मती 22

22
बियाह भोजके खिसा
(लुका १४:१५-२४)
1येसु फेनो ओइसबके खिसा कहल्‍कै, 2“स्‍वरगके राज एकटा एहेन रजा सङे तुलना करेसकैचियै जे आपन बेटाके बियाह उत्‍सबमे भोज करल्‍कै। 3भोजमे नौता देल्‍हा लोकसबके बिजो करैले आपन नोकरसबके पठेल्‍कै। महज नौतहारीसब आबैले नै चाहल्‍कै। 4तब उ फेनो दोसर नोकरसबके एहेन कैहके पठेल्‍कै, ‘नौता पैल्‍हा लोकसबके यि कैहदहै कि, “भोजके लेल सबचिजके तैयारी भेल छै, हमर पालल पोसल मोटगरहा पसुसब काइटके निन्‍हल गेल छै। आब भोज खाइले चलैचलु।”’ 5महज नौता पाबैबलासब मतलबे नै कैरके आपन-आपन काम-काजमे चैलगेलै। कोइ आपन बारिझारीमे त कोइ आपन बर-बेपारमे काम करैले चैलगेलै। 6बाकी रहल लोकसब ओकर नोकरसबके पकैरके दुरबेबहार करल्‍कै आ जानसे माइरदेल्‍कै। 7ओहिसे रजा एकदमसे खिस्‍याके आपन सैनिकसबके पठेल्‍कै आ जानसे नोकरसबके मारैबलासबके मारैले लगेल्‍कै आ ओइसबके सहर डहाइले लगेल्‍कै।
8 “तब उ रजा फेनो दोसर नोकरसबके कहल्‍कै, ‘बियाहके भोज त तैयार छै, महज नौता पाबलाहा लोकसब यि भोज खाइ जोगके नै छेलै। 9तहैले तुसब मुल रस्‍तासबमे जो आ जेसब भेटतौ, ओइसबके बियाह भोजमे बोलाके आन।’ 10तब उ नोकरसब चौबटियामे ज्‍याके असल खराब लोकसबके बोलाके आनल्‍कै। अतहेक न लोक एलै कि उ बियाह भोजघर लोकसबसे भरिभराउ भेलै।
11 “तब रजा एल्‍हा लोकसबके देखैले भितर एलै, ओकर नजैर एकटा एहेन लोक उपर परलै कि उ बियाह उत्‍सबमे पिन्‍हैबला बस्‍तर नै पिन्‍हने छेलै। 12तब रजा ओकरा पुछल्‍कै, ‘यौ, सङी! अहाँ बियाह भोजमे पिन्‍हैबला बस्‍तर नै पिन्‍हके कनङके भितर एलियै?’ महज उ कुछो कहैले नै सकल्‍कै। 13तब रजा आपन नोकरसबके आदेस करल्‍कै, ‘ले, ओकर हाथ-टाङ बान्‍हके बाहरके अन्‍हारमे फेकदहै, जते उ कान्‍तै आ दात किटकिटाइतै।’”#मती ८:१२, २५:३०, लुका १३:२८
14 अन्‍तमे येसु कहल्‍कै, “नौता पैल्‍हासब त बहुतो छै, महज चुनलगेलसब थोरबेहेक छै।”
कर तिरैके बारेमे सिक्‍छा
(मरकुस १२:१३-१७, लुका २०:२०-२६)
15तकरबाद फरिसीसब ज्‍याके येसुके ओकरे कहल बातमे कनङके जालमे फस्‍याल जेतै कैहके एकमत भेलै। 16उसब आपन कुछ चेलासब आ हेरोद रजाके दलके कुछ लोकसबके येसुलग एहेन कहैले पठेल्‍कै, “हे गुरु जी, हमसब जानैचियै कि अहाँ सत चियै आ परमेस्‍वरके साँचे सत बाट देखाइचियै। लोकसब कथी कहतै तैके कोनो बास्‍ता नै राखैचियै कथिलेकी अहाँ ककरो पक्‍छपात नै करैचियै। 17अहैले आब हमरासबके यि कहु, कि रोमी सरकारके कर तिरनाइ उचित छै कि नै?” 18महज येसु ओइसबके दुस्‍ट बिचार थाह पाइबके कहल्‍कै, “ए कपटीसब, छल कैरके हमरा कथिले फसाइले चाहैचिही? 19कर तिरैबला डलर हमरा देखा त।” उसब एकटा डलर आइनके ओकरा देल्‍कै।#परेरित २३:८ 20तब उ ओइसबके पुछल्‍कै, “अइमे ककर चेहरा आ नाम लिखल छै?” 21उसब येसुके कहल्‍कै, “यि त रोमी सरकारके चियै।” तब येसु कहल्‍कै, “तैखातिर जे सरकार के चियै से सरकारके दहै आ जे परमेस्‍वरके चियै से परमेस्‍वरके दहै।” 22येसुके जबाफ सुइनके उसब चकित रैहगेलै आ उसब ओतेसे चैलगेलै।
मिरतुसे जि उठैके सबाल
