके माइरदेल्‍कै आ तेसरके पथलसे मारल्‍कै। 36फेनो मालिक पहिन्‍कोसे बेसी नोकरसबके पठाइल्‍कै, महज बटिदारसब ओकरोसबके ओहिनङे बेबहार करल्‍कै।
37 “अन्‍तमे मालिक ‘हमर बेटाके त पक्‍के आदर करतै’ से बिचार कैरके आपन बेटाके बटिदारसब लग पठाइल्‍कै। 38महज बटिदारसब ओकरा देखैत मातर आपसमे बात करे लाग्‍लै, ‘यि त हकबला चियौ। चल, अपनासब अकरा माइरदहै तब ओकर सब धन-सम्‍पती अपनासबके भ्‍याजेतौ।’ 39तब बटिदारसब ओकरा पकैरके घिस्‍याइते अङगुरके खेतसे बाहर ल्‍यागेलै आ ओकरा जानसे माइर देल्‍कै।
40 “आब कह, जब खेतके मालिक एतै तब उ बटिदारसबके कथी करतै?” 41तब मुख पुजारी आ अगुवासब जबाफ देल्‍कै, “मालिक आइबके उ दुस्‍ट बटिदारसबके तरपा-तरपाके माइरदेतै आ जे ओकरा उबजनिके अधिया हिस्‍सा ठिक समयमे देतै ओइ बटिदारके अङगुरके खेत जिम्‍मा देतै।” 42तब येसु उसबके कहल्‍कै, “कि तुसब पबितर धरमसास्‍तर नै पढनेचिही?
‘जै पथलके घर बनाइबला मिसतिरीसब छाइट देल्‍कै, सेह्‍या जगके मुल खम्‍हा बन्‍लै, # भजनसङगरह ११८:२२
यि काम परमेस्‍वर करने छै
आ अपनासबके नजरमे आस्‍चरजके बात छै।’
43 “तैखातिर हम तोरासबके कहैचियौ, परमेस्‍वरके राज तोरासबसे छिनल जेतौ आ एहेन जातीके जिम्‍मा देल जेतै, जे ओकर इछा अनुसार करतै। 44उ पथलमे जे कोइ खस्‍तै उ चकनाचुर हेतै आ जकर उपर उ पथल खस्‍तै तकरा गुन्‍डीमिसान कैरदेतै।”
45जब मुल पुजारीसब आ फरिसीसब येसुके कहल यि खिसा सुनल्‍कै तब आपनेसबके बिसयमे कहनेछै से बुझल्‍कै। 46तैखातिर उसब ओकरा पकरैले चाहल्‍कै, महज उसब लोकसबसे डराबै छेलै। कथिलेत लोकसब ओकरा एक अगमबक्‍ता चियै कैहके ठानैछेलै।

தற்சமயம் தேர்ந்தெடுக்கப்பட்டது:

मती 21: MTH

சிறப்புக்கூறு

பகிர்

நகல்

None

உங்கள் எல்லா சாதனங்களிலும் உங்கள் சிறப்பம்சங்கள் சேமிக்கப்பட வேண்டுமா? பதிவு செய்யவும் அல்லது உள்நுழையவும்