(मरकुस १२:१८-२७, लुका २०:२७-४०)
23मरललोकसब जिके नै उठैछै कहैबला सदुकीसब ओहै दिन येसु लग आइबके पुछल्‍कै, 24“गुरु जी, पबितर धरमसास्‍तरमे मोसा कहनेछै कि, जब कोनो लोक निपुतरे मैरजेतै त ओकर छोट भाइ भौजीसे बियाह कैरके आपन भैयाके लेल बंस खरा करे परैछै।#बेबस्‍था २५:५ 25अते एकटा परिबारमे सात भाइ रहैछेलै। जेठका बियाह करल्‍कै आ उ निपुतरे मैरगेलै। ओकरा कोनो धियापुता नै भेलाके कारन ओकर मझिला भाइ भौजीसे बियाह करल्‍कै। 26महज उहो निपुतरे मैरगेलै। सझिला भाइके सेहो ओहिने भेलै आ ओहिने कैरके सातो भाइ बियाह करल्‍कै, महज सब भाइ निपुतरे मैरगेलै। 27अन्‍तमे उ जनी सेहो मैरगेलै। 28आब कहु सबगोटे अन्‍तके दिनमे मरलसे जि के उठतै त उ जनी ककर घरबाली हेतै? कथिलेत ओकरसे सतो भाइ बियाह करने छेलै।”
29येसु ओइसबके जबाफ देल्‍कै, “तुसब भरममे परलचिही। तुसब पबितर धरमसास्‍तर आ परमेस्‍वरके सक्‍तीके बारेमे नै जानैचिही। 30अन्‍तिम दिनमे जब मरल लोकसब जि के उठतै त उसब बियाह नै करतै आ नै बियाह करादेतै, महज उसब स्‍वरगके स्‍वरगदुतसब जखा हेतै। 31मरलसब जि के उठैछै तै बिसयमे परमेस्‍वर तोरासबके कथी कहनेछौ, कि तुसब नै पढने चिही?#परस्‍थान ३:६ 32उ कहनेछै, ‘हम अबराहमके परमेस्‍वर, इसहाकके परमेस्‍वर आ याकुबके परमेस्‍वर चियै।’ उ मरलसबके नै बल्‍की जिबितसबके परमेस्‍वर चियै।” 33भिरके लोकसब ओकर बात सुइनके छके परलै।
सबसे बरका आग्‍या
(मरकुस १२:२८-३४, लुका १०:२५-२८)
34येसु सदुकीसबके चुप लगेल्‍कै कैहके जब फरिसीसब सुनल्‍कै, तब फरिसीसब ओकरलग जमा भेलै। 35ओइसबमेसे एकगोरा धरमगुरु येसुके फसाइके बिचारसे पुछल्‍कै, 36“गुरु जी, बेबस्‍थामे सबसे बरका आग्‍या कथी छै?” 37येसु जबाफ देल्‍कै, “तु परमपरभु आपन परमेस्‍वरके पुरा हिरदयसे, पुरा परानसे आ पुरा मनसे परेम कर।#बेबस्‍था ६:५ 38सबसे महान आ पहिन्‍का आग्‍या यह्‍या चियै। 39दोसर फेनो अहिनङे चियै, ‘तु आपन परोसियाके आपने जखा परेम कर।’#लेबी १९:१८ 40पुरे बेबस्‍थाके आ अगमबक्‍ताके सिक्‍छाके मुल बात इहे दुइ आग्‍यासब चियै।”#लुका १०:२५-२८
खिरिस्‍ट ककर बेटा?
(मरकुस १२:३५-३७, लुका २०:४१-४४)
41एक भ्‍याके एल्‍हा फरिसीसबके येसु पुछल्‍कै, 42“खिरिस्‍टके बारेमे तोरासबके कथी बिचार छौ? उ ककर बेटा चियै?” उसब जबाफ देल्‍कै, “दाउदके।” 43ओहैमे येसु ओइसबके पुछल्‍कै, “ओनङ छै त दाउदके पबितर आत्‍मा कनङके खिरिस्‍टके ‘परभु’ कहैले लगेल्‍कै, कथिलेत दाउद आपनेसे एहेन कहनेछै,
44 परमपरभु हमर परभुके कहल्‍कै,
‘तु हमर दहिना हाथकता बैठ,
जाबेतक हम तोहर दुस्‍मनसबके तोहर खराम नै बनाइबौ।’” # भजनसङगरह ११०:१
45 “जब दाउद खिरिस्‍टके परभु कहल्‍कै त, कनङके दाउद ओकर बेटा भेलै?” 46कोइ जबाफ नै दैले सकल्‍कै। तब ओहै दिनसे कोइ येसुके कुछो पुछैले साहस नै करल्‍कै।

தற்சமயம் தேர்ந்தெடுக்கப்பட்டது:

मती 22: MTH

சிறப்புக்கூறு

பகிர்

நகல்

None

உங்கள் எல்லா சாதனங்களிலும் உங்கள் சிறப்பம்சங்கள் சேமிக்கப்பட வேண்டுமா? பதிவு செய்யவும் அல்லது உள்நுழையவும